शनिवार, 19 अगस्त 2017

अमृतसर यात्रा




 


अमृतसर यात्रा


पंजावक पैघ शहरमे अमृतसरक गणना अछि। ऐठाम पहिने तुँग नामक गाम छल। सिखक चारिम गुरु रामदास १५७४ मे ७०० रूपैआमे तुँग गामक लोकसँ जमीन किनलैथ। ओइ साल गुरु रामदास ओतए घर बना कऽ रहए लगला। ओइ समयमे ओकरा गुरु दा चक्क कहल जाइत छल। बादमे एकर नाम चक्क राम दास भऽ गेल।

अमृतसर पहिने गुरुरामदासपुरक नाओंसँ जानल जाइत अछि। पंजावक राजधानी चण्‍डीगढ़सँ ई २१७ किलोमीटर दूरीपर एवम्‍ लाहौरसँ मात्र ५० किलोमीटर दूरीपर अवस्‍थित अछि। भारत-पाकिस्‍तानक वाधा  वोर्डर ऐठामसँ मात्र २८ किलोमीटर अछि।

कहल जाइत अछि वाल्‍मिकी ऋृषिक आश्रम अमृतसरक रामतीर्थमे छल। लवकुश अश्वमेघ यज्ञक घोड़ाकेँ ओतइ पकैड़ लेने छला आ हनुमानकेँ एकटा गाछसँ बान्‍हि देने रहैथ। ओही स्‍थानपर दुर्गिआना मन्‍दिर बनल अछि।

तेसर सिख गुरु अमरदास जीक परामर्शपर चारिम सिख गुरुरामदासजी अमृत सरोवरक खुनाइ प्रारम्‍भ केलाह। ऐमे चारूकात पजेबाक घाटक निर्माण पाँचम सिख गुरु अर्जन देवजी द्वारा १५ दिसम्‍बर १५८८ क पूरा कएल गेल। वएह हरमन्‍दर साहेबक निर्माण प्रारम्‍भ केलैथ। १६ अगस्‍त १६०४ क ओइमे गुरु ग्रन्‍थ साहेबक स्‍थापना भेल। सिख भक्‍त बाबा बुधाजी ओइ मन्‍दरक प्रथम पुजेगरी नियुक्‍त भेल रहैथ।

हरर्मान्‍दर साहेबक निर्माणमे सर्व धर्म सभ भावक विशेष धियान राखल गेल। सिख धर्मक ऐ भावनाक अनुरुप गुरु अर्जन देव मुस्‍लिम सूफी सन्‍त हजरत मिआँ मीरकेँ ऐ मन्‍दिरक शिलान्‍यासक हेतु आमंत्रित केने छला। सन्‍ १७६४ ई.मे जस्‍सा सिंह अहलुवालिया आन-आन लोक सबहक सहयोगसँ एकर जीर्णोद्धार केलाह। उन्‍तीसमी शताब्‍दीमे महाराजा रणजीत सिंह ७५० किलोग्राम सोनासँ ऐ मन्‍दिरक ऊपरी भागकेँ पाटि देलाह जैपर एकर नाओं स्‍वर्ण मन्‍दिर माने गोल्‍डेन टेम्‍पल पड़ि गेल।

हरमन्‍दि साहेबक स्‍वर्ण मन्‍दिरमे पएर रखैत गजब आनन्‍दक अनुभूति भेल। साफ-सुथरा चक-चक करैत परिसर। सुरम्‍य वातावरणमे भजन कीर्तनक संगीतमय मधुर ध्‍वनि। चारूकात पसरल सैंकड़ोक तादादमे सेवादारक जत्‍था सभकेँ देखैत बनैत छल।

समूहमे जीव, सेवा करब ओ समन्‍व्‍य पूर्वक सबहक स्‍वागत करब, ऐ वस्‍तुक प्रत्‍यक्ष उदाहरण हरमन्‍दर साहिवमे भेटैत अछि। मन्‍दरमे प्रवेशसँ पूर्व जूता निकालब आ माथ झाँपब अनिवार्य अछि। माथ झाँपबाक हेतु मन्‍दिर प्रवन्‍धक केर तरफसँ वस्‍त्र देल जाइत अछि।

विशाल तलाव स्‍वच्‍छ जलसँ भरल अछि। ऐ तालावक नाओं अमृत सरोवर अछि। सरोवरक चारूकात लोक परिभ्रमण करैत अछि। सरोवरसँ जुड़ल अछि हरमन्‍दिर साहेब।

मन्‍दिरमे निरन्‍तर गुणवाणीक पाठ होइत रहैत अछि। चारूकातसँ मन्‍दिरक दरबाजा खूजल अछि। तात्‍पर्य जे ओइठाम सबहक स्‍वागत अछि। हरमन्‍दिर साहेबमे कोनो धर्मक लोक जा सकैत अछि। ऐ मामलामे ई अद्भुत अछि। ऐठाम निरन्‍तर लंगर चलैत रहैत अछि। अनुमानत: प्रति दिन एक लाखसँ तीन लाख लोक तककेँ मुफ्तमे लंगर खुआबक बेवस्‍था ऐठाम रहैत अछि।

हरमन्‍दिर साहेब हम दू बेर गेल छी। एकबेर अधिकारीक प्रतिनिधि मण्‍डलक संग आ दोसर बेर श्रीमतीजीक संग। दुनू बेर नीकसँ दर्शन भेल। स्‍थानीय प्रशासनक सहयोग रहबाक कारण मन्‍दिरमे हमरा सभकेँ सरोपा देल गेल। सरोपा देबक माने बहुत इज्‍जत देब भेल।

अमृतसरक प्रसिद्ध स्‍वर्ण मन्‍दिरक दर्शनक बाद हमरा लोकनि ओइठामसँ सटले जालियावाला बाग गेलौं। ओइ वागक इतिहास ककरा नहि बुझल छइ। ब्रिटिश साम्राज्‍यक भारतमे कएल गेल ई क्रुड़तम घटना अछि। १३ अप्रैल १९१९ क ब्रिटिस हुकुमतक विरोधमे स्‍वर उठाबक हेतु जमा भेल हजारो लोकपर १० मिनट धरि धुँआधार गेली चलौल गेल, जइमे एक हजार लोक मारल गेला आ १५ साए लोक घायल भेला। सