मैथिलीमे हमर प्रकाशित पोथी

मैथिलीमे हमर प्रकाशित पोथी

मंगलवार, 20 अगस्त 2019

जगले रहब यौ!


जगले रहब यौ!



हमसभ जखन नेना रही तँ परीक्षाक समयमे कै बेर बहुत राति धरि जगले रही । ओसारापर लालटेनक मद्धिम प्रकाशमे  औंघाइत-पौंघाइत पढ़ैत रहैत छलहुँ । कहि नहि एतेक नीन्न कतएसँ अबैक । एहि संघर्षक बीचमे एकाएक ध्यान तोड़ैत छल एकटा स्वरवद्ध कड़क आवाज-"जगले रहबै यौ । से कहैत -कहैत गामक चौकीदार आगा बढ़ि जाइत । ओकर आवाज तँ फटकिएसँ अएनाइ शुरु भए जाइत छल। सड़केपरसँ ओकर  जागरण मंत्र कानमे पड़नाइ शुरु भए जाइत जकर तीव्रता क्रमशः बढ़िते रहैत । हमरा घर लग अबैत-अबैत ओ आबाज आओर जोर पकड़ि लैत । एहि तरहें चिकरैत-भोकरैत ओ सौंसे गाम घुमि जैतथि ।  अन्हरिआ रातिमे तँ ई कनी बेसिए होइत छल ।  गाम-घरमे चोरी नहि होइक .तेँ एहि तरहक व्यवस्था कएल गेल छल ।

चौकीदारसभ सरकारी महकमासँ जुड़ल तँ रहैत छलाह,थानेदारक हुकुम बजबैत छलाह मुदा हुनका सरकाी सेवकक सभटा सुविधा नहि भेटैत छलनि ने ओ नियमित सरकारी कर्मचारी मानल जाइत छलाह । हाथमे खूब नोकगर भाला ,देहमे हरिअरका पट्टी पहिरने जखन चौकीदार कोनो मामिलाक संदर्भमे थाना बजाओल जाइत छलाह तँ निश्चय हुनको होइत रहल हेतनि जे ओ किछु छथि । कै बेर थानाक पुलिस आबि कए हुनका अपनासंग कए लेथि । गामे-गाम पुलिसक संगे घुमथि किंवा कोनो मामिलाक तहकीकात करबामे सहयोग करथि मुदा ताहि एबजमे हुनका गारि-फज्जतिक अतिरिक्त किछु भेटैत रहल हेतनि तकर कोनो उमीद नहि बुझाइत अछि । चौकीदारक सामान्य कर्तव्यक निष्पादन तँ ओ करिते छलाह ,तकर अतिरिक्त ओ थानाक एकटा स्थानीय जासूस सेहो छलाह । हुनकासँ अपेक्षा कएल जाइत छल जे हुनकर लग-पासमे भए रहल घटनासभक जानकारी थानेदारकेँ देथिन । एहिसभ काज करबाक एबजमे हुनका दस वा पन्द्रह टाका महिना थानाक तरफसँ भेटैत छल । एहि तरहैं कै ठाम तँ कै पुस्त चौकीदारी करिते बीत जाइत छलनि ।

चौकीदार जखन गाममे पहरा दैत छलाह तँ ककरो घर लग अएलाक बाद हुनकर नाम लए कै बेर आबाज दितथि जाहिसँ ओ व्यक्ति जँ सुति रहल छथि तँ हुनकर उपस्थितिकेँ संज्ञान लेथि । कै गोटे तँ खखसि कए तकर प्रतिउत्तर दैतो छलाह । ओहिमे हमर एकटा काकाजीक नाम प्रसंगवस मोन पड़ि जाइत अछि । ओ तँ रातिमे सुतलोमे ढहकैत रहैत छलाह जाहिसँ लग-पासक लोककेँ लगैत छलैक जेना ओ जगले छथि । परीक्षासभक तैयारीक क्रममे हम कै बेर बहुत  देर रातिधरि जागल रहैत छलहुँ । हमरा हुनकर आबाज सुनिकए लागए जेना ओ जगले छथि मुदा बात से रहैक नहि । ओ तँ सुतले-सुतल ई काज करैत छलाह । जे जोइक मुदा चोरसभकेँ ओ आबाज सुनि कए जरूर परेसानी होइत रहल हेतैक ।

सालक साल बीति गेल मुदा चौकीदासभक स्थितिमे कोनो सुधार नहि भेल । हँ, एतबा जरूर भेल जे सहरीकरणक बाद गामसँ भागि कए लोकसभ सहरमे आबि गेल आ जकरा कोनो काज नहि भेटल से सभ चाहे ओ कतबो पढ़ल होथि वा मूर्ख होथि,चौकीदार बनि गेलाह । सहरमे चौकीदारक माने भेल सेक्युरिटीगार्ड । रंग-विरंगक परिधान पहिरने हाथमे डंडा लेने कोनो पैघ मकानक गेटपर बारह-बारह घंटा निरंतर ठाढ़ रहए बला किओ आओर नहि चौकीदारे भए सकैत छथि ।  सोचल जा सकैत अछि जे जे आदमी बारह घंटा निरंतर ठाढ़ रहतैक ओ तँअपन जानबँचा लिअए सएह बहुत ,ओ अहाँक रक्षा की करताह? चाहिओ कए नहि कए सकैत छथि ,कारण एक तँ देहमे कतहु दम बाँचल नहि रहि जाइत छनि,दोसर हुनकासभक हाथमे तँ एकटा लाठिओ नहि रहैत छनि । कहबी छैक जे विभुक्षितः किम् न करोति पापम्। तेँ कै बेर सहरी चौकीदार स्वयं चोरी,डकैती वा एहने कोनो आओर जघन्य अपराध करैत पकड़ल जाइत छथि ? तरह-तरहसँ एहन व्यक्तिकेँ यातना देल जाइत अछि। मुदा साइते किओ सोचैत हेताह जे आखिर एना भेलैक किएक?

