मंगलवार, 6 जून 2017

सेवा निवृत्ति  






 


सेवा निवृत्ति   


लगातार दिल्‍लीक विभिन्न कार्यालयमे पदास्‍थापनाक बाबजूद सरकारी घर वएह रहैत छल। तेकर कारण जे सरकारी आवास ताधैर नहि बदलैत अछि, जाधैर अहाँ ओइ घरक हेतु पात्रतासँ बाहर कार्यालयमे नहि चलि जाइ। अस्तु लेड़ी हार्डींग मेडिकल कौलेजसँ आपस केमिकल एवम्‍ पेट्रोकेमिकल मंत्रालयक नव निर्मित औषधि विभाग (Department of Pharmaceuticals) मे १९ अगस्‍त २००८ ई.केँ कार्य भार ग्रहण केलाक बादो हम लोदी कालोनीक ब्‍लॉक २१ क १०४ नम्‍बरक घरमे रहैत छेलौं। अप्रैल २००६ ई.सँ लगातार हम ऐ घरमे रहलौं। ओइ दौरान हम लेड़ी हार्डींग, औषधि विभाग आ अन्‍तमे योजना आयोगमे पदस्‍थापित भेलौं।

लोदी कालोनीक ऐ घरक गुणक वर्णन नहि कएल जा सकैत अछि। श्री विनोद दुआ प्रत्रकार अपन टीभी सो जायका इण्‍डियामे जोरवाग मार्केटसँ हमरो घरपर फोक्‍सीन मारैत कहने रहैथ जे ई सरकारी बाबू सबहक घर एतेक महग जगहपर बनल अछि जे मूल्‍यांकनक हिसाबसँ कैयो पुश्‍तमे एतेक कमा सकता कि नहि...।

हमर फ्लैटक ठीक सामने जोरवाग मोहल्‍ला प्रारम्‍भ होइत छल। ओइ मोहल्‍लामे एक समयमे ढोल बजा-बजा कऽ जमीन १०-१० हजारमे देल गेल रहइ। आइ कोनो मकानक दाम साए कड़ोरसँ साइते कम हेतइ। कएटा प्रसिद्ध आदमी सबहक घर ओइ मोहल्‍लामे अछि। जेना साहरुख खान, मायावती, अमिताभ बच्‍चनक बेटी, भूतपूर्व विदेश सचित सिव्‍वलजी (कपिल सिव्‍वल)क भाए। एहेन पैघ-पैघ लोकक पड़ोसमे हम सालक साल रहलौं। एकरा की कहबै? कम-सँ-कम धनसँ तँ ई सम्भव नहि छल। हम गाम छोड़लौं आ दिल्‍लीक नीकसँ नीक जगह सरोजिनी नगर, रामकृष्‍णपुरम, लोदी कालोनीमे जिनगी भरि समय बितेलौं। ऐ मोहल्‍ला सभमे लगबे नहि करइ जे दिल्‍लीमे छी। केतौ भीड़ भार नहि। कोनो प्रकारक हल्‍ला-गुल्‍ला नहि। आस-पासमे सुख-सुविधाक भरमार। कार्यालय लग। लोदी गार्डेन लग। अस्‍पताल लग

लोदी कालोनीक जे मकान (२१/१०४ लोदी कालोनी) हमरा भेटल छल, से पहिने भारतक भू.पू. उपराष्‍ट्रपतिक ओ.एस.डी. क आवास छल। हम सोचने रही जे ओइ घरमे सभटा काज करौने हेता मुदा ओ.एस. डी. साहैब किछु काज नहि करौने रहैथ।

हमर फ्लैटक छतपर तेतेक जगह रहै जे पचासो आदमी बैस कऽ भोजन कऽ सकै छल, लगमे चिन्‍मयानन्‍द मिसनक अतिरिक्‍त इण्‍डिया इस्‍लामिक सेन्‍टर, इण्‍डिया इन्‍टरनेशनल सेन्‍टर आ इण्‍डिया हैबिटाट सेन्‍टर छल।

ऐ सभ संस्‍थानमे निरन्‍तर उच्‍च कोटिक सांस्‍कृतिक, आध्‍यात्‍मिक, रचनात्‍मक कार्याक्रम सभ होइत रहै छल। कहियो काल लोदी गार्डेनमे घुमैत इण्‍डिया इन्‍टरनेशनल सेन्‍टरमे होमए-बला गान-बजान सभ ओहिना सुनबाक मौका भेट जाइत छल।

इण्‍डिया हैबिटाट सेन्‍टरमे सायंकाल तरह-तरह केर गीतनाद, नाटक, सीनेमा आदि-आदि तरहक सांस्‍कृतिक कार्याक्रम होइत रहैत छल।

ऐ सुविधा सबहक कारण लोदी कालोनीक २१ ब्‍लॉकक घर भेटब असान नहि छल। साढ़े सात सालक प्रतीक्षाक बाद हमरा ई घर भेटल छल, ओहो ऐ लेल जे ताधैर उच्‍चतम न्‍यायालय सरकारी आवास सबहक आबंटनक प्रक्रियाकेँ बहुत अधिक सुधारि देने छल, अन्‍यथा ओइठाम मात्र सिफारशी सभकेँ घर आबंटित होइत छल।

लोदी कालोनी सरकारक द्वारा हमरा आबंटित अन्‍तिम घर छल। ऐसँ पूर्व पुष्‍प बिहार सेक्टर  सात, सरोजिनी नगर, रामकृष्‍णपुरममे रहि चूकल रही। सच पुछी तँ हमरा दिल्‍लीमे सरकारी आवास तेते असानीसँ आ तेहेन तेहेन नीक ठाम भेटल जे लगबे ने कएल जे दिल्‍लीमे रहि रहल छी, जेतए किरायेदारकेँ किराया दैत-दैत दम छुटि जाइत अछि आ तैयो मकान मालिक ओकरा द्वेम दर्जाक बुझैत रहैत अछि। सरकारीमे मकानमे लोक साधिकार रहैत अछि, कियो टोकैबला नहि, उनटे जँ किछु टुट-फुट भेल तँ सी.पी.डक्‍यूडी पूछताछमे शिकायत करू, ठीके नहि हएत, बेहतर भऽ जाएत। ऐल-फइल ओ शान्‍त वातावरणमे रहैक सभ दिन आदत पड़ि गेलाक बाद दिल्‍लीमे आनठाम केना रहब ई चिन्‍ता सतैत घेरने रहैत छल।

डीडीएक स्‍कीम सभमे आवेदन दैत छेलिऐ मुदा परिणाम किछु नहि। लोकमे गलत, सही धारणा छल जे बिना हेरा-फेरीक डीडीएक फ्लैटमे आबंटन नहि अबैत अछि। २००८ ई.मे फेरसँ डीडीएक स्‍कीम आएल रहइ। दर्खास्‍त देबाक मन नहि होइत छल, कारण परिणाक प्रति निराशा भाव। मुदा हमर ग्रामीण ज्‍योतिष डॉ. राघवेन्‍द्रजी कहला जे अखन अहाँकेँ जमीन, मकानक योग अछि। सफलता भेट सकैए। तैयो मन छह-पाँच करैत रहए। एक दिन हमर मित्र (जे पेट्रोलियम मंत्रालयमे निदेशक छला) पूछला-

डीडीएक स्‍कीममे दर्खास्‍त देलौं की नहि?” 

हम कहलैन-

दर्खास्‍त दाइए कऽ की हएत? भेटत तँ नहियेँ..!”

ओ कहला-

जँ नहि दर्खास्‍त देबै तखन केतए-सँ भेटत? दर्खास्‍त नहि देबक माने तँ अपनेसँ अपनाकेँ प्रतियोगितासँ हटा देब हएत।

हुनकर ई बात हमरा जँचि गेल। अन्‍तिम तिथि नजदीक रहइ। कनाट प्‍लेसक आइसीआइ बैंक जा कऽ तुरन्‍त दर्खास्‍त भरलौं। प्राथमिक शुल्‍क (डेढ़ लाख रूपैआ) सेहो वएह बैंक आनन-फाननमे कर्ज दऽ देलक। आ हमर दर्खास्‍त लागि गेल।

चारि मासक बाद मंगल दिन, डीडीएक ओइ स्‍कीमक परिणाम आबक रहइ। चूँकि ओ मंगल दिन रहइ। हम बहुत आशावान रही। रातिक दस बजैत रहइ। कम्‍पूटरपर परिणाम तकैत रही। बहुत मुश्‍किलसँ डीडीएक वेवपेज खुजल। परिणाममे एकाएक अपन नाम देख जे आश्‍चर्य ओ प्रसन्नता भेल तेकर वर्णन शब्‍दातीत अछि। धिया-पुता सभकेँ उठेलौं। श्रीमतीजी सेहो उठि कऽ एली। घरमे हल्‍ला भऽ गेल। हमरा सभकेँ दिल्‍लीमे घर भऽ गेल।

मैट्रिकक परीक्षाक परिणामक बाद दोसर बेर हमरा एतेक प्रसन्नता भेल रहए। हमर पू. माय निरन्‍तर हमरा आशीर्वाद दैत रहै छेली। निश्चय ई हुनके आशीर्वादक परिणाम छल। धैर्य पूर्वक सही रस्‍तापर चलैत रहू तँ देर-सबेर भगवान जरूर मदैत करै छथिन। दू बेडरूमक ओ फ्लैट मेट्रो स्‍टेशनसँ सटले रहबाक कारण आओर आकर्षक छल।

बिना कोनो लन्‍द-फन्‍दक ओ इमानदार प्रयास मात्रसँ हमरा ओ फ्लैट आवंटित भेल। क्रमश: ओकर लिखा-पढ़ी पूरा भेल। लगभग साल भरिक बाद हमरा ओकर कब्‍जा भेटल आ रजिस्‍ट्री भेल। एवम्‍ प्रकारेण दिल्‍लीमे रहबाक जोगार भगवान कऽ देलाह।

लेडी हार्डींगसँ लौटलाक बाद हम केमिकल एवम्‍ पेट्रोकेमिकलसँ फुटि कऽ नव निर्मित औषधि विभागमे कार्यभार ग्रहण कएल। ओइ विभागक मंत्रीसँ लऽ कऽ नीचाँ धरि अधिकांश लोक बिहारक रहैथ। सचिव बिहारक रहैथ। संयुक्‍त सचिव पंजाब काडरक बेहद नीक बेकती छला। मुदा ओइ विभागमे बैसबाक जगहक घोर अभाव छेलइ। पुरान लोक सभ तँ कहुना-कहुना कऽ अपन जोगार कऽ लेलाह मुदा हम ओतए नव रही। हिन्‍दी विभागक संयुक्‍त निदेशकक संग बैसबाक हमर बंदोबस्‍त कएल गेल। हुनका ई गप एकदम नीक नहि लगलैन। ओइ रूमक कुंजी ओ देबे नहि करैथ। हमरा दिक्कत होइत छल। कएक बेर ओ बिलंबसँ आबैथ तँ हम हुनकर बाट तकैत रही।

एक दिन संयोगसँ ओ नहि आएल रहैथ आ रूमक कुंजी हमरा हाथ लागि गेल। संयुक्‍त सचिव महोदय कहला जे यएह मौका अछि। हुनकर परामर्शक अनुसार आन-फाननमे ओइ कुंजीक डुप्‍लीकेट बनौल गेल। तेकर बाद ओ आबैथ तइसँ पहिनहि हम रूपमे अपन कुर्सी धऽ ली। ओ आश्‍चर्य चकित भऽ पुछला जे आखिर हम रूप केना खोललौं। हम हुनका सभ बात कहलयैन। आब ओ कइए की सकै छला?

किछु दिनक बाद एकटा दोसर रुम खाली भेलै, तेतए बैसबाक बेवस्‍था भेल। संयुक्‍त सचिव महोदयक स्‍थानान्‍तरण भऽ गेल छल। हुनका स्‍थानपर जे संयुक्‍त सचिव एला से सोभावसँ कर्कष रहैथ। दिन-राति सबहक पाछाँ पड़ल रहैथ। अण्‍ड-वण्‍ड बजनाइ, धमकी देना तँ तकिया कलाम छेलैन। हुनका संगे समय बितनाइ बड़ा कष्‍टकर भऽ गेल छल।

औषधि विभागक जन औषधिक नामसँ दबाइक दोकान खोलबाक योजनाक अन्‍तर्गत सस्‍त दबाइ बिक्रीक हेतु प्रथम दोकान अमृतसरमे खुजबाक छल। तइले हम सभ अमृतसर गेल रही। औषधि विभागक तत्‍कालिन सचिव श्री अशोक कुमारजी बिहार काडरक आइ.ए.एस. अधिकारी छला। हुनका संगे विभागक आन अधिकारी सभ सेहो रहैथ। अमृतसरमे उपरोक्‍त उद्घाटन कार्यक्रममे पंजाब सरकारक स्‍वास्‍थ मंत्री सहित आर अधिकारी सभ सेहो रहैथ। कार्यक्रमक बाद हमरा लोकनि अमृतसरक स्‍वर्ण मन्‍दिरक दर्शन कएल। दर्शनक वी.आइ.पी. बेवस्‍था छल। सभ गोटाकेँ मन्‍दिरक तरफसँ सरोपा देल गेल जे बहुत सम्‍मानक गप मानल जाइत अछि।

