मैथिलीमे हमर प्रकाशित पोथी

मैथिलीमे हमर प्रकाशित पोथी

गुरुवार, 28 फ़रवरी 2019

न्यायक दनानपर





सरकारी सेवासँ सेवानिवृतिक बाद हम दिल्लीक बार कौंसिलमे निवंधन हेतु गेलहुँ । हौजखासमे अवस्थित ओहि कार्यालयमे बेस गहमा-गहमी छल । बेसी युवकसभ रहथि मुदा बूढ़ोसभक कमी नहि रहए । ओहिदिन एक सएसँ कम लोक नहि रहथि । कैटा फार्मसभ भरबाक रहैक । शुल्क जमा करबाक रहैक । से सभ भेलैक। फेर की भेलैक की नहि काज रूकि गेलैक । लोकसभ अपसियाँत रहथि । जेना-तेना फार्म जमा भेल आ कहल गेल जे चारि-पाँचदिनक बाद पता लागत जे कहिआ लाइसेंस भेटत । हमसभ अपन-अपन घर बिदा भए गेलहुँ । ओहीक्रममे दिल्ली सरकारमे सहायक श्रम आयुक्तक पदसँ सेवानिवृत श्री ओम प्रकाश सपराजीसँ भेंट भेल । एहन लोक नहि देखलहुँ । एकटा अपरिचित व्यक्तिक हेतु एहन आपकता कम देखबामे अबैत अछि । कहए लगलाह-

"अहाँ केमहर जाएब?"

"२१ ब्लाक, लोधी कालोनी।"

"चलू, हम अहाँकेँ छोड़ैत चलि जाएब । हमरो ओमहरे जेबाक अछि ।"

हम हुनका संगे बिदा भए गेलहुँ । सपराजी हमरा घर धरि छोड़ि देलाह । आग्रह केलिअनि तँ बैसि कए संगे चाहो पिलाह । कनीके कालमे तेहन मिलि गेलाह जेना लागए कतेक सालसँ जनैत होइअनि । फेर ओ हमरासभसँ जेबाक अनुमति लेलाह । एकटा अपरिचित व्यक्तिसँ एहन सिनेह दिल्लीक समाजमे अपवाद थिक। मुदा ओ छथिहे तेहने महान व्यक्ति । दिल्लीमे अनेको सामाजिक संस्थासँ जुड़ल छथि । मित्र संगम पत्रिका अपन किछु संगी सभक समगे प्रत्येक मास सालोंसँ निकालैत छथि । यद्यपि ई पत्रिकामे कम पृष्ठ होइत अछि मुदा सपराजी आ हुनकर सहयोगीसभ एहिमे गागरमे सागर भरि दैत छथि । प्रत्येक मास नियमित रूपसँ ई पत्रिका निकलैत अछि आ कतेको लोकमे बाँटल जाइत अछि । नियमिततामे तँ ई पत्रिकाक कमे मिसाल भेटि सकैत अछि। अकस्मात भेल ई भेंट-घाँट सँ श्री सपराजीसँ हमर मित्रताक शूत्रपात भेल । पछिला पाछ सालसँ से गहीर होइत गेल । मृदुभाषी आ मिलनसार सपराजी दिल्लीक साहित्यिक जगतमे बहुचर्चित व्यक्तित्व छति। हुनकासंगे जखन कखनो हम पुस्तक मेला गेलहुँ तँ बाहर होएब मोसकिल भए जाइत छल ,कारण डग-डेगपर हुनकर परिचित लेखक,प्रकाशक भेटैत रहितनि आ ओ सभक संगे तेना ने मिलि जइतथि जेना पानिमे चिन्नी मिलि जाइत अछि । किछुदिनक बाद हमरा ओकालतक लाइसेंस भेटल । सपराजी आ हम दुनूगोटे कैट बार रूममे लगभग डेढ़साल बैसलहुँ । ओहिक्रममे नियमित ओ  भेटैत रहलाह ।

सरकारी सेवासँ निवृतिक बाद हम सोचने रही जे आब स्वतंत्र काज करब । ताहि दृष्टिसँ वकालतक लाइसेनस लेलहुँ । नियमित रूपसँ कैटमे बैसल करी ई क्रम करीब डेढ़ साल चलल । ओहि दौरान कैटा नव चीजसभ सीखबाक अवसर भेटल। सरकारी सेवा संबंधी नियम-कानूनक हम जानकार छी आ ओहि क्षेत्रमे चालीस सालोसँ बेसीक व्यवहारिक अनुभव अछि । हमरा उमीद छल जे हमर वकालत चलि जाएत मुदा से भेल नहि । समय बिताबक हेतु कैटक बाररूम बढ़ियाँ स्थान अछि । ओतए अधिकांश ओकील सेवानिवृत सरकारी अधिकारी छथि जे मूलतः समय बिताबक हेतु ओतए जाइत-अबैत छथि । बादमे हमरा अंदाज भए गेल जे ई काज चलए बला नहि अछि । नित्यप्रति इन्दिरापुरामसँ  कापरनिकस मार्ग स्थित कैटक बाररूम धरि आएब-जाएबमे बहुत खर्चा होइत छल आ आमदनी फोकला । कै दिन एना चलि सकैत छल?

किछुगोटे मात्र समय काटए हेतु ओकिलक ड्रेस पहिरि भरि दिन कैट बाररूममे बैसल गप्प मारैत रहैत छथि । लागत जेना कतेक गंभीर विषयपर चर्चा भए रहल अछि । एहने इकटा रेलवेसँ सेवानवृत वरिष्ठ अधिकारी छथि जे ग्रेटर नोएडासँ नित्य कैट (कापरनिकस मार्ग, दिल्ली) अबैत-जाइत छथि । हम पुछलिअनि-

"किछु काजो चलैत अछि कि नहि?"

"काजक गप्प छोड़ू । जहिआसँ एतए आइब-जाएब शुरु कएलहुँ, ब्लड सुगर सामान्य भए गेल । आँखिक चश्माक नंबर कम भए गेल । ई तँ सद्यः फैदा थिक ।"

एहिना कै गोटे  घरमे झंझटसँ बँचबाक हेतु बहराइत छथि ।  एकदिन दिल्ली उच्च न्यायलयमे एकटा सेवानिवृत जीला न्यायाधीस कहलाह-

"सेवा निवृतिक बाद किछु दिन घरेमे रही । तरकारी, दूध आनबाक काज हमरे जिम्मा आबि गेल । ताहि लेल तँ कोनो बात नहि मुदा जखन तरकारी कीनि कए आपस घर जाइ तँ गृहणी कहथि-

"कहि नहि अहाँ केना जजक काज करैत छलहुँ । अहाँ बुते तरकारी कीनब सन सोझ काज नहि होइत अछि । सभटा सड़ल-पाकल तरकारी उठा अनैत छी ।"

कहला  तकरबाद ओकालत शुरु केलहुँ । कम सँ कम घरक फज्जतिसँ मुक्ति भेटि जाइत अछि । "

एहन उदाहरण बहुत गोटेक अछि । जीवन छैक । तरह-तरहक खिस्सा सुनबामे अबैत रहैत छैक । मुदा सेवा निवृत लोकनिकेँ तरह-तरहक समस्या रहिते छैक ।

एकदिन एकटा मोअक्किल पुलिस संगे अएलाह । हुनका नौकरी संबंधी किछु समस्या छलनि । हुनकर केस उच्च न्यायलय दिल्लीमे चलितनि । हुनकर कागज -पत्तर देखबासँ बुझा गेल जे मामलामे कोनो दम नहि थिक । मुदा ओ मोकदमा करबाक हेतु अड़ल छलाह । हमरा कहलाह॒-

" हम चाहैत छी जे संबंधित अधिकारी दंडित होअए, हमरा फैदा भले नहि होअए । दोसर दिन भेने ओ फेर अएलाह । कतबो हम बुझाबिअनि कोनो असर हुनकापर नहि पड़ए । ओ वाजिब फीसो देबाक हेतु तैयार छलाह । हम पुछलिअनि-

"अहाँकेँ हमही कोना पसिंद पड़लहुँ?"

" अहाँक केस पाकि गेल अछि, बुजुर्ग आदमी छी, भेल जे अहाँ हमरा ठगब नहि ।" हमरा नहि रहल गेल । हँसी लागि गेल । हम ओकर कागज-पत्तर ध्यानसँ पढ़ि ओकरा राय देलिऐक -

"अहाँक मोकदमामे जान नहि अछि । एहिमे अहाँकेँ किछु फैदा नहि होएत । यद्यपि एहिमे प्रशासकीय चूक लगैत छैक आ ताहि हेतु भए सकैत अछि जे कोर्ट ओकरा दंड दैक ।"

"बस इएह हमरा चाही । ओहिमे हमरा फैदा होअए वा नहि मुदा ओहि अधिकारीकेँ दंडित कएल जाए। ओ बहुत बदमास अछि ।"

हम लाख प्रयास केलहुँ ओ अपन बात पर अड़ल रहथि ।

मोकदमा लड़बाक छैक, जे हेतैक।"

हम ओहि केस लेबामे उत्सुक नहि रही आ ओ मोअक्कल से बात बुझलक आ कतहु आनठाम चलि गेल। एहिबातकेँ ओतए कैटा ओकिलसभ देखैत रहथि आ हमरा कहलाह-

"अहाँ तँ हमरोसभक धंधा चौपट करब ।"

एकाध बेर आओर एहने घटनासभ घटित भेल । ओना हमरा कोर्टमे जा कए ओकिलसभक बहस सुनबामे मोन लगैत छल । कैटा ओकिल बहुत नीक सँ अपन बात रखैत छलाह । मुदा कै गोटेकेँ मोअक्कलकेँ ठकैत सेहि देखिअनि । जे भेल,से भेल करीब डेढ़ साल हम एही मे लागल रहलहुँ । किछुगोटे हमरा ओकिलसाहेब सेहो कहए लगलाह । मुदा आर्थिक लाभ किछु नहि होइत छल । तकरबाद हम सेवानिवृत अधिकारी सभक हेतु उपयुक्त नौकरी सभ ताकए लगलहुँ । केन्द्र सरकारक इलेक्ट्रोनिक विभागक अधीन नीलीट एकटा संस्था थिक । ओहिमे संविदा आधारपर सलाहकारक हेतु हम चुनल गेलहुँ । भेलैक ई जे किछुदिन पूर्व हम एकटा प्रशिक्षणक किलास लेने रही । ओहिमे सरकारक आरक्षण व्यवस्था कोना लागू कएल जाएत विषयपर पढ़ेबाक रहैक । हमरा ओ काज आबि  गेल । साक्षात्कारमे ओही विषयपर बहुत रास प्रश्न पुछल गेल जे हम धराधर कहैत गेलिऐक । हम ओहिमे प्रथम स्थान पाबि सफल भेलहुँ ।  हम साढ़ेतीन मास ओहिठाम काज केलहुँ । ओहीबीचमे हमर दिल्ली उच्च न्यायलयसँ स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेट(विशेष महानगर दंडाधिकारी)क पद हेतु चयन भए गेल। तकर अधिसूचना सेहो जारी भए गेल । हमरा नीलीटमे टाका तँ नीक भेटैत छल मुदा काज किछु देबे नहि करथि । बैसबाक सेहो कोनो ठेकान नहि । एकटा अधिकारीक सोफापर बैसल करी । साढ़ेतीन मासमे ओ सोफा एकहाथ धसि गेल । भरिदिन ओहि अधिकारीक भाषण सुनैत रहू । काज किछु नहि । तीनटा-चारिटा अखबार पढ़ल करी । तैयो समय नहि बीतए । तखन इलेक्ट्रोनिक भवनक भीतरे घुमल करी । समयसँ पहिने ने आपस घर जा सकैत छलहुँ ने देरीसँ दफ्तर आबि सकैत छलहुँ कारण ओहिठाम हाजिरीक हेतु बायोमेट्रीक मशीन लागल रहैक । । आएब जरूरी,रहब जरूरी मुदा काज किछु नहि । एक हिसाबे ई बड़का दंड छल । एकदिन हमरा बड़ तामस भेल । ओहिठामक वरिष्ठ अधिकारीपर बिगड़लहुँ ।

"ई की तमासा केने छी? मासक-मास बिना काजक हम समय बिता रहल छी । बैसबाक सेहो कोनो ठेकान नहि अछि ।"

ओ कनी परेसान बुझेलाह ।

"चिंता नहि करू । सभटा भए जेतेक । बहुत नीक हेतैक । जगहो भेटत,काजो भेटत । सभटा हेतैक। हेबे करतैक । "-से सभ बड़बड़ाइत बैसबाक जगह बनेबाक हेतु ओ एमहर-ओमहर  घुमए लगलाह । लगलैक जेना आइ किछु भइए कए रहत । मुदा ई सभ नाटक छल । किछु नहि भेल । आएल पानि,गेल पानि ,बाटे बिलाएल पानि बला हाल भए गेल । हमरा दिल्ली उच्च न्यायलयक अधिसूचना भेटि गेल रहए । आब ओहिठाम रहब उचित नहि बुझाएल । फेर डेरापर हमर माए दुखित छलीह । सोचलहुँ जे इस्तीफा दए दी । जाबे स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक काज नहि शुरु होइत  अछि ताबे माएक सेवा भरिपोख करब । सएह सोचि हम इस्तिफा दए देलहुँ। हमर इस्तिफा देखि ओ अधिकारी गाहे-बगाहे ओकरा आपस लेबाक हेतु कहथि मुदा हमर निश्चय पक्का छल । एहि तरहें हम नीलीटसँ कार्यमुक्त भए गेलहुँ ।

 सोचने रहिऐक जे दस-पंद्रह दिनमे स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक काज  शुरु भए जेतैक । लएह ओ बाबू । उच्च न्यायलयसँ  अधिसूचना भेलाक बाद दिल्ली सरकारक अधिसूचना हेबाक रहैक । आब ओहिठाम कागज मासक मास एमहर-ओमहर घुमैत रहल । विलंबक मूल कारण ई रहैक जे अधिसूचना निकालबाक हेतु दिल्ली सरकारमे ककर स्वीकृति लेल जाएत-मुख्यमंत्रीक आ कि उपराज्यपालक -एहि निर्णयमे  लगभग तीन मास लागि गेल । हम धरफरा कए नीलीटक काजो छोड़ि देने रही। भरिदिन डेरामे बैसल-बैसल बहुत मोसकिल बुझाइत छल । माएक सेवा करी मुदा ओहूमे कतेक काल लागैत ,तकर बाद?

आखिर दिल्ली सरकारक अधिसूचना जारी भेल  । हमरा लोकनिकेँ फोनसँ तकर सूचना भेटल । ओहि समय हम दिल्लीक कनाटप्लेसमे रही । तुरंत तिपहिआसँ उच्च न्यायलय जा कए दिल्ली सरकारक अधिसूचनाक संगे जिला न्यायाधीशक नाम उच्च न्यायालयक आदेशक प्रति प्राप्त कएल । ओहि दिन राति भरि भोर हेबाक प्रतीक्षा करैत रही । बीचमे हम माएकेँ मजिष्ट्रेटक हेतु अपन चयनक  संबंधमे कहने रहिऐक । ओ बहुत खुश रहए । तकर बाद तँ जकरा-तकरा कहने फिरैक -"हमर बेटा मजिष्ट्रेट बनि रहल अछि ।" भोरे माएकेँ प्रणाम कए हम तीस हजारी गेलहुँ । ओहिठाम ओही पदपर चुनल गेल किछु आओर गोटे पहिनहिसँ आएल रहथि । ई पता लागल जे चारि बजे जिला न्यायाधीश हमरा लोकनिकेँ शपथ दिअओताह आ काल्हिसँ राष्ट्रीय विधि कालेज,द्वारका,नई दिल्लीमे हमरा सभक प्रशिक्षण प्रारंभ होएत । इहो कहल गेलैक जे शपथ ग्रहण हेतु कारी कोट जरूरी थिक । उजरा सर्ट जरूरी थिक । उजरा सर्ट तँ ओहीठाम कीनि लेलहुँ मुदा कोर्ट नहि भेटल । तखन की कएल जाए । हमर मित्र श्री ओम प्रकाश सपराजी कोनो अपन पूर्वपरिचित मित्रसँ कारीकोट मंगनी केलाह। हुनका कहलखिन जे घंटाभरिमे आपस भए जाएत । ओकिलसाहेबकेँ हाइकोर्टमे केसक हेतु जेबाक रहनि । घंटाभरि के कहए दू घंटा बीति गेल । हुनकर कोर्ट आपस नहि भेल । ओ बेर-बेर फोन करथि । सपराजी सेहो परेसान छलाह । शपथ ग्रहणक समय आगा बढ़ल जाइक । हम हुनकर कोट पहिरने प्रतीक्षा करी जे आब शपथ ग्रहण हेतैक तँ ताब । मुदा चारि बजे जा कए से संभव भेलैक । ताबे तँ ओकिलसाहेब बहुत तमसा गेल रहथि। हमरा बहुत अफसोच भेल जे बेकारे हुनकर कोट लेलहुँ । कै बेर छोट-छोट बात बहुत शिक्षा दए जाइत अछि, सएह ई मंगनी कएल कोट कए गेल । कखनहुँ सार्टकटक रस्ता ठीक नहि होइत अछि । बादमे हम देखलिऐक जे कै गोटे बिना कोटोकेँ शपथ लेलथि आ कोनो दिक्कत नहि भेलैक । शपथ ग्रहण समाप्त होइतहि हम ई कोट ओकिलसाहेबकेँ आपस केलहुँ । ताबे ओ हमरेसभक लग आबि गेल रहथि आ बड़बड़ाइत चलि गेलाह । शपथ ग्रहण केलाक बाद हमसभ कानूनन दिल्लीक मजिष्ट्रेट बनि गेल रही । अपना-आपमे ई एकटा अलग लाइन छल । हम कहिओ नहि सोचने रही जे न्यायिक अधिकारी बनब सेहो हमर कपारमे लिखल अछि ।

दोसर दिन भोरे माएकेँ प्रणाम कए नेशनल जुडिसिअल अकाडमी,द्वारका,दिल्लीमे प्रशिक्षणक हेतु हम पहुँचलहुँ । हमरासँ पहिने कैगोटे अंडाकार टेबुलक चारूकात पसरि गेल रहथि । जल्दीसँ किछु कागजसभ भरलहुँ । प्रशिक्षणक क्रममे जिला न्यायाधीश,ककरडूमा कोर्टक ओहिठाम हमरा सात दिन बिताबक छल । जिला न्यायाधीश डा० नवल गजबकेँ व्यक्ति छलाह । विनम्र व्यवहार आ स्पष्टवादितासँ तुरंत प्रभावित करैत छलाह । एक सप्ताह धरि विभिन्न न्यायाधीसगणक संग हमर प्रशिक्षण चलल । तकर बाद एक सप्ताह बेगर्स कोर्ट(भिखमंगा कोर्ट)क स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक संग हमरा संवद्ध कएल गेल । एतहि पता लागल जे भिखमंगासभसँ निपटबाक हेतु दिल्लीमे बेगर्स कोर्ट चलैत अछि । पुलिसक लोकसभ यत्र-तत्रसँ भिखमंगासभकेँ पकड़ि अनैत छलाह आ कोर्टमे मजिष्ट्रेटक सोझा पेश करैत छलाह । भिखमंगा कोर्टक मजिष्ट्रेट चाहए तँ हुनकासभकेँ सालो सुधार गृहमे बंद कए दिअए । मुदा से प्रायः कमे काल होइत छल । बेसी भिखमंगाकेँ डाँटि कए छोड़ि देल जाइत छल । ई क्रम अनवरत चलैत रहैत छल । हमरा तँ ई व्यवस्था ब्यर्थ लगैत छल । एक तँ बेचारासभ भीख मांगए हेतु मजबूर छल  ताहि परसँ पकड़ल गेलहुँ तँ कोट कचहरीक चक्कर लगाउ । मुदा एकटा बात देखबाक ,बुझबाक मौका भेटल जे कैटा भिखमंगाक गैंग सभ सेहो सकृय छल जे भिखमंगासभसँ ठाम-ठाम भीख मगबैत छल । तकरासभक हेतु कानूनमे कठोर व्यवस्था छैक । मजिष्ट्रेटो हुनकासभकेँ  सख्ती करैत छलखिन । मुदा तुरंते ओकिलसभ ओकरासभकेँ बचेबाक हेतु हाजिर भए जाइत छल । भिखमंगाकेँ एहन कानूनी संरक्षण के दैत छल? जाहिर छेक जे ई काजसभ भिखमंगा गैंग चलनिहारेसभ करैत छल । भिखारी कोर्टक हाल तँ बेहाल छल । एहन खानापुरी नहि देखलहुँ । रच्छ अछि जे हालेमे दिल्ली न्यायालय एहि कानूनकेँ दिल्लीमे निरस्त कए देलक अछि आ भिखारी कोर्टसभ आबकाज केनाइ बंद कए देलक।



प्रशिक्षणक अंतिम एक सप्ताह जुडिसिअल अकाडमीमे किलास चलल । बेसी सैद्धांतिक बात सभ होइत रहल । जरूरी ई छल जे काजसँ जुड़ल व्यवहारिक बातसभपर चर्च होइत । ओहिठाम रहब एकटा मनलग्गू अनुभव छल । पैघ-पैघ विद्वानसँ अपन-अपन विषय-वस्तुपर भाषण देलाह । अंतिम दिन जिला न्यायाधीश महोदयक हाथे हमरा लोकनिकेँ प्रशिक्षण समाप्तिक प्रमाणपत्र आ पदस्थापनाक आदेशक प्रति देल गेल । विदाइ भाषण भेल । हमसभ बहुत प्रशन्न भेल रही ।  सरकारी सेवासँ निवृत भेलाक बाद फेरसँ न्यायिक सेवामे बहाल होएब एकटा  महान संयोग छल ।

प्रशिक्षण समाप्त भेलाक बादसितम्बर २०१५क अंतिम सप्ताहमे हम यमुना विहार स्थित म्युनिसिपल कोर्टमे स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक काज शुरु केलहुँ । ओहिठाम तीनटा आओर मजिष्ट्रेट हमरे संगे पदभार ग्रहण केलथि । एकटा मजिष्ट्रेट पहिने सँ रहथि । अस्तु,आब ओहिठाम पाँचटा मजिष्ट्रेट भए गेलहुँ ।

हम करीब तीन बर्ख चारिमास  स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेट रहलहुँ । ओहिक्रममे तीनटा विभिन्न कोर्टमे हमर पोस्टींग भेल । पहिल कोर्ट छल यमुना विहारमे जतए हम करीब एकसाल  काज केलहुँ । हमर डेरा ओहि समयमे इन्दिरापुरममे छल । हम तकरबाद नोएडा आबि गेल रही आ नोएडा सेक्टर चालीस स्थित हमर घरसँ यमुना विहारक कोर्ट बहुत दूर छल। तेँ हम लाजपतनगर स्थित कोनो कोर्टमे पोस्टींग हेतु दर्खास्त देलिऐक जे मानि लेल गेल आ हमर पोस्टींग लाजपत नगरक दिल्ली जलबोर्डक कोर्टमे भेल । एहि कोर्टक अधिकार क्षेत्र दिल्लीक दक्षिण,पश्चिम,आ दक्षिण पश्चिम जिला छल । एहि तरहे जनकपुरी,नजफगढ़ ,वसंत विहार सँ लए कए संगम विहार,वसंत कुंज  आ कहि नहि कतए कतएक जलबोर्डसँ संबंधित मामला एहिकोर्टमे अबैत छल । एहिठाम सामान्यतः एहने लोकक मामला अबैत छल जिनका पासमे घर छल आ पानिक कनेक्सन किंवा सीवर संबंधित मामलाक चलान एतए देखल जाइत छल । तेँ अपेक्षाकृत एहिठाम नीक आ संभ्रांत लोकसभ चलान होइत छल ।

हम जलबोर्डक कोर्टमे अबितहि किछु एहन मामलासभक सामना भेल जाहिमे बहुत ज्यादा जुर्माना (लाख आ कैटा मामलामे ओहूसँ बेसी) हमर पूर्ववर्ती मजिष्ट्रेट द्वारा कए देल गेल छल । प्रथमदृष्ट्वा ओ सभ गलत छल मुदा हम चाहिओ कए किछु नहि कए सकलहुँ कारण पिछला कोर्टक फैसलाक खिलाफ मात्र अतिरिक्त न्यायालयक ओहिठाम अपील कएल जा सकैत छल । जब्ती,कुर्कीक आदेश दए जुर्मानाक भारी रकमक वसूली करए पड़ल आ लोकसभ देबो केलक अन्यथा जेल जाइत । लगभग सालभरि जलबोर्डक कोर्टमे काज केलाक बाद हमर बदली लाजपतनगरक म्युनिसीपल कोर्टमे भए गेल । एकसाल पाँच मास धरि हम ओहिठाम काज केलहुँ । एतए आनठामक अपेक्षा सुबिधा बेसी छल । सरकार बैट्रीसँ संचालित नव कार देने रहए ।  ग्रेटर नोएडाक घरमे अएलाक बाद दिल्लीक एहि नौकरी करब मोसकिल बुझाइत रहए मुदा एहिठाम नीकसँ समय कटल । कारक बेहतर सुबिधा रहबाक कारणे पचास मिनटमे  हम ग्रेटर नोएडा स्थित अपन घरसँ लाजपतनगरक कोर्ट चलि जाइत छलहुँ ।

एकदिन गेरुआ वस्त्र पहिरने,दाड़ी बढ़औने एकटा वृद्ध यमुना विहार कोर्टमे अएलाह । ओ गोपालन करैत छलाह । अपन गलती ओ सही-सही कहि देलाह । हम हुनकर स्पष्टवादितासँ प्रभावित भए मात्र एक सए टाका आर्थिक दंड देबाक आदेश देलहुँ । मुदा ओ तैयो बहुत दुखी भेल छलाह । जुर्माना तँ ओ दए देलाह मुदा कहए लगलाह-

"हम जीवनमे कहिओ कोनो प्रकारसँ दंडित नहि भेल छी । जुर्माना नहि देने छी । एहि घटनासँ हम बहुत दुखी छी ।"

छोटो-छीन घटना कै बेर बहुत मार्मिक भए जाइत अछि । हुनका गेलाक बाद हमरा कै दिन धरि ई प्रसंग मोन पड़ैत रहल ।

स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक काज करबाक क्रममे कैटा जे नीक लोग संग भेलाह ताहिमे स्वर्गीय पुंडीरजीक नाओँ अविस्मरणीय अछि । ओ दिल्ली पुलिसमे सहायक पुलिस आयुक्तक पदसँ सेवानवृत भेलाक बाद स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक काज शुरु केने रहथि । उत्तराखणडक बहुत संभ्रान्त परिवारसँ अबैत छलाह। सीआरपीसीक बहुत नीक ज्ञान हुनका रहनि । जखन कखनो कोनो कानूनी विषयपर  शंका होइत तँ ओ बहुत स्पष्ट मत दैत छलाह । हुनकासँ गप्प केलासँ होइत जेना कोनो बहुत अपन लोकसँ गप्प कए रहल छी। दिल्लीक प्रवासी भवनमे नवंवर २०१७मे हमर पुस्तक"भोरसँ साँझ धरिक विमोचन छल । हमर मित्र आ स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेट श्री ओम प्रकाश सपरा मित्र संगम पत्रिकाक तत्वावधानमे ई कार्यक्रम आयोजित केने रहथि । मैथिलीक प्रसिद्ध कवियत्रीडाक्टर शेफालिका वर्माजी एहि कार्यक्रमक अध्यक्षता केने रहथि । ओहि कार्यक्रममे स्व० पुंडीरजी सेहो आएल रहथि आ अंत धरि रहलाह । पुण्डीरजीक मृत्यु बहुत आकस्मिकरूपसँ हृदयाघातसँ दिल्लीक प्रसिद्ध सेंट जोजेफ अस्पतालेमे भए गेलनि । ओहि समयमे ओ अपन पुतहु आ नवजात पोतीकेँ अस्पतालसँ  आनए गेल छलाह । हृदयाघात ततेक सवल छल जे अस्पताल परिसरमे रहितहुँ किछु इलाज नहि कएल जा सकल आ ओ मरि गेलाह । लोक किछु भेलापर अस्पताल जाइत अछि मुदा ओ तँ ओहि समयमे अस्पतालेमे रहथि । मुदा कालक आगू ककर चलैत अछि?पुंडीरजीक असामयिक निधनसँ हमर एकटा पैघ क्षति भेल । हमर आ हुनकर स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक पदसँ सेवा निवृति लग-पासमे रहए । हमसभ गप्प करी जे संगे-संगे विदाइक माला पहिरल जएतेक । मुदा से विधाताकेँ कहाँ मंजूर भेलनि । असमयमे ओ चलि गेलाह । छोड़ि गेलाह हमर मोनमे सिनेहक एकटा तेहन निसान जे साइते मिटा सकत ।

एहि क्रममे श्री सी.बी.शर्माजी स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक नाओँ सेहो मोन पड़ैत अछि । यद्यपि ओ मैथिलभाषी नहि छथि तथापि ओ एहि कार्यक्रममे भाग लेलाह आ हमर मैथिलीमे लिखल ओहि किताबकेँ  बादमे पढ़लाह आ कहथि जे ओ बुझबो केलाह । श्री सी.बी.शर्माजी सरकारमे उच्चपद(आइओएफएसक जीएम)सँ सेवा निवृत भेलाक बाद स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेट बनलाह । ओ बहुत सुयोग्य ,इमान्दार, मृदुभाषी ,उदार आ भावुक व्यक्ति छथि । आइ-काल्हिक समयमे एहन नीक लोग भेटनाइ बहुत मोसकिल ।

कोर्टमे काज करैत किसिम -किसिमक लोकसँ भेंट भेंल । करीब सात हजार चलानक निपटान हम केने होएब । जाहिर छैक जे अनेकानेक परिस्थितिक लोकसँ मुखातिब होएबाक अवसर भेटैत छल । सबसँ दुखक बात ई रहेक जे नगर निगम कर्मचारीसभ खाली गरीब लोकसभक चालान करैत छलाह । बिरलैके कोनो पैघ दोकानबलाक चलान होइत छल जखन कि जौँ अपने दिल्लीक कोनो बजारमे जाएब तँ पैघ दोकानबलासभ सौंसे जगह छेकने रहैत अछि । चाहे सरोजिनी नगर मार्केट हो वा लाजपत नागर सभठाम एकहि हाल अछि । हम जखन सरोजिनी नगरमे रहैत रही तँ देखिऐक जे कखनोक बजारमे हरविर्रो मचि गेल । जखन कखनो जाँच वा निगरानीक हेतु अधिकारी आबथि तँ ओहिसँ पहिनहि किओ दौर कए दोकानदारसभकेँ सचेत कए दैत जाहिसँ पटरीपर राखल अपन समानसभकेँ ओ सभ हटा लिअए । एहि तरहें इसभ एकटा खानापुरी मात्र रहैत छल । पकड़ल ओएह जाइत छल जकरा हिसाब-किताब नहि भए पबैक वा नहि भेल रहैक । एक हिसाबे ई सभ कानूनक मजाके बनाएब भेल । ताहिपरसँ दिल्ली नगर निगम कानून बहुत पुरान अछि आ ओहिमे  विभिन्न प्रकारक अपराधक हेतु जुर्मानाक दर आजुक हिसाबे बहुत कम अछि । कहि नहि एहि बातपर सरकारक ध्यान किएक नहि जाइत अछि?