गामक चौकीदारसभ तँ कम सँ कम भाला लए कए चलैत छल, अपन घरमे रहैत छल आ जे किछु घरक बनल भोजन करैत छलाह मुदा सहरमे  तँ हुनका लोकनिक भगवाने मालिक । ने खेबाक ठेकान ने रहबाक, ताहिपरसँ बारह-बारह घंटाक ड्युटी आ पगार कतेक ,बहुत तँ दस हजार । कोनो छुट्टी नहि । जँ मोन खराप भेल तँ दरमाहा कटत । बेसी दिन छुट्टी रहब तँ नौकरिओ खतम भए जाएत । कहक माने जे हुनकर जिनगी भगवानेक भरोसे चलैत अछि । एहन हालतमे ओ अनकर की रक्षा करताह? ओ तँ अपने रक्षा कए लेथि तँ बड़का बात ।

किछु समयपूर्व भेल देशक लोकसभा चुनावमे चौकीदारक खूब चर्चा भेल । सही भेल,गलत भेल ,जे भेल मुदा सौंसे देस कोनो-ने-कोनो रुपमे चौकीदार बनि जेबाक घोषणा कए देलक । सोचल जा सकैत अछि जे भारतक लोकक चेतनामे चौकीदार कतेक गहींर धरि धसल अछि । समाजक एतेक महत्वपूर्ण अंग जकर काजे सभक रक्षा करब थिक उपेक्षित रहए से कतहु सँ उचित नहि लगैत अछि । मुदा सएह भए रहल अछि । जरुरी अछि जे  सरकारक नीति निर्माता लोकनि चौकीदारक सेवाक सही मुल्यांकन करथि आ ओकरासभक पगार आ अन्य सुविधा कमसँ कम एतेक तँ हेबे करैक जाहिसँ ओहोसभ अपना एहि देसक सम्मानित नागरिक हेबाक अनुभव करथि । से जँ हेतेक तँ ओकर फएदा सभकेँ हेतैक । इसकूलमे पढ़निहार नेना सुरक्षित रहत,ओकर अपहरण नहि भए सकतैक,गाम-घरमे रहनिहार किसानसभ अन्न-पानि सुरक्षित रहतैक आ सुरक्षित रहताह सहरमे रहनिहार श्रीमान लोकनि जिनकर घरक आगामे  एकटा सशक्त व्यक्ति हुनकर सुरक्षा करत ने कि एकटा मजबूर,विमार आ शक्तहीन व्यक्ति जे अपने लेल सदरिकाल झकैत रहैत अछि ।

उमीद पर दुनिआ कायम छैक। तें हमरा लोकनि आशा करी जे एकदिन चौकीदारो सभक दिन फिरतैक। देशमे बहि रहल विकासक बिहारि हुनको दरबाजा धरि पहुँचत । हुनको धीया-पुता आधुनिक शिक्षा प्राप्त कए अपन जीवनमे सकारात्मक परिवर्तन आनि सकताह आ पुस्तक-पुस्त भाला लेने हकासल-पियासल गामक चौकीदार करैत व्यक्ति बीतल बात भए जाएत ।






शनिवार, 17 अगस्त 2019

स्वास्थ्य का महत्व



प्रकृति आश्चर्यों से भरा हुआ है । उनमें एक हमारा-आपका जीवन भी है । छोटे से छोटे और बड़े से बड़े प्राणियों में जीवन के सारे तत्व प्रकृति ने भरे हैं । एक छोटी सी चिटी भी ,पता नहीं कैसे मीठे वस्तुओं की उपस्थिति को तार जाती है । देखते ही देखते ऐसी वस्तुओं के इर्द-गिर्द चीटियां भर जाती हैं । बरसात के मौसम में सैकड़ो चीटियां पंक्तिवद्ध होकर चलती रहती हैं और कहाँ से कहाँ पहुंच जाती हैं । कहने का तात्पर्य  है कि ईश्वर ने तमाम जीव जन्तुओं को जीने लायक क्षमता दी है । उसके शरीर में वे सारे अवयव दिए  हैं जिसकी उसे आवश्यकता है । जैसे जंगली हिंसक जानवरों को बड़े-बड़े दाँत दिए हैं ताकि शिकार के बाद वे उन्हें खा सकें । अगर हमें कुछ नहीं दिया है तो इसका मतलब है कि वह हमारे लिए जरूरी है ही नहीं ।

आप कितने भी विद्वान हों,कतने भी गुणी हों लेकिन यदि आपका स्वास्थ्य ठीक नहीं है तो आप कुछ भी नहीं कर सकते हैं । किसी लक्ष्य की प्राप्ति के लिए जरूरी हे कि आदमी  में संघर्ष की क्षमता हो । वह तो तभी होगा जब वह कठिन से कठिन परिश्रम करने में सक्षम हो । विना परिश्रम के कुछ भी नहीं पाया जा सकता है । एक-से-एक पद पर पहुँच कर भी लोग स्वास्थ्य के अभाव में असफल हो जाते हैं । कई प्रतिभाशाली लोग अल्पजीवी हुए जिससे लोग उनके गुणों से उतना लाभ नहीं उठा सके जितना वे कर सकते थे । इसीलिए हमें स्वास्थ्य पर शुरु से ही ध्यान देना चाहिए । कहते हैं कि शत्रु और विमारी को कभी हल्के नहीं लेना चाहिए ।

