मैथिलीमे हमर प्रकाशित पोथी

मैथिलीमे हमर प्रकाशित पोथी

सोमवार, 29 मई 2023

सन् २०१८मे प्रकाशित हमर मैथिली उपन्यास महराज(ISBN: 978-93-5321-395-4)क हमर ब्लाग स्वान्तः सुखायपर धारावाहिक पुनर्प्रकाशन(भाग सोलह सँ बीस धरि )

 

१६

 

राजमंत्री कालू भगतकेँ रहबाक हेतु एकटा पैघ कोठरी दए देलखिन। तकरबात हुनकर जलखै,चाह-पानक व्यवस्था हेतु भनसिआकेँ कहि देलखिन। कालूक बेस आव-भगत होमाए लागल। दिन-राति कोना बीति जाइक से ककरो पता नहि चलैक। ओमहर महराजी भगता सेहो कालूसँ संपर्कमे रहथि। मखनाक संचिका पढ़ब आ बूझब हुनकर बसमे नहि रहनि कारण ओकर भाषा बहुत विचित्र छलैक।

महराजी भगता कालू भगताकेँ अपन गुटमे सामिल करबाक प्रस्ताव हरिकेँ देलखिन जे ओ सहर्ष मानि लेलाह। कालूक महराजी भगताक दलमे सामिल हेबाक अधिसूचना निकलि गेल। एहिबातसँ अतिप्रसन्न भए कालू भांग खाए सुति गेलाह। भोरे जखन निन्न टूटल तँ देखैत छथि जे निशाक कतहुँ अता-पता नहि अछि।

यमपुलिससभ मखनाकेँ पकड़बाक हेतु चारूकात पसरि गेल छल। ओकरासभक हाथमे यमपाश छलैक। मुँह-कान भयाओन लगैत छलैक। ओ सभ विचित्र प्रकारक वस्त्र पहिरने छल जाहिसँ ओ ककरो देखाइत नहि छल मुदा ओ सभ देख रहल छल। मखना जान बचाबए हेतु चारूकात भागि रहल छल। आब ओकरा मनुक्खक देह तँ रहैक नहि जे मृत्युलोकमे कतहुँ रहि जाइत। ओ तँ यमलोकक रस्तेमे हेरा-फेरी कए यमदूत बनि गेल छल। आब ओकर पोल खूजि गेल अछि, ओ की करए?कोनो रस्ता नहि देखा रहल छलैक। कालू भगता सेहो फेल छल। बहुत मोसकिलसँ ओ बूझि सकल जे मखना ओकर मृत भाए थिक। मुदा किछु मदति नहि कए पाबि रहल छल। मखनाक मौलिक संचिका से महराजी भगताक कबजामे चलि गेल रहैक। सच कही तँ मखना आब चारूकातसँ घेरा गेल छल। पता नहि यमराज ओकर की गति करतैक?

कालू एहि विषयमे महराजी भगतासँ विचार-विमर्ष केलथि मुदा ओ हँसि कए टारि देथि। समाधान किछु नहि कहथि। प्रायः हुनको किछु नहि फुराइत रहनि जे एहि बबालसँ कोना पार पाओल जाए?

एमहर निशाकेँ निपत्ता भए गेलासँ कालू बेचैन छल। "आखिर ओ गेलीह कतए?"-वारंबार इएह प्रश्न ओकरा मोनमे घुमैत छलैक। अछता-पछता कए ओ महराजी भगता ओतए पहुँचल। रातिक समय छलैक। महराजी भगता पीने बुत्त रहथि। माथ अपना काबूमे नहि रहनि। कालूकेँ देखिते बाजि उठलाह-

"किएक बेचैन छह। निशा महराजक रंगमहलमे अछि आ आब ओतहि रहत। जानक काज होअ तँ कात भए जाह।"

-से कहि ओ दहिना दिसक महलक दिस इसारा केलक। कालूक तामस तँ असमान छुबि रहल छल। ओकरा मोन होइक जे दौरि कए महराज लग पहुँचए आ हुनकर गला घोंटि देअए। ओकर मनोभावकेँ महराजी भगता नीकसँ पढ़ि लेलाह। आखिर कतेको सालसँ ओहि हातामे रहि रहल छलाह। मोने-मोन हुनका बड़ हँसी लगैत छल। असलमे ई लफड़ा ओकरे लगाओल छल।q

१७

 

महराजक कृपासँ हमर पढ़ाइ नीकसँ चलए लागल। कालेजमे नाम लिखा गेल। कतेको बेर कालेजसँ घुरैत काल माएक ध्यान अबैत छल। मुदा सोची जे किछु एहन काज करी जाहिसँ माता-पिताक नाम अमर भए जाए। ई काज तँ विद्येसँ भए सकैत छल। विद्याबले लोक बड़का अधिकारी भए सकैत अछि। कलक्टर,जज भए सकैत अछि। किछु संभव अछि। तेँ हम सभ बातकेँ बिसरि पढ़ाइ-लिखाइमे लागल रहैत छलहुँ। दिन-राति परिश्रमपूर्वक पढ़ाइमे लागल रहलासँ परीक्षाफल बहुत उत्तम होइत चलि गेल। सभदिन प्रथमश्रणीमे सफल होइत गेलहुँ।

हमर मामाकेँ एहिबातसँ बहुत प्रसन्नता रहैत छलनि जे हम एतेक मनोयोगपूर्वक अपन काजमे लागल रहैत छी। महराज सेहो हमरा बारेमे उत्सुकता रखैत छलाह। जखन कखनो हमरा नीक परीक्षाफल होइत महराज अपना ओहिठाम बजबितथि आ नानाप्रकारक पुरस्कार दितथि। एहिसँ हमर आत्मसम्मान वढ़ैत गेल। हम निश्चय कए लेलहुँ जे निरन्तर प्रयाससँ पराकाष्ठा धरि पहुँचि कए रहब।

एतेक अभाव ओ कष्टमे हम जीबाक अभ्यस्त रही जे सभ किछु हमरा अपन औकातसँ फाजिले भेटि रहल छल। कालेजमे हमर व्यवहार ओ काजसँ शिक्षक लोकनि बहुत प्रभावित रहथि । सहपाठी लोकनिमे हमरा बहुत यश छल। बेर-कुबेर कतेको विद्यार्थीकेँ अपन खर्चौटामेसँ मदति कए दिऐक। जेकरा जे संभव छल से मदति कए दिऐक।

एहने एकटा विद्यार्थी छलि चंपा। जेहने देखए-सुनएमे पवित्र तेहने पढ़ाइमे चौकस। पारिवारिक स्थिति नीक नहि छलनि। तेँ कतेको बेर कालेज नहि आवथि। पुछितिऐक तँ चुप रहि जैतथि। एहिना एक बेर मास दिन कालेज अएनाइ बंद कए देलथि। ककरोसँ कोनो समाचार नहि भेटए जे आखिर बात की अछि? ओ किएक नहि आबि रहल छथि। ककरोसँ खोलि कए गप्पो करबामे संकोच होइत छल।

एकदिन साँझमे भगवतीक दर्शन हेतु गेल रही। दर्शन कए बाहर निकलि कए प्रसाद सड़िअबैत रही की दूटा बेस जुआएल बानर हमरा दिस दौड़ल। जाबे किछु बुझबै ताबत हाथमेसँ प्रसादक पोटरी छिनि कए ओ भागि गेल। एकटा बानर पोटरी लेने भागि रहल छल आ दोसर ओकर पाछू-पाछू दौड़ रहल छल। हम अबाक ओकरा दिस देखि रहल छलहुँ कि केओ चिकरल-

"श्रीकांत..!