अमर अंतिम पोस्टींग दक्षिणी नगर निगमक लाजपतनगर कोर्टमे छल । एहिठामक किछु कर्मचारी शुरुमे बहुत उपद्रव करबाक प्रयास केलाह । हम हुनका सभकेँ वारंबार कहिअनि जे अहाँसभ चाही तँ कतहु आनठाम अपन पोस्टींग करबा लिअ । हमरा संगे काज करब तँ शत-प्रतिशत शुद्ध काज करहि पड़त आओर कोनो उपाय नहि । एहि उठापटकमे किछु दिनक बाद श्री किशन नामक कर्मचारीक पोस्टींग भेल । पुरना कर्मचारीसभ हुनका आबएसँ रोकबाक हेतु जान लगा देलक । मुदा हमहु अड़ि गेलहुँ । अंततोगत्वा ओ हमरासंगे काज करए लगलाह । ओ बहुत सही आदमी साबित भेलाह । ओ इंजिनियर छथि मुदा छोटे पदपर नगर निगममे सरकारी नौकरी भेटि जेबाक कारण काज करैत छथि । निश्चय ओ एकटा अलग प्रकृतिक लोक छथि । ओहिठाम उपलव्ध कर्मचारीसभमे बेछप छथि । हम जाबे ओहिठाम काज केलहु ओ बहुत मदति केलाह । अपन काज बहुत निष्ठासँ करैत रहलाह । हमरा चलि अएलाक बाद पता लागल जे हुनकासँ सभटा काज लए लेल गेलनि आ बदलीक हेतु सेहो लिख देल गेलनि । हमरा हिसाबे ई बहुत गलत काज छल । एहन निष्ठावान कर्मचारी नगर निगममे तकलासँ भेटब मोसकिल अछि । मुदा की कएल जा सकैत अछि? कहबी छैक जे ई कलियुग छैक । नीक लोककेँ बहुत मोसकिल छै ।

स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक काज करैत तीन साल चारिमासक अवधिक एकटा महत्वपूर्ण उपलव्धि मजिष्ट्रेट लोकनिक समय-समयपर होबए बला आपसी बैसार छल । एकर आयोजन हम आ श्रीसपराजी मिलिकए करैत छलहुँ । आयोजनमे होबएबला खर्चाकेँ सभ आपसमे बाँटि लैत छलहुँ । सामान्यतः दू सए टाकामे काज चलि जाइत छल । पचीसक लगपासमे मजिष्ट्रेट उपस्थित होइत छलाह । एहि बैसारमे सेवानिवृत मजिष्ट्रेटसभ सेहो भाग लैत छलाह । आयोजन स्थल बेसी बेर कनाट प्लेसक काफी हाउस,वा अन्य कोनो एहने स्थान रहैत छल । दिल्लीक कोन-कोनसभसँ हमर सहकर्मीसभ एहिमे उल्लासपूर्वक भागे नहि लैत छलाह,अपितु आग्रह करथि जे एहन आयोजन बेरि-बेरि कएल जाए । एहि आयोजनमे चाह-पान,जलखैक संगे भेंट-घाँटक एकटा नीक अवसर रहैत छल । एही क्रममे सेवानिवृत भेनिहार मजिष्ट्रेटक विदाइ सेहो कएल जाइत छल । एहि कार्यक्रममे गजबक आनंद रहैत छल । एतेक कम खर्चामे एहन नीकसँ काज चलि जाइत छल ताहिमे श्री सपराजीक बहुत योगदान रहैत छल । कै बेर एहिमे गीत-नाद सेहो होइत छल । कुल मिला कए आपसी विचार विमर्शक ई एकटा सफल माध्यम बनि गेल छल ।

स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक काज अधिकतम ६५ सालक बएस धरि चलि सकैत अछि । हमर कैटा सहकर्मीसभ पैसठि साल पूरा होबाए काल परेसान भए जाइत छलाह जे एहन नीक काज छुटि जाएत । छुटि जाएब तँ एहि दुनियाँक एकटा अनिवार्य अंग अछि । जे चीज शुरु भेल अछि से खतम भए जाएत । सएह हाल एहि नौकरीक सेहो अछि । ई असालतन चलएबला तँ नहि भए सकैत अछि । मानि लिअ जे सेवा निवृतिक आयु बढ़िओ जइतैक तँ कतेक बढ़ितैक? कखनो ने कखनो तँ एकरा खतम हेबेक छैक । ओना कै बेर सभगोटे मिलि कए उच्च न्यायलयकेँ दर्खास्त देलथि जे सेवा निवृतक आयु बढ़ाओल जाए ,मुदा से उच्च न्यायलयमे स्वीकृत नहि भेल । सेवानिवृतिक बाद भेटल ई नौकरी निश्चय सम्मानजनक ओ सुविधापूर्ण छल मुदा केहनो नीक सँ नीक कथाक कतहु तँ अंत हेबे करत, से एहू कथाक संगे भेल । १जनवरी २०१९क ६५ वर्खक आयु भेलापर हम एहि नौकरीसँ सेवानवृत भेलहुँ। ओना हमरा एहिसँ किछु परेसानी नहि भेल । हम मानसिक रूपसँ एहि हेतु बहुत पहिनेसँ तैयार छलहुँ ।

सेवा निवृतिसँ एकदिन पहिने जलबोर्डक वर्तमान स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेट श्री सी.बी.शर्माजी आ  हुनकर सहकर्मीसभ हमर विदाई समारोहक आयोजन केलथि । दोसर दिन शर्माजी लाजपतनगरक स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेट श्री मानसिंहजीक संगे हमरा नोत सेहो देने रहथि । थोड़े दिनक बाद दिल्लीक सिभिल लाइन्स स्थित पुलिस अधिकारीक क्लवमे दिल्लीक तमाम स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटसभ मिलि कए सेवा निवृत भेनिहार पाँचटा स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक विदाइ समारोह आयोजित केलाह । एहि कार्यक्रममे करीब पचास गोटे उपस्थित रहथि । श्री हरिदर्शनजी स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेट एहि आयोजनमे मुख्यकर्था-धर्ता रहथि ।

सेवा निवृतिक बाद भेटल स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक नौकरी बहुत मजेदार छल । एहिमे बेसी बंधन नहि छल । काज थोड़बे काल होइत छल । मोसकिलसँ तीन घंटा । आवागमनक समय सेहो आगा-पाछा कएल जा सकैत छल । ऊपरसँ इज्जति पूरा छल । कोर्टमे अएनिहार मोअक्किल तँ ओहिना शर्द रहैत अछि । सामान्यतः जे जुर्माना लगाओल जाइत छल से बिना कोनो बेसी उठापटक केँ मोअक्किल दए दैत छल । सभसँ बेसी दिक्कति  स्टाफ लए कए होइत छल मुदा जेना तेना ओकर जोगार कएल जाइत छल । यद्यपि ई कोर्टसभ जीला न्यायाधीशक मार्फत उच्च न्यायालयक पर्यवेक्षणाधीन होइत अछि मुदा असलियतमे एकरसभक किओ माए-बाप नहि अछि । जँ कोनो बात लेल ककरो सिकाइत करब वा चिठ्ठी पतरी करब तँ समस्याक समाधान तँ नहिए होएत,आओर कै तरहक परेसानीमे लोक पड़ि सकैत छल । से सभ जँ बँचा कए चलि सकी तँ कुल मिलाकए सेवानिवृतिक बाद भेटएबला नौकरीसभमे ई एकटा बहुत बढ़िआँ विकल्प छल ।

कुल मिला कए स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिष्ट्रेटक तीनसाल चारिमासक अनुभव एकटा बहुत सुखद प्रसंग छल । एहि क्रममे कैटा बहुत नीक सहकर्मीसभसँ दोस्ती भेल जे आगुओक जीवनक हेतु एकटा संचित निधि जकाँ काज करत से विश्वास अछि । न्याय करब बहुत कठिन काज थिक । कहल जाइत अछि जे एकटा सही आदमीकेँ न्याय करबाक हेतु जँ ९९टा गलत आदमी संदेहक लाभ लैत छुटि जाइत अछि तँ से बढ़िआ मुदा एकटा निर्दोषकेँ गलतीमे सजा भेटब बहुत खराब । निर्दोष व्यक्तिक हित रक्षा सर्वोपरि हेबाक चाही से न्याय व्यवस्था हेतु एकटा जटिल समस्या अछि । संतुलित रुखि आ मध्यमार्ग अपनबैत जँ काज कएल जाए तँ सामान्यतः उचित न्याय संभव भए सकैत अछि । मुदा से एतबो आसान नहि अछि ।