स्‍वर्ण मन्‍दिरक बाद दुर्गिआना मन्‍दिर आ जालिआनाबाला बाग घुमलौं। जालिआनाबला बागमे देबाल सभपर गोली सबहक निशान अंग्रेज शासकक क्रूड़ताक स्‍मरण करबैत अछि। हजारो निर्दोष लोककेँ एकटा चारू तरफसँ बन्‍द स्‍थानमे घेरि कऽ गोलीसँ भुजि देल गेल। सैकड़ो आदमी प्राण बँचबैले इनारमे कुदि कऽ मरि गेल। ओ स्‍थान आब एकटा राष्ट्रीय स्‍मारक भऽ गेल अछि। प्रात भेने हम सभ बाघा वोर्डरपर गेलौं। ओइठाम सेहो हमरा सभकेँ भी.आइ.पी. सभ हेतु आरक्षित स्‍थानपर बैसबाक बेवस्‍था छल।

हम सभ चैनसँ भारतीय ओ पाकीस्‍तानी अधिकारी/सिपाहीक करतब देख दंग रही। नित्‍य सायंकाल ई काय्रक्रम ओयोजित होइत अछि। जइसँ दुनू देशक हजारो नागरिक दर्शक दीर्घामे बैसल रहै छैथ। ऐपर भारत जिन्‍दाबाद ओइ देशक समर्थनमे नारा लगैत रहैत अछि। कदम-ताल करैत भारतीय सीमा बल ओ पाकिस्‍तानी समकक्ष आगू-पादू होइ रहैत छैथ। झण्‍डाकेँ धीरे-धीरे निच्‍चाँ उतारैत छैन आ प्रवेश द्वारकेँ बन्‍द कऽ कऽ अपन-अपन देशक सिमानमे चलि जाइत छैथ। ऐ कार्यक्रमकेँ देखैत कएक बेर रोमांच भऽ जाइत अछि। राष्ट्र प्रेमसँ ओत्-प्रोत्‍ वातावरणमे अपन बहादुर सैनिक सबहक काज देखि  आत्म सम्‍मानसँ मन गद-गद भऽ जाइत अछि।

ओइ बीच विभागीय प्रशिक्षणक हेतु युरोप यात्राक अवसर भेटल जेकर विस्‍तारसँ वर्णन अलगसँ कऽ चूकल छी। किछु मासक बाद हमर प्रोन्नति उप सचिवमे भऽ गेल आ हमर पदस्‍थापना योजना आयोगमे भेल। १२ अप्रैल २०१० क हमर योजना आयोगमे पदभार ग्रहण कएल।

योजना अयोगक महौल अलग छल। ऐठाम पर्याप्‍त सुविधा छल। कोठरीक भरमार छल। पूरा योजना भवन योजना अयोगक छल, तँए औषधि विभागसँ बिल्‍कुल भिन्न स्‍थिति ऐठामक छल। दू-चारि दिनमे हमरा काज भेटि गेल, स्‍वतंत्र कोठरीमे सभ सुविधा छल। ऐ व्‍यापक परिवर्तनसँ मनमे बहुत प्रसन्नता भेल।

योजना आयोगमे पदस्‍थापित होइते क्रमश: काज हमरा दिस सरकए लागल। हाल ई भऽ गेल जे साल भरिक अन्‍दर प्रशासनक तीन चौथाइ काज हमरा अधीन भऽ गेल। तहूसँ नहि भेल तँ विभागाध्‍यक्ष बना देल गेलौं। विभागाध्‍यक्षक रूपमे योजना अयोगक कार्य संचालन हेतु चीज वस्तुक क्रय करबाक स्‍वीकृति देबाक होइत छल। नियमानुकूल ओ सही काजक हेतु चेष्‍टाशील हमरा लोकनि केतेको उपराग सुनैत छेलौं जे ई सामान नहि अछि तँ ओ चीज नहि अछि। तथापि काज शुद्ध आ सही होइ तेकरा वरीयता देल गेल।

कर्मचारी/अधिकारीक दैनिक स्‍थितिक आधारक माध्‍यमसँ वयोमेट्रिक्‍स द्वारा केन्‍द्र सरकारक कार्यालयमे शुरूआत हमहीं सभ योजना अयोगमे केलौं जे बादमे केन्‍द्र सरकारक सभ कर्यालयमे लागू भेल।