पाछू उनटि कए देखैत छी तँ चंपाकेँ हँसैत देखलहुँ। मास दिनक बाद ओकरा देखलाक बाद मोनमे बहुत प्रसन्नता भेल। पुछलिऐक-

"कालेज किएक नहि आबि रहल छिही? की बात छैक?"

मुदा ओ किछु नहि बाजलि। हमही पुछलिऐक- घरमे सभ ठीक-ठाक छौक ने?"

एहि प्रश्नसँ ओ किछु परेसान भए गेलि। फेर नहूँ-नहूँ आगू बढ़ैत कहए लागलि-

तूँ बूझिए कए की करबह?"

से की? जहन किछु कहबे नहि करबिही तखन बूझबै कोना?

एतबे गप्प भेल छल की ओ बानर कतहुँसँ फेर आबि गेल आ चंपा पर झपटल। जाबे ओ सम्हरितए, जाबे केओ किछु बुझितैक ताबे ओ चंपाकेँ कैक हबक्का मारि चुकल छल।

चंपाक दहिना टांगसँ खून बल-बला रहल छल। ओ जोर-जोरसँ कानए लागलि। बानर बहुत गहींर काटि लेने रहैक। ओकरा चिकरैत-भोकरैत देखि चारू कात कैकगोटे जमा भए गेल, मुदा ककरो किछु नहि फुराइक। हम ओकरा उठौने-पुठौने मंदिरक हातासँ बाहर ठाढ़ रक्सापर रखलहुँ आ कहुना कए ओकरा अस्पताल पहुँचेलहुँ।q

 

१८

 

कुकुर कटबाक चौदह दिन धरि चौदहटा नमगर-नमगर सुइआ चंपाकेँ लागल। ओ परेसान भए गेलि। सौंसे पेटमे गेंठीसभ उगि गेलैक। सीसीमे गरम पानि भरि-भरि ओकर माए दिनभरि ओहि गेठीसभकेँ सेकैत रहैत छलैक। कहुना कए सुइआसभ लागल आ ओकरा कुकुर कटबाक कारण भेल घाव सेहो ठीक भेल। हमरा उमीद रहए जे आब चंपा कालेज आएत मुदा से नहि भेल। पन्द्रह दिन आओर बितल। जखन ओ तइओ कालेज नहि आएलि तँ हमरा नहि रहल गेल। ओहि दिन कालेजसँ लौटति काल हम सोझे ओकर घर चलि गेलहुँ।

गुमती लग ओकर घर छल। घर की छल फूसक घरमे कहुनाक फटक लागल छल। कहुना कए ओ सभ ओहिमे रहैत छल आ जीबिओ रहल छल। एक तरफ महराजक बड़का-बड़का देबाल, बड़का-बड़का पोखरि,चारूकात पसरल नाना प्रकारक महलसभ आ एकदिस एकरसभक घर, जे सभसाल कैक बेर कए खसि पड़ैत छल। वर्षा भेलापर तँ एहि घरक हालति देखए वला रहैत छल। जतेक पानि बाहर खसैत छल ताहिसँ बेसी ओहि घरमे खसैत छल।

ओहि खोपड़ीमे ओकर माए आओर ओ अपने रहैत छलि। पिताक बारेमे चंपाकेँ किछु जानकारी नहि रहैक। की भेलैक, केना भेलैक से चम्पा के किछु नहि बूझल छैक। कैक बेर ओ अपन माएसँ एहि विषयपर चर्च करए चाहलक, मुदा ओ बात आगू नहि बढ़ए दैक। किछु बात तँ रहल होएतैक जे ओकर माए ओकर पिताक चर्चो नहि करए चाहैत अछि? ओकर मोनमे ई बात रहि-रहि कए उठैत रहैत छलैक।

चंपाक घर हम पहिल बेर गेल रही। फटकिएसँ ओकर घरक हाल देखि कए हमरा आगाँ बढ़बाक साहस नहि भेल आ हम चोट्टे घुरि गेलहुँ। आब बुझाएल जे ओ सदरिकाल गुम किएक रहैत छलि। तथापि ओ सौंसे किलासक आकर्षणक केन्द्र छलि। जेहने वुद्धिक विलक्षण तेहने देखबामे पवित्र । जे केओ ओकरा दिस तकैत से तकिते रहि जाइत। ओना कैकगोटे ओकरा संग संपर्क बढ़ाबए चाहलक मुदा ओ ककरो घास नहि दैक। सभकेँ होइक जे ओ बड़ घमंडी स्वभावक अछि। मुदा से सत नहि छल।

आश्चर्यक बात छल जे ओकरा दुनूक गुजर कोना भए रहल छल। ककरोसँ कतहु किछु मंगैत केओ ओकरासभकेँ नहि देखलक। जाबे चंपा नेना रहए ओकरा कोनो बातक ने जानकारी रहैक ने फिकिर। आब ओ छेटगर भए गेल छलि। कालेजमे पढ़ैत छलि। तेँ समाजक प्रभाव ओकरापर होएब स्वभाविक छल।

एकदिन दूपहर राति कए ओ सुतल रहए कि फट्टक खुजबाक अबाज भेलैक। ओकरा बहुत दिनसँ किछु-किछु बात मोनमे घुमि रहल छलैक। समाधान किछु फुराइक नहि। अबाज सुनि ओ अन्ठा कए पड़ल रहलि। ताबतेमे फट्टक खुजल। ऐकटा बेस नमगर-पोड़गर व्यक्ति ओहिठाम आएल। ओकर माए तैयार बैसल छलि जेना ओकरा पहिनेसँ सभबातक आहट होइक। ओकर माए ओहि आदमी संगे बाहर निकललि आ कतहुँ चंपत भए गेलि। आइ पहिल बेर चंपा एहि दृश्यकेँ अपने देखलक। राति भरि ओ असगरे ओहि घरमे पड़ल रहलि। ओकर मोनमे कतेको प्रश्न घुमैत रहलैक। भोर होमएसँ पहिने ओकर माए फेर ओहिठाम आबि गेलि आ दबल पैरे अपन ओछाओन पर पड़ि रहल जेना किछु भेले नहि होइक।

चंपा भरि राति जगले रहि गेलि। भोर भए रहल छलैक। चारूकात लोकसभ अपन-अपन दिनचर्यामे लागि गेल छल। जाड़क मासमे भोरक रौदक आनंद लेबाक हेतु लोकसभ अपन-अपन घरक आगाँ पटिआपर बैसल चाहक संगे मुड़ही खा रहल छल मुदा चंपा अपन ओछाओने पर पड़ल छलि। ओकर माएकेँ बहुत आश्चर्य होइक जे ई आइ एना किएक पड़ल अछि। कालेज जेबाक समय भए गेल छलैक। आखिर ओकर माएकेँ नहि रहल गेलैक।

"चंपा! चंपा!" -अबाज लगओलक। मुदा चंपा कोनो सुतल छलि जे उठति? ओ तँ जगले छलि,भरि राति टकटकी लागल रहलैक आ जे देखलक से बुझबामे लागल छलि। ओकर माए कतबो अबाज देलकैक मुदा ओ टस सँ मस नहि भेलैक। कामिनी अपन बेटीक ई हाल देखि बहुत चिंतित भए गेलि मुदा करितए की?सुतल व्यक्तिकेँ तँ अहाँ जगा सकैत छी मुदा जागल के की जगेबैक?

ओहि दिन चंपा कालेज नहि गेलि। दस बजे ओछाओन परसँ कहुना उठि स्नान केलक आ चुपचाप कतहुँ निकलि गेलि। माए पुछबो केलकैक- "कतए जा रहल छैं?

मुदा ओ किछु नहि बाजलि। ओ दिनभरि एमहर-ओमहर बौआइत रहलि आ साँझ भेने घर आबि गेलि। ओकर माए बहुत चिन्तित रहए। बहुत प्रयास केलक मुदा चंपा किछु बाजल नहि। राति भेल। कनी-मनी भोजन कए ओ सुति रहबाक ढ़ोंग केलक। ओकरा ओहि राति किछु नहि देखैलैक। पड़ले-पड़ल पता नहि ओ कखन सुति रहलि।

एहि प्रकारेँ चंपा कालेज गेनाइ छोड़ि देनि छलि। ककरो कोनो बातक थाह नहि चलि रहल छलैक जे ओ एना किएक कए रहल अछि ने ओ अपने किछु ककरो कहैत छलैक। मुदा ओ बहुत परेसान छलि। माएकेँ किछु कहबाक साहस नहि भए रहल छलैक। एक राति एहिना ओ भगल कए पड़ल जकाँ रहए कि माए केँ उठैत देखलक। केओ बेस नमगर-पोरगर व्यक्ति ओकरा उठा लेलक आ ओतएसँ बिदा भए गेल। चंपाकेँ नहि रहल गेलैक। ओ पाछू-पाछू बिदा भेल। कनिक कालक बाद एकटा सुरंग देखएमे आएल। कामिनी ओहि आदमीक संगे सुरंगमे पैसि गेलि। चंपा सेहो ओकर पछोड़ धेने-धेने चलैत रहलि। किछुकाल चललाक बाद एकटा तहखाना देखएमे आएल। ओकर गेटपर एकटा द्वारपाल ठाढ़ छल। कामिनी केँ देखिते ओ फाटक खोलि देलक। ओ दुनू व्यक्ति आगू बढ़ि गेल। चंपा ई दृश्य देखितहि चोट्टे घुरि गेलि। चंपा कहुना कए गुमती लग पहुँचलि। ओतएसँ सटले चंपाक घर छलैक। अपन घर देखि चंपाकेँ जान-मे-जान आएल।

भोर भए रहल छल। चिड़इ-चुनमुन अपन खोंतासँ उड़ि कए एमहर-ओमहर करए लागल छल। जाड़क समय छलैक। महराजी भगता आ कालू भगता मंत्र-तंत्र कए लौटि रहल छलाह। चाहक दोकान पर भफाइत चाह देखि कए चाह पीबाक इच्छा भेलनि। चाह पीबैत-पीबैत कालूक ध्यान निशापर पड़लैक। ओ ओहि समय गुमती पारकए अपन घर दिस बढ़ि रहल छलि। ओ चंपाक सुन्दरतासँ अत्यंत मोहित भए बड़ीकाल धरि एकटक ओकरा देखिते रहि गेल।

कालू लंपट छलहे। ओकर इच्छा भेलैक जे चंपासँ किछु गप्प-सप्प करी। ताहि हेतु महराजी भगता तैयार नहि भेलाह। कहलखिन- 

बेटी ककरो होइक, हमरा लोकनिक कर्तव्य अछि जे ओकर रक्षा करी।"

एतबा इसारा पर्याप्त छल। कालू चुप-चाप महराजी भगताक पाछू-पाछू बिदा भेल।q

 

१९

 

कालू घर पहुँचल तँ पता लगलैक जे आइ महराजक ओतए बैसारमे हुनका कालू संग जेबाक हेतु आदेश भेल अछि। महराजक बैसारक नामेसँ महराजी भगताक पेटमे हर बहए लागल।

"की बात छैक? हमरा किएक बजाओल गेल?" -से सभ सोचए लगलाह। ताबतेमे महराजक सचिवक फोन सेहो आबि गेल- अजुका बैसारमे अहाँ आबि रहल छी ने? -महराजक सचिव बजलाह।

" अवश्य आएब।"

महराजी भगता धराधर स्नान-ध्यान कए बिदा भेलाह। ताधरि कालू नहि आएल छल। गप्प भेल रहैक जे कालू महराजी भगताकेँ संग करैत बैसारमे जएताह। मुदा ओ समयपर तैयार नहि भए सकलाह। महराजक नामेसँ हुनकर पेट खराब भए गेलनि। कैकटा दस्त भेलनि। जहाँ बिदा हेबाक प्रयास करथि कि पेट गुड़गुड़ाए लागनि। आब की होएत? कहुना बिदा भेलाह। विलंब तँ भइए गेल रहनि। ताबते महराजी भगताक फोन आबि गेल ।

"अहाँ आगू बढ़ू, हम सोझे ओतहि पहुँचि रहल छी।" -कालू फोनपर बाजल।

महराजी भगता तँ बिदा भइए गेल रहथि। महराजक महल लगमे पहुँचलाह तँ देखैत छथि जे कालू दौड़ कए केम्हरो जा रहल अछि। इसारासँ किछु कहबाक चेष्टा कए रहल छथि। महराजी भगता छगुन्तामे रहथि जे एकरा की भए गेलैक, कतए जा रहल अछि आ की कहए चाहि रहल अछि?खैर! ओ एसगरे महराजक महलमे पहुँचलाह।

महराजक महल सजल धजल छल। सिपहसलारसँ अपन-अपन स्थानमे बैसि गेल रहथि। राजमंत्री सेहो पहुँचि गेल रहथि। दूटा कुरसी खाली छल। एकटापर महराजी भगता बैसि गेलाह आ कालूक बाट ताकए लगलाह। मोनमे चिंता रहनि जे यदि कालूकेँ आओर देरी भेलैक तँ आइ ओकर जान बचनाइ मोसकिल छैक।

महराजक आगमनक सूचना देल जा रहल छल। समस्त सभासद लोकनि सावधानक मुद्रामे आबि गेल रहथि कि एकटा व्यक्ति धरिआ सरिअबैत धरफराएल सभास्थलमे प्रवेश कए रहल छलाह। महराजी भगता ओमहरे ताकि रहल छलाह। देखितहिँ इसारा देलखिन आ ओ व्यक्ति महराजी भगताक बगलमे खाली कुरसीपर बैसि गेलाह। महराजी भगता तामसे भेर छलाह। मुँह लाल भए गेल रहनि। होनि जे ओकरा कंठ पकड़ि कए ओतएसँ फेकि दी मुदा किछु नहि कए सकलाह। महराज प्रवेश कए रहल छलाह। तैओ ओ बड़बड़ेलाह- कालू...।"

महराजक सिपहसलार सभ चिचिआ उठल-

सावधान! महराजाधिराज! प्रवेश कए रहल छथि।”

सभ केओ ठाढ़ भए गेलाह। पंडित लोकनि महराजक सम्मानमे श्लोकक पाठ करए लगलाह। महराज नहूँ-नहूँ आगू बढ़ि रहल छलाह। पाछूसँ एकटा सिपहसलार बड़का पंखा हौंकि रहल छल। महराजक शोभा तँ देखैत बनैत छल। ओ अपन आसन ग्रहण केलाह। चारूकातसँ लोकसभ बाजि उठल- महराजाधिराजक जय हो" तकर बाद  राजक गबैआसभ मंगलस्तुति गओलथि। महराज मंद-मंद मुस्कान दए रहल छलाह। रतुका भांगक असरि गेल नहि छल तथापि अपनाकेँ सम्हारने छलाह। सभसँ पहिने राजमंत्री बजलाह-

"महानुभाव लोकनि! महराजक आज्ञा हो तँ आजुक कार्यवाही प्रारंभ हो।"

महराज बजलाह- "एवमस्तु।"

राजमंत्री उठि कए आजुक सभाक कार्यवाही प्रारंभ केलाह। ऐतबहिमे ठनका जकाँ गरजैत आकाश मार्गसँ कथुक प्रवेश भेल। महराज सकदम छलाह। मंत्रीगण एक-दोसर दिस देखए लगलाह। राजपंडित महराजी भगतासँ पुछलाह- ई की भए रहल अछि?

" बहुत अशुभ संकेत अछि। केओ यमपाश फेकलक अछि। "

-महराजी भगता बजलाह। कालूकेँ तँ जेना बुद्धिए हेरा गेल रहनि। पहिल बेर महराजक ताम-झाम देखि रहल छलाह। महराजक दिस तकैत राजपंडित बजलाह- श्रीमान! लगैत अछि यमलोकसँ यमदूतसभ सभास्थलकेँ घेरि लेलनि अछि।"

"कारण?" -महराज बजलाह।

से तँ महराजी भगते कहताह ।" -राजपंडित बजलाह।

ताबतमे तीन-चारिटा यमदूत उपस्थित भेल। महराजकेँ किछु देखा नहि रहल छलनि। मुदा महराजी भगता सभ देखि रहल छलाह। ओ यमदूतसभसँ प्रश्न केलखिन- अहाँसभक की समस्या अछि आ एहि सभामे किएक अएलहुँ अछि से स्पष्ट करू?"

"हमसभ यमराजक जासूस छी। यमलोकमे मखनाकेँ गिरफ्तार करबाक आदेश भेटल अछि मुदा ई तरह-तरहक फरेब कए बचबाक प्रयास कए रहल छल। बहुत मोसकिलसँ एकरा पकड़ल गेल अछि। आब ई कहि रहल अछि जे ई जे किछु केलक से एकरा बिसरा गेल अछि। एकरा पासमे एखनो यमपाश अछि जे ई महराजक महलमे कतहुँ नुका देने अछि। एही बातक जाँच करबाक हेतु हमसभ एतए आएल छी।

"मामिला तँ बहुत गंभीर थिक। सभकाज छोड़ि पहिने एकरे समाधान कएल जाए" -महराज बजलाह।

समाधान हमरा लोकनिक हाथमे नहि रहि गेल अछि महाराज!"

से किएक?'

"ई ने आब जीबैत अछि ने मृत। एकर आत्मा बीचेमे लटकि गेल अछि?"

से केना भेलैक?"

"ई मरलाक बाद यमलोकक रस्तामे हेराफेरी केलक जाहिसँ एकर संचिकामे सभटा उल्टा-पुल्टा भए गेलैक। आब ई देखार भए गेल अछि। यमलोकमे एकरा दंड देबाक एलान भए गेल अछि मुदा समस्या अछि जे एकरा पकड़ल कोना जाए? यमपाशसँ ई कबजामे नहि आबि रहल अछि।"

"तखन की होएत?"

"कालू ओकर भाए छैक। इएह ओकरा पकड़ा सकैत अछि।"

"कालू कहाँ अछि?"

"जी सरकार !" -कालू बाजल।

तूँ तुरन्त एहि समस्याक समाधान करह नहि तँ तोरा फाँसी दए देल जाएत।"

महराजी भगता कालूकेँ चुप रहबाक इसारा केलक। कालू डरे थर-थर काँपि रहल छल। राजमहलक एक कोनमे नुकाएल मखना सभटा देखि रहल छल। ओ गरजैत-फरजैत यमदूतसभ पर आक्रमण कए देलक। महराज किछु बुझितथि ताहिसँ पूर्वे हुनकर सिपहसलार लोकनि हुनका लेने चलि गेल। एहि तरहेँ राजसभा अनायासे विसर्जित भए गेल।q

 

२०

 

महराज भांगक निशामे बुत्त छलाह। ताहि हालतिमे हुनका राजसभामे किएक आओर के अनलक? एहि विषयपर बहुत घमरथन भेल। सभ एक-दोसरकेँ नाम लए रहल छल। अन्तमे राजमंत्री आगू बढ़लाह आ कहलखिन- आब एहि बातपर घमरथन करबाक कोनो औचित्य नहि अछि। जे काजक गप्प अछि से करू।"

'एकदम उचित बात कहि रहल छथि। सभ केओ मखनाकेँ पकड़ेबाक जोगार करू नहि तँ कालूकेँ जान नहि बाँचत।" -राजपंडित बजलाह।

"मुदा ई ककरो वशमे नहि अछि। ओकर एँड़ी उनटा छैक ने, से नहि देखाइत अछि? ओकरा कोना आ केँ पकड़त?" -महराजी भगता बजलाह। बहुत कालधरि एहि विषयपर चर्च होइत रहल। ओतए मखना छद्मरुपसँ हबामे विद्यमान छल आ मोने-मोन हँसि रहल छल। समस्या बढ़ले जा रहल छल, कारण यमदूतसभ चारूकातसँ महलसभकैँ घेरि लेने छल। सभक हाथमे यमपाश छल। ओ सभ रहि-रहि कए महराजी भगताकेँ धमकबैत छल-

"तोहर महराजक प्राण लेने बिना वापस नहि जाएब। जौँ हुनकर नीक चाहैत छह तँ मखनाकेँ वापस करह।"

"मखनाकेँ पकड़ब हमरासभक वशमे नहि अछि।" -महराजी भगता बाजल।

"से तूँ जानह आ तोहर काज जानह। हमसभ तँ यमराजक आज्ञाक अधीन छी। जे ओ कहताह से करब। आखिर मखना अछि तँ महराजेक प्रजा। तखन ओकर जिम्मा ककर होएत? तूँही बाजह?"

-यमदूत कहलक। एतबा कहि ओ यमपाश जोरसँ घुमा देलक। चारूकात हाहाकार मचि गेल। जकरे-तकरे मोन खराब होमए लगलैक। महराज सेहो बेहोस भए गेलाह। महराजकेँ इलाज हेतु राजवैद्य बजाओल गेलाह। ओ कतबो किछु करथि महराजक हालति खराबे भेल गेलनि।

"आब की होएत?” -राजपंण्डित बजलाह।

सूर्यास्त लगीच छल। यमदूतसभक धैर्य उत्तर दए रहल छल। ओ सभ यमराजकेँ फोन लगओलक-

"सरकार! मखनाकेँ पकड़ब मोसकिल लागि रहल अछि?"

"किएक?"-यमराज बजलाह।

मखना बहुत पिच्छड़ भए गेल अछि।" -यमदूतसभ बजलाह। ताबे महराजी भगता कालूक मूल संचिका लेने अएलाह। संचिका देखि यमदूत बहुत प्रसन्न भेलाह आ तुरन्त ओकरा अपना कबजामे लए लेलथि। यमदूतसभ यमराजकेँ फोन केलक।

"सरकार! कालूक मूल संचिका भेटि गेल मुदा यमपाश अखनो नहि भेटल अछि, ने मखना काबूमे आएल अछि।'

"चिंता नहि करह। संचिका लए चलि आबह मुदा महराजकेँ सख्त चेतौनी दए दहक जे मास दिनमे मखनाकेँ हमर दरबारमे हाजिर करथि अन्यथा हुनकर भगवाने मालिक।" -यमराज बजलाह।

यमराजक आज्ञा पाबि यमदूतसभ ओहि संचिकाकेँ अपन कबजामे लेलक आ यमलोक बिदा भए गेल।q

 

 

 

Maharaaj is a Maithili Novel dealing with the social and economic exploitation of the have-nots by the affluent headed by the local heads of that time. However, the have-nots ultimately succeed in controlling the resources and regain their lost assets by sustained struggle. Even the dead persons join together to fight against the Maharaaj and ensure that the poor gets their due.

 

महराज उपन्यास कीनबाक हेतु क्लिक करू-

https://pothi.com/pothi/node/195795

 

 

 

 

 

 

गुरुवार, 18 मई 2023

सन् २०१८मे प्रकाशित हमर मैथिली उपन्यास महराज(ISBN: 978-93-5321-395-4)क हमर ब्लाग स्वान्तः सुखायपर धारावाहिक पुनर्प्रकाशन (भाग तेरह,चौदह आ पन्द्रह):

 

१३

 

मखनाक गतिविधिपर यमराजकेँ सक भए गेलनि। ओ अपन जासूससभकेँ ओकरापर विशेष ध्यान रखबाक हेतु कहलखिन संगहि ईहो कहलखिन जे कोनो बात होइक तँ हुनका तुरंत खबरि कएल जाए। सएह होमए लागल। जासूससभ ओकर आगू-पाछू करए लागल। ओ जतहि जाइत किछु गोटे आगू तँ किछु गोटे पाछू चलैत रहैत छलैक। एहि बातसँ मखनाकेँ सेहो सक भए गेलैक। सोचए लागल जे आखिर ई सभ के अछि आ हमरा किएक पछोड़ करैत रहैत अछि?

मखनाक संचिकाकेँ यमराज स्वयं पढ़लथि। ओ ओकर पारिवारिक पृष्ठभूमिक जानकारी चाहैत छलाह। पढ़ैत-पढ़ैत हुनका पता लागल जे ओ तँ राजपुराक रहए  वला अछि। मृत्युक बाद ओ यमलोक आनल जा रहल छल की रस्तेमे हेराफेरी कए अपनसभटा संचिका बदलि देलक।

ई सभ बूझलाक बाद यमराजकेँ बहुत चिंता भेलनि। मोने-मोन सोचथि- "ई आदमी शुरुएसँ गड़बड़ लगैत छल। सभसँ दुखद बात अछि जे हमर श्रीमतीजी एकरापर बहुत भरोस करैत छथि। पहिने तँ हुनका बुझाबी। फेर देखल जएतैक। एकरा रस्ता लगाएब कोन भारी बात छैक?"

यमराजक कारक टायर पंचर भए गेल रहनि। हुनका फेर मखनेपर सक भेलनि जे कहीं ई एकरे काज ने होइक। सोझासँ एकटा एक्का जा रहल छल। ओ एक्का वलाकेँ रुकबाक इसारा केलाह। आहि रे बा !ओ तँ यमराजक इसारा देखितहि फटकी भागए लागल। प्राणक डर ककरा नहि हेतैक?सएह भेलैक।

यमराज तमसा कए एक्का वलाक पाछू दौड़ रहल छलाह कि मखना देखलकनि।

"सरकार अपने किएक दौर रहल छी?"

"पकड़ एकरा" -एक्का वला दिस इसारा केलखिन। मुदा ओहो तँ फेरल छल। एक्का वलाकेँ इसारा केलक जे भागि जो। एक्का वला आओर जोर-सोरसँ एक्काकेँ दोड़बए लागल। यमराज आओर तमसाइत ओकरा खिहारि रहल छलाह। यमलोकमे बेस मनोरंजक दृश्य भए गेल छल। एहि दौर-बरहामे यमराजक हाथसँ मखनाक संचिका खसि पड़ल। यमराजकेँ से अखिआस तखन भेलनि जखन सामनेमे रेखा आबि कए दौरबाक कारण पुछए लगलखिन-

"की बात छैक? एना किएक दौरि रहल छी?"

"की कहु?-से कहि हाथक संचिकाकेँ ताकए लगलाह।

"संचिका कतए गेल।"

"कोन संचिका?"

ताबते एकटा यमसिपाही एकटा संचिका लेने दौरल आएल। यमराजकेँ जानमे जान आएल। ओ एहि संचिकाकेँ पढ़बाक हेतु रेखाकेँ देलखिन।

"एकरा पढ़ू। सभबात अपने बूझि जेबैक।" -से कहि संचिका रेखाक हाथमे धए देलनि।

रेखा बहुत ध्यानसँ ओहि संचिकाकेँ पढ़ए लगलीह। ओहिमे सौंसे मखनाक प्रशंसा भरल छल। हुनकर मोन आनंदसँ गद-गद छल। फेर बजलीह-

"हम तँ ई बात बुझिते रही। मखना बहुत नीक खानदानक लोक अछि आ बहुत योग्यो अछि, मुदा अहाँकेँ के बुझाएत?"

"की बात कहि रहल छी? अहाँ एहि संचिकाकेँ नीकसँ नहि पढ़लिऐक की?"

"हम नीकसँ पढ़ि लेलहुँ। अहाँक चश्मा लगैत अछि खराब भए गेल अछि। फेरसँ पढ़ि लिअ। आ हे! चश्मा ठीक करा लेब।"

पत्नीक एहन व्यंगात्मक गप्प सुनि यमराजक मोन जरि गेलनि। भेलनि जे अखने एहि दुनूगोटेक प्राण घीचि ली। से तँ ओ कइए सकैत छलाह मुदा ब्रह्माजीक डर भेलनि। फेर ओ संचिका रेखाक हाथसँ लए पढ़ए लगलाह।"आहि रे बा! एकर तँ पाँति- पाँति बदलि देल गेल अछि। मखना मामूली धोखेबाज नहि थिक।" -यमराज बजलाह।

"अहाँकेँ तँ एहिना रहैत अछि। हमरा लगीचमे केओ रहए से अहाँकेँ पसिंद किएक होएत? असली बात तँ से अछि।"

दुनू बेकतीमे एहि बातपर बेस घोंघाउज होमए लागल। से देखि मखना बहुत प्रसन्न भेल। मोने-मोन सोचलक-

"हमर पाछू पड़ल छलाह। आब लेथु।"

यमराजकेँ व्यग्र देखि मखना कहए लागल-

"सरकार अपने किएक परेसान छी? घरबालीक बातपर चिरौरी नहि करू। आइ-काल्हि बहुत खराब कानून आबि गेल छैक। सिकाइत भए जाएत तँ जमानतो नहि होएत।

"चुप रह। ई राजपुरा नहि थिकैक। यमलोक छै। तोरा तँ हम जल्दीए ठेकाना लगेबौक। देखै छी तूँ कतेक दिन बचैत छैँ। तोहर खेल जल्दीए खतम हेतौक।"

से कहि यमराज मोछ पिजाबए लगलाह। मुदा मखनाक लेल धनिसन। मखनाकेँ तँ मोन होइक जे यमराजकेँ ठामहि उठा कए पटकि दिअए।

यमराज अपन मंत्रीमंडलक आपत्तिकालीन बैसक बजओलथि। ओकर मुख्य विषय छल-मखनाक कदाचारकेँ ध्यानमे रखैत ओकरापर दंडात्मक कारवाइ। ओ ई कहिओ ने सोचने हेताह जे छोट सन एहि मामिलामे हुनके मंत्रीमंडलक सदस्यगण हुनकर विरुद्ध चलि जेताह। मुदा भेल सएह। बैसकमे हड़बिड़रो मचि गेल गेल। काबीनामंत्री धरिमे मखनाक एहन गहींर पहुँचि केना भेल?-ई सोचि-सोचि यमराजक चकरी गुम छल।जरूर कोनो खास आदमी षड़यंत्र कए रहल अछि।" -यमराज मोनेमोन सोचए लगलाह। बैसारक क्रममे मंत्रीगण सबूतक मांग कए देलाह। कहए लगलाह जे अहाँक मखना संग मतभेद व्यक्तिगत कारणसँ अछि,एहिमे यमलोककेँ ओझराएबाक कोन औचित्य?" यमराज गुम पड़ि गेलाह आ आग्रह केलाह जे मूल संचिका तकबाक हेतु हुनका किछु समय देल जाए।

"एवमस्तु!" -मंत्रीगण बजलाह। बैसार खतम भेल। मंत्रीसभ अपनामे चुप-चाप गप्प करथि- "यमराजो सठिआ गेल अछि। एकरा एहि बएसमे अपन पत्नी छोड़ि रेखाक चक्करमे पड़बेक नहि छल। एकर आब एहिसभ काजक बएस छैक? व्यर्थकेँ चस्का लगेने अछि। मखनाक कोन दोष। ओ नहि तँ केओ आओर? की ने?"

सत्य वचन" एकरा वशक किछु छैक नहि तखन किएक लफड़ामे पड़ल रहैत अछि।" -से बजैत सभ ठठा कए हँसि देलक।q

 

१४

 

मखना अपन मौलिक संचिकाकेँ यमलोकसँ लदने-लदने राजपुराक लगीचमे पहुँचल। ओ कालू भगताकेँ ताकि रहल छल। कालू ओकर सहोदर भाए छल। मखनाक देहसँ प्राण निकलि रहल छलैक कि यमदूत सभकेँ पैर पकड़ि गोहराबए लागल। ओकरा कनैत-कलपैत देखि यमदूतसभकेँ दया आबि गेलैक। पुछलकैक- "किएक कानि रहल छह?"

"हमर प्राण वापस कए दएह।"

 "एकहिटा उपाय छैक?" यमदूत बाजल।

"कहह ने, जे कहबह सएह करब, मुदा हमरा बचा लएह।"

तकर बाद  पता नहि दुनू गोटे की-की बतिओलक? किछु लेब-देब भेलैक आ मामिला पटि गेलैक। यमलोक जइतहिँ यमदूतसभमे मिझरा गेल। ओकर संचिका बदलि देल गेल। एहि तरहेँ ओ यमराजक दरबारमे पैस बनओलक। कोना-ने-कोना यमपाश सेहो भेटि गेलैक। आओर तँ जे भेलैक से भेलैक, यमराजक घर धरि घुसिआ गेल। ततबेपर नहि रुकल, रेखाक संगे रमि गेल। किछु तँ ओकरामे छलैक जे एतेक आगू बढ़ि गेल।

मखना अपन गामक ऊपर कैक बेर चक्कर लगओलक मुदा कालू कतहुँ नहि देखेलैक?हारि कए ओ वापस होइत रहए। फरीच भए गेल छल। ताबे ओ राजपुरा लग पहुँचि गेल छल कि एकटा नान्हिटा घरक फट्टक खुजल।

"ई तँ कालू लागि रहल अछि। मुदा एकरा संगे एहन सुन्दरि के छथि?" -ओ मोने-मोन सोचैत छल।

कालू कुर्सी निकालि कए बाहर बैसल आ निशा भपाइत चाहक कप लए हाथमे देलखिन। दुनू गोटे चाह पीबए लगलाह संगे गप्प-सप्प सेहो चलि रहल छल। दुनूक संतुष्टिभाव केओ पढ़ि सकैत छल। ताबतेमे मखना कनीक आओर लगीच आबि गेल। किछु छल तँ कालू भगता छल, मंत्र-तंत्र किछु ज्ञान छलैक। ओकरा यमदूतक आगमनक आभास भेलैक। नहूँ, नहूँ बाजल- "शिव! शिव! निशाक ध्यान कालूपर पड़लैक।

कथि लेल चिंतित छी?"

कालू ऊपर दिस इसारा केलक मुदा किछु बाजल नहि। मखना लाख बुझेबाक चेष्टा कएलक मुदा कालू आओर डराइत रहल। ओकरा बहुत परेसान देखि मखना ओकरा दुनूकेँ ठामहि उठा लेलक आ उड़ि गेल।

"एहनो जबरदस्ती भेलैक अछि?" -कालू बाजल।

मखना भभा कए हँसल। मखना राजपुरा पहुँचि महराजी पोखरिपर उतरि गेल। कालू भगता आ निशाक जान-मे-जान आएल। ओ भरि रस्ता हनुमान चलीसा पढ़ैत रहल आ मखना हँसैत रहल।

तूँ के छह?” -कालू बाजल।

तोहर छोट भाए।

मखना बाजल।

"से केना भए सकैत छैक? ओ तँ साल भरि पहिने मरि गेल।"

"से बात ठीक छै मुदा जे हम कहि रहल छी सेहो ठीक अछि।"

"से कोना भेल?"

"तूँ शांत रहह। हम सभटा बात कहबह।"

"ठीक छैक, कहह।"

कालू कनीक आश्वस्त भेले छल कि मखना निशा दिस इसारा केलक।

"ई तोरा संग कोना भए गेलह?"

"पहिने तूँ अपन खिस्सा कहह? बातकेँ एमहर- ओमहर घुमाबह नहि।"

ठीक छैक, तँ सुनि लएह।"

 मखना कहलकैक जे हमर बात पर ध्यान दएह। फेर अपन खिस्सा शुरु केलक-

"हमर प्राण खिचने यमदूत लए जाइत रहए। रस्तेमे एकटा मैथिल यमदूत भेटल। ओ अपन बात कहए लागल जे केना ओ यमराजकेँ चकमा दए नरकक यातनासँ बँचि गेल, ततबे नहि यमदूतो बनि गेल। ओकर बताओल पद्धति हमहु दोहरओलहुँ। हम तँ आश्चर्यमे पड़ि गेलहुँ जे लोक खामखाह अपना ओहिठामकेँ बदनाम केने छैक। यमपुरीक हालति तँ ओहूसँ चौपट छैक। हमर सभटा संचिका बदलि देलकैक। परिणाम भेल जे यमराज लग जाइते हमर जोरदार स्वागत भेल आ बिना कोनो देरी केने यमदूतमे बहाल कए लेल गेल। यमपाश भेटि गेल आ विशेष कोडवर्ड सेहो भेटिगेल।"

"कोडवर्ड की भेलैक से नहि बूझलिऐक?"

"तोरा ई सभ बुझबाक कोन काज छह? सारांशमे बुझहक जे दोषी जज भए गेल" -से कहि ओ ठहाका पारि कए हँसए लागल।

"मुदा तोहर सकल-सूरति केना बदलि गेलह?" -कालू पुछलकैक।

"नहि बुझलहक, जेहने काज करबैक तेहने बगए चाही ने। यमपुरीमे जबरदस्त ड्रेसकोड छैक।

तीनूगोटेमे गप्प-सप्प भइए रहल छल कि हरि अपन चेला-चाटीसभक संगे महराजी पोखरिक निरीक्षण करए पहुँचलाह। जहिआसँ ओ राजमंत्री भेलाह,हुनकर रोबदाब देखए वला छल। महराज ओ महरानीक खासम-खास भए गेल छलाह। बहुत गोटे भितरे-भितर जरैत छल मुदा ताहिसँ की?

महराजी पोखरिक घाटपर कालूकेँ देखिते ओ चिचिआ उठलाह-

"कालू, कोना छह? "

"गोर लगै छी? “

नीके रहह। ई के छथि?”

एहिसँ आगू ओकरा किछु नहि फुरेलैक। दुनूगोटेमे गप्प होइते रहैक कि मखना निपत्ता भए गेल। धरफरीमे ओकर संचिका कालू लग खसि पड़लैक। हरिक ध्यान ओहिपर पड़लनि। हुनकर सिपाही ओहि संचिकाकेँ उठा कए हुनकर हाथमे थम्हा देलक। मुदा ओ ओहि संचिकाक एको आखर पढ़ि नहि सकलाह।पता नहि की अण्ट-सण्ट लिखल छैक?”-ओ मोनहि-मोन सोचैत रहथि। ओ ओहि संचिकाकेँ मुंसीकेँ धरा देलखिन आ कालू संगे गप्प करए लगलाह। कालू तँ हिनकर ठाट-बाट देखि कए छगुन्तामे रहए। किछु फुरेबे नहि करैक। हरि ई बात तारि गेलाह आ कहए लगलखिन-

"नहि बुझलहक, ई सभ हनुमानजीक चमत्कार अछि, नहि तँ हम तँ खतम छलहुँ"।

से की?" चलह ने हमरे ओहिठाम। दुनूगोटे चैनसँ बतिआएब। कालूक संगे निशा सेहो छलखिन, तेँ चिन्तित भए गेल जे पता नहि कतए लेने जा रहल अछि। हरिक माथा तुरंत काज केलक। कोनो बातक चिंता नहि करह। हम संगे छिअह ने। हिनको लेने चलह।"

आ तीनू गोटे बिदा भेल। हरिक पाछू-पाछू ओकर सिपहसलारसभ चलि रहल छल। कालू ओ निशाक संगे हरि अपन महलमे पहुँचलाह। घर देखिते कालू छगुन्तामे पड़ि गेल। हरि पुछलखिन॒-

"चिंतित बुझा रहल छह?"

"किछु नहि।"

"किछु तँ तोरा मोनमे छह। अपने सभटा बूझि जेबहक। ई सभ हनुमानजीक कृपा छनि।" ई बाजि हरि बैसले छलाह कि महराजी भगता प्रातःभ्रमणसँ वापस आबि रहल छलाह। हरिक घर लग अबितहि हुनका पुछलखिन॒-

"अहाँक घरमे के अछि?"

"ई छथि कालू भगत। हमर गामे लग पुबारिगाममे रहैत छथि।"

"आओर के अछि?"

"हिनके संगी छथिन-निशा।"

महराजी भगताकेँ लगीच अबैत देखि कालू सकपका गेल। मुदा ओ तँ आओर लगमे सहटल आबि रहल छलखिन। निशा सेहो परेसान छलीह। ई सभ देखि हरि बाजि उठलाह-

"अहाँसभ एतेक परेसान किएक छी?ई केओ आन नहि छथि। "

मुदा कालू जे चुप भेलाह से बकारे नहि खुजनि। हरि महराजी भगताकेँ ओ संचिका दैत कहलखिन- "कनी एकरा देखबैक। पता नहि की,की लिखल अछि।" महराजी भगता संचिका लए आगू बढ़ि गेलाह।q

 

१५

 

मखना कतहु गेल नहि छल। लगेपास नुकाएल छल। जाइत कतए? यमराज ओकर यमपुरीक कोडवर्ड जप्त कए लेने रहथि जाहिसँ ओकर यमपाश काज केनाइ बंद कए देलक। ओकर संचिकाक हेराफेरी पकडा़ गेल छल। पक्का सबूत प्राप्त करबाक हेतु मखनाक गतिविधि पर दिन-राति नजरि राखल जा रहल छल। हेरा-फेरी तँ ओ केने रहैक, आब पकड़ेबाक समय आबि रहल छलैक। तेँ ओ अपन भाए कालू लग पहुँचल छल जे कोनो रस्ता निकलत मुदा ओ तँ अपने चक्करमे मस्त छल। यमराजक चेलासभ ओकरा देखि रहल छल। जखन ओ संचिका कालू लग खसओलक तखने यमराज ओकर फोटो खीचि लेलाह। यमराज मोने मोन सोचैत छलाह-

"आब कतए जाएत?पक्का सबूत हमरा हाथ लागि चुकल अछि।"

मखना बहुत फेरल आदमी छल। तेँ ने मरलाक बादो अपन संचिकामे हेराफेरी कए यमदूत बनि गेल। मुदा सभक खेल कखनो-ने-कखनो खतम होइत अछि। सएह मखना संगे भेलैक, कनी जल्दीए भए गेलैक। यमलोकोमे यमराजक दोसर पत्नीक चक्करमे पड़ि गेल। मामिला तेजीसँ चर्चाक विषय भए गेल। यमराजकेँ ओकरापर सक ओहीदिन भए गेलनि जखन गलत व्यक्तिक प्राण खिचबाक हेतु यमपाश लए पहुँचि गेल। जे हेबाक रहैक से भेलैक। यमराज ओकरासँ खिन्न भए गेलाह। ओकर सभटा शक्ति छिनि लेलथि। ओकर यमपाश निष्कृय भए गेल। तखनसँ ओ भागि रहल अछि,नुका रहल अछि मुदा कखन धरि?

यमराज फेर अपन काबीनाक बैसक बजओलथि। ओहिमे मात्र एकटा विषय छल- मखनाक धोखाधड़ीक आ ओकरा विरुद्ध प्रभावशाली कारवाइ। यमलोकक काबीनाक बैसार प्रारंभ भेल। यमराज बजलाह- वंधुवर! अहाँसभकेँ कुसमयमे आबय पड़ल ताहि हेतु हम क्षमाप्रार्थी छी। असलमे ई धूर्तराज मखना मोसकिल कए देलक अछि। पछिला बेरक बैसकमे किछु मंत्रीलोकनि ओकरा विरुद्ध सबूतक प्रयोजन कहलथि। से लिअ, सबूत हाजिर अछि।"

तकर बाद बड़काटा परदापर मखनाक गतिविधिक सद्यःप्रसारण प्रारंभ भेल। मंत्री लोकनि यमराज द्वारा आधुनिकतम तकनीकीक प्रयोग कए मखनाकेँ पकड़ि लेबामे सफल भेलासँ छगुन्तामे रहथि। ओसभ मखनाक एक-एक डेगकेँ सद्यः देखि-सुनि रहल छलाह। मखना अपन भाए कालू भगताकेँ कहि रहल छल-

भाइ! नहि बूझलिऐक जे यमराजक आदमीसभ एतेक पक्का अछि। हमरा तँ यमपत्नी रेखासँ दोस्ती भए गेल आ से ततेक गहींर भेल चलि जा रहल छल जे ओ यमराजोकें ठेंगा देखा देलथि। तकर बाद  यमराज हाथ धो कए हमर पाछू पड़ि गेलाह।"

मखना बजने जा रहल छल आ एक-एकटा गप्प यमलोकक काबीनाक बैसारमे मंत्री लोकनि सद्यः सुनि रहल छलाह। मृत्युलोकसँ दूभाषिआ मरि कए यमलोक पहुँचल छल। ओएह मखनाक गप्प-सप्पकेँ मैथिलीसँ यमभाषामे अनुवाद कए रहल छलाह। काबीनाक सदस्य लोकनि यमराजक प्रस्तावसँ सहमत भए ओकरा ताजीवन जहलक स्वीकृति देलथि। तकर बाद  काबीनाक बैसार विसर्जित भए गेल। यमराजक काबीनाक फैसलाक क्रियान्वयन हेतु यमराजक पुलिस वारंट लए मृत्युलोक बिदा भेलाह।q

 

 

Maharaaj is a Maithili Novel dealing with the social and economic exploitation of the have-nots by the affluent headed by the local heads of that time. However, the have-nots ultimately succeed in controlling the resources and regain their lost assets by sustained struggle. Even the dead persons join together to fight against the Maharaaj and ensure that the poor gets their due.

 

महराज उपन्यास कीनबाक हेतु क्लिक करू-

https://pothi.com/pothi/node/195795