मैथिलीमे हमर प्रकाशित पोथी

मैथिलीमे हमर प्रकाशित पोथी

मंगलवार, 26 मई 2020

पिताक देहावसान





पिताक देहावसान

 

 

भैया नहि रहलाह ।

की भेलनि?”

आइ भोरे छातीमे दर्द उठलनि ।   योगीजी पानि चढ़ओने रहथिन। मुदा हाल गड़बड़ाइते गेलनि आ किछुकाल पहिने चलि गेलाह।

मधुबनीसँ नबोनाथजीक फोन छल । समाचार सुनि कनी काल लेल सुन्न पड़ि गेलहुँ । फेर सम्हरलहुँ,शांत भेलहुँ ।  सोचलहुँ जे अखन तुरंत तँ गाम गेनाइ संभव नहि अछि । आइ-काल्हि जकाँ धर दए हवाइ जहाजपर चढ़ि जेबाक समय नहि रहैक ने हमरा लग ततेक पैसाक जोगार छल । श्राद्धक हेतु सेहो पैसाक जोगार करबाक छल । अस्तु, नवोनाथजीकेँ कहलिअनि-

अनुज लोकनिकेँ कहबनि जे आगु बढ़थि ।

कहक माने जे पिताक अंतिम संस्कार कए देल जानि । हमर प्रतीक्षा नहि करथि । सएह भेवो कएल । हमरासँ छोट सुरेन्द्रजी बाबूकेँ आगि देलखिन। आओर दुनू भाइ सेहो ओतए उपस्थित रहथि । गाम-घरक लोग तँ रहबे करथि ।

जखन नबोनाथजीक फोन आएल तँ हम कार्यालयमे रही। करीब चारि बजेक समय रहल हेतैक । ७ फरबरी १९८९क (फाल्गुन शुक्ल द्वितिया )दिन रहैक । ओहि समय हम गृह मंत्रालयक आंतरिक वित्त विभागमे डेस्क अधकिारी रही ।  ए.के. हुइ हमर अधिकारी छलाह । हुनका सभ बात कहलिअनि । ओ बहुत सहृदयतापूर्वक हमरा हेतु रेलक टिकटक ओरिआन केलाह । कार्यालयसँ छुट्टी सेहो भेटल। तकरबाद सरोजिनी नगर स्थित सरकारी आवासपर पहुँचलहुँ । श्रीमतीजीकेँ सभबात कहलिअनि।

पिताक देहांतसँ पूर्ब रातिभरि हमरा निन्न नहि भेल रहए। भरि राति टुकुर-टुकुर करैत बिति गेल छल । संभवतः आसन्न दुर्घटनाक आहट मोनकेँ भए गेल हेतैक । मधुबनीमे घर बनाएब प्रारंभ केने रही। हमर आग्रहपर नबोनाथजी बाबूकेँ डाक्टरसँ बेनीपट्टीमे देखओने रहथि ।  यद्यपि ओ बहुत कमजोर भए गेल रहथि,भूख नहि लगनि मुदा एहन नहि लगैक जे एतेक जल्दी चलि जेताह । हमर छुट्टी बिति गेल छल । पटना बाटे टिकट छल । मुदा पटना पहुँचतहि पता लागल जे ट्रेनमे हड़ताल भए गेल छैक । ट्रेन नहि चलत । तखन की कएल जाए? सपरिवार साढ़ूजीक डेरापर पटना पहुँचलहुँ । दोसर दिन जा कए ट्रेन खुजल । हमसभ दिल्ली पहुँचलहुँ । तकर दू दिनक बादे ई समाचार भेटल ।

ई हमर दुर्भाग्य जे हम पिताक अंतिम समयमे हुनका लग नहि रहि सकलहुँ ,हुनकर अंतिम संस्कारमे भाग नहि लए सकलहुँ। मुदा आब एहिसभपर सोचलासँ की फएदा? हम कइए की सकैत छलहुँ? हवाइ जहाजसँ जा सकब से तँ सोचेबो नहि कएल छल? एतबा ध्यानमे आएल जे हुनकर श्राद्धक हेतु यथासाध्य टाकाक जोगार केने चली नहि तँ गाम गेलाक बाद ओहो एकटा महासंकट भए जाएत । ककरासँ मंगितिऐक? दिल्लीमे तँ तइओ जोगार भए सकैत छल । गाम तँ गामे थिक । दिल्लीक लड्डू जे खेलक सेहो पछतेलक आ जे नहि खेलक सेहो ।  गाम जेबासँ पूर्व टाकाक जोगार करब जरूरी छल आ सएह सोचि दू दिनक बाद गाम बिदा भेलहुँ ।

असलमे समाचार भेंटलाक तुरंत बाद नहि जेबाक कारण श्राद्धक हेतु टाकाक जोगार करब छल । गाम खाली हाथ गेनाइ उचित नहि बुझाएल । जेना-तेना तेसरदिन रातिमे हम गाम पहुँचलहुँ । सबसँ पहिने माए भेटलीह । सदा-सर्वदा जकाँ शांत । अपन बच्चासभकेँ देखि संतोख केने । हमरा देखितहि कहलीह-

आब कमसँ कम शांतिसँ काज होएत ...।

तकरबाद माए बाबूक देहांतक परिस्थितिक चर्च करैत रहलीह । बड़का-बड़का आँखिसँ ढबर-ढबर नोर धारा प्रवाह बहि रहल छलनि । की कहितिअनि? कोना संतोख दितिअनि ? लगभग बाबन वर्षक संग छुटि गेल रहनि । दुखक बात तँ रहबे करैक । मुदा एकर कोनो समाधानो तँ नहि भए सकैत छल । से ओ बुझैत छलीह । एहन असीम धैर्य भगवान सभकेँ देथुन । मोनमे अपार पीड़ाकेँ निरंतर झपने दिन-राति ओहनो समयमे ओ परिवारमे घिरनी जकाँ बहैत रहलीह,काज करैत रहलीह -बिना कोनो प्रतिपूर्तिक अभिलाषाकेँ । के उतारत हुनकर ॠण ? मुदा अंत- अंत धरि हमरा मोनमे ई भाव अबैत रहल जे जन्म-जन्म ओएह हमर माए होथि । हम हुनकर जे ॠण नहि उतारि सकलहुँ से आगु उतारबाक प्रयास करी । कैकबेर अखनो हमरा मोनमे होइत रहैत अछि जे कनीको कालक हेतु ओ घुरि अबितथि तँ हम हम हुनकर पैर पकड़ि माफी मांगि लितहुँ । कहितिअनि-हे माते! हमरासँ जे त्रुटि भेल ताहि हेतु क्षमा करू । मुदा से कतहु भेलैक अछि? एहि संसारसँ जे एकबेर गेल से घुरि नहि आएल , कदापि नहि ।

एक हिसाबे हम श्मशानेमे बैसल रही । बाबूक साराक आगि मिझा गेल छल । हम,हमर अनुज लोकनि आ महापात्रजी ओहिठाम रही । सभ मिलि कए छाउरमेसँ हड्डीक अवशेष(फूल) चुनैत रही । तकर बाद माटि,पानि आ बचलाहा छाउर सभकेँ मिला कए सारा बनाओल गेल । ओहिपर तुलसी रोपल गेल ।  मंत्र पढ़ल गेल । ई सभ करैत-करैत किछु समय लागल । बीच-बीचमे खाली समयमे बाबूक संग बिताओल समय ,हुनकर हमरासँ आशा-अभिलाषाक कतेको प्रसंग मोन पड़ैत रहल । ई स्थिति श्राद्धक बादो बहुत दिन धरि बनल रहल ।

सभ माता-पिता अपन संतानकेँ यथासंभव मानैत अछि,नीकसँ पालन करैत अछि । मुदासभक भाग्य एकरंग होइक तखन ने? केओ जनमिते राजाक घरमे पहुँचि जाइत अछि आ केओ सड़कपर कनैत रहैत अछि आ माता-पिता असहाय भेल मजदूरी करैत रहैत अछि । हमर माता-पिताक नओटा संतान छलनि । पाँचटा बेटी आ चारिटा बेटा। हम हुनकर छठम संतान छलिअनि।  हमर बाबूक हालत जखन गड़बड़ेलनि तँ ओ सोचथि जे हम ततेक भारी अधिकारी बनब जे सभ क्षतिपूर्ति कए देबनि । सभ भाए-बहिनकेँ जकरा-जतेक मदतिक काज हेतनि से कए देबनि आ अपन तँ कइए लेब । हम मेहनतिसँ पढ़ी,अपना भरि जे पार लागए से करी,प्रयास इएह रहए जे पिताक मनोरथ पूर्ण कए सकिअनि । मुदा कहबी छैक जे हाथ आ मुँहक बीचमे  बहुतक फासिला होइत छैक।

मनुक्ख केहन पाथर जीव होइत अछि? की- की ने सहि जाइत अछि? कहि नहि सकैत छी जे हमर पिता हमरा कतेक मानथि,कतेक प्रेरित करथि,दिन-राति एहि प्रयासमे रहथि जे हम नीकसँ-नीक करी,ताहि हेतु जे पार लगलनि से केबो केलाह । मुदा कर्ण जकाँ हुनको जीवन रथक पहिआ फँसि गेल रहनि । आर्थिक पराभव तेहन भए गेलनि जे ऐन मौकापर सभकिछु ठमकि गेल । सभ तैयारी धएले रहि गेल।

चारिमदिन सारा झपलाक  बाद हमरा उतरी स्थानांतरित कएल गेल । तहिआसँ द्वादसा धरि तरह-तरहक कर्मकाण्ड कएल गेल । ओहि समयमे हमरो आर्थिक परिस्थिति ठीक नहि छल । जेना-तेना किछु टाकाक जोगार कएलहुँ । हमर अनुज सुरेन्द्रजी सेहो यथासाध्य योगदान देलथि । एहि तरहें गामभरि ब्राह्मण भोजन(दुनू दिन)क व्योंत भेल । जेना-तेना बाबूक श्राद्ध संपन्न भेल। श्राद्ध भए गेलाक बादमाएक मोन बहुत आश्वस्त लागि रहल छलनि ।

हमर परिश्रम आ निष्ठाक प्रशंसा बाबू बेर-बेर आन भाए लोकनिक समक्ष करथि जाहिसँ हुनकोसभकेँ ओहिना करबाक प्रेरणा होनि । मुदा भेल उल्टे । ओ सभ नहि तँ कमसँ कम हमर एकटा भाएक मोनमे तेहन ग्रंथि बनि गेलनि जे ओ जीवन भरि ओहिसँ उबरि नहि सकलाह आ हमरा ओहि कारण जे दुर्गति केलाह से हमही जनैत छी । अभिवावककेँ चाही जे एकटा बच्चाक प्रशंसा दोसर-तेसर बच्चालग करैत समयमे सावधानी राखए,नहि तँ संतानसभमे आपसी कलहक कारण बनि जाइत अछि ।

सन्१९८९मे पिताक देहांतक बाद २७ वर्ष माए रहलीह । सभदिन ओहिना शांत,संघर्षरत । पिताक देहांतक बाद सभसँ बेसी चिंता हमरा माए हेतु भेल । हम निश्चय केलहुँ जे जीवनपर्यंत माएक सेवा करैत रहबनि जाहिसँ हुनका कोनो कष्ट नहि होनि । हमरा एहि बातक संतोख अछि जे हम एहि संकल्पक पालन केलहुँ । कतबो परेसानी भेल मुदा सभ मास बिना कोनो अपवादकेँ हम माएक नामे मनीआर्डर पठबैत रहलहुँ । कतेको बेर बहुत जरूरी खर्चामे  कटौती कए एहि काजकेँ कएल जा सकल । यद्यपि हमरा नीकसँ बूझल छल जे माए हमर पठाओल टाकामेसँ गाममे हुनका लग रहैत परिवारक अन्य सदस्य लोकनि पर खर्च करैत रहलीह-इच्छा वा अनिच्छापूर्वक । मुदा ओ आर्थिक आधार हुनका जीवनमे बहुत मदति केलकनि । हम एहि बातक हेतु निरंतर प्रयास केलहुँ जे ओ हमरा संगे दिल्ली रहथि मुदा ओ ताहि हेतु कहिओ तैयार नहि भेलथि । हमरा जनैत तकर मूल कारण छल जे ओ स्वतंत्र रहए चाहैत छलीह । दोसर कारण हुनकर गाममे रहनिहार हमर अनुज आ हुनकर परिवार छलनि । माए तँ सभहक होइत छैक। नओटा संतान हुनका रहथिन । जाहिर  छैक जे सभक प्रति हुनकर अनुराग रहनि । तेँ ओ कहिओ गामसँ बाहर रहबाक हेतु राजी नहि होथि । जे परिस्थिति छलैक ओहिमे जे संभव  छलैक से हम केलहुँ ।

हमर पिताक अभिलाषा रहनि जे हम बहुत पढ़ी,बड़का हाकिम बनी,तकर बाद पूरा परिवारकेँ जकरा जे जरुरत होइक से पूरा करैत रही । मुदा जीवनमे एहन साइते होइत होइक । ने हमरा ओतेक सामर्थ्य भगवान देलनि जे सभक भार उठा लितहुँ आ जकरा,जखन जाहि वस्तुक प्रयोजन होइतैक से पूरा करैत चलि जइतहुँ । खैर! जे हेबाक छलैक से भेलैक । आब ओकर की घमरथन होएत । माता-पिताक प्रतिए सभ संतानक कर्तव्य होइत अछि । मुदा से कहाँ होइत अछि? माता-पिता नओटा संतानक पालन केलनि आ जखन माए दुखित भए ओछाओन धए लेलीह आ हुनका परिवारक जरुरत भेलनि तँ जे हाल भेल से लिखल नहि भए रहल अछि।

ई जीवन छैक । एहिठाम सभकिछु मनोनुकूल नहि होइत छैक । भावी प्रवल होइत छैक । समय ककरो नहि छोड़ैत अछि । कृष्ण सन महान व्यक्ति एकटा मामूली व्याधाक हाथे मारल जाइत छथि । अर्जुन लुटेरासभक सामनेमे हथप्रभ रहि जाइत छथि आ ओ सभ द्वारकाक विधवा आ ओकरसभक धन-संपत्तिकेँ लुटि लैत अछि । एहन-एहन अनेको उदाहरण एहि संसारमे भेटत । एहिसभ बातपर विचार केलासँ शांति भेटि सकैत अछि । अन्यथा तँ जीवनमे लोक सोचिते रहि जाएत ।

समय बिति जाइत छैक,मुदा बात मोन रहि जाइत छैक । आइओ जखन असगरमे सोचैत छी तँ बाबू बहुत मोन पड़ैत छथि आ मोन पड़ैत अछि हुनकर सतत जीवंत आ आशावान व्यक्तित्व। अखनहु कैकबेर लगैत अछि जेना बाबू ठाढ़ छथि,हम हुनका गोर लागि रहल छी आ ओ हमरा आशीर्वादक वर्षा कए रहल छथि .. 



26.5.2020