सरकारी काजमे कागजक किफायती उपयोगक सक्षम प्रयास हम सभ केलौं जे बादमे सरकारक प्रमुख नीति भऽ गेल। डिजीटल इण्‍डिया दिस ई सक्षम ओ जोरदार प्रयास छल, जेकरा अधिकांश लोक नहि बुझि सकलाह।

विभागाध्‍यक्षक काजसँ हम हटए चाहैत छेलौं जइले लिखित ओ मौखिक आग्रह बारंबार कएल, मुदा हमर नहि चलल। घोर अनिच्‍छा पूर्वक हम सामानक बेवस्‍था सम्‍बन्‍धी काज सभसँ पछड़ा लैत रहलौं।  

योजना आयोगमे हमर सेवाकालक अन्‍तिम समय बीतल। हम ऐ कार्यालयमे स्‍वेच्‍छासँ आएल रही, ऐ सोचि कऽ जे सेवाक अन्‍तिम किछु साल चैनसँ बीति जाएत, मुदा भेल उल्‍टा। तरह-तरह केर कोनो-ने-कोनो फसादकेँ सेरियाबैमे लागल रहलौं।

योजना अयोगमे पश्चिम बंगालक मुख्‍यमंत्री सुश्री ममता वनर्जीक उपाध्‍यक्ष संग बैसक छल। ओइ क्रममे पुलिसक भारी बंदोबस्‍त कएल गेल छल, कारण पं. बंगालक कोनो घटना लऽ कऽ मार्क्‍सवादी सभ सुश्री ममता वनर्जीक खिलाफ प्रदर्शन कए रहल छल। चारूकात जबरदस्‍त घेराबन्‍दी छल। योजना भवनमे अति विशिष्‍ट बेकतीक लेल अलगसँ द्वार छल। सामनेसँ दूटा द्वार छल जइमे एक बाटे लोक अन्‍दर होइत छल आ दोसर बाटे बाहर होइत छल। मार्क्‍सवादी लोकनिक प्रदर्शनक चलते सुश्री ममता वनर्जीक अति विशिष्‍ट लोकनिक हेतु आरक्षित द्वारसँ अन्‍दर एबाक छल मुदा ओ सामान्‍य लोक हेतु बनल द्वारसँ एबाक प्रयासमे मार्क्‍सवादी प्रदर्शन कारीसँ घेरा गेलीह। सुनबामे आएल जे हाथा-पाइ सेहो भऽ गेल। भगवान जानए एना किएक भेल। पश्‍चिम बंगाल सरकारक दिल्‍लीमे रेजीडेन्‍ट कमीश्‍नर श्री भास्‍कर खुल्‍वे, आइ.ए.एस. छला। गृहमंत्रालयमे ओ हमर अधिकारी रहि चूकल रहैथ। योजना अयोगक प्रोटोकॉलक विभाग सेहो हमरा अधिन छल, परन्‍तु ऐ मामलाक कोनो जानकारी हमरा नहि छल। प्रोटोकॉल एसीसटेन्‍टसँ सभ सोझे गप करैत रहल। जखन गड़बड़ी भेल तँ तरह-तरह केर बात भेल मुदा हमरा कोनो प्रकारसँ तंग नहि कएल गेल, कारण हमर गलती किछु नहि छल।



योजना आयोगक प्रमुख स्‍मरणीय घटनामे गुजरातक मुख्‍यमंत्रीक रूपमे आदरणीय श्री नरेन्‍द्र मोदीजीक योजना आयोग आएब छल। ओइ समय तक मोदीजीक भाजपा द्वारा प्रधानमंत्री उम्‍मीदवार मनोनित नहि कएल गेल छल, मुदा भाजपाक चुनाव प्रचार समितिक अध्‍यक्ष ओ बनि गेल रहैथ। आदरणीय मोदीजी योजना आयोगक अन्‍दर एला तँ हम आसे-पासमे रही। ओइ समय टीभी पत्रकार सभ जे चित्र खिचलक से केतेको बेर बादोमे योजना अयोगक चर्च भेलापर लोक सभकेँ देखबामे अबइ। ओइ चित्रमे मोदीजीक बगलमे हम देखाइत रही। कए गोटा फोन करैत ओइ दृश्‍यक चर्चा करैत...।