रबीन्द्र नारायण मिश्र

mishrarn@gmail.com


शुक्रवार, 15 फ़रवरी 2019

मोहभंग



मोहभंग



अप्रैल १९८७मे हम इलाहाबाबद(आब प्रयागराज)सँ दिल्ली स्थानांतरित भए दिल्ली आबि गेल रही । दिल्लीमे हमर पोस्टींग पटेल भवनमे काबीना सचिबालएक अधीन जेआइसीमे भेल रहए । तेसर तल्लापर स्थित ओ कार्यालयमे गोपनीय काजसभ होइत छल । तेँ ओहिठाम सुरक्षाक बेसी तामझाम रहैत छल । ओकर किछु भाग तँ अपनो कर्मचारी सभसँ फराक राखल जाइत छल । ओहि कार्यालयमे एनिहार प्रत्येक बाहरी आदमीक बेस जाँच-पड़ताल होइत छल ,जेना ओकर नाओँ,पता आदि एकटा बहीमे लिखए जाइक आदि,आदि । एहिसभ कारणसँ सचिबालयक कर्मचारीसभ ओहि कार्यालयमे पोस्टींगसँ बँचबाक प्रयास करथि । मुदा हम कोना बचितहुँ । ओतेक बात बूझलो नहि रहए । आदेश भेटल आ ओही दिन जा कए पदभार ग्रहण कएल । अवर सचिव श्री ओमप्रकाश गुप्ताजी बहुत खुस भेल रहथि । ओ बहुत दिनसँ प्रयासमे छलाह जे ककरो पोस्टींग होइ,से भेल रहैक । हुनके अधीन प्रशासन -एकक अनुभागमे अनुभाग अधिकारीक रूपमे हमर पदस्थापना भेल।  
पहिने तँ हम प्रशासन एक अनुभागमे गेलहुँ ,मुदा किछुए दिनमे उठापटक भेल। ओहिठाम काज केनिहार अनुभाग अधिकारी श्री एल.एन .अंचल अपन व्योंत मे सफल भेलथि । हमरा ओतए जइतहि गुणा-भाग कए ओ हमर पोस्टींग अपना स्थानपर करबा देलथि आ ओ स्वयं गृह मंत्रालय पहुँच गेलाह । हमर जगह एहि तरहेँ मासे दिनक भीतर बदलि गेल । खैर इहो सही । जे भेल से भेल । हम ओतए पहुँचि ओहिठामक अधिकारी ब्रिगेडिअर पुरीसँ भेंट  केलिअनि । पुरी साहेब बहुत मजेदार व्यक्ति छलाह । ओ मूलतः गोरखा रेजिमेंटक रहथि । हुनका अंदरमे सेना,एअर फोर्स आ नेभीक कर्नल रैंकक अधिकारीसभ काज करैत छलाह । हमरा देखितहि ओ बैसबाक हेतु कहितथि । मुदा ओ फौजी अधिकारीसभ ओहिना ठाढ़े रहितथि कारण हुनकासभकेँ बैसबाक हुकुम हमरा लगैछ ओ जानि-बुझि कए नहि देथि । भए सकैए ब्रिगेडिहर साहेब एहूमे किछु बात रहल होनि । हमरासँ ओ तीनू अधिकारी बहुत अदबसँ पेश आबथि । पुरी साहेब बहुत नफीस आदमी छलाह । हमरासँ हुनका सबदिन नीक संवंध रहलनि । करीब दूसाल हम हुनका अंदरमे काज केलहुँ । कहिओ ओ हमरा संगे बेअदबी नहि केलाह । ओ  गोर-नार छः हाथक मजगूत कद-काठीक व्यक्ति छलाह । फौजक अनुशासन तँ जनित होएब । से हुनका मे छल । ओ चाहैत छलाह जे हुनकर अधीनस्त अधिकारी सभ फौजे जकाँ अनुशासित रहथि ,जे एहिठाम संभव नहि रहैक। एहि कारणसँ हुनका ओतए कै गोटेसंगे बेस मोसकिल भए जानि । एकबेर तँ ओ एकटा अधिकारीसँ तमसा कए कोर्ट मार्शल करबका गप्प करए लगलाह । बहुत मोसकिलसँ हुनका बुझाएल गेल जे ई सीभील विभाग छैक,सेना नहि छैक आ एहिठाम ई संभव नहि अछि । ओ अधिकारी एहि समाचारकेँ सुनि सन्न रहथि। कहुना कए जोगाड़ लगाए अपन बदली गृह मंत्रालय करबा लेलाह । एहि तरहेँ हुनकर जान बाँचल ।
जेआइसीक पोस्टींग हमरा लेल बहुत  रमनगर छल । ओहिठाम स्वर्गीय भागवत झा आज़ादक पुत्र श्री यशोवर्धन  झा आजाद सेहो कार्यरत छलाह। क्रमशः हुनकासँ परिचय बढ़ैत गेल । ओ कैटा काजमे बहुत मदति करथि। ओहि कार्यालयमे काज करितहि हम मधुबनीमे मकान बनेबाक हेतु गृह निर्माण ॠण हेतु आवेदन देलिऐक जे आजादजीक सहयोगसँ तुरंत मंजूर भए गेल । श्री ओम प्रकाश गुप्ता,अवर सचिवजी हमर मधुबनीमे घर बनेबाक प्रस्तावक समर्थक नहि रहथि । हुनकर विचार रहनि जे हमरा दिल्लिएमे फ्लैट लेबाक चाही। ताहि हेतु ओ यमुनापार अपन सोसाइटीमे एकटा फ्लैटक जोगारो करबाक हेतु तैयार रहथि । मुदा हम हुनकर बात नहि मानि अपन निर्णयपर अडिग रहि गेलहुँ । ओ कहथि जे बहुत मोन अछि तँ जमीन लए कए छोड़ि दिऔक। हम हुनका श्लोक सुनेलिअनि॒:

अपि स्वर्णमयी लङ्का न मे लक्ष्मण रोचते |

जननी जन्मभूमिश्च स्वर्गादपि गरीयसी ||



हमर मित्र ओ सहकर्मी श्री लाथर साहेब सेहो कहति जे एहीठाम फ्लैट लए लिअ आ जँ मधुबनीएमे  रहबाक होएत तँ बादमे एकरा बेचि कए कै गुणा पाई भेटत । आब सोचैत छी तँ लगैत अछि जे ओसभ सही रहथि । हमर शुभचिंतक तँ रहबे करथि । मुदा आब ताहि बातसभक घमर्थन केलासँ की फैदा होएत?

का बरखा जब कृषि सुखाने।

समय बीति पुनि का पछताने ।।

जे बात जखन हेबाक तखने होइत छैक ,सेहो एकटा कटु सत्य थिक । फेर जीवनमे सभक सोच,परिस्थिति आओर रुचि फराक-फराक होइत अछि । जे किछु,हम अपन निर्णय पर अड़ल रही जे मधुबनीमे पहिल घर बनाएब । ताहि पाछू हमर ई सोचब रहए जे गाम लगमे घरकेँ प्राथमिकता देबाक चाही । तकरबाद चाहे जतए-जतए घर बनाउ । जेआइसीमे ओहि समय गृह निर्माणक ॠण आसानीसँ भेटि गेल । मधुबनीमे हमर ससुर(स्वर्गीय गणेश झा) रहैत छलाह । हम हुनका आग्रह केलिअनि जे  घर बनबए जोगर कोनो जमीन जँ नजरि पर आबनि तँ हमरा सूचित करथि। जे बात छैक,ओ बहुत तत्परतासँ एहि काजक निर्वाह केलथि आ थोड़बे दिनक बाद हमरा पत्र लिखलनि जे हुनका एकटा उपयुक्त जमीनक जानकारी प्राप्त भेलनि अछि । हम मधुबनी जा कए ओहि जमीन केँ देखलिऐक । मधुबनी  स्टेडिअमक लगीचेमे प्लाट काटि कए बिका रहल छलैक । ओहि समयमे सौंसे इलाका खाली रहैक । कतहु किछु नहि।
सवा कट्ठा जमीन के दाम छलैक पचीस हजार । हमरा लगमे तँ एकहुटा टाका नहि छल । बैनाक रूपमे पाँच हजार टाका देबाक छलैक जे हम ससुरजीसँ पैंच लेलहुँ । तकर थोड़बे दिनक बाद हमरा गृह निर्माण ॠणक पहिल किस्त भेटल आ हम ससुरजीक पाँच हजार आपस कए देलिअनि संगहि जमीनक बाँकी दाम सेहो ओकर मालिककेँ दए देलिऐक । किछुए दिनमे ओहि जमीनक निवंधन भए गेल । निवंधन होइत तकर कागज सरकार लग जमा भेल से ताबे जमा रहल जा धरि सूद समेत सभटा मूर कर्ज सधा नहि देलहुँ । एहि प्रकृयामे  करीब-करीब पचीस साल लागल । एकटा फैदा ई भेल जे कागज सुरक्षित सरकारक ओहिठाम राखल रहल । हमरा तकरो चिंता नहि करए पड़ल । मुदा कै गोटे कहथि जे कै गोटाकेँ कागज एनामे हरा जाइत छैक आ बाद मे बहुत मोसकिलमे पड़ि जाइत छथि ।
जमीन कीनि तँ लेलहुँ मुदा ओ तँ खेत छलैक । सभसँ पहिने ओकरा भरेबाक छलैक । फेर विचार भेलैक जे पहिने नीचासँ मकान बनाएब शुरु कएल जाए आ जखन मकान ऊपर अएतैक तँ माटि भराएब सुगम रहत । सएह कएल गेल । एहि तरहें बहुत गहींरसँ मकानक नीव पड़ल । जतेक मकान जमीनक नीचामे धँसल अछि ताहिमे आसानीसँ एक तल्ल मकान बनि जाइत वा तहखानामे चलि जाइत । मुदा एहिसँ मकान तँ मजगूत भेवे कएल । मकानक काज शुरु करबासँ पहिने भूमिपूजन कएल गेल जाहि हेतु हमरा गामक प्रसिद्ध विद्वान स्वर्गीय परमानंद झा आएल रहथि । हमर सासुक हाथे ओहि मकानक नीव देबाक बिध पुरा कएल गेल । हमसभ सपत्नीक ओहिठाम रही । हमर ससुर सेहो उपस्थित रहथि
मकान बला जमीनमे तँ तखनो धरि खेती होइत छल । आस-पासक गामक किओ ओहिमे रब्बी छिटने रहैक। ओ बहुत घना करए लागल । कहुना कए ओकरा किछु टका दए मनाओल गेल । काज प्रारंभ भेल। नित्यप्रति किछु गोटे ओहि बनैत मकानकेँ देखबाक हेतु आबथि । देखबाक उत्सुकता ओहू द्वारे बेसी रहनि जे ओ स्थान एकदम बिरान छलैक । दूर- दूर धरि कतहु किछु नहि छल । कनीके फटकी मुर्दासभ फेकल रहैत छल । हमर मकानक जगहक सामनेमे सेहो कहिओ काल मुर्दा जड़ाओल जाइत छल । कनी हटि कए कोनपर पोखरीक भीरपर सेहो मुर्दा जड़ाओल जाइत छल । कहक माने जे लोककेँ लगैक जे एहन जगहपर मकान किएक बना रहल छथि ? कै गोटे गाहे-बगाहे पुछबो करथि । स्थान तँ ओ भयाबह रहबे करैक मुदा हमरा विश्वास रहए जे जखन हमर ससुरजीकेँ ई स्थान नीक लगलनि अछि तँ ई निश्चय किछु विशेष होएत । हुनकामे निर्णय लेबाक विलक्षण दैबीगुण रहनि जे हुनकर व्यक्तिगत ओ पारिवारिक जीवनमे सफलताक मूलमंत्र छल । ओना हमरो ओ जगह बहुत आकर्षित केलक । आई तीस सालक बाद जौँ ओहि मोहल्लामे जाएब तँ लागत जे मधुबनीक सभसँ नीक स्थानपर आबि गेल छी । जतए दिने- देखार मुर्दा फेकल रहैत छल ताहिठाम आब हनुमानजी आ भगवान शिवक दिव्य मंदिर बनि गेल अछि । सौंसे मोहल्ला लोकसँ गज-गज करैत अछि । लगीचेमे मधुबनीक सभसँ नीक पब्लिक इसकूल अछि आ कहि ने की-की बनि गेल अछि? दुपहरिआमे जखन इसकूलमे छुट्टी होइत अछि तँ ओहिठाम ठाढ़ होएब पराभव । तरह-तरहक सबारी सँ विद्यार्थी सभ हो-हल्ला करैत अपन-अपन घर आपस जाइत रहैत छथि । घरे बैसल मेलाक दृष्य देखाइत रहैत अछि ।
माङनिक योगदानक चर्चा केने बिना एहि मकानक खिस्सा पूरा नहि भए सकैत आछि । ओहि सुन्न स्थानमे बनैत मकानक रखबारी करबाक हेतु माङनि गामसँ आएल रहथि । हुनकर कै पुस्त हमरा ओहिठाम काज करैत रहल । हमर परिवारसँ ओसभ सबदिन जुड़ल छलाह। हम नेन्नेसँ हुनका देखि रहल छलिअनि । बादमे बूढ़ भेलापर ओ बाबाजी भए गेलाह आ जटा बढ़ा कए तीर्थसभ घुमैत रहैत छलाह । ओहिमे जँ किछु आमदनी भए गेल तँ गाओँ जा कए अपन पत्नी(निकासीबाली)केँ दए दैत छलाह । फेर आपस तीर्थाटनमे लागि जाथि । दू बेर संगी महात्मासभक संगे वृंदावन जेबाक क्रममे ओ माएक समाद लए कए सरोजिनीनगर(दिल्ली)क हमर डेरापर आएल रहथि । सोचल जा सकैत अछि जे हुनका हमर परिवारक प्रति कतेक सिनेह रहनि । माङनिक बाबाजी हेबासँ पहिनेक बात छैक । मधुबनी मकानमे ओएह रखबार रहथि । एकटा नान्हिटा खोपड़ी बनाओल गेल रहैक जाहिमे दिन-राति ओ रहथि । ओतहि भानस-भात बनाबथि । ओहिबाटे अबैत जाइत लोकसभ  हुनकर दोस्त बनि गेल छल । कै गोटे हुनकासंगे चीलम पीबाक आनंद सेहो उठाबथि । जे रहैक मुदा ओहि मकानक निर्माणमे माङनिक जबरदस्त योगदान छल , नहि तँ ओहि सुन्नस्थानमे ई काज आगा बढ़िए नहि सकैत छल ।
मकान मधुबनीमे बनैक आ हम अपने दिल्लीमे काज करी । एहि कारणसँ ओहिठाम काज करेबामे बहुत परेसानी होइत छलैक । जखन-जखन छुट्टी भेल तँ काजकेँ  आगा कएल जाए । कै बेर तँ हमर अनुपस्थिति मे हमर सासुरक लोकसभ काज करबैत छलाह । हम जहिआ कहिओ मधुबनी जाइ,मकानक काज लगले रहैत छल। एकबेर हमर एकटा मित्र  विनोदमे कहलाह