हम वैज्ञानिक युग में रह रहे हैं । एक समय था जब लोग मामुली विमारी से मर जाते थे । इलाज के नाम पर संयम और पथ्य के अलावा कुछ भी नहीं था । बुखार हो जाने पर रोगी का खाना बंद करा दिया जाता था । तरह-तरह के परहेजों से उसे गुजरना पड़ता था । कई बार तो सहते-सहते रोगी की आंत उलझ जाती थी जिस से उनकी मौत भी हो जाती थी । एसी एक घटना मैंने स्वयं देखी है । एक चौदह साल के बच्चे को बुखार में सहते-सहते उसकी आंते उलझ गई और बड़े मुश्किल से शल्यकृया द्वारा उसकी जान बचाई जा सकी । परंतु हालात अब बदल गए हैं ।  एक से एक बिमारियों का इलाज संभव हो गया है । लोग कैंसर जैसे विमारी से भी बंच जाते हैं । लेकिन इसका दुखद पहलू भी है । एक तो इलाज काफी महगा हो गया है , दूसरा नित्य नए-नए विमारियां पैदा होती जा रही हैं जिसका इलाज विज्ञान के पास है ही नहीं । असल में हम चाहे क्रोटि उपाय कर लें,एक-न-एक दिन हमें इस दुनियां से जाना तो है ही । यह प्रकृति का नियम है । आया है सो जाएगा,राजा रंक फकीर । इसलिए हमें प्रकृति के इस साश्वत सत्य को भी स्वीकार करना ही होगा । लेकिन इसका मतलब नहीं होना चाहिए कि हम स्वस्थ रहने का प्रयत्न ही छोड़ दें । हम जबतक जीएं, स्वस्थ जीएं ,प्रशन्न रहें और कुछ ऐसा कर जाएं कि भावी पीढ़ियां हमें याद करें ।

चाहे आप कितना भी बड़ा पद प्राप्त कर लें लेकिन अगर आपका स्वास्थ्य ठीक नहीं है तो आप अपनी उपलव्धियों का सुख  नहीं उठा सकते हैं । ऐसे कई उदाहरण देखने को मिलता है जब कई महत्वपूर्ण पद से स्वास्थ्य कारणों से लोगों को इस्तिफा देना पड़ा । इसलिए हमें निरंतर स्वास्थ्य के प्रति सचेष्ट रहना चाहिए। परंतु यह संभव हो  कैसे ?

हर व्यक्ति का प्रकृति, स्वभाव एवम् रुचि भिन्न होता है । साथ ही सब अनवांशिक रूप से भी एक-दूसरे  से कई मामले में भिन्न-भिन्न होते है । इसीलिए सबों के लिए कोई एक पैमाना नहीं नियत किया जा सकता है । लेकिन इतना तय है कि सब को अपने परिस्थिति और आवश्यकता के अनुसार स्वास्थ्य के लिए कुछ जरूरी उपाय करना चाहिए ताकि वे विमारियों के चंगुल में न पड़े और अगर विमारी हो ही गई है तो उस से यथाशीघ्र निजात पा लें ।

भारतीय जीवन पद्धति में विमारी से वचाव के लिए खान-पान और दिनचर्या पर बहुत जोर दिया गया हे । इस बात का पूरा ध्यान रखा गया हे कि विमारी हो ही नहीं । इसके लिए नियमित आहार-विहार,स्वस्थ आदतें एवम् सात्विक चिंतन को आधार बनाया गया है । नियमित प्राणायाम और योगासन से शरीर को उर्जामय बनाने का प्रत्न किया जाता हे । शाकाहारी भोजन पर  जोर दिया जाता हे । इस बात का बहुत ही महत्व दिया जाता हे कि लोग प्रकृति से जुड़ें और  नैसर्गिक सुख-सुविधाओं का लाभ उठाएं ।

अंग्रेजी चिकित्सा पद्धति में तरह-तरह के रासायनिक उत्पादों से दवाइओं का निर्माण किया गया है जिसके उचित मात्रा में प्रयोग कर विमारी को ठीक करने का प्यत्न किया जाता है । कई बार विमारी ठीक तो हो जाती है लेकिन कई नये समस्याओं को जन्म दे जाती है । उदाहरणस्वरुप, अगर आप एनटीबायोटिक लेते हैं तो साथ-सात पेट खराप हो जाने का और भूख नहीं लगने की परेशानी हो जाती है । इसी तरह लगातार दर्द निवारक दवाइओं का प्रयोग करते रहने से किडनी जैसा महत्वपूर्ण अंग खराप हो जाता है । कहने का मतलब है कि एलोपैथी चिकित्सा पद्धति अपने-आप में पूर्ण नहीं है । एक समस्या को ठीक करते-करते कई और नई समस्या पैदा कर देती है । शल्यकृया एलोपैथी चिकित्सा पद्धति  का एक महत्वपूर्ण देन है । इस से कई बार गंभीर विमारयों से मुक्ति मिल जाती है । अंगप्रत्यार्पण द्वारा कई बार बेकार हुए अंगों को बदल दिया जाता है और अवश्यंभावी मृत्यु को सालों सफलतापूर्वक टाल दिया जाता है ।

असल में प्रकृति से कटते रहना और और नित्य नए व्यसनों का आदी होना हम पर बहुत भारी पड़ा है। प्रकृति में कोई भी जीव -जन्तु बीड़ी-सिगरेट पीने का आदी नहीं होता है । कोई भी जनवार शराब नहीं पीता है। स्वभाविक रूप से जो कुछ उनके स्वभाव के अनुसार उपलव्ध है उसी से जीवन चलाते हैं । कई पशु तो पूरी तरह शाकाहारी होते हैं , वहीं कुछ मांसाहार पर ही निर्भर होते हैं । लेकिन एक हम हैं जो अपनी बुद्धि का दुरुयोग कर तरह-तरह की आदतों के शिकार हो जाते हैं । परिणामस्वरुप, हम नित्य नये-नये विमारियों का इलाज कराते फिरते हैं ।

मरना-जीना तो ईश्वर के हाथ है । यह भी सत्य है कि दीर्घायु होना कई बार दुखकर ही हो जाता है । कई ऐसी घटनाओं को देखना पड़ता है जिेस से अपार दुख होता हे । परंतु नियति के आगे हम विवश हो जाते हैं । लेकिन इस बात को नहीं भूलना चाहिए कि जीवन ईश्वर का अनमोल उपहार है । हम इस दुनिया में बहुत कुछ देख सकते हैं,कर सकते हैं । इसलिए जरूरी है कि हम जब तक जीवित हैं यथासाध्य स्वस्थ रहने का प्रयत्न करें ताकि हमारा जीवन अधिक से अधिक अर्थपूर्ण हो सके ।

रविवार, 11 अगस्त 2019

अष्टयाम आ नबाह


अष्टयाम आ नबाह



सन्१९६२ भारत चीनक युद्धक हेतु प्रसिद्ध अछि । ओहि समयमे हमसभ मिडिल इसकूलसँ सातमा पास कए हाइ इसकूल इकतारामे आठमामे नाम लिखओने रही । सौंसे देश चीनक खिलाफ सनसन करैत छल । अपन देशक सामरिक आ आर्थिक सामर्थ्य सीमित छल । चीनक सेना बढ़िते जा रहल छल। गाम-गाम लोक रेडिओक समाचार सुनबा हेतु आतुर रहैत छल । मुदा समाचार सुनि लोकसभक लोलपर फुफरी पड़ैत छल। ओही समयमे गाम-गाम ई हवा बहि गेल जे प्रलय होबए बला अछि । एहि बातक चीनसंगे  भेल युद्धसँ किछु लेना-देना नहि रहैक । मुदा ई घटना ओही लग-पासक हेबाक कारण तकर चर्च होएब स्वभाविक ।

गामक-गाम नबाह,अष्टयाम, यज्ञ  होबए लागल । नाना-प्रकारक अनुष्ठान होइत रहल। तात्पर्य इएह छल जे प्रलयक भविष्यवाणी फेल भए जाइक । हमसभ तँ नेना रही । ओतेक बात नहि बुझिऐक । मुदा लोकसभक मोन आशंकित देखि चिंता तँ हेबे करए जे कहि नहि की होएत,किओ बचत की सभ दहि-बहि जाएत। कहि नहि एहन भविष्यवाणी केनहार के छलाह आ हुनकर की उद्येश्य छलनि? जे छलाह मुदा समाजमे हरकंप तँ भइए गेल छल ।

कोनो आसन्न महान संकटसँ निजात पएबाक हेतु गामक-गाममे अष्टयाम आ नबाहक प्रकारक कीर्तन करबाक उजाहि उठि गेल  छल । हमरा गाममे तँ अष्टयाम आ नबाहक जेना बाढ़ि आबि गेल छल । साइते कोनो घर रहल होएत जतए अष्टयाम नहि भेल । व्रह्मस्थानमे नबाह भेल छल । गाम-गामसँ कीर्तनिआँसभ झुंड बना-बना अपन समयपर रंग-विरंगक सुर-तान दैत कीर्तन करैत छलाह । हमरा मोन पड़ैत अछि जे जमुआरी,बिचखाना,पौना, झोंझी आ कहि नहि कुन-कुन गामक लोकसभ ढ़ोलक,झालि, हरमुनिआ लेने अबैत छलाह आ दू-तीन घंटाक अपन पारमे  अनेकानेक सुर-तान दैत निर्धारित मंत्रकेँ  गबैत रहैत छलाह । बाल्टीक-बाल्टी सरबत घोरल जाइत छल आ कीर्तनिआँसभकेँ कीर्तन समाप्तिक बाद पिआओल जाइत छल । एकटा मंडलीक समय समाप्त हेबासँ पहिने दोसर मंडली तैयार रहैत छल जाहिसँ नवाह संकीर्तन अवाध्य चलैत रहए,खंडित नहि होअए।

संकीर्तनक मंत्रकेँ फिल्मी गानाक तर्जपर गेनाइ आ कीर्तनमे घुमैत काल अनेकानेक प्रकारक नृत्य भंगिमा सेहो कैटा मंडली द्वारा कएल जाइत छल । एकटा झालि बजओनिहार सामनेक दोसर झालि बजओनिहारक झालिपर झालि रखबाक हेतु उनटि जाइत छलाह । झालिपर- झालि बजाकए फेर पूर्वबत भए जाइत छलाह । धीया-पूतासभ एहि दृष्यसभसँ बहुत प्रभावित  रहैत छलाह आ घंटो कार्यक्रमकेँ देखैत रहैत छलाह । जमुआरीक मंडली एहि हेतु नामी छल । एहि मंडलीमे हमर पिताजीक एकटा कर्मचारी स्वर्गीय कीर्तन सिंहकेँ कीर्तन करैत देखि हमरा बहुत नीक लगैत छल । कहि नहि सकैत छी जे गाम-गामसँ अनेकानेक कीर्तन मंडलीकेँ अबैत-जाइत देखि नेनासभकेँ कतेक प्रशन्नता होइत छल। नबाह एक हिसाबे ग्रामोत्सव होइत छल ।