आ. मोदीजी योजना आयोगमे पत्रकारसँ चर्चा करए चाहैत छला, जेकर अनुमति नहि देल गेल। जखन ओ लिफ्टसँ निच्‍चाँ भूतलपर एलाह तँ पत्रकार सबहक भीड़ लागि गेल रहए। ओही ठाम पत्रकारसँ गप करए लगलाह। जेना-तेना कुर्सी आनल गेल। आ. मोदीजीक लोक प्रियताक अन्‍दाज ओहीठामसँ लगौल जा सकैत छल। पत्रकारक भीड़ ओ आ. मोदीजीक संवादक आगू सभ बेवस्‍था फेल छल।

सालमे एकबेर योजना आयोग प्रधानमंत्रीक अध्‍यक्षतामे राष्‍ट्रीय विकास परिषद (National Devolopment Concil) क बैसार आयोजि करैत छल। ऐमे देशक सभ राज्‍यक मुख्‍यमंत्री सहित केन्‍द्र सरकारक प्रधानमंत्री, वित्तमंत्री आ तमाम मंत्री, सचिव उपस्‍थित रहैत छला। प्रधानमंत्री भरि दिन ओइ बैसारमे उपस्‍थित रहैत छला।

कार्यक्रमक सफल आयोजन एकटा जबरदस्‍त चुनौती रहैत छल। सुरक्षासँ लऽ कऽ भोजन, जलपानक बेवस्‍था एकदम वारीकीसँ कएल जाइत छल। ऐमे भारी भरकम खर्चा होइत छल। ऐमे कएटा खर्चाकम कएल जा सकैत छल। हम ऐ तरहक प्रयास केलौं। सचिव, महोदया ऐ प्रस्‍तावकेँ सहर्ष मानि गेलीह जइसँ लाखोंक बचत भेल। प्रधानमंत्री ओ हुनका संगे भोजन करएबला किछु चुनिन्‍दा लोककेँ छोड़ि सबहक भोजनक एके रंगक बेवस्‍था भेल ऐमे लाखोक बचत भेल।

बैसक हेतु लगभग एक हजार महग बैग लेल जाइत छल। एकरा स्‍थानमे हमरा लेाकनि हाथसँ बनल जूटक  बैग कीनलौं जइमे ७-८ लाखक बचत भेल। ऐ बैगमे कागज-पत्तर सभ भरि-भरि बैसकमे भाग लेनिहार लोक सभकेँ देल जाइत छल। ओइ बेर जूटक बैगमे कागज सभ बैसकमे भाग लेनिहार लोक सभकेँ देल जाइत छल। ओइ बेरमे कागज सभ ओहिना पड़ल रहि गेल। पैछला साल तँ बैगक लूट भऽ जाइत छल। कारण ओ महग होइत छल।

सरकारी पैसाक दुरुपयोग रोकबाक छोटसँ-छोट प्रयास राष्‍ट्रक हेतु बहुत लाभकारी भऽ सकैत अछि। एक-एक बुन्‍दसँ पोखैर भरैत अछि, मुदा एहेन सोचैबलाकेँ प्रशंसा तँ छोड़ू, कए बेर जान बाँचब कठिन भऽ जाइत अछि। हमरो केतेको लोकक आलोचनाक शिकार होमए पड़ल। मुदा हमर वरिष्‍ठ अधिकारी सभ प्रसन्न छेली। काज नीकसँ सम्‍पन्न भेल। ताम-झामक तँ अधिकांश व्‍यर्थ छल, से साबित भेल।

योजना आयोगमे लगभग साढ़े तीन साल काज केलौं। ओइ अवधिमे भोजनावकाशक समयक आनन्‍दे अलग छल। हम सभ पाँच गोट अधिकारी एकट्ठा भऽ घन्‍टा भरि आस-पास घुमैत छेलौं, गप करैत छेलौं आ अन्‍तमे चाह पीबि कऽ सभा विसर्जित होइत छल। गर्मीमे जखन परा बहुत चढ़ि जाइ छल, टहलाइक कार्यक्रम स्‍थगित रहैत छल। मुदा गप-सप्‍प चलैत छल। चाह-कॉफी चलैत छल। ऐ बेसारमे तेतेक ऊर्जा भेटैत छल जे आगॉंक आधा दिनक काज करब असान भऽ जाइत छल।