हमसभ एकबेर मकान बनओलहुँ आ जिनगी भरि रहि रहल छी आ अहाँकेँ जखन देखैत छी एहि मकानमे काजे करबैत रहैत छी ।"

एहि मकानक निर्माणसँ लए कए अंतधरि हमर मित्र श्रीनारायणजीक सेहो बहुत योगदान अछि । काज करबाक हेतु मिस्त्री,पेंटरसँ लए कए सामानसभ कीनबामे ओ सदति  मदति करैत रहलाह । टाका आ समय दुनूक अभाव रहबाक कारणसँ कै किस्तमे काज भेल । मकानक लागत ततेक बढ़ि गेल जे सरकारक ॠणक अतिरिक्त एचडीएफसीसँ सेहो ॠण लेबए पड़ल । ॠणसभक भूगतानक मासिक किस्त बहुत भए गेलैक । खर्चाक पुर्वानुमान फेल भए गेल। एहि कारणसँ बहुत कष्टक स्थिति भए गेल । मकानमे खिड़की,केबार लागि गेल रहैक । मुदा ग्रिल नहि लागल रहैक। देबालपर सीमेंट नहि लागल रहैक । तखने ओकरा बिहार सरकारक माप- तौल विभागकेँ किरायापर देबए पड़ल। मकान किराया तँ लागि गेल मुदा किराया देबे नहि करैक । सालक-साल बिना किराया देने ओ सभ रहैत रहलाह। किराया भूगतानक हेतु किराया निर्धारण एसडीओ मधुबनी द्वारा होएब जरूरी छल । ओ किराया निर्धारण केँ सालों लटकेने रहलाह । हम एहि विषयमे श्री किशोर कुणालजीकेँ कहलिअनि । हुनकर हस्तक्षेपसँ किराया निर्धारण भेल मुदा किराया अपेक्षाकृत कम तय कए देलक । १५०० रुपया मासिक किराया देबाक गप्प ओ सभ गछने रहथि मुदा ओकर किराया निर्धारण ९७० रुपया मात्र कए देल गेल। संभवतः एसडीओ मधुबनी कुणालजीक हस्तक्षेपसँ तमसा गेलाह । किराया निर्धारणक बादो बहुत दिन धरि किरायाक भूगतान नहि भेल । तखन तंग भए हम ओकरा खाली करबाक हेतु लिखए लगलिऐक । बँकिऔता किरायाक भूगतानक हेतु सेहो वारंबार लिखैत रहलिऐक ।
लगभग साढ़ेतीन साल हमर मधुबनीक मकान माप- तौल विभागकेँ किरायापर रहल । ओहि बीचमे बहुत कोशिश केलहुँ जे किराया दिअए मुदा ओ सभ  टस सँ मस नहि होइत छल । बुझा गेल जे सोझ आङुरे घी नहि निकलए बला अछि । एमहर मकानक ॠणक किस्त कटए आ किराया भेटबे नहि करए । एहिबातसँ बहुत परेसानी भए गेल रहए । तखन की कएल जाए ? गृह मंत्रालयमे काज करैत बसाक साहेब आइएएस (अपर सचिव रहथि)सँ संपर्क भेल। ओ बादमे बिहार सरकारमे मुख्य सचिव भेलाह । हुनका कैटा पत्र लिखलिअनि । ओ ओही पत्रपर आदेश देलखिन जे मास दिनक भीतरे मकानकेँ खाली कए देल जाए आ बाँकी किराया सेहो दए देल जाए । तथापि मकान खाली नहि होअए,ने किराया भेटए । मधुबनीमे कलक्टर रहल छलाह बुर्जिआ साहेब । ओ बदली भए कए गृह मंत्रालयमे  उप-सचिवक पद पर आएल रहथि । एक बेर रविदिन कए हुनकासँ किछु काजेक प्रसंगे भेंट भेल । ओ हमरा चिन्हए लागल रहथि । हुनका हम अपन मकानक समस्या कहलिऐन । जे बात छैक, ओ तुरंत मधुबनीक कलक्टरक नामे चिठ्ठी देलथि आ हुनका फोनो केलखिन। ऊपरसँ मुख्य सचिवक आदेश रहबे करैक । एतेक प्रयासक बाद माप-तौल विभागबला सभ दोसर मकान ताकए लगलाह । मुदा हुनकासभकेँ किओ मकान किरायापर देबे नहि करए । बात जस के तस रहि गेल । हम फेर मधुबनीक कलक्टरसँ भेंट केलिअनि । ओ कहलाह जे हम तँ हुनकासभकेँ वैकल्पिक मकानो दिआ देलिअनि तखन की दिक्कति छैक? भेलैक जे वैकल्पिक मकान सरकारी विभागक छलैक आ ओहोसभ माप-तौल विभागकेँ कोनो बहाना बना कए मना कए देलकैक । ई बात माप-तौल निरीक्षक कलक्टर साहेबकेँ कहलखिन । मुदा कलक्टरसाहेब अड़ि गेलाह । ओ माप-तौलक स्थानीय निरीक्षककेँ हुकुम देलाह जे चौबीस घंटामे  हमर मकान खाली हेबाक चाही । सएह भेल । दू दिनक भीतरे हमर मकान खाली कए माप-तौल विभाग भच्छी गाओँमे चलि गेल । जाइत-जाइत निरीक्षकजी आग्रह केलाह जे हुनकर लगाओल गाछसभक रक्षा कएल जाएत । ओ भगवानकेँ धूप -आरती केलाह आ हमरा मकानक कुंजी सुंझा देलाह । मास दिनक अंदरे हमरा दिल्ली स्थित सरकारी आवासक पतासँ बाँकी किरायाक बैंक ड्राफ्ट सेहो भेटि गेल । एहि तरहें हम बड़का संकटसँ मुक्त भेलहुँ । नहि तँ किछुदिनसँ सप्ताहांत अवकाश होइते मधुबनीक मकानक चिंता होबए लागैत छल आ समाधान इएह होइत जे सोमदिन कार्यालय अबिते ककरो-ने-ककरो फेर एकटा चिठ्ठि लिखतहुँ । एहि काजमे हमर आप्त सचिव श्री प्रकाश चंद्र पाण्डेयजी बहुत मदति करैत रहलाह । तुरंत खूब बढ़िआ चिठ्ठी टंकित कए लए आनथि। ताहिसँ तात्कालिक मानसिक शांति भए जाइत छल । आओर जे होइ,नहि होइ ।
मकान खाली तँ भए गेल मुदा तकरबाद करीब अढ़ाए साल धरि खालिए रहि गेल, कारण मकानमे बहुतरास काज बाँकी रहैक । तथापि मोन चैन लगैत छल । फेर किरायेदार सँ बहुत मोसकिलसँ जान छुटल छल। मकानक कुंजीसभ हम अपन मित्र लालबच्चा(फ्रोफेसर विष्णुकान्त मिश्र)केँ दए दिल्ली आपस भए गेल रही । तकरबाद कै साल धरि ओ मकान बंद पड़ल रहल । एकदिन हमरा भैया(श्री शशिभूषण मिश्र)फोन केलनि- अहाँक मकानमे पाछु दिसक छिटकनी खुजल बुझाएल ।’’
 ई समाचार सुनि बहुत चिंता भेल । तकर बादो तुरंत मधुबनी जेबाक परिस्थिति नहि नहि रहैक । करीब छ मासक बाद जखन हम ओतए गेलहुँ तँ सौंसे मकानमे विद्यार्थीसभ भरल छल । ओ सभ कोनो परीक्षा देबाक हेतु राजस्थानसँ आएल चलाह आ किओ हुनकासभकेँ टाका लए मकानमे राखि देने रहनि । मकानक एक भागमे पड़ोसमे बनि रहल मकानक समानसभ राखल छल । बाहरसँ ताला ओहिना लटकि रहल छल । कोनो बाहरी व्यक्तिकेँ पता नहि चलि सकैत छलैक जे मकानमे  एतेक धमाचौकरी भए रहल अछि ।  हालत देखि कए गुम्म पड़ि गेलहुँ । विद्यार्थीसभकेँ  धमकलिऐक तँ ओ सभ ओहीदिन साँझ धरि झोड़ा-झपटा उठओलक आ चलि गेल । आब रहि गेल पड़ोसमे बनैत मकानक समानसभ । हम संवंधित व्यक्तिसँ भेंट करए चाहलहुँ मुदा हुनका बदलामे हुनकर ससुर अएलाह। ओ ओकालत कए रहल छलाह। हम हुनका कहलिअनि जे जँ किओ अहाँक मकानमे एना बिना कोनो जानकारीकेँ रहए लागत तँ केहन लागत? कहला -"बात तँ अहाँ वाजिब कए रहल छी । मुदा जखन समानसभ राखल छैक तँ ओकरा खाली करबामे किछु समय तँ लगतैक ।"

