मंगलवार, 19 जनवरी 2021

जन्मभूमि

 

जन्मभूमि

कहबी चेक जे केओ अपन जन्म आ मृत्यु नहि चुनि सकैत अछि । ई सभ पूर्वनिर्धारित होइत अछि । के कतए ,कखन आ कोन परिवेशमे जन्म लेत ताहिमे ओकर कोनो योगदान नहि रहैत छैक । ओ अपन प्रारव्धक अनुसार एहि दुनिआमे अबैत अछि आ ओहिना चलि जाइत अछि । हम चौठचंद्रक दिन सन् १३६० सालमे अड़ेर गाममे एकटा सुखित परिवारमे जनमल रही । ओहि समयमे लोक चंद्रमाकेँअर्घ देबाक तैयारी करैत रहए । ताहिसँ किछुए काल पूर्व हमर जन्म भेल रहए । हम अपन माता-पिताक छठम संतान रही । ओहिसँ पूर्व हुनकासभकेँ पाँचटा बेटीए रहनि । तेँ परिवारमे बहुत आतुरतासँ बेटाक प्रतीक्षा कएल जा रहल छल । हमर दाइ तँ पोताक बाट तकैत-तकैत चारिम पोतीक जन्मक बाद मामूली बिमारीसँ अकाल कालक गालमे विलीन भए गेल रहथि । सोचल जा सकैत अछि जे हमर जन्मक समय सभगोटे कतेक प्रसन्न रहल होएताह । ओहि समयमे परिवारक आर्थिक हालत बहुत नीक रहैक । बाबा खेती-बारी करैत छलाह ।  ओहिसँ पर्याप्त उपार्जन होनि । हमर मातृक (सिंघिआ ड्योढ़ी) सेहो बहुत संपन्न छल । हमर माए(स्वर्गीय दयाकाशी देवी) सेहो बहुत संपन्न परिवारक रहथि । अपन माता-पिताक एकमात्र संतान रहथि । हमर नाना(स्वर्गीय राम प्रसाद झा)क मृत्यु माएक जन्मसँ किछु मास पूर्वहि भए गेल रहनि । मुदा ओहि समयक कानूनक हिसाबे हुनका अपन पैतृक संपत्तिमे उचित हिस्सा नहि देल गेलनि । कारण अंग्रजेकक बनाओल कानूनक अनुसार जँ परिवारमे बेटा नहि भेल तँ बेटीकेँ ओहि संपत्तिक उत्तराधिकारी नहि मानल जाइ । ओ संपत्ति दोसर फरिकेनकेँ भए जाइ आ मसोमातकेँ खोरिस मात्र देल जानि । हमरो नानीकेँ कमोबेस सएह हाल रहनि । हमर बाबू बादमे मोकदमा केलाह तँ आपसी समझौताक बाद किछु जमीन हमर नानीकेँ देल गेलनि । एहि तरहेँ गामक आ मात्रिक,दुनूठामक संपत्ति मिला कए बाबूकेँ पर्याप्त संपत्ति रहनि जे ओ बँचा नहि सकलाह आ बादमे पहुत परेसानीमे पड़ि गेलाह ।

हमर  जन्मक बाद हमर तीन भाइक जन्म भेलनि । एहि तरहें हमसभ नओ भाइ-बहिन रही । वाल्यावस्थामे हमरसभक समय बहुत नीक कटल । खूब खेलाइ, खूब  पढ़ी । परिवारमे नेनासभकेँ बहुत देख-रेख होइत छल । बादमे बाबा बूढ़ होइत गेलाह । खेतसभ बटाइ लागि गेल ।ओहिसँ उपार्जन कम होइत गेल । बहिनसभक बिआह -द्विरागमन तँ दस-बारह साल धरि लगातार होइते रहल । खेतसभ साले-साल बिकाइत चलि गेल । तकर बाद तँ तेहन हालति भेल जकर कल्पनो हमरा परिवारमे केओ नहि केने रहल होएत । मुदा से भेल ।हम बी एस.सी केलाक बाद पढ़ाइ छोड़ि कए सरकारी नौकरीमे चलि गेलहुँ । हमर छोट भाइसभ सेहो परिवारक परिस्थितिसँ परेसानीमे पड़ि गेलाह । सभ जेना-तेना सालोंक संघर्ष केलाक बाद ओहिसभसँ उबरि सकलाह आ आब सभ ठीक-ठाक चलि रहल छथि । लगैत अछि जेना एकटा दुस्वप्न देखलाक बाद सभक निन्न टुटि गेल होनि आ सभ राहत महसूस कए रहल छथि । साइत ई सोचि कए जे जे भेल तकर बिसरि कए आगु  बढ़ल जाए । ताहीमे सभक कल्याण थिक ।

पण्डौल डीह टोल




जीवन यात्रामे जीवन संगिनी क महत्व तँ सभगोटे जनिते छी । हम मूलतः अड़ेर सन देहातमे शुरुक पचीस-छबीस वर्ष बितओलहुँ । हमर बिआहो ओही समयमे पण्डौलगाममे स्वर्गीय गणेश झाजीक दोसर संतान श्रीमती आशा मिश्रसँ ४ जून १९७५क भेल छल । हमरा ओहिना मोन अछि जे हम सतरहटा बरिआतीक संगे रातिक दसबजे पण्डौल पहुँचल रही । बरिआतीमे बाबूक अतिरिक्त हमर तीनू भाइ,हमर मित्र लालबच्चा(विष्णुकान्त मिश्र) ,हुनकर पिता स्वर्गीय चंद्रधर मिश्र ,हमर बहिनोइ स्वर्गीय सुखदेव झा आ किछु आओर लोक रहथि । बरिआती पण्डौलपर हमर ससुरक दरबाजापर पहुँचि गेल रहए । आङनमे गीत-नाद शुरु भए गेल रहए । थोड़बे कालमे हमर परिछन शुरु भए गेल । पण्डौल पुरबारि टोलक पंडितजी बिआह करओलनि । हुनकर आकर्षक स्वभाव अखनो मोन पड़ि रहल अछि । हमर जेठसरि रेणु मिश्र बिधकरी रहथि । बरिआतीक खाइत कालक ठहाका अखनो हमर कानमे गुंजित होइत रहैत अछि । सुनलिऐक जे किछु बरिआती आम खेबामे नाम कए गेलाह ।

बिआहक बाद चतुर्थी धरि नित्य मौहक कालक गीतक मधुर स्वर मोन पड़ैत रहैत अछि । मोन पड़ैत रहैत अछि चतुर्थी रातिमे आङनमे ओसारापर बहुत रास लोकसभ आएल रहथि । गीत-नाद भए रहल छल । हमहु हरमुनिआपर गीत गएबाक प्रयास केने रही । ओहिमे गड़बड़ी भए गेल रहैक आ हमर ससुर बहुत परेसान भए गेल रहथि । ताबते नुनु काका(स्वर्गीय    ) दौड़ल अएलाह आ कहैत छथि-मिसरक गीत सुनि कए हमर गाय बिआ गेल । तकर बाद जे ठहाका पड़ल से की कहू । असलमे हमरा हरमुनिआ नीकसँ नहि अबैत छल । मुदा जोशमे होश नहि रहल ।

बिआहक समयमे हम दरभंगामे टेलीफोन इन्सपेक्टरक काज करैत रही । ओहिठामसँ सासुर अबरजात बनल रहैत छल । बिआहक बाद हमर ससुर मुंगेर नौकरी करए चलि गेलाह । किछुदिनक बाद हमर सासु सेहो ओतहि चलि गेलीह । तखन रहि गेलीह विधकरी रेणु बहिन । जखन-कखनो हम बिआहक बाद दरभंगासँ पण्डौल जाइ तँ ओएह स्वागतमे लागि जाथि । हमर ज्येष्ठ साढू स्वर्गीय इंद्रानंद मिश्र(गुर्महा -पचाढ़ी) सेहो अबैत-जाइत रहथि । एहि तरहे सासुरक माहौल बहुत रमनगर रहैत छल ।