ओइमे दूटा (डॉ. शरद पंत, डॉ. विजय वहादुर सिंह) भारतीय आर्थिक सेवाक निदेशक स्तरक अधिकारी छला। श्री के.एन. पाठकजी योजना आयोगमे निदेशक स्तरक अधिकारी छला। पहिने जे.एन.यू. बादमे लंदन स्कूल ऑफ इकानामिक्ससँ पढ़ल बहुत योग् विद्वान छैथ। वाककलामे अद्भुत महारथ हुनका अछि। श्री शंकर मुखर्जी केन्द्रीय सचिवालय सेवाक निदेशक स्तरक अधिकारी छला, आब सेवा निवृत्त भऽ गेल छैथ। सभ अपन-अपन क्षेत्रमे माहिर छला। तँए लंचक समय गप-सप् तँ हेबे करइ। तरह-तरह केर जानकारी सेहो भेट जाइक। एकटा अद्भुत आनन्दक समय छल।



क्रमश: सेवा निवृत्तिसँ ऐ बैसारमे भाँगठ होइत गेल। तथापि कहियो काल हम सभ भेँट-घाँट करैत रहलौं। आब तँ मात्र एक गोटे नौकरीमे बनल छैथ। शेष सभ सेवा निवृत्त भऽ एमहर-ओमहर भऽ गेला।

बिहार आ बादमे झाड़खण्‍ड काडरक आइ.ए.एस. अधिकारी श्रीमती निधि खरे हमर अन्‍तिम अधिकारी छेली। ओ कर्मठ, इमानदार ओ दृढ़ निश्‍चयी छेली। सही बातक हेतु ओ अडिग रूखि लैत छेली। मजगूतीमे हिमालय सन छेली। हुनकर असीम सद्भावना हमरापर रहलैन। ओ असगरे हमर सभ विरोधीकेँ शान्‍त कऽ दैत छेली। उच्‍च अधिकारीक मिटिंग सभमे हमर इमनदारी ओ प्रयासक पक्ष दृढ़तासँ रखैत छेली। परिणामत: कियो हमर किछु बिगाड़ि नहि सकल। हमरा लोकनि निश्चिन्‍त भऽ अपन काज करैत रहलौं।

एक समयमे ओ मधुबनीक कलक्‍टर छेली। हुनकर पति श्री अमित खरे, आइ.ए.एस. दड़िभंगाक कलक्‍टर छला। दुनू बेकती हमर कनिष्‍ठ पुत्र क्षितिजक विवाहक वाद दिल्‍लीमे आयोजित स्‍वागत समारोह (Reception) मे आएल रहैथ। श्रीमती निधि खरे सन अधिकारी आब कम होइत अछि। हमर हृदयमे हुनका प्रति अमिट आदर ओ श्रद्धाक भाव समस्‍त सेवा कालक एकटा अनुपम उपहार अछि।

सेवा निवृत्तिक समय आयोजित विदाइ समारोहक अध्‍यक्षा वएह केने रहैथ। हमर बहुत रास इष्‍ट-मित्र ओइ अवसरपर उपस्‍थित रहैथ। लगभग ३९ वर्ष ७ महिनाक सेवाक पछाइत हम सेवा निवृत्ति भऽ घर पहुँचलौं तँ हमर श्रीमतीजी हँसैत हमर स्‍वागत केने रहैथ। घरक वातावरण आनन्‍दमय छल।

एकटा महान जीवन यज्ञक मीठ-तीतक अनुभवक संग पूर्णाहतिपर आबि गेल छल आ चालीसो सालसँ किछु मास अधिके काज केलाक बाद घर बैस कऽ केना समए बीतत से चिन्‍ता हमरासँ बेसी हमर मित्र ओ अधिकारी सभकेँ रहैन। दिन भरि हम कार्यालयमे व्‍यस्‍त रहैत छेलौं, अन्‍त-अन्‍त तक दौड़ैत रहलौं, काजकेँ आनन्‍द पर्वक करैत रहलौं। यदि अत्‍यावश्‍यक नहि भेल तँ अवकाश नहि लेलौं, मुदा आब की हएत?

समस्‍या तँ ई वाजिव छल मुदा अप्रत्‍याशित नहि छल। सरकारी नौकरीसँ सेवा निवृत्ति तँ भेने छेलौं। ईश्वरक कृपासँ अन्‍त-अन्‍त तक हम परिश्रम करबाक स्‍थितिमे रहलौं आ अखनो छी। देखते-देखते चारि दसक समय बीति गेल। दड़िभंगा, जमशेदपुर, दिल्‍ली, इलाहाबाद आ फेर दिल्‍लीक सफरनामा अपन मंजिलपर पहुँच गेल छल। बच्‍चा सभ व्‍यवस्‍थित भऽ गेल रहैथ। बिआह-दान भऽ गेल रहैन। तखन चिन्‍ता कथीक..?  