"कतेक समय चाही?"-हम पुछलिअनि ।

"दू दिन ।"

"एवमस्तु।"

ओ आदमी जबानक पक्का निकललाह आ दूदिनक भीतरमे सभटा चीजवस्तु निकालि लेलथि । एकबेर फेर मकान खाली तँ भए गेल मुदा ओकर भविष्य लए कए बहुत चिंता होबए लागल ।
किछु दिनक बाद टाकाक जोगार कए मकानमे छूटल जरूरी काजसभ करओलहुँ,जेना खिड़कीसभमे ग्रील लागल,अंदरक देबालसभमे सीमेंट लागल । नीचा सेहो सिमटी लागल । कहक माने जे मकान आब कोनो व्यक्तिकेँ रहए जोगर भए गेल छल । मुदा बिजली तँ अखनो नहि लागल छल । बिजली आफिस गेलहुँ । ओहिठाम एकटा झाजी ओभरसियर रहथि । हम अपन परिचय देलिअनि । गप्प-सप्पमे हमर साढ़ूक सेहो चर्च भेल । ओ बिजली विभागमे  अभियंता रहथि । ओभरसियार साहेब हुनकर बहुत प्रशंसा करए लगलाह । कहथि जे ओ तँ देवता छथि । हम हुनका अंदरमे काज केने छी । हमर एहिबातसँ बहुत  प्रशन्न रही जे  चलू एकटा परिचित व्यक्ति भेटि गेलाह आ बिजलीक काज आसानीसँ भए जाएत । फेर ओ कहलाह जे बिजली आफिस चलि जाउ आ जरूरी फीस जमा कए दिऔ । दू सँ तीन दिनमे काज भए जाएत । तुरंत बिजली आफिस जा  फीस जमा कए देलिऐक । ओतहि एकटा लाइनमेन गोलिआबए लागल । हम ओभरसियर साहेब दए कहलिऐक तँ ओ कहैत अछि-"हुनका चक्करमे रहब तँ घुमिते रहि जाएब । " बात ओ सही कहलक । हम हुनका तकैत रहि गेलहुँ । हमर छुट्टी खतम होबएपर छल । मुदा हुनकर कोनो अता-पता नहि छल । किओ कहलक जे ओ कोनो संवंधीक इलाज करेबाक हेतु दरभंगा गेल छथि , कहिआ अओताह से कोनो ठेकान नहि । हारिकए ओही लाइनमैनकेँ पकड़लहुँ । ओएह जेना-तेना काज केलक । ई सभ होइत-होइत हमर छुट्टी समाप्त भए गेल छल। हम आपस दिल्ली चलि अएलहुँ । मकानमे ताला मारि देलिऐक । हम अपन मित्र श्रीनारायणजीकेँ भार देलिअनि जे मकानक हेतु कोनो नीक किरायेदारक ध्यान करथि । से ओ केलाह । थोड़े दिनक बाद हमर ज्येष्ठपुत्र भास्कर मात्रिक(पण्डौल डीह टोल) गेलथि । हुनके सामनेमे श्रीनारायणजीक सहयोगसँ मकान किराया लागि गेल । किरायेदार छलाह -मधुबनीसँ लगे डुमरी गामक श्री नंदलाल मिश्रजी । ओ ओहि समयमे मधुबनीमे सरकारी विभागमे  कार्यरत रहथि ।
श्री नंदलाल मिश्रजी किरायेदार कम समांग बेसी रहथि । ओहि मकानक लगपासमे बिरान छलैक । रहि-रहिकए कतहु ने कतहु चोरीक घटना होइत रहैत छलैक । तथापि ओ अड़ल रहलाह । क्रमशः ओहिठाम आओर मकानसभ बनैत रहल । जतए मुर्दा रहैत छल ताहिठाम हनुमानजीकभव्य मंदिर बनि गेल । श्री नंदलाल मिश्रजीक कै बेर बदली होइत रहलनि । मुदा ओ हमर किरायेदार बनल रहलाह । हुनका मकान नीक लागनि आ हमरासभकेँ ओ विश्वस्त लोक लागथि । अपने रही नहि तखन तँ एहन लोकक मकानमे रहब एक हिसाबे बड़ पैघ मदतिए छल । ऊपरसँ किरायो ओ दैते छलाहे । कै बेर किराया बकिऔता भए जाइक । मुदा ओ पाइ-पाइक जोड़ि कए किराया दए देथि । एहि मामलामे ओ बहुत स्वच्छ छलाह । किरयाक अलावा बिजलीक बिलक भूगतान सेहो हुनके करबाक रहनि । ओ कोनो-ने-कोनो दिक्कतिसँ से नहि कए पाबथि । प्रायः बिल अएबे नहि करैक । बादमे तकर कारणसँ हुनका नाहकमे बेसी बिल देबए पड़लनि ।
श्री नंदलाल मिश्रजी हमर मकानमे तेरह वर्ख किरायदार रहलाह । सेवासँ निवृत भए गेलाह । तकरबादो किछु दिन ओ रहलाह । एहि बीचमे ओ अपन गाओँमे बेस भव्य मकान बनओलथि आ हमरा अनुपस्थितिएमे हमर सहमतिसँ ओ मकान खाली कए चलि गेलाह । हम श्रीनारायणजीकेँ मकानमे ताला लगाबक भार देने रहिअनि जे ओ बहुत तत्परतासँ निर्वाह केलाह । आठटा ताला ओहि मकानमे विभिन्न कोठरीमे लगाओल गेल। मकान खाली छल तेँ ओहो सावधानी पूर्वक से काज केलाह ।  सालभरि मकान खालिए रहि गेल ।  ओहि बीच किओ सभटा ताला तोड़ि देलक । मकानमे तँ किछु रहैक नहि ,मात्र एकटा बक्सामे सीड़क आ एकाधटा ओछाओन रहैक,से लेने चलि गेल । बक्सा ठामहि छोड़ि देलक । जखन हम ओतए गेलहुँ तँ बाहरसँ सभकिछु ठीके बुझाए । गेटपर हाथ दैते ओ खुजए लागल । केबारसभपर हाथ दैते केबारसभ खुजए लागल । केबारसभक दशा तँ देखएबला छल । ककरो कुंडी टुटल छल तँ ककरो किछु । पूरा मकान कहि नहि कतेको दिनसँ एहिना खाली आ खुजल छल ।
मकानक हालत देखि कए माथपर हाथ धए बैसि गेलहुँ । इएह थिक हमर जननी जन्म भूमिश्च स्वर्गादपि गरियसी? मोने-मोन अपने पर हँसी लगैत छल। भला एहिमे अनकर की दोख? मकानक रक्षाक दायित्व हमर छल । खैर! जे भेल ,से भेल । आब आगा बढ़ल जाए ,से सोचि मकानक रंग-रोशनक काज शुरु कएल । । रातिक चौकीदारी करबाक हेतु आलम आ ओकर एकटा सहकर्मीकेँ रखलहुँ । प्रसंगवश आलमक नाओँ अबितहि एकटा एहन मेहनतकश ओ इमान्दार व्यक्तिक छवि मोनमे चमकि जाइत अछि जकरापर शत-प्रतिशत विश्वास कएल जा सकैत छल ,जे एकबेर काज शुरु केलक तँ बिना कोनो विश्रामकेँ दिनभरि लागल रहैत छल। एहन संस्कारी ओ कर्मठ कार्यकर्ता डिबिआ लए कए ताकब तैओ साइते भेटए । मकानमे कोन रंग कतए पड़ए आ कोन-कोन कंपनीक रंगक समान लागए सेहो हमर संगी श्रीनारायणजी मार्गदर्शन करथि । हालेमे ओ अपनो मकानक रंग-रोशन केने छलाह । ओएह रंगसभ मोटा-मोटी हम अपनो मकानक हेतु चुनलहुँ । 
मकान रंगा-ढंगा कए तैयार छल । आब की होएत? रहबाक तँ छलहे नहि तखन तँ किरायेदार चाही । संयोगसँ एकटा किरायदेार भेटि गेलाह । किराया कहब तँ हँसी लागि जाएत । जतेक रंग-रोशनमे खर्च भेल से तीनो सालक किरायामे आपस नहि हेबाक छल । मुदा मकान खाली रखबाक फल तँ देखिए लेने रही ,तैँ किरायापर दए देलिऐक । दूसाल बाद ओ सेवानिवृत भए अपन गाम चलि गेलाह आ मकान एकबेर फेर खाली भए गेल । एकसाल धरि मकान खालिए रहल । आब हमरा सेवा निवृत हेबाक समय लगीच छल तैँ सोचलहुँ जे अखन किरायापर नहि दिऐक । 
हम सेवा निवृत भेलहुँ । रहब कतए? मधुबनी की दिल्ली? परिवारमे सभक निर्णय दिल्लीक पक्षमे भेल। तथापि हम मधुबनीक मकानमे बाँचल लकड़ीक काज सभ करओलहुँ । पानिक टंकी  बैसेलहुँ । दोबारा पोताइ करओलहुँ । मोनमे ई रहए जे अबैत -जाइत रहब । मधुबनीसँ दिल्ली आपस हेबाक अंतिम दिन एकटा किरायेदार भेटि गेलाह । सभकेँ ओ पसिंद भेलखिन । बूढ़ रहथि । मधुबनीमे सरकारी काज करैत रहथि । आखिर फेर मकान किरायापर लागि गेल । हम निश्चिंत भए दिल्ली आबि गेलहुँ ।
ओहीबीच हमर माएक जाँघक हड्डी टुटि गेलासँ हुनकर मोन खराप रहए लगलनि । कै बेर गाम,दरभंगा आबा जाही होइत रहल । मकान किरायापर रहैक । किराया समयपर पठा देल करथि । दू सालक बाद ओ सेवानिवृत भए गेलाह । तकरबादो ओ मधुबनीमे रहए चाहैत छलाह । हमरा आब मकान बेसीदिन किरायापर राखब ठीक नहि बुझाइत छल । हुनका कै बेर कहलिअनि जे मकान खाली करथि । अगस्त २०१६मे ओ मकान खाली कए बगलेक एकटा दोसर मकानमे किरायापर चलि गेलाह । हमरा फोन केलाह । हम कहलिअनि जे कुंजी अपने लग रखने रहू । मकान खाली भए गेल,से हम मानि आगूक किराया नहि लेब । फेर थोड़े दिनक बाद हम मधुबनी गेलहुँ । मकानक कुंजी हुनकासँ लेलहुँ । मकानकेँ साफ करओलहुँ । एहीक्रममे हम श्रीनारायणजी लग चर्च केलिऐक जे हम एहि मकानकेँ बेचि देबए चाहैत छी कारण कतेक दिनधरि किरायेदारसभसँ निपटैत रहब । अपनेसभ जखन दिल्लिएमे रहब तखन एकर रख- रखाव क्रमशः बेसी मोसकिल होइत जाए। संयोग एहन भेलैक जे ई बात केना-ने-केना लगपासमे  रहनिहार लोकसभकेँ पता लगलैक ।
हम एहिबेर मधुबनी मकान बेचबाक उद्यश्यसँ नहि गेल रही । किरायेदार मकान खाली कए देने रहथि। मकानक कुंजी हुनकासँ लेबाक रहए  आ भए सकैत तँ किराया लगा दितिऐक । गाममे माए दुखित छलीह । हुनकोसँ भेंट करबाक छलहे । तैं मधुबनी पहुँचलहुँ । दिनमे गाम जाइ आ रातिमे अपन मधुबनी डेरापर आबि जाइ । ओहिदिन भोरे हम तैयार भए गाम जेबाक क्रममे रही कि ओही मोहल्लामे रहनिहार एकटा युवक एकटा अधबयसूक संगे अएलाह-

