मैथिलीमे हमर प्रकाशित पोथी

मैथिलीमे हमर प्रकाशित पोथी

बुधवार, 22 फ़रवरी 2017

यूरोप यात्रा






भारत सरकारक प्रशिक्षण कार्यक्रमक अनुसार ३५ गोटेकेँ एक-संग युरोपक पाँच देश घुमबाक कार्यक्रम छल। सभगोटे सरकारक प्रथम श्रेणीक अधिकारी छलाह। सभक नेतृत्व एकटा महिला अधिकारीक हाथमे छल। सभ व्यक्तिमे विदेश देखबाक-घुमबाक आ रहबाक अवसरसँ मनमे असीम प्रसन्नता छल। सभगोटे अपन-अपन कागज-पत्तर सरिआबएमे लगलहुँ। पासपोर्ट सरकारी बनल। वीजा कार्यालयक तरफसँ बनि गेल। टीकट सरकार देलक। बस कपड़ा-लत्ता सरिआउ, किछु पाइ बेसी कए रखि सकी तँ राखि लिअ आ विदा होउ। ओना, किछु यूरो सरकारक तरफसँ जेब खर्चक हेतु सेहो देल गेल।

फ्रांसक राजधानी पेरिस लौटबा काल रस्‍तामे छल। सभकेँ इच्छा भेलैक जे ओकरो देखि सकी तँ  देखि ली। से प्रयासक बाद सम्‍भव भेलैक। आपसी यात्राक कार्यक्रममे दिन भरि पेरिस भ्रमण सामिल कएल गेल। पैंतीस आदमीक हुजुम एक्केठामसँ विदेश विदा छल। एकर आनन्द सोचल जाए सकैत अछि।

यूरोप भ्रमणक उपरोक्त कार्यक्रम असलमे प्रशिक्षणक अंग छल। अगस्त २००९ मे दू सप्‍ताहक हेतु कतेको दिनसँ तैयारी चलि रहल छल। विदेश यात्राक दौरान की करबाक नहि अछि, आ की करबाक अछि तकर सविस्‍तार चर्चा भेल। कोनो एहन काज नहि करबाक छलैक जाहिसँ देशक गरिमापर बट्टा लागए।

साँझक आठ बजैत-बजैत सभगोटे इन्दिरा गाँधी अन्तर्राष्ट्रीय हवाई अड्डापर पहुँचि गेल रही। सभहक जेबीमे अपन-अपन टीकट, पासपोर्ट आदि जरूरी कागजात छल। रातिक दू बजे करीब हवाई जहाजक उड़ान छल।

किछु गोटेकेँ मुम्बइसँ आगूक जहाज लेबाक रहनि तैँ ओ सभ फराक पहिनहि मुम्बइ चलि गेल रहथि। हम दिल्लीसँ सीधा फ्रैकफर्ट हवाई जहाजमे जाएबला समूहक संगे रही। दिल्ली हवाई अड्डापर सभ सहयात्री सभ जमा भए गेलहुँ। सुरक्षा जाँचक बाद हम सभ अन्दर आव्रजन खिड़कीपर ठप्‍पा लगेलहुँ। सभकेँ संगमे कोनो प्रतिबन्‍धित सामान नहि लए जेबाक चेतौनी पहिनहि दए देल गेल रहए। तैँ कोनो परेसानी नहि भेल। किछु कालमे बोर्डीग शुरू भए गेल आ हम सभ बेरा-बेरी सभ हवाई जहाजमे बैसि गेलहुँ।

हमरा लोकनिक प्रशिक्षण स्‍लोवेनियाँक लुबियाना स्‍थित आइ.सी.पी.ई. (Interational Centre for Public Enterprises) मे छल। एकर स्थापना २४ अप्रैल १९७४ ई.मे तत्‍कालीन यूगोस्‍लावीया सरकार द्वारा भेल। भारत, नेपाल, श्रीलंका सहित पन्द्रहटा आओर देशसभ एकर सदस्‍य छथि। एहि संस्थाक विकास यात्रामे भारतक बहुत योगदान अछि। वर्तमानमे आइ.सी.पी.ई. दुनिआ भरिक लोक हेतु विभिन्न प्रकारक विषय, खास कए आर्थिक विषयपर चर्चाक सघन माध्यम अछि। एहि संस्थाक स्थापनामे संयुक्‍त राष्ट्रसंघक संस्था नाम (Non Aligned Movement) क बहुत योगदान अछि। भारतक श्री सी सुव्रमन्यम एवम् श्री जी पार्थ सारथी बहुत दिन धरि एकर नायक, मार्ग दर्शक रहलाह। यूगोस्‍लावियाक विभाजनक बाद १९९२ ई.मे एहि संस्थाक देख-रेख स्‍लोवेनियाँ सरकारक अधीन आबि गेल। एहि संस्थाक प्रशासकीय प्रमुख महानिदेशक होइत छथि जे संस्थाक आमसभा द्वारा चारि वर्षक हेतु चुनल जाइत छथि। संम्‍प्रति डॉ. आनन्द एन अस्थाना ६ अप्रैल २०१५ सँ चारि सालक हेतु एहि संस्थाक महानिदेशक पदपर छथि।

दिल्लीसँ हवाई जहाज खुजल तँ  सोझे जर्मनीक फ्रैकफर्ट हवाई अड्डापर उतरल। सूर्योदय भए गेल छल। मुम्बइसँ आबएबला हमर संगी सभ सेहो ओतहि आबि कए हमरा लोकनिक प्रतीक्षा करैत छलाह। ओहिमे एक गोटेक सामानमे दारूक बोतल रहनि {जे ओ मुम्बइ हवाई अड्डापर कीनने रहथि}। फ्रैकफर्टमे ओ पकड़ल गेलाह आ हुनका बहुत परेसानी भेलनि। हुनका कहल गेल जे वा तँ  पीबि लिअ, वा ककरो दए दिऔक चाहे फेक दिऔक। संगे आगू नहि लए जा सकै छी। पता नहि, ओ तकर की समाधान केलनि।

 फ्रैकफर्ट दुनिआक पहिल हवाई अड्डा थिक। जर्मनीक ई वयस्तम हवाई अड्डा अछि। फ्रैकफर्टक टर्मीनल १A पर हमरा लोकनि स्‍लोवेनियाँक लुवियाना (Lajubljana) हेतु छोट सन हवाई जहाज पकड़लहुँ। घन्टा भरिमे ई यात्रा सम्पन्न भेल। रस्‍तामे सभ तरहक जलखै सेहो देल गेल।

यात्रासँ पूर्व हमरा सभहक एकटा संगी मार्गदर्शन करैत निम्नलिखित विषयपर ध्यान रखबाक परामर्श देलनि। (ओ कतेको बेर विदेश गेल रहथि आ विदेशमे दू साल काजो केने रहथि)

१. हाथक झोङामे एक सेट कपड़ा राखी जाहिसँ जँ चेकइन सामान देरीसँ पहुँचल तँ  काज आओत

२. चेकइन वैगपर अपन नाम, गन्तव्य स्थानक पता सहित फोन नम्बर लिखल जाए। ओहि बैगमे अपन परिचय पत्रक राखल जाए।

३. पासपोर्ट, हवाई जहाजक टिकट , विदेशी मुद्रा अपना संगे सुरक्षित स्थानपर राखल जाए।

४. उपरोक्त जरूरी कागजातक तीन प्रति वैगमे फराक-फराक स्थानपर राखल जाए।

५. नित्यप्रति प्रयोगक जरूरी दबाइ अपना संगे राखू।

६. होटल आदिमे अपन सामानपर ध्यान राखू, जाहिसँ ओ चोरि नहि भए जाए।

७. विदेशमे हमेशा दू वा अधिकक समहूमे रहू जाहिसँ जरूरी भेलापर मदति भए  सकए।

८. विदेशमे कीनल गेल सामानक रसीद संगे राखू, आव्रजन खिड़कीपर तकर काज पड़ि सकैत अछि।

९. अपना संगे छाता, हल्‍का ऊनी स्‍वेटर, आ कोट राखू।

उपरोक्त प्रशिक्षण ९ अगस्तसँ २३ अगस्त २००९क दौरान सम्‍पन्न हेबाक रहए। कार्यक्रम प्रारम्भसँ पूर्वहि हमरा लोकनिकेँ संस्थापनक महानिदेशकक तरफसँ इमेल भेटल जाहिमे संस्थानक बारेमे प्रारम्‍भिक जानकारीक अलाबा प्रशिक्षणक दैनिक कार्यक्रम छल। तहिक अनुसार माने कार्यक्रमक दौरान कोनो काजक हेतु श्री अश्विन श्रेष्ठ एवम् श्री उरोज जेबरसँ सम्‍पर्क करबाक छल।

९ अगस्त २००९ क लुवियाना हवाई अड्डापर हमरा लोकनिक स्‍वागत हेतुश्री श्रेष्ठजी (जे नेपाली मूलक छलाह आ स्‍लोविनियाँमे बसि गेल रहथि) आएल रहथि। दूटा नमगर-नमगर बसमे चढ़ि हमरा लोकनि संस्थानक हेतु विदा भेलहुँ। आधा घन्टामे हम सभ संस्थान पहुँचलहुँ जतए हमरा लोकनिक स्‍वागत डॉ. स्‍टेफन वोगडन सलेज, महानिदेशक केलाह। सभगोटेकेँ छात्रावासमे कोठरीक कुंजी देल गेल। प्रत्‍येक कोठरीमे दू गोटाक जगह छल। मात्र एक्केटा कोठरी छल जाहिमे एसगरे हमर एकटा संगी रहलाह।

कार्यक्रमक समन्‍वयक (महिला अधिकारी) केँ सेहो फराक कोठरी देल गेलनि। तकर पछाइत हमरा लोकनिकेँ चाइनीज भोजनालय- सांग हाइ, लुवियानामे दिनक भोजन कराओल गेल। छात्रावास साफ-सुथरा छल। कोठरी सभमे ए.सी. नहि रहए कारण ओहिठाम ओतेक गर्मी नहि पड़ैत अछि। सभ जरूरी समान ओहि कोठरीमे सुलभ छल।

संस्थानक भूतलपर रवीन्द्रनाथ टैगोर हॉलमे नित्य साढ़े सातसँ आठ बजेक बीचमे जलखै देल जाइत छल। जे ततेक जूश पीबए चाहथि से भेटनि। भारतीय शाकाहारी भोजन एकटा गुजराती ठेकेदार द्वारा देल जाइत छल। लगैत छल जेना अपने देशमे खा रहल छी। ओही हॉलमे रोजाना रात्रि भोजनक व्यबस्था सेहो रहैत छल आ दिनुका भोजना आन-आन ठाम। संस्थानक त्रुवार हॉलमे प्रशिक्षण भाषण होइत छल। समयसँ सभ प्रशिक्षणार्थी, ब्याखाता लोकनि उपस्‍थित भए  जाइत छलाह। चाह आ कौफीक हेतु दू बेर अवकाश होइत छल। चाह/कौफीक अलावा भरि पोख किसिम-किसिम केर बिस्‍कुटक व्यबस्था सेहो छल।

१० अगस्त २०१६क संस्थानक महानिदेशक द्वारा स्‍वागत भाषणक बाद ‍स्‍लोवेनियाँमे भारतीय राजदूत डॉ. भी.एस. शंषद्रि द्वारा भारत स्लोवेनियाँ सम्बन्धपर संक्षिप्त चर्चा कएल गेल। ओकर बाद स्‍लोवेनियाँक विदेश मंत्रालयमे महानिदेशक श्रीएन्‍ड्रेज वेन्‍डेज द्वारा स्‍लोवेनियाँ एवम् अर्थ संकट विषयपर भाषण भेल। भोजनोपरान्त प्रो. जोज ग्रिकर द्वारा Innovative Cross Border e-Region Development विषयपर भाषण भेल। 

रातिमे स्‍वागत आ रात्रि भोजनक कार्यक्रमक बाद सभगोटे विश्राम केलहुँ। भोरे उठि हम सभ लगपास टहलए निकललहुँ। आकाश स्वच्छ छल। वायुमण्‍डलमे कतहु प्रदूषण नहि। आकाशक तारा सभ चकमक देखल जा सकैत छल। हवामे जे निर्मलता छल ओकर अनुभव शब्‍दसँ नहि कएल जा सकैत अछि। मुदा ओतहु पार्कमे एक व्यक्तिकेँ पुरान-धुरान ओढ़ना ओढ़ने सुतल देखलहुँ। कहबी अछि जे गेलहुँ नेपाल, कपार गेल संगे..! स्‍लोवेनियाँ बहुत छोट सन देश अछि मुदा आर्थिक दृष्टिमे उन्नत देशमे अबैत अछि। ई देश यूरोपियन यूनियनक हिस्‍सा अछि आ ओहिठामक मुद्रा यूरो अछि। सभ किछुक अछैतो ओतहु अभागल लोक पार्कमे अनाथ जकाँ सुतल देखाएल, से देखि आश्चर्यमे पड़ि गेलहुँ।