एतेक दीर्घ यात्रा ठीक-ठाक निकैल गेल से सोचि ईश्वरकेँ कोटिश: धन्यवाद दैत आगाँक जीवनक व्‍यवस्‍थामे लागि गेलौं।

२१ सालक उम्रमे लगातार हम रोजी-रोटीक हेतु संघर्षशील रहलौं। किछु सोभाववस, किछु भाग्‍यवस हल्‍लुको चीज हमरा बिना संघर्षकेँ नहि भेटल।

३९ सालसँ अधिक समय बीति गेल। केतेक लोक आएल, गेल। मुदा किछु गोटे अमिट छाप छोड़ि गेलाह। किछु गोटे अविस्‍मरणीय भऽ गेलाह। नौकरीक दौरान भेँट भेल डॉ. विनय कुमार चौधरी (संप्रति प्रोफेसर, आर.एन. कौलेज सहर्षा), श्री संजीव सिन्‍हा (निदेशक पदसँ सेवा निवृत्त), हमर नाम धारी मिसरजी (गृहमंत्रालयक संगी, राजपत्रित पदसँ सेवा निवृत्त), श्री मदन मोहन सिन्‍हाजी (गृहमंत्रालयमे अवर सचिव पदसँ सेवा निवृत्त) लस्‍सा जकाँ जीवन भरि सटल रहला, निस्वार्थ उपकार करैत रहला, । एकरा पूर्व जन्‍मक देन नहि कहबै तँ की कहबै? अन्‍तमे योजना आयोगमे जे हमरा लोकनिक पाँच आदमीक लंचग्रुप बनल, तेकर जे सुखद छाप स्‍मृतिपर पड़ल, तेकरा की कहबै..?

२१ वर्षक आयुसँ गामसँ नौकरी करए निकललौं से निकलले रहि गेलौं। यद्यपि हम निरन्‍तर गाम, मधुबनी अबैत-जाइत रहलौं, मुदा नाममात्र। छुट्टीमे जखन जाइ तँ अधिकांश समय मधुबनीक मकानक काज करबैत रही। कहियो सीमटी लागि रहल अछि तँ कहियो पेटींग भऽ रहल अछि। किछु कऽ लिअ मुदा मधुबनी मधुबनी थिक। बेसी जेबी ढील करएबला किरायेदार कम भेटता। फेर हम तँ ओतए रही नहि। किरायासँ बेसी ऐ बातक चेष्‍टा रहैत छल जे आदमी फरिछाएल हो। से हम भाग्‍यवान रही।

मात्र तौल विभाग छोड़ि शेष तीनू किरायेदार वचन केर पक्का ओ साफ इरादाक आदमी निकललाह। ओइमे श्री नन्‍दलाल मिश्रजी (ड्मरी गामक) १३ वर्ष रहला। बिना कोनो लाइ-लपट-केँ रहला आ अन्‍तमे सेवा निवृत्तक बाद गाममे नव मकान बना कऽ चलि गेला। ओ एकटा समांग जकाँ हमर मकानक रक्षा केला।

गामपर स्‍व. माय रहैत छेली। हुनकर व्‍यवस्‍थाक क्रममे समय-समयपर हमरा गाम जाएब अनिवार्य छल। आब तँ मैयो नहि छैथ ई शून्‍यता के भरत? 

नौकरीसँ सेवा निवृत्त भऽ गेलौं। तथापि परिवारोमे आ अपनो इच्‍छा भेल जे दिल्‍ली वा आसे-पड़ोसमे रही।

एतेक दीर्घ समय नौकरीमे बीति गेल। तरह-तरह केर लोक आएल-गेल। विवाद आएल, समाप्‍त भऽ गेल। समयक प्रभावसँ सभ किछुक ढिकाना लागि जाइत अछि। आब सोचैत छी तँ बहुत रास बीतल बात सभ व्‍यर्थ लगैत अछि। मुदा सभ किछु अपने हाथमे नहि छइ। समय सभ किछु सीखा दइ छइ। कहबी छै जे जखन धोती पहिरै-जोकर होइत अछि तँ फाटए लगैत अछि।ई तँ जीवनक सत्‍य छइ। जीवन-यात्रामे जे कियो जइ रूपे संग भेल, सभकेँ कोटिष: धन्‍यवाद। ◌