"मकान बेचबाक सोचि रहल छी की?''-ओ पुछैत छथि।

"जँ नीक ग्राहक भेटत तँ सोचि सकैत छी ।"

"हमसभ साँझमे गप्प करए आएब । ताबे बाबू गामसँ आबि जेताह ।"

"ठीक छैक।"

एतेक गप्प कए ओ चल गेलाह । हमहु गाम चलि गेलहुँ । साँझमे गामसँ आपस अएलहुँ । अन्हार भए गेल रहैक । हम विश्राम करबाक हेतु बैसले रही कि चार-पाँच गोटेके लेने ओ युवक फेर अएलाह । गामघरक घटकैतीबला दृष्य रहैक । कतेक दाम लेबैक । एतेक दाम तँ बेसी भए जेतैक । तरह-तरहक गप्प होइत रहल। फेर ओ योवक बजैत छथि -

"काल्हि आगाक गप्प करब।"

 गप्प-सप्पक क्रममे श्री नंदलाल मिश्रजीक चर्च भए गेल रहैक । ओ भोरे-भोर हुनका गामसँ पकड़ने अएलाह । ई हुनकर प्रभाव कहू वा संयोग कहू तकर दू घंटाक अंदरे मकान बिका गेल । तुरंत किछु बैना सेहो देलथि । एहिठाम ई कहब जे जे भेलैक से अप्रत्याशिते भेलैक । ओना हमरा मोनमे कतहु-ने-कतहु ई बात रहए मुदा एना तुरंत भए जेतेक से नहि सोचने रहिऐक । हम तँ मकानक मूल दस्ताबेजो नहि लए गेल रही । संयोगसँ ओकरसभक फोटोकाँपी रखने रही । ओहीसँ काज चलि गेल । मकान कीननाहर लोकनिक महानता कहबाक चाही जे ओ हमरापर एतेक विश्वास केलाह । तीन दिनक भीतरे बेचबाक सभटा प्रकृया पूर्ण भए गेल ।  सभ किछु ततेक जल्दी भए गेलैक जे श्रीनारायणजीकेँ एहि घटनाक किछु जानकारी नहि दए सकलिअनि ।
कहि नहि सकैत छी जे मधुबनीक मकानक हेतु हम स्वयं आ हमर समस्त परिवार कतेक कष्ट काटलनि। मकानक ॠण बहुत भए गेल  रहैक । मकानक लागत बजटसँ बहुत बेसी भागि गेल । फेर  सभटा खर्चा तँ दरमहे पर बजरैत चल । मकानसँ किराया नाममात्रक अबैत छल ,ओहो समयपर नहि । असलमे दिल्लीमे रहैत मधुबनीमे मकान बनाएब एकटा दुरूह काज छल । आर्थिक भार तँ हम असगरे सहलहुँ मुदा शारीरिक,मानसिक भार तँ के-के ने सहलथि, तकर की कहू? ककर- ककर नाओँ लिअ । मुदा हमर सासुरक सभगोटे तँ करिते रहलाह । श्रीनारायणजी सालक साल एहि काजमे हमरा मदति करैत रहलाह । हमरा कै बेर मोनमे होअए जे जँ हम ई मकान बेचैत छी तँ एहिपर पहिल हक हुनके छनि । हम हुनका कहबो केलिअने जे ओ मकान लए लेथि। मुदा हुनका तकर प्रयोजन नहि रहनि । मधुबनीमे उच्चकोटिक मकान ओ बनओने छथि । कतेक की करताह ? मधुबनीक मकान हमर संघर्ष ओ मनोरथक एकटा प्रतीक बनि गेल छल । करीब२८ बर्ख हम ओहि मकानक निर्माणसँ जुड़ल रहलहुँ । आब तँ जे हेबाक छल से भइए गेल मुदा जाइत-जाइत ओ मकान अपन ॠण चुका गेल आ हमरा कै मानेमे निश्चिन्तो कए गेल ।
जीवनमे कतेको एहन घटनासभ भेल जे अपना-आपमे एकटा शिक्षा बनि गेल । मधुबनीमे मकान बनाएब सेहो सएह भेल । जीवनमे भावना आ यथार्थमे संतुलन जरूरी थिक । हमरा लगैत अछि जे मधुबनीमे मकान बनाएब एकटा भावात्मक निर्णय छल जे यथार्थक धरातलपर टिक नहि सकल । जँ आर्थिक दृष्टिए सोचबेक तैओ ओहि समयमे  दिल्लीमे ओतबे टाका लगा देलासँ मधुबनीक तुलानमे दोबर फैदा जरुर दैत । मुदा बात फेर ओतहि अटकि जाइत अछि  । कतबो छटपटाएब जतबे हेबाक आ जखने हेबाक तखने होएत । यद्यपि हम मधुबनीक मकानमे नाममात्रे रहि सकलहुँ मुदा हमरा एहिबातसँ बहुत आनंद होइत रहल  जे मधुबनीमे ,गामक लगमे ,हमर मकान अछि । मुदा ततबेटा ,ओहिसँ कोनो आओर सुख नहि भेल,अपितु झंझटे होइत रहल । आइ ई मरम्मति भए रहल अछि तँ काल्हि किछु आओर भए रहल अछि । ई प्रकृया सालों चलैत रहल। हालात एहन भेल जे गाम आ गाम लगक मधुबनीक घर दुनूसँ हमर मोह टुटि गेल ।  हमरा लगैत अछि जे अंततोगत्वा सही निर्णय भेल जाहिमे हमर श्रीमतीजीक बहुत योगदान अछि ।
सन्१९९०मे मकान बनलाक बाद लगभग एक्कैस साल ओ किराया पर रहल । पाँच साल अहिना खालिए रहल। छब्बीस सालमे मोसकिलसँ छब्बीसो दिन हम ओहिमे रहि सकलहुँ कि नहि । ताहि हेतु एतेक झंझट सालों हम झेलैत रहि गेलहुँ । शुरुएमे कैटा मित्र लोकनिक बात जौँ मानि लितहुँ तँ भए सकैत अछि जे साइत दोसरे परिणाम होइत मुदा भावी प्रवल होइछ,से बात मानहि पड़त । सभबातक अनुमान नहि लगाओल जा सकैत अछि । सभ किछु ओहिना नहि घटित भए सकैत अछि , जेना हम-अहाँ चाहैत छी । जे भेल, जेना भेल  मुदा कालचक्र तेना घुमल जे मधुबनीमे रहबाक हमर स्वप्न सभदिन हेतु भंग भए गेल ।  ठीके कहल गेल अछि-

"सुनहु भरत भावी प्रवल, विहुसि कहे मुनिनाथ ।

हानि-लाभ जीवन मरण यश अपयश विधि हाथ ।।