११ सँ सोलह अगस्त २०१६ ई.क बीच स्‍लोवेनियासँ बाहर वियाना, म्युनिखबेनिस जेबाक कार्यक्रम छल। समस्त यात्रामे श्री अश्विन श्रेष्ठजी हमरा लोकनिक संगे रहथि। हुनका संगे एकटा मार्गदर्शक छल आ गाड़ीक चालक रहए जे अपना-आपमे मनोरंजक छल एवम् बहुत रास जानकारी दैत रहैत छल।

९ अगस्तक सायंकाल हमरा लोकनि सीटी सेन्‍टर घुमए गेलहुँ। सड़कपर चलएमे आनन्द आबि रहल छल। सड़कक काते-काते साइकिल चलेबाक हेतु फराक पाँति छल। यातायात नियंत्रण प्रणालीमे एहन व्यबस्था छल जे पदयात्री सड़क पार करबाक सूचना स्विच दबा कए दए सकैत छल।

यातायात नियंत्रणमे सेन्‍सर लागल छल। जाहि कार सभमे अनुमतिक चीप छल, तेकरा चेक प्‍वाइन्‍टपर अबिते रस्‍ता खुजि जाइत छल। शेष लोककेँ अपन कागजात देखबए पड़ैत छल। तकर बादे गाड़ी आगू बढ़ि सकैत छल। जँ सड़कपर यातायात नियमक उल्लंघन करैत पकड़ल गेलहुँ तँ  तुरन्त सायरन बजि उठैत छल आ ओहिसँ उवरक हेतु भारी जुर्माना ३० यूरो लगैत छल। सड़कक कातमे किंवा कोनो पार्कमे लघुशंका करब मना छल।

स्‍लोवेनियाँक सरकारमे विषय वस्तुकेँ विशेषज्ञ सभकेँ मंत्री, सचिव बनाओल जाइत छथि। सरकार बदललापर ओ सभ अपन पुरना काजपर आपस चलि जाइत छथि। यूरोपियन युनियनक सहभागी सभ राष्ट्रमे एक्के बिन्‍दुपर कर लेबाक परम्‍परा अछि। संसदक दू सदन अछि। राष्ट्रपति, मंत्रीक अलाबा नगरपालिका होइत अछि। ओहिठाम राज्य नहि अछि। शहरमे पानिक आपूर्तिक उत्तम व्यबस्था अछि। पद यात्रीक बहुत सम्‍मान कएल जाइत छल। यदि कारसँ चलैत व्यक्ति कोनो पद यात्रीकेँ देखथि तँ  तुरन्त गाड़ी रोकि कए सड़क पार करबाक आग्रह करथि।

११ अगस्त २००९ ई.क प्रात: ६ बजे बससँ सभगोटे आस्‍ट्रीयाक राजधानी वियानाक हेतु प्रस्थान केलहुँ। सभगोटेक आपसी सहमतिसँ ओहि विदेश कार्यक्रमक हम मुनिटर रही। सभसँ पहिने तैयार भए  आगू आबि कए आओरलोक सभकेँ शीघ्र चलबाक हेतु प्रेरित करी। समयक प्रति निष्ठा ओहिठाम बहुत आवश्‍यक छल, अन्यथा लोक हँसीक पात्र भए  जाइत छल।

वियाना आस्‍ट्रीयाक राजधानी थिक। एकर अवादी १.८ करोड़ अछि। आस्‍ट्रीयाक पूर्वी भागमे स्‍थित वियाना अनेको अन्तर्राष्ट्रीय संस्थाक मुख्यालय अछि। २००१ ई.मे युनेस्‍को एकटा विश्व धरोहर घोषित केलक। वियानाकेँ संगीतक नगर सेहो कहल जाइत अछि। विश्व प्रसिद्ध मनोवैज्ञानिक- फ्राइड ओहीठाम जन्मल छलाह। वियाना दुनिआमे उच्च जीवन स्तरक हेतु प्रसिद्ध अछि। २००५ ई.क एक अध्ययनक अनुसार दुनिआक सर्वोत्‍कृष्ट रहए जोगर शहरमे एकर नाम आएल छल। अमेरिकाक सैन फ्रैसिस्‍को एवम् कनाडाक वानकोमेर एहि टक्करक आन शहर सभमे अछि। प्रति वर्ष ३.७ करोड़ पर्यटक एहि शहरमे भ्रमण हेतु अबैत छथि।

सायंकाल ५ बजे आस्‍ट्रीयामे भारतीय राजदूत श्री सौरभ कुमारसँ दूतावासमे हमरा लोकनिक भेँट भेल। सभगोटेसँ परिचयक बाद जलखैक व्यबस्था रहए। वियानक बारेमे आवश्‍यक जानकारी सेहो हुनका माध्यमसँ भेटल। भारत एवम् आस्‍ट्रीयाक पारस्परिक सम्बन्धक चर्चा करैत ओ स्पष्ट केलनि जे २००० भारतीय ओहि देशमे रहि रहल छथि। भारत भ्रमण हेतु वीजा देबामे कोनो देरी नहि होइत छल ओ अधिकांश लोककेँ ओही दिन वीजा भेटि जाइत छल। राजदूत महोदय हमरा लोकनि द्वारा पुछल गेल कतेको जिज्ञासाक उत्तर दैत रहलाह। दूतावासक बाद हमरा लोकनि नगर भ्रमण हेतु विदा भेलहुँ। ओहि क्रममे पुरना महल देखलहुँ जतएसँ ८०० साल धरि ओहि देशक शासन भेल छल। प्रधानमंत्री आवास एवम् संसद भवनकेँ एकदम लगीचसँ हम सभ देखलहुँ आ सुरक्षाकेँ जे ताम-झाम अपना देशमे अछि, से ओतए कतहु नहि बुझाएल। शहर एकदम स्वच्छ, मनोरम। लोकक अवादी बहुत कम। रस्‍तामे तँ  मोसकिलसँ किओ देखाइत। खेत सभ हरिअर कंचन। बीच-बीचमे कतहु-कतहु गाम सभ, छोट-छोट मुदा पक्काक घर सभ दर्शनीय दृश्‍य उत्पन्न करैत छल। सभ घरपर सौर ऊर्जाक उत्‍पादनक व्यबस्था छल। रस्‍ता भरि पवनचक्की द्वारा विद्युत ऊर्जा उत्‍पादनक व्यबस्था देखाएल। यत्र-तत्र द्वितीय विश्व युद्धक स्मृति अवशेष भरल छल।