एहन माहौल भए गेल रहैक जे हमसभ चारि-पाँचटा नेनासभ मिलि कए अपने ओसारापर अष्टयाम शुरु कए देने रही । बादमे जखन बाबूजीकेँ पता चललनि तँ ओ बहुत असमंजसमे रहथि । हमसभ कोनो खराप काज तँ नहि करैत रही जे सोझे रोकि देल जाइत,मुदा समस्या रहैक जे दूपहर रातिमे ओकरा कोना आगू ससराओल जाएत । लग-पासक धीया-पूतासभकेँ हम जा-जा कए बजाबी मुदा सभठाम लोकसभ किछु -ने-किछु दिक्कतिबला गप्प करथि कारण राति बढ़ल जाइत छल,लोकसभ नीन्नसँ मातल छल । ऊपरसँ जाढ़क मास छलैक । सीरक छोड़ि कए कीर्तन करए के अबैत? हारि कए आधा रातिमे कीर्तन बंद करए पड़ल । मोसकिलसँ तीन-चारिटा छौंड़ासभ  मिलि कए एकटा टेबुलक चारूकात घुमि-घुमि कए अष्टयाम करए चलल रही । टेबुलक बीचमे भगवानसभक फोटो राखि देने रहिऐक । एक हिसाबे ई धीया-पूतासभक खेल छल । असलमे किछुदिनसँ लगातार गाममे यत्र-तत्र  एहन कीर्तनसभ होइते रहल छल जकर प्रभाव नेनासभक माथापर पड़ल हेतैक ,सएह बुझा रहल अछि। अष्टयामक संकल्प अधूरा रहि गेल । एहिबातक दुख कैगोटेकेँ भेलनि आ थोड़ेक दिनक बाद फेरसँ विध-विधानसँ अष्टयामक आयोजन हमरसभक दरबाजापर भेल । कहि नहि सकैत छी जे हम आ हमर संगीसभ एहि बातसँ कतेक खुश भेल रही ।

अष्टयामक प्रभाव भेल कि नहि भेल से तँ नहि कहब मुदा ओहि साल कोनो तेहन आफद नहि आएल जकर आशंकासँ गामक-गाम लोकसभ अष्टयाम,नवाह,यज्ञसभ करए लागल रहथि। हँ,ओहिसाल एकटा बात जरूर भेल। की भेल? मोन पड़ि रहल अछि की? नहि, तँ सुनू । गामक-गाम आम खूब फड़ल रहए । कलमसभमे आमक पथार लागि गेल रहए । आम  खाइत-खाइत लोकसभ जहन थाकि गेलाह तँ धरिआक -धरिआ अमोट पाड़ल गेल । अखनो मोन पड़ैत अछि जे कलमसभमे कतेक चुहचुही रहैत छल ।

नेनाक बाते किछु आओर होइत छैक । कलममे आमक रखबारी करबाक हेतु मचान बनाओल गेल छल ।  हमहु अपन संगीसभक संगे आमक रखबारीक बहाना बनाकए कलममे रातिभरि रहि जेबाक जोगारमे रही । मुदा बाबूजीकेँ बहुत चिंता भेलनि आ राति बढ़ैत देखि लालटेन लेने कलम पहुँचि गेलाह । हारि कए हमसभ घर आपस भए गेलहुँ।

गाम-गाममे अष्टयाम आ नवाह अखनो होइते अछि । हमरा गाममे तँ नियमित रूपसँ सालमे एकबेर नवाह होइते अछि । मुदा जे उजाहि सन् १९६२मे उठल रहए से फेर कहिओ देखबा-सुनबामे नहि आएल । आब तँ ओ बात बहुत पुरान भए गेल । मुदा अखनो कीर्तनसभक प्रतिध्वनि माथक कोनो कोनमे ओहिना होइत रहैत अछि जेना की ई कल्हुके गप्प होइक ।

गुरुवार, 8 अगस्त 2019

अखबार माने टाइमपास


अखबार माने टाइमपास



कै बेर लोक कहताह-"हौ! अखबार पढ़ने कोनो पेट भरैत छैक?"

पेट भरौक कि नहि मुदा मोन तँ भरिते छैक । फेर हमसभ तँ सामाजिक प्राणी छी । लग-पासमे रहनिहार लोकक सुख-सुविधाक ध्यान राखब आ विपत्तिमे संगे ठाढ़ होएब बहुत जरूरी होइत अछि । से तँ तखने होएत जखन हम अपना-आपकेँ  समाजसँ जोड़ि कए राखी  । ताहि हेतु अखबार एकटा बहुत सशक्त माध्यम  साबित भए सकैत अछि ।

अखबारक सबसँ पैघ फाएदा ई थिक जे अहाँ नित्य भिरे-भोर किछु नव घटनासँ जुड़ि जाइत छी । नित्यप्रति देश-परदेशमे  भए रहल परिवर्तनसँ अवगत होइत छी । ततबे नहि, लग-पासक बहुत रास  सुविधा-असुविधासँ परिचित होइत रहैत छी । बहुत लोकक  तँ ई स्थिति अछि जे जँ भोरे उठि कए भफाइत चाहक चुस्कीक संग अखबारक चासनी नहि भेटतनि तँ बुझू बोखार लागि जेतनि । घरसँ बाहर भए अखबारक आगमनक प्रतीक्षा करए लगताह । अखबार पढ़ि लेलाक बाद एकटा संतुष्टिक भाव मोनमे अबैत अछि । प्रायः भोरुका एकघंटा समय चाहक संगे अखबार पढ़बामे नीकसँ बीति जाइत अछि ।

भोरुका अखबार माने टाइमपास । जौँ भोरमे अखबार  आबएमे विलंब भेल तँ कै गोटे  परेसानी बढ़ि जाइत छनि । कै गोटे अखबारबलाक बाट तकैत-तकैत  बाहर निकलि जाइत छथि । अखबारबलाकेँ फोनपर फोन होबए लगैत अछि । ओहो तँ मनुक्खे अछि । कहिओ बिमार पड़ि सकैत अछि,जरूरी काज आबि सकैत छैक । कारण किछु भए सकैत छैक मुदा एहन नहि भए सकैत अछि जे ओ कहिओ छुट्टी लेबे नहि करए । मुदा अखबारक चस्का तेहन होइत अछि जे लोक एक्कोदिन ओकर बिना रहिए नहि सकैत अछि । बेचैन भए जाइत अछि । एकरे कहल जाइत अछि अमल । भोरमे अखबार पढ़ब सेहो एकटा अमले थिक जकर चस्का कोनो निसासँ कम नहि होइत अछि ।

अखबारक कुन पन्ना के सबसँ पहिने उलटओताह ओ हुनकर रूचि आ स्वभावपर निर्भर करैत अछि । हमरा कार्यालयमे एकटा कर्मचारी अखबार पढ़एकाल सबसँ पहिने  बिचलका पन्ना पढ़ैत छलाह जाहिमे जिलाभरिमे भेल खून-खराबाक समाचार भरल रहैत छल । तहिना जौँ किओ क्रिकेटप्रेमी छथि तँ ओ सभसँ पहिने खेल समाचार पढ़ता। राजनीतिमे रूचि रखनहार  लोक प्रथम पृष्ठ सभसँ पहिने पढ़ताह ।  तकरबाद दुनिआ भरिक राजनीतिक गप्प करताह जेना कि सभटा जिम्मेबारी हुनके माथपर होनि ।

अखबारक अभाव ओकर उपस्थितिसँ बेसी लक्षित होइत अछि । जौँ कोनो कारणसँ कहिओ अखबार नहि आएल तँ भोरेसँ मूड खराप होएब स्वभाविक । चाह तँ आबि गेल मुदा अखबार बिना चाहक कोन आनंद रहि गेल'-से मोनमे होइत रहैत अछि । कै गोटा तँ अखबार आनबाक हेतु दिन-राति एक कए दैत छथि । जौँ किओ मधुबनी वा दरभंगा जा रहल छथि तँ हुनका अखबार अनबाक भार देथिन जे घुरतीमे अखबार लेने आएब। सोचएबला गप्प थिक जे आखिर अखबारक एतेक प्रयोजन किएक रहैत छैक? किछु तँ एहन बात हेतैक जे अखबार मंगाएब आ पढ़ब एतेक महत्वपूर्ण भए गेल अछि ।

असलमे अखबारमे एकहि संगे बहुत रास लोकक आवश्यकताक पूर्ति होइत अछि । जकरा नौकरी चाही से नव-नव रिक्तिक सूचना देखि अपन दर्खास्त लगा सकैत छथि । जिनका बिआह करबाक छनि हुनको लेल ओहिमे विज्ञापन देखल जा सकैत अछि । परीक्षाक परिणाम सेहो ओहिमे पढ़ल जा सकैत अछि । गाम-घरक समाचार तँ भेटिए जाइत छैक ।

अखबार नियमित पढ़बाक फाएदा जगजाहिर अछि । थोड़बे कालमे दुनिआ भरिक चहलकदमी पता लागि जाइत अछि ,सेहो बिना कोनो विशेष प्रयासक । ओना आइ-काल्हि समचारक माध्यममे बहुत रास इजाफा भेल अछि । मोबाइल फोन,दूरदर्शन,,घर-घर पसरि गेल अछि । कहि सकैत छी तखन अखबारकेँ के पुछैत अछि? मुदा से बात नहि अछि । कतबो किछु भेलैक अछि,मुदा अखबारक बिक्री बढ़बे कएल अछि । तकर की कारण? एकटा प्रमुख कारण थिक जे अखबारमे पाठकक हाथमे रहैत छैक जे कोन समाचार  कतबाकाल धरि पढ़ल जाए । चाहथि तँ ओ प्रमुख पाँतिसभ पढ़ि कए अखबारक पन्ना पलटि देथि नहि जँ कोनो समाचार बेसी रुचिगर  किंवा उपयोगी बुझेलनि तँ ओकर पाँति -पाँति पढ़ि जाउ,मर्जी पाठकक । मुदा दूरदर्शनमे से बात नहि रहैत अछि । जहाँ समाचार देखए लागब कि प्रचारक शृंखला शुरु होएत । लिअह औ बाबू!रिमोट हाथमे लए चैनेलसभ बदलैत रहू मुदा बात ओतबे भेटत । सब चैनेलबला से सीखा-बुद्धी केने रहैत अछि जे सभठाम विज्ञापन एकहि संगे होइत रहैत अछि । हारिकए दर्शक बैसि जाइत छथि आ जएह-सएह देखैत रहि जाइत छथि । मुदा अखबारमे से बात नहि होइत अछि । लोक अपन रुचिक हिसाबसँ निर्णय कए सकैत छथि जे की पढ़ी आ की नहि । ककरा नीकसँ पढ़ी आ ककर मुख्य पाँति पढ़ि कए आगू बढ़ि जाइ । कहक माने जे  नियंत्रण पढ़एबलाक हाथमे रहैत अछि । मुदा अखबारोकेँ अपन सीमान छैक । एकतँ ओ एक-दू दिन पुरान समाचार छपैत अछि । कारण जाबे समाचार छपतैक आ लोकक हाथमे पहँचतैक ताबे तँ ओ बसिआ भए जाइत अछि । अस्तु,कै बेर संवेदनशील समाचारकेँ सद्यः देखबाक हेतु  दूरदर्शनक जबाब नहि अछि । घरे बैसल चंद्रमाक धरातलपर छंद्रयानक गतिविधि देखू,मोन होअए तँ संसद कार्यवाही देखू । ई काज अखबारसँ तँ नहिए भए सकैत अछि । तथापि,अखबारक अपन महत्व छैक आ रहबे करतैक ।


मंगलवार, 6 अगस्त 2019

भारत का भविष्य


भारत का भविष्य



भारत का धार्मिक आधार पर विभाजन आधुनिक इतिहास का अत्यंत दुखद प्रसंगों  में सदा स्मरण किया जाएगा । यह समझना कठिन है कि तत्कालीन नेताओं ने अंग्रेजों का विभाजन के पीछे का चाल क्यों नहीं समझा । वे कभी भी हमारे शुभचिंतक नहीं थे । उनका मकसद ही हमें इतना कमजोर कर देना था कि हम आगे चलकर भी स्वतंत्र राष्ट्र के रूप में स्थापित नहीं हो सकें । अंग्रेजों ने देश के टुकड़े-टुकड़े कर देने के अपनी योजना को कार्यान्वित करने के लिए देश के भीतर सैकड़ों देशी नरेशों को स्वतंत्र रहने की छूट दे दी । इसका परिणाम यह हुआ कि अंग्रेजों के जाते ही सैकड़ों स्वतंत्र देश के उदय की संभवना प्रवल हो गई । विभाजन की व्यवस्था इतनी बिचित्र  थी कि हजारों मील दूर पूरबी पाकिस्तान(अब वंगला देश) और पश्चिमी पाकिस्तान एक देश बन गए । भौगोलिक दृष्टि से ही नहीं,सांस्कृतिक रूप में भी वे विल्कुल भिन्न थे । उनका रहन-सहन,खान-पान,भाषा सब कुछ विल्कुल अलग था । बस इसलिए कि वहाँ मुसलमानों की संख्या अधिक थी ,वे एक देश बन गए । बन तो गए पर एक रह नहीं सके । रह भी नहीं सकते थे । एक साथ रहने का कुछ भी तो हो । पश्चिमी पाकिस्तान के पंजाबी सेना और प्रशासन के प्रमुख पदों पर इस तरह काबिज हो गए की  पूरबी पाकिस्तान के लोगों को द्वेम दर्जे का नागरिक भी नहीं माना जाता था । उनका तरह-तरह से शोषण होता था । हद तो तब हो गई जब चुनाव जीत जाने के बाद,बहुमत प्राप्त कर लेने के बाद भी मुजीबुर रहमान को पाकिस्तान का प्रधानमंत्री नहीं बनने दिया गया । उसके बाद जो हुआ बस इतिहास है । अंततोगत्वा, पूरबी पाकिस्तान टूटकर अलग राष्ट्र बंगलादेश बन गया ।

जो व्यवस्था अंग्रेजों ने की थी और हमारे तत्कालीन नेताओं ने मानी थी उसके अनुसार देश के बीचोबीच हैदराबाद पाकिस्तान का हिस्सा हो जाता । और भी कई स्वतंत्र देश बन गए होते । भला हो वल्लभ भाइ पटेल का जिस से हम बच गए । उन्होंने दिन -रात मिहनत कर के सैकड़ों देशी नरेशों को भारत में विलय के लिए मना लिया । परंतु काश्मीर के मामले में पेंच फँस गया जिसका परिणाम आज भी हम भुगत रहे हैं ।

काश्मीर समस्या  हमारे देश के लिए खतरे की घंटी बनी हुई है । दुनिया के कई देश पाकिस्तान के साथ मिलकर भारत को दबाने की कोशिश करते हैं । वे मनमाने तरीके से इस समस्या का समाधान ढ़ूंड़ते हैं और फिर हम से अपेक्षा करने लगते हैं कि हम वैसा ही करें जैसा वे चाहते हैं । हाल में अमेरिका के राष्ट्रपति ट्रंप द्वारा दिया जा रहा मध्यस्तता का प्रस्ताव ऐसा ही कुछ संदेश देता नजर आ रहा है । जबकि भारत ने वारंबार स्पष्ट किया है कि काश्मीर समस्या का समाधान भारत-पाकिस्तान के बीच द्विपक्षीय वार्ता से ही संभव है ,किसी तीसरे पक्ष का इसमें कोई हस्तक्षेप हमें मंजूर नहीं है । पर अमेरीका है कि मानता ही नहीं । आजकल वह इमरान खान को खुश करने के चक्कर में लगातार भारत के हित के खिलाफ बयान देता जा रहा है । निश्चय वे एसा अफगानिस्तान में पाकिस्तान का समर्थन प्राप्त करने के लिए कर रहे हैं । पर उन्हें यह भलीभाँति पता होना चाहिए कि भारत का वर्तमान राजनीतिक नेतृत्व  बहुत ही मजबूत इरादोंवाला और परिपक्व है और वह राष्ट्रहित के खिलाफ किछ भी नहीं कर सकता है ।

आज यह स्थिति है कि काश्मीर का अधिकांश हिस्सा हमारे कब्जे में है ,परंतु इसका कुछ भाग अभी भी पाकिस्तान के अधिकार क्षेत्र में है । इसे  पाकिस्तान अधिक्रित काश्मीर  कहा जाता है । यह बात सभी जानते हैं कि अगर तत्कालीन उपप्रधानमंत्री सरदार वल्लभ भाइ पटेल को कुछ और  समय मिल गया होता तो पूरा-का -पूरा काश्मीर हमारा होता । परंतु नेहरुजी ने हस्तक्षेप कर आगे बढ़ते हुए भारतीय फौज को रोक दिया। उन्होंने ही काश्मीर मामले में यूएनओ के हस्तक्षेप की गुंजाइस कर दी । अब क्या हालात है वस किसी से छिपा नहीं है । नित्य हमारे जबान आतंकिओ द्वारा मारे जा रहे हैं । कास्मीरी पंडितों को अपने  पूर्वज की भूमि से खदेर दिया गया है । उनकी  जायदाद पर अनाधिकार कब्जा कर लिया गया है  और अपने ही देश में वे शरणार्थी बने हुए हैं । इस से ज्यादा दूर्भाग्यपूर्ण स्थिति क्या हो सकती है?

अर्से से लोग कहते रहे हैं की देश के अन्य राज्यों की तरह काश्मीर में कानूनी रूप से वही व्यवस्थाएं होनी चाहिए जैसा कि कहीं अन्यत्र हैं । भारत के संसद ने काश्मीर मे लागू धारा ३७० के प्रावधान को संशोधित कर दिया है जिस से जम्मू और काश्मीर भारत का अभिन्न अंग हो गया है । अब इस पर वे सभी कानून लागू होंगे जो देश के अन्य भाग में लागू हैं । इस तरह जम्मू और काश्मीर को संविधान द्वारा प्राप्त विशेषाधिकार समाप्त हो गया है । यह काम तो बहुत पहले ही हो जाना चाहिए था । लेकिन राजनीतिक कारणों से ऐसा नहीं किया जा सका । अब जबकि  संविधान के प्रावधानों मे जरूरी संशोधन करके जम्मू और काश्मीर को प्राप्त विशेषाधिकार समाप्त कर दिया गया है,हम आशा कर सकते हैं कि देश के अन्य भागों में हो रहे विकास कार्यों का लाभ जम्मू और काश्मीर की जनता को मिलेगा और वे  पहले से कहीं ज्याद सुखी रहेंगे ।

यद्यपि भारत एल लोकतांत्रिक गणराज्य है और देश के नागरिकों को कहीं भी बसने,जीविकोपार्जन करने का मौलिक अधिकार संविधान से प्राप्त है लेकिन व्यवहार में इसका कार्यान्वयन दिन-प्रतिदिन कठिन होता जा रहा है । लगभग सभीलोग चाहते हैं कि  उस राज्य की नौकरी में बाहरी प्रान्तों के लोग नहीं आएं । अगर नौकरी ही नहीं कर पाएंगे तो बसेंगे कहाँ से? कहने का मतलब है कि संवैधानिक अधिकार होते हए भी देश के नागरिक अपने अधिकारों से वंचित  रह जाएंगे । ऐसे माहौल में राष्ट्रीय एकता कहाँ से स्थापित हो सकती है । यही कारण हैक यदा-कदा देश को तोड़ने की चर्चा भी करते हुए लोग पाए जाते हैं और उनको भी समर्थक मिल जाते हैं ।

अपने देशमें ज्यादा ही लोकतंत्र है । कुछभी करके लोग कहते सुने जाते हैं कि वह तो उनका लोकतांत्रिक अधिकार है । इसके लिए कानूनी व्यवस्थाओं को तरह-तरह से व्याख्या की जाती है । सत्ता प्राप्त कर लेना राजनीतिक दलों का एकमात्र लक्षय लगता है । इसके लिए वे कुछ भी कर सकते हैं । जाति व्यवस्था को फिर से देश के केन्द्रविंदु में खड़ा कर देना इसका प्रमाण है । कम से कम शहरी क्षेत्रों से जातिवाद समाप्त प्राय हो गया था । किंतु राजनीतिक स्वार्थ के लिए अब इस समस्या को इतना महत्व दे दिया गया है कि वे लोग जाति को वोटवैंक का सबसे आसान जरिया समझा जाने लगा है । फिर और कुछ करने का बबाल क्यों किया जाए। जाति के नाम पर देश की आर्तिक संपदा को लूटने में भी वे पीछे नहीं रहते । फिर कोई समस्या हो तो जाति का ही सहारा लेकर बच निकलने में कई बार कामयाब हो जाते हैं । यह देश का दूर्भाग्य ही समझिए की स्वतंत्रता प्राप्ति के इतने वर्षों के बाद भी हम गुण-दोष के आधार पर मतदान करने के बजाए जाति और धर्म को प्रमुखता देते हैं जिस कारण सही लोग राजनीति के दंगल में टिक ही नहीं सकते हैं ।  जिस दिन भारत वर्ष में नागरिक ऐसा करेंगे,और लोकसभा/विधानसभा में उम्मीदवारों का चयन  उसके कार्य  एवम् चरित्र पर आधारित होने लगेगा उस दिन देश का भविष्य ही कुछ और हो जाएगा । हम इस विषय पर गंभीरता  से विचार करें और संकल्प लें कि हम अपने देश को उत्कर्ष पर पहुचाने के लिए कुछ भी कसर नहीं छोड़ंगे । हम ऐसे लोगों को कभी भी  तरजीह नहीं देंगे जो स्वार्थवश समाज को धर्म  और जाति के नाम पर बांटते हैं और अभी  भी फूट डालो और राज करो के सिद्धांत पर चल कर देश और समाज का घोर अहित कर रहे हैं ।