हमर ससुर स्वर्गीय गणेश झा भारत सरकारक सेवामे लेखा  अधिकारीक पदसँ सेवानिवृत्तिक बाद गामेमे घर बना कए रहैत छलाह । मधुबनीमे सेहो ओ घर बनओने रहथि । मुदा बादमे ओहिठाम मोन उबिआ गेलनि तँ भगला गाम दिस । गाममे बहुत भव्य मकान बनओलथि जे अखनो फटकिएसँ देखल जा सकैत अछि । पण्डौलक बाध बहुत उँच छैक । रेलवे लाइनसँ लए कए पण्डौल बजार धरि सभटा जमीन बासक हेतु उपयुक्त अछि । एहन बास बहुत कम गाममे होइत छैक । ताहुमे हमर ससुरक घर तँ एकदम फराकमे रहबाक कारण बहुत हवादार अछि । चारूकातसँ हवा रौद सोझे मकानमे पहुँचि जाइत अछि । मकान बनेलाक तीन सालक भीतरे हमर ससुरजी देहावसान भए गेलनि । तकर बाद लगभग उन्नैस साल हमर सासु जीलथि आ ओहि मकानक उपयोग केलथि । बहुत बादमे ओ साल-दूसाल गाममे नहि रहि सकलीह , हमर सार श्री संतोष कुमार झाक इन्दिरापुरम स्थित डेरापर रहथि । मुदा सदिखन इच्छा रहनि जे गामे रही । पछिला साल १८ दिसंबरक अकस्मात हुनकर देहावसान भए गेलनि । हुनकर मृत्युक बाद  एकटा महत्वपूर्ण अध्याय पूर्ण भए गेल । हमर सासु भागलपुर जिलाक भ्रमरपुर गामक रहथि । बहुत व्यवहारिक आ मितव्ययी रहथि । हुनके सहयोगसँ हमर ससुर  अपन आर्थिक परिस्थिति मजगूत कए सकल रहथि । पण्डौलमे नीक संपत्तिक अर्जित केने रहथि । चारिटा बेटी आ एकटा बेटाक खूब नीकसँ पालन-पोषण केने रहथि । ततबे नहि ,संयुक्त परिवारक कतेको जिम्मेबारीक मर्यादापूर्वक बाहन केने रहथि ।

पण्डौलक भौगोलिक स्थिति देखि कए हमरा कैकबेर मोन होअए जे किछु जमीन ओतए कीनि ली । बादमे ओकर उपयोगपर सोचल जेतैक । मुदा हमर श्रीमतीजीकेँ ई बात एकदम पसिंद नहि भेलनि । नैहरमे जा कए जमीन कीनब उचित नहि बुझानि । आब तँ ओ जमीनसभक दाम आकास ठेकि गेल अछि ।

पण्डौलमे साबिक जमानासँ रेलवे टीसन अछि । पण्डौल बजार सेहो बहुत बढ़ि गेल अछि । ओहिठामसँ मधुबनी आ दरभंगाक हेतु बस,टेकर आसानीसँ भेटि जाइत अछि । आब तँ दरभंगामे हवाइ जहाजक आगमन भए गेलाक बाद पण्डौल आ आसपासक इलाकाक महत्व आओर बढ़ि गेल अछि । ओहिठामसँ पैंतालीस मिनटमे हवाइ हड्डा दरभंगा पहुँचि सकैत छी । ओतएसँ दिल्ली.मुम्बई,बंगलोर उड़ि जाउ । सुनैत छी जे किछु आओर सहरसभक हेतु हवाइ जहाज शीघ्रे शुरु भए जाएत । तेँ पण्डौलमे  आ आसपासमे रहलासँ एकहिसाबे दिनिआसँ जुड़ल छी ।

४ जून १९७५क सत्तरह वर्षक बएसमे हमर श्रीमतीजी(आशा मिश्र)क बिआह हमरासँ भेल रहनि । ओहि समयमे हमर बएस २३ छल आ हम दरभंगामे टेलीफोन इन्सपेक्टरक काज करैत रही । हमर ससुरक एकमात्र ध्येय रहैत छलनि जे बर सरकारी नौकरीबला होइ । से हमरामे भेटलनि । हमरा सरकारी नौकरी रहए जरूर मुदा ताहिपरसँ पारिवारिक बोझ लादल रहए । माता-पिताक अतिरिक्त तीन छोट भाइक आशाकेन्द्र हमही रही । एतेक आदमीक गुजर एकटा छोटसन नौकरीक बान्हल दरमाहासँ कोना होइत? तेँ निरंतर धक्कमधुक्का होइत रहल । हमरासँ छोट भाइ,सुरेन्द्र, सेहो जल्दी बिआह कए लेलाह । ताबे हुनका कोनो नौकरी नहि रहनि । बादमे मिथिला क्षेत्रीय ग्रामीण बैंकमे काज भेटलनि । तकरबाद तुरंते ओ भिन्न भए गेलाह । तखन रहि गेलाह चारिगोटे-माए-बाबू आ दूटा भाइ । ओहिमे सत्येन्द्र (सभसँ छोट) हमरा संगे बहुत दिन (लगभग बारह वर्ष) रहलाह । ओ बीच-बीचमे तमसा कए गाम भगैत रहलाह आ नौकरी भेलाक बाद बिआह कए राँचीमे रहए लगलाह । मुदा धीरेन्द्रक कोनो हिसाब नहि बनि सकल । हुनको बैंकसँ कर्ज दिआ कए भवन निर्माण सामग्रीक दोकान गामेमे खोलल गेल । मुदा सालभरिक भीतरे ओ चौपट भए गेल । कर्जा ठामहि रहि गेल । हमरा बैंकक नोटिस आबि गेल जे कर्जा चुकाउ । हम तँ परेसान भए गेलहुँ । रच्छ भेल जे हम गारंटी नहि देने रहिऐक । तेँ बँचि गेलहुँ । नहि तँ ओ सभटा कर्ज हमरे सधबए पड़ैत । धीरेन्द्रकेँ मदति करबाक हेतु सत्येन्द्रक बिआहक बाद हमर बहिनोइ(स्वर्गीय विद्यापति झाजी क सहयोगसँ एकटा पुरान जीप पानागढ़सँ कीनल गेल । हम शुरुएमे तकर पक्षधर नहि रही । मुदा सत्येन्द्र आ ओझाजीक जोर देखैत सहमति देबए पड़ल । ओहो प्रयास पाँच-छ मासमे असफल रहल । तकरबाद धीरेन्द्र एमहर-ओमहरमे लागल रहि गेलाह । हम दिल्ली आ तकरबाद इलाहाबाद चलि आएल रही ।  संगमे श्रीमतीजी आ पुत्र भास्कर रहथि । एतेक लेध-गेदक संगे सीमित आमदनीसँ परिवार नीकसँ चलबे नहि कएल,दौड़ैत रहल । निरंतर गाम-घरसँ केओ-ने-केओ अबते रहैत छल । ऐहन परिस्थितिमे हमर गृहस्थीकेँ नीकसँ चला लेबाक संपूर्ण श्रेय हमर श्रीमतीजीक छनि । ओ तँ  हमर परिवारक लेल साक्षात अन्नपूर्णा छथि । जेना हुनकर हाथमे अक्षयघट हो । जखन जतबे आमदनी रहनि ततबेमे परिवारकेँ बाइज्जत चलबैत रहलीह आ हमरा कहिओ ने ककरोसँ माङए पड़ल ने कर्ज लेबए पड़ल ।असलमे ओ अपन माता-पिताक संगे रहि नौकरीबला परिवारकेँ सीमित आमदनीमे कोना चलाओल जाए ताहिमे निपुणता प्राप्त केने रहथि ।हमर भाइसभ तँ अपन-अपन जोगार केलाह आ कात होइत गेलाह । रहि गेलाह हमर बाबू आ माए जे गामपर निरंतर हमरा दिस तकैत रहथि । सन् १९८९क फरबरी मासमे पिताक चौहत्तरिम वर्षमे देहामत भए गेलनि । तकरबाद रहि गेलीह हमर माए । गामपर हुनकर अतिरिक्त हमर छोट भाइ धीरेन्द्रक परिवार रहैत छल । माए आ हुनका लोकनिक भानस-बात फराक होनि । हमर माए सभदिन फराक रहए चाहथि । अपन घरसँ कतहु नहि जाथि आ डीहकेँ कटकटा कए पकड़ने रहलीह । हम निरंतर मनीआर्डर पठा कए हुनकर ओहि संकल्पकेँ मजगूत करैत रहलहुँ । मुदा नब्बे वर्षक आयु पार करैत-करैत ओ काज नहि कए सकथि आ तैओ फराक रहए चाहथि । तखनसँ हुनकर जीवन नर्क भए गेल । हमर मनीआर्डर काज केनाइ बंद भए गेल कारण अपन देहमे ताकति नहि रहलनि,काजमे सक नहि लागनि । जे से समय बीतैत रहल । जीवनक अंतिम अध्याय शुरु भए गेल । तथापि घरक माहौल ओहिना रहि गेल । मुदा हमर श्रीमतीजीक बुद्धिमत्तापूर्ण सहयोगसँ जीवनक पहिआ आगु बढ़ैत रहल । निश्चय ओ मिथिलाक नारीक ओहि गुणसभक प्रतिनिधित्व करैत छथि जाहि हेतु अपनसभक माटि-पानि प्रशंसित रहल अछि ।

घरक काजक अतिरिक्त हमर समस्त साहित्यिक गतिविधिमे हमर श्रीमतीजी सक्रिय सहयोग करैत रहलीह अछि । ओ हमर समस्त साहित्यिक कृतिक प्रथम पाठक रहलीह अछि आ अपन अमूल्य परामर्श दए ओहिसभमे गुणात्मक सुधार करैत रहलीह अछि । सही मानेमे ओ हमर जिनगीकेँ सुगमे नहि केने रहलीह ,अपितु एकरा पल्लवित,पुष्पित करबामे महान योगदान करैत रहलीह ।

हमर बिआहक समयमे आङनक माहौल बहुत रमनगर रहैत छल । कोनो अवसर भेलापर चारूकातसँ लोकसभ जमा भए जइतथि । हँसी ठठ्ठा होबए लगैत । पूब दिससँ लालकाका,उत्तरसँ डाक्टर काका ,दक्षिणसँ नूनू काका आ दरबाजापरसँ रमेश काका दौड़ल अबितथि । डाक्टर काका तरह-तरहक चमत्कार करबाक ढोंग करबामे माहित छलाह । हुनकर करतबसभ पर ठहाका लगैत रहैत छल । एकबेर अमेरिकाक राष्ट्रपतिक चुनाव होइत रहए । रेडिओमे चुनावक चर्चा चलैत रहैक । जीतत के? एहि विषयमे आङनमे लोकसभमे वाद-विवाद भए रहल छल ।सभकेँ इएह उत्सुकता जे के जीतत? डाक्टर काका अपन रेडिओसंगे कोठरीसँ बाहर भेलाह । अपन चमत्कारिक भाव-भंगिमामे घोषणा केलनि- हे इएह लएह । हम निक्सनकेँ मचोरि देलिऐक । आब ओ हारिए कए रहत। बाह रे डाक्टर काका आ हुनकर भविष्यवाणी । आङनमे सभ हतप्रभ छल । एहिना किछु-ने-किछु ओ करिते रहैत छलाह । ओ कलना बाबाक परम भक्त छलाह । गाहे-बगाहे कलना जाइते रहैत छलाह । बाबा सेहो हुनका ओहिठाम अबैत रहैत छलखिन । हुनका अपन संतान नहि रहथिन । बाबकेँ गोहरओला तँ ओ कहलखिन-सभकुछ तोरे न न होइ । बादमे बाबाक आशीर्वादसँ हुनका स्वतमत्रता सम्मान पेंशन भेटि गेलनि जाहिसँ दुनू बेकतीकेँ आर्थिक परेसानी नहि रहलनि । हुनकर छोट भाइ चलखिन लाल काका । ओहो ककरोसँ कम नहि,बेस कलामी लोक । एक डेग मधुबनी कोर्टेमे रहैत छलनि । कैक कित्ता केस लड़ैत छलाह । मुदा ओ बहुत मजगूत आजीबट बला लोक रहथि आ अपना बले समाजमे बहुत नीक स्थान बनओने रहथि ।

समय साल बदललैक । आब ने ओ रामा ने ओ कोठोला । हमर ससुर अपन अलग घरारीपर मकान बना लेलाह । कालक्रममे आोर दिआदसभ सेहो अपन-अपन फराक घर बना लेलाह । आब जँपुरना आङन जाएब तँ सुन्न लागत । केओ टोकनाहरो नहि भेटत । मुदा सभसँ काबिले तारिफ ई बात जे सभ दिआदसभ घरारीक बटबाराक विवाद आपसेमे सहयोगसँ निपटा लेलाह जाहिसँ चारूकात विकास भेल । नव-नव मकानसभ बनल आ आपसी सौहार्दय सेहो थोड़-बहुत बाँचल रहि गेल ।

पण्डौलक एकटा विशेषता थिक भवानीपुर महादेवक मंदिर जे हमर ससुरक घरसँ पैरे-पैरे आधा घंटामे पहुँचि सकैत छी । हम कैकबेर ओतए गेल छी । मुदा आब तँ भवानीपुरक महादेव मंदिर आ ओकर परिसरक बहुत बदलि गेल अछि । शिवरातिक दिन ओतए बड़का मेला लगैत अछि । रेडिओसँ ओकर प्रसारण सेहो होइत अछि । पहिने तँ हिनका लोकनिक दरबाजापरसँ भवानीपुरक मंदिर ओहिना देखाइत रहैत छल । मुदा आब बीचमे गाछसभ आबि गेलैक अछि । तेँ कनीक दूर पैरे चललापर मंदिरक ध्वज फहराइत 

Life is an opportunity

Life is an opportunity   Millions of people have come and gone but nobody remembers them. Only a few persons like Vyas, Shankarachary,Vi...