सड़कपर ३५टा भारतीय हुजुम जखन चलैत छल तँ  अभूतपूर्व दृश्‍य भए  जाइत छल। देशक प्राय: सभ राज्यक लोक हमरा सभहक संगे छलाह। अहिना सड़कपर चलैत काल वियानाक फूट-पाथपर एकटा पंजाबी दोकान केने छलाह। हमरा सभकेँ हिन्‍दीमे गप्प करैत सुनि बहुत प्रसन्न भेलाह। गप्प-सप्‍प्‍क क्रममे अपन परेसानी सभ व्यक्‍त करैत रहलाह।

सम्‍पूर्ण यूरोप एक दोसरसँ जुड़ल अछि। सड़कक माध्यमसँ पूरा यूरोप घुमि सकैत छी। एकाधिक प्रवेश वीजा भेटैत अछि। जहिना अपना देशमे एक राज्यसँ दोसर राज्य जाइत छी तहिना ओतए एक देशसँ दोसर देश घुमि सकै छी।

लगपासक घर सभमे फलक बगीचा छल। निच्‍चाँमे फल सभक पथार रहैत छल। सड़कक काते-काते हम सभ चली तँ  लोक सभ आश्चर्यचकित भए  देखैत रहैत छल। किओ-किओ कहैत जे ओ इण्‍डियाकेँ जनैत अछि किंवा इण्‍डिया गेलो अछि। मुदा सभहक मुखमण्‍डलपर एकटा सत्‍कारक भाव भेटैत छल जकरा बिसरब असम्‍भव...।

१२ अगस्त २००९क हमरा लोकनिक पहिल पड़ाव छल- यूनीडो (United Nations Industrial Developemant Organization) संयुक्त राष्ट्रसंघक अधीन यूनीडो अन्तर्राष्ट्रीय स्तरपर गरीबी निवारण हेतु औद्योगिकरणक विकास हेतु कार्यरत् अछि। जनवरी २०१७ धरि भारत सहित १६८ देश एहि संस्थाक सदस्‍य छथि। संस्थाक निदेशक द्वारा प्रस्तुतिकरणक क्रममे मूलत: वर्तमान बाजार आधारित परिवेशमे सरकार सभहक महत्व विषय उभरल।

११ अगस्तक दिनुका भोजन एकटा भारतीय भोजनालयमे छल। ओकर संचालक एकटा भारतीय युवक छलाह जे ओहिठाम होटल प्रबन्धन करबाक हेतु गेल रहथि आ पढ़ाइ पूरा कए भोजनालय चलबए लगलाह। ओ अपन प्रयासमे पूर्ण सफल छलाह। होटल खूब चलैत छल। उत्तम कोटिक भारतीय भोजनक व्यबस्था छल। मुदा दोसर दिन एकटा चाइनीज भोजनालयमे खेनाइक व्यबस्था छल। शाकाहारी लोकक संख्या आधा-आधी छल ओहिमे ६-७ टा तँ  कट्टर शाकाहारी छलाह। ..एकटा हाँड़ीमे भात राखल रहए। वैरा कहलकै जे आधा दिस तँ  अण्‍डा सहित भात अछि आ आधा बिना अण्‍डाबला।

ई बात सुनि कए हम आ हमर एकटा दच्‍छिन भारतीय मित्र कड़ा विरोध कएल, आखिर एहि बातक कोन गारंटी अछि जे एक्के हाँड़ीमे राखल दू तरहक भात उलटि नहि गेल होएत आ छूतिक तँ  बाते छोड़ू। हम सभ ४-५ गोटे भोजनपर सँ उठि गेलहुँ। ताहिपर आयोजक लोकनिक आग्रह भेल जे हम सभ कम-सँ-कम जूसे पीबि ली। मुदा बादमे ओकर भूगतान लए कए बिबाद भए  गेल जे मोसकिलसँ समटल।

शाकाहारी लोकनिकेँ सभठाम कष्ट बुझाए सिवाय भारतीय होटल सभमे। दोसर ठाम तँ  शाकाहारक सही माने घास-फूस बुझल जाइत छल। जँ अहाँ छाँटि सकब तँ  अहाँ जानी। भोजनक मामलामे सभसँ नीक व्यबस्था सलोविनयामे छल। ओहिठाम भोरक जलखै एवम् रात्रिक भोजन गुजराती होटलसँ व्यवस्‍थित छल तैँ अति रूचिकर रहैत छल। ओतहु दिनुका भोजनक हेतु चाइनीज भोजनालयक व्यबस्था छल जतए हमरा सन शाकाहारी प्राय: भूखले रहि जाइत छल। एहि आशामे जे रातिमे सभ सधा लेबैक। बाहर खाएब किंवा पानियोँ पीबि बड़ महग रहए। एकटा कौफीक हेतु तीन यूरो यानी भारतक लगभग २७० रूपैआ होइत छल जे बड़ महग बुझाइत। जखन-कखनो कोनो बैसक वा सरकारी कार्यक्रम होइत छल तँ  पानि, चाह, कौफी, बिस्‍कुटक व्यबस्था तँ  रहिते छल। नगर भ्रमणमे सेहो आयोजक द्वारा सीमित मात्रामे पानिक बन्द बोतल देल जाइत छल। ओहिसँ बेसी पीब तँ  कीनए पड़त। दाम-पुछू नहि। टके सेर भाजी, टके सेर खाजा।

१२ अगस्त २००९क दुपहरियाक भोजनक बाद आइ.ए.ई.ए. (International Atomic Energy Agency) क निदेशक द्वारा भाषण छल। ओ भारतीय छलाह। ओहिठाम नौकरीसँ पहिने भारतीय प्रशासकीय सेवाक अधिकारी रहथि, आ तैँ भारतीय परिस्‍थितिसँ पूर्ण अवगत रहथि। ओ किसिम-किसिमसँ नाभिकीय ऊर्जाक रचनात्मक उपयोगक विषयपर अपन विचार रखैत एहि बातपर जोर दैत रहथि जे दुनिआमे जाहि प्रकारसँ ऊर्जाक प्रयोजन बढ़ि रहल अछि, ताहिमे नाभिकीय ऊर्जाक रचनात्मक प्रयोग अनिवार्य भए  गेल अछि। ततबे नहिकतेको प्रकारक चिकित्‍सीय जाँच एवम् उपचारमे सेहो एकर उपयोगिता महत्वपूर्ण अछि।भाषणक बाद प्रश्न पुछबाक परिपाटी छल जाहिसँ बढ़ियाँ बात ई छल जे यू.एन.ओ.क संस्थामे रहितो ओ भारतीय हितक प्रति बहुत संवेदनशील रहथि। आइ.ए.ई.ए.क मूल उद्देश्‍य शान्ति हेतु आणविकक शक्‍तिक प्रयोग थिक। एकर स्थापना संयुक्‍त राष्ट्र संघक स्‍वायत्व संस्थाक रूपमे सन् १९५७ ई.मे भेल।

वियानाक दर्शनीय स्थान सभमे महत्वपूर्ण अछि, हसवर्ग साम्राज्यक राज महल...। १२७९ ई.सँ लगातार कोनो-ने-कोनो राजाक शासन केन्द्र रहल ई महल संप्रति आस्‍ट्रीयाक राष्ट्रपतिक सरकारी आवास अछि। एहि महलमे नाना प्रकारक म्यूजियम केर अलावा आवासीय अपार्टमेन्‍ट सभ अछि। राजमहलक अन्दर सार्वजनिक पूजाक स्थान अछि जाहिठाम आम जनता आबि जा सकैत अछि। रबि दिन ओहिठाम संगीत कार्यक्रम सेहो आयोजित कएल जाइत अछि। राजमहलक अन्दर सीसी म्यूजियम अछि जे ९ बजेसँ सायं ५.३० बजे धरि आम जनता हेतु खुजल रहैत अछि। सीसी म्यूजियमक अन्दर ऑडियो टूरसँ बहुत रास जानकारी भेटैत अछि। महलक अन्दर पुरना खजाना एवम् ओहिमे राखल राजमुकुट ओ राजकीय वस्त्र सभ दर्शनीय थिक।

१३ अगस्त २००९ क आठ बजे हम सभ वियानासँ म्युनिख (जर्मनी) हेतु बस द्वारा प्रस्थान केलहुँ। लगभग पाँच बजे म्युनिख स्‍थित भारतीय कांसुलेट जेनरलक कार्यालय पहुँचलहुँ। ओहिपर फहराइत तिरंगा झण्‍डा फटकिएसँ देखा रहल छल। आपसी परिचयक बाद कांसुलेट जेनरल महोदय भारत-जर्मनीक आपसी सम्बन्ध एवम् वर्तमान आर्थिक परिवेशमे तकर महत्व पर सारगर्भित भाषण देलाह।

हुनकर कहब रहनि जे जर्मनी संगे भारतक पुरान सम्बन्ध रहल अछि। जर्मनीमे संस्कृत अध्ययन एवम् अनुसन्‍धानक अति प्राचीन इतिहास रहल अछि। दुनू देशकेँ जनतांत्रिक शासन पद्धतिक अलावा सांस्कृतिक एवम् नैतिक मूल्‍यमे अनुरुपता अछि। संगे ईहो कहब रहनि जे भारतीय द्वारा जर्मनीमे कएल गेल निवेशसँ तुलनात्मक दृष्टिये बेसी जर्मनकेँ नौकरी भेटल अछि ,भारतमे जर्मन निवेश द्वारा कम भारतीयकेँ जीविका भेटल अछि। ओ अतिशय आग्रही एवम् सरल स्वभावक लोक छलाह। कार्यक्रमक बाद चाह-पान भेल आ हमरा लोकनि होटलमे रात्रि विश्रामक हेतु चलि गेलहुँ।

१३-१४ अगस्तक रात्रिमे हम सभ म्युनिखमे रहलहुँ। होटल आलीशान छल। स्नानगृहमे छोट-सँ-पैघ नापक किसिम-किसिमकेँ तौलिआ राखल छल। कोठरीमे मिनीवार छल। पीबैबला घरेमे बैसल पीबि सकैत छल, मुदा सभहक पाइ जाएकाल चुकता करए पड़ैत। भोरक जलखैक ‍शुल्क नहि देबक रहए। जलखैक स्थान विशालकाय छल आ ओहिमे जलखैक सामानक भरमार छल। जे खाउ, जतेक खाउ। फल खाउ, फलक रस पीबू, अण्‍डा खाउ। ब्रेड सभहक तँ  ततेक किसिम रहए जकर वर्णन कठिन अछि।

म्युनिखक होटल सभहक साज-सज्जा वियानासँ बेसी नीक रहए। चाहक विन्यास सभमे भारतीय दार्जलींगक चाहक पुड़िया सभ सेहो रहए। लोक सभ सुन्दर नमगर ओ चुस्त  छल। बड़का-बड़का मौल सभमे वस्तुक भरमार छल। जे चाही लिअ, मुदा दाम भारतसँ बेसिए रहए। इलेक्‍ट्रॉनिक सामान सभहक भरमार रहएमुदा महग। तखन की लेल जाएअधिकांश लोक सनेस हेतु किसिम-किसिमक चॉकलेट सभ लेलक।

म्युनिखक वीयर हॉलमे हजारो आदमी एकठाम बैसि कए दारू पीबैत अछि। हमर किछु सहयोगी सभ उत्‍सुकतावश ओकरा देखबाक हेतु रातिमे गेलाह मुदा लौटला पछाइत अपसोच करैत रहथि जे बेकारे गेलहुँ। सम्‍पूर्ण वातावरण दुर्गन्धसँ भरल छल। हम आ हमर रूमेट ओहि समयकेँ सुतएमे उपयोग कए प्राय: बढ़िआँ निर्णय लेने रही। म्युनिखमे सालमे एकबेर वार्षिक वीयर उत्‍सव होइत अछि। प्राय: सितम्बरक मध्यसँ शुरू भए  अक्‍टुवरक प्रथम सप्‍ताह धरि चलैत अछि। एहिमे दुनिआ भरिसँ ६ करोड़सँ अधिक लोक भाग लैत अछि। वावेरियन संस्कृतिक ई एकटा महत्वपूर्ण अंग अछि। एहि उत्‍सवमे किसिम-किसिम केर खेल-धुप, नाना प्रकारक भोजनक अतिरिक्‍त मनोरंजनक अनेकानेक विकल्‍प सुलभ रहैत अछि।

१४ अगस्त २००९ ई.क प्रात:काल ९.३० बजेसँ जर्मनीक चैम्बर ऑफ कामर्स एण्‍ड इन्‍डस्‍ट्री ववारियाक सभा गृहमे संस्थानक अध्यक्षक भाषण छल।उपरोक्‍त संस्थाकेँ जर्मनीक लाखों कम्‍पनी सदस्‍य छल। पेरिसक सी.सी.आई.क बाद ई अपना तरहक संस्थानमे दोसर स्थानपर छल। जर्मनीक एकीकरण एवम् तकर प्रभावक विषयमे एहि बैसारमे विस्‍तारसँ चर्चा भेल। पच्‍छिमी जर्मनी अपेक्षाकृत अधिक समृद्ध अछि। पू. जर्मनीक आर्थिक स्‍थिति तखनो खास्‍ता-हाल छल। तैँ एकीकरणक बाद पच्‍छिमी जर्मनी दिसका लोक सभ एकीकरणसँ अप्रसन्नता व्यक्‍त करथि।

जर्मनीकेँ म्युनिखमे घुमैत हमरा लोकनि ओलम्‍पिक खेलक स्थान देखलहुँ। म्युनिखक तकनीकी संग्रहालय देखलहुँ। ओहिमे विद्युत उत्‍पादनक व्यवहारिक वर्णन छल। फराक-फराक तलपर नाना प्रकारक वस्तु सभ प्रदर्शनीक हेतु राखल छल। वायुयान, रेल, जल-जहाज सहित अनेकानेक वस्तुक जर्मनीमे अविष्‍कार एवम् प्रयोगक जानकारी लैत, देखैत चकविदरो लागि जाइत छल। निश्चय ओ सभ कतेको क्षेत्रमे हमरा सभसँ बहुत आगू छलाह। भए  सकैए जे लोक यूरोपक प्रति अनेकानेक धारणासँ पूर्वाग्रहित हो, परन्तु हमरा रस्ता, होटल, चौबटियामे कोनो अभद्र बात नहि देखाएल। ओहि तुलनामे तँ  दिल्ली किंवा लगपासक परिस्‍थिति अतिशय चिंताजनक अछि।

ओहिठामक लोक सभ कार्यक प्रति निष्ठावान एवम् परिश्रमी छथि। ततबे नहि, व्यर्थक बिबादसँ सेहो कोनो मतलब नहि। ओतेक दिनमे मात्र एक दिन वियानामे पुलिसक जत्‍था देखबामे आएल जे कोनो प्रर्दशनकेँ नियंत्रित कए रहल छल। अपना सभ ओहिठाम जकाँ यत्र-तत्र सर्वत्र पुलिसिया हुजुम किंवा सुरक्षाक तामझाम कतहु नहि देखबामे आएल। आस्‍ट्रीयाक प्रधानमंत्रीक घर धरि अपरिचित लोक सभ बेरोक-टोकक चलि जाइत छल। मंत्री सभ मेट्रोरेलसँ कार्यालय अबैत-जाइत छलाह।

भोरे-भोर कतेको कार्यालयमे लोक भरल आ कार्यरत भए  जाइत छलाह। साइकिल चला कए व्‍यायाम करब आम बात छल। साइकिलक हेतु सभठाम फराक रस्‍ता छल। सभसँ बेसी जे आकर्षक बात छल से ई जे लोक सभमे व्यर्थक अहंकार नहि छल। सरल एवम् सहज रूपेँ लोक व्यबहार करैत छल जकर अनुमान देखिए कए भए  सकैत अछि। ओहि सभ शहरमे जनसंख्या कम अछि। तैँ ओकरा व्यवस्‍थित करब किंवा ओकरा लेल व्यबस्था करब अपेक्षाकृत असान अछि। मुख्‍य शहरकेँ जँ छोड़ि दी तँ  बीचक रस्‍ता सभमे मोसकिलसँ लोक देखाइत। हँ! सप्‍ताहांतधरि दृष्टि अलग रहैत छल।

शुक्रक रातिमे दारुक दोकान पर माछी जकाँ लोक भनभनाइत रहैत छल। शनिक भोरे लगैत जेना पूरा अवादी शहर छोड़ि कए कतहु भागि रहल अछि। किओ कारसँ, किओ मिनी बससँ, किओ कारमे ट्राली लटकौने लोकक हुजुम देखाइत छल। लोकसभ सप्‍ताहांत बिताएब हेतु कोनो झील, कोनो रमणीय स्थान वा कोनो दोसर शहर जा रहल छल। झीलक लगपास लोक पटोटनि देने रौद सोंखैत रहैत छल। समुद्रमे अति तीव्र गतिसँ स्वचालित नाओ सभसँ लोक सभ जल क्रीड़ा करैत देखाइत। ओकर वेग आ ओहिमे सभ लोकक दुस्‍साहस प्रशंसनीय छल। गोटे लोक बड़ मोटाएल देखाइत छल, से देखि दुख ओ आश्चर्य होइत छल, जे एतेक सम्‍पन्न परिवेश रहितो ई सभ शारीरिक रूपसँ अक्षम जकाँ रहबाक कारण कतेको सुखसँ वंचित होएत।

१५ अगस्तक स्वतंत्रता दिवस समारोहक अवसरपर हमरा लोकनि पुन: भारतीय कन्‍सुलेट जेनरलक ओहिठाम पहुँचलहुँ, जाहिठाम झण्‍डोत्तोलन भेल आ भारतक राष्ट्रपति महोदयक संदेश पढ़ि कए सुनाएल गेल। तदुपरान्त मिष्ठान भोजन भेल एवम् आपसी गप्प सभ सेहो। कार्यक्रमक समापनक बाद नगर भ्रमण करैत हम सभ सल्जवर्गक हेतु प्रस्थान केलहुँ।

सल्‍जवर्ग आस्‍ट्रीयाक चारिम सभसँ पैघ शहर अछि। द्वितीय विश्वयुद्धक दौरान कतेको घर घ्‍वस्त भए  गेल ओ सैकड़ो लोक मारल गेलाह। शहरक अधिकांश घर घ्‍वस्त भए  गेल। द्वितीय विश्वयुद्धक बाद सल्‍जवर्ग राज्यक राजधानी बनल/विश्वप्रसिद्ध गायक मोजार्टक जन्म अही शहरमे भेल छल। २७ जनवरी २००६क मोजार्टक २५० मा जन्म समारोह धूम-धामसँ मनाओल गेल छल। हम सभ मोजार्टक घर देखए गेलहुँ। ओहि घरकेँ अजबरूपसँ सुरक्षित राखल गेल अछि। घरमे माजार्ट द्वारा प्रयुक्त किछु वाद्य यंत्र सभ लोकक दर्शनार्थ राखल अछि। मोजार्टक देहान्त मात्र ३५ वर्षक आयुमे भए  गेल परन्तु एतबे कम समयमे ६०० सँ अधिक संगीतक रचना केला आ पाश्चात्य कलात्मक संगीतपर अमिट छाप छोड़ि गेलाह।

१५ अगस्त २००९ क ८ बजे रातिमे थाकल, झमारल हमरा लोकनि लुवियाना आपस अएलहुँ आ संस्थानक छात्रावासमे रात्रिक भोजन कए विश्राम केलहुँ।

१६ अगस्त २००९ केँ भोरे सात बजे हम सभ बससँ बेनिस देखबाक हेतु विदा भेलहुँ। इटलीक पूर्वोत्तर भागमे ११७ छोट-छोट टापूसँ आच्छादित बेनिस शहर पूल द्वारा एक-दोसरसँ जोड़ल अछि। वेनिसक अवादी लगभग ५५ हजार छल। लुवियानासँ वेनिस जाइत काल १८ किलोमीटरक आवा-जाहीमे लगभग ३००० गुफा सभसँ गुजरय पड़ल। बीचमे र्ओ स्थान अछि जतए द्वितीय विश्वयुद्धक दौरान ११५ सैनिककेँ गाड़ि देल गेल छल। असलमे द्वितीय विश्वयुद्ध ओहिठामक लोकक मोनमे गड़ि गेल अछि। चाहेअनचाहे लोक ओहि युद्धसँ जुड़ल घटनाक गप्‍प करए लगैत छल।

दच्‍छिन दिस आल्‍प्‍स पहाड़ी क्षेत्र देखाइत छल। शहरमे प्रवेश हेतु बसकेँ ४०० यूरो आ पार्किंग हेतु ४० यूरो देबए पड़ल। रस्‍तामे मकईजौअंगुरक खेती देखलहुँ। जतए धरि दृष्टि जाइतहरियर कंचन देखाइत।

वेनिस शहर तँ  जेना पानिमे डुबि रहल अछि। एक घरसँ दोसर घर जेबाक हेतु पूलक मदति लेबए पड़ैत। जतए पूल नहि अछि ओतए नाओसँ लोक एकठामसँ दोसरठाम जाइत अछि। जेना अपना सभहक ओतए साइकिल रहैत अछि, तहिना ओहिठाम लोक सभ नाओ रखैत अछि।

वेनिसक कलात्मकता एवम् शिल्‍पकारी विलक्षण अछि। आश्‍चर्य होइत अछि जे ई शहर पानिमे डुबि किएक ने जाइत अछि। मध्यकालीन समयमे वैनिस आर्थिक एवम् सामुहिक प्रतिनिधिक केन्द्र छल। रेशम, मसाला एवम् अनाजक प्रचुर मात्रामे व्‍यापार होइत छल। ९ वीं सँ १७वीं शताब्‍दी धरि वेनिस प्रथम अन्तर्राष्ट्रीय आर्थिक केन्द्र छल जाहि कारणसँ ई शहर सदिखन आर्थिक रूपसँ समृद्ध रहल।

तेरहम शताब्दीमे एहिठाम ३७ हजार नाविक ३००० जहाजकेँ चलबैत छलाह। वेनिस अपन स्वतंत्र अवधिक दौरान गणराज्य बनल रहल। हलाँकि बेनिसक लोक आमतौरपर रूढिवादी रोमन कैथेलिक रहए मुदा धार्मिक कट्टरता एवम् पाखण्‍डक ओतए चलन नहि रहए। १३४८सँ १६३०क बीचमे कतेको बेर प्लेग फैल गेल जाहिसँ भयंकर मृत्‍यु भेल। नेपोलियन बोनापार्ट संगे युद्धक बाद वेनिसक स्‍थितिमे कएक बेर उठा-पटक होइत रहल।

वेनिसकेँ महल सभक नीव लकड़ीक बनल अछि। ई लकड़ी सभ सैकड़ो वर्षसँ पानिमे डुबल रहलाक बादो खराप नहि भेल अछि।

वेनिसमे दुपहरक भोजन एकटा भारतीय भोजनालयमे छल। ओहूठाम पहुँचक हेतु हमरा सभकेँ नाओक मदति लेबए पड़ल रहए। भोजनक पछाइत हमरा लोकनि जहाजमे बैसि कए मुरानो, वुरानो एवम् टार्सोका द्वीप घुमए गेलहुँ। मुरानोमे शीशा बनेबाक पुरान परम्‍परा अछि। वुरानोमे रंग-विरंगीघर एवम् हथकरघाक सामानक प्रचूरता बुझाएल। टार्सोका द्वीपपर ऐतिहासिक एवम् कलात्मक महत्वक कतेको उदाहरणक संग अत्‍याधुनिकताक प्रभाव देखबामे आएल। जहाजपर बैसल अनगिनित संख्यामे लोककेँ जल-क्रीड़ा करैत देखि, ओहिठामक लोक सभकेँ जीबाक अन्दाज अजब छल। दिन भरि घुमि-फिर हम सभ एक बेर फेर ९ बजे रातिमे लुबिआना स्‍थित संस्थानक छात्रावासमे रात्रि विश्रामक हेतु पहुँचलहुँ।

एवम् प्रकारेण वियाना, म्युनिख एवम् वेनिस सहित लगपासक प्रमुख स्थान देखि-सुनि लेलाक बाद १७ अगस्तसँ २१ अगस्त २००९ धरि संस्थानमे सार्वजनिक महत्वक अनेकानेक विषय सभपर भाषण भेल जाहिमे सम्बन्‍धित विषयक शीर्षस्‍थ विद्वान सभ भाग लेलाह। संगहि लुवियानाक नगरपालिका, ब्‍लेड झील एवम् कुन्‍जक भ्रमण सेहो भेल। स्‍लोवेनियाँ स्‍थित विश्व व्यापार केन्द्र सेहो देखबाक हेतु हमरा लोकनि गेलहुँ। २१ अगस्त २००९ क प्रशिक्षण कार्यक्रमक समाप्‍तिक संग सभगोटेकेँ प्रमाण पत्र देल गेल। रातिमे संस्थानक महानिदेशक द्वारा विदाइ-भोज देल गेल। ओहिमे संगीत (ऑकेस्‍ट्रा)क कार्यक्रम सेहो छल। किछु गोटे अपनो गीत गओलनि। अजब महौल छल। कतेक हृदयसँ हमरा लोकनिक विदाइ भेल, तकर वर्णन करब कठिन।

२२ अगस्त २००९क शनि दिनक गप्प छी। संस्थानक क्रिया-कलाप सम्पन्न भए  गेल छल। आपसी यात्रा २३ अगस्त २००९क छल। तैँ ओहि दिनक उपयोग घुमबा-फिरबामे भेल। हम सभगोटे विश्व प्रसिद्ध पाल्‍टोजना गुफा घुमए गेलहुँ। जमीनक अन्दर बनल ई गुफाकेँ पछिला २०० सालक दौरान ३६ करोड़ लोक देखि चुकल अछि। एहि गुफाक यात्रामे डेढ़ घन्टा समय लगैत अछि। सुरंगमे बनल रस्‍ता, दीर्घा एवम् हॉल सभहक श्रृखला देखैत बनैत छल। गुफाक अन्दर घुमबाक हेतु छोट सन रेलपर चढ़लहुँ जे छुक-छुक करैत हमरा सभकेँ गुफाक आरामसँ भ्रमण करा देलक। उपरोक्‍त भ्रमणक मार्गदर्शन विश्वक अनेकानेक भाखामे उपलब्ध छल। ओहि गुफाकेँ देखला, घुमलाक बाद जे मोनपर छाप पड़ल से अखनो अमिट अछि। कला एवम् पुरषार्थक विलक्षण संगम अछि ओ गुफा..!

२२ अगस्त २००९क भोरे हम सभ लुबिआना हवाई अड्डापर रही। ओहिठाम वायुयानमे संवार भए  पेरिसक हेतु विदा भेलहुँ। रस्‍तामे सभ यात्रीकेँ जलखै देल गेल। घन्टा भरिक ई लघु यात्रा देखैत-देखैतमे बीत गेल। फेर हम सभ पेरिस हवाई अड्डापर उतरलहुँ। वारंवार  चेतौनी देल गेल जे अपन समानक सावधानीसँ रक्षा कएल जाए कारण ओहिठाम उचक्का सभ तुरन्त समान गाएब कए दैत अछि।

हवाई अड्डासँ बाहर हमरा लोकनिक बस तैयार रहए। सभ अपन-अपन समान रखलक आ बस द्वारा नगर भ्रमणपर विदा भेल। संगमे एकटा मार्गदर्शक सेहो छल जे ठाम-ठाम आबएबला प्रमुख वस्तु आ स्थान सभहक परिचय करबैत रहल।

फ्रांसक राजधानी पेरिसक इफेल टावर विश्व प्रसिद्ध अछि। हमरा लोकनि ओहि टावरपर चढ़लहुँ आ बेरा-बेरी पेरिस शहरक विभिन्न भागक चित्र टावरपरसँ खिचलहुँ। टावरक ऊपर धरि चढ़बाक हेतु लिफ्टक व्यबस्था अछि किंवा पएरो सिढ़ीक माध्यमसँ ओहिपर चढ़ि सकै छी। इफेल टावरक नाम ओकर निर्माता अभियंताक नामपर पड़ल अछि।

११८७-८९ ई.क बीच निर्मित एक इफेल टावरक ऊँचाइ ३२४ मीटर अछि। एहि टावरपर चढ़ि, घुमि हमरा लोकनिकेँ पेरिस शहरक विहंगम दृष्टि भेटल। विलक्षण शहर अछि, जाहिमे लगभग एक्के रंग ऊँचाइक महल सभहक भरमार अछि। इफेल टावरक निच्‍चाँमे कएटा भारतीय सभ छोट-मोट समान सभ बेचैत भेटलाह।

परिसक सीन नदीपर ३७ टा पूल पेरिसमे अन्दर बनल अछि। ई नदी पेरिसक मुख्‍य व्यापारीक जलमार्ग अछि। पेरिस शहरमे प्रयुक्त पानिक आधा भाग अही नदीसँ अबैत अछि। गर्मीक समयमे एतए यात्रीगण विश्राम कए असीम आनन्दक अनुभव करैत अछि।

हमर एकटा संगी साल भरि पेरिसमे रहल रहथि, तैओ कतेको चीज नहि देखि पाएल रहथि। हम सभ तँ  मोसकिलसँ बारह घन्टामे पेरिसकेँ देखए चलल रही। जाहिर छै, कतेक देखि सकितहुँ? तथापि मोटा-मोटी प्रमुख स्थान सभ लग बस रोकैत छल आ हमरा लोकनिक मार्गदर्शक यथा साध्य ओहि विषय वस्तुक इतिहास एवम् वर्तमानसँ परिचित करबैत छलाह।

नेपोलियनक घर सेहो हम सभ देखलहुँ जे आइ-काल्हि स्‍मारक भए  गेल अछि। दिनमे भोजनक हेतु एकटा पाकिस्‍तानी भोजनालयमे व्यबस्था छल, मोन छह-पाँच करैत रहैत जे खाइ ,कि नहि खाइ, मुदा भूख बहुत लागि गेल छल। अस्तु, भोजनमे सामिल भेलहुँ। पूर्णत: भारतीय शाकाहारी एवम् अति स्‍वादिष्ट भोजन कए मोनमे जे सन्तुष्टि भेल तकर वर्णन नहि।

भोजनोपरान्त हम सभ पुन: घुमए गेलहुँ। पेरिसक मेट्रो देखलहुँ। दुनिआक सर्बोत्तम मेट्रोमे सँ एक पेरिस मेट्रो रेल मानल जाइत अछि। ३०० कि.मी. लम्‍बा ट्रैकपर करीब-करीब ३०० स्‍टेशनपर ई ठाढ़ होइत अछि।

मेट्रोक अलावा बस, टैक्‍सी एवम् नाओ द्वारा शहरक यातायातक उत्तम प्रबन्ध होइत अछि। शहरमे किरायापर साइकिल देबाक सेहो व्यबस्था अछि, जाहि लेल मामूली शुल्क लेल जाइत अछि।

सायंकाल हमरा लोकनि आपस पेरिस हवाई अड्डापर पहुँचि गेल रही। ओहिठाम सूर्यास्त आठ बजे तक नहि भेल रहए। तखने हम हवाई जहाजपर अपन देशक हेतु उड़ि गेलहुँ। आकाशमे लटकल सूर्य भगवानकेँ बड़ीकाल धरि देखैत रहलहुँ...। 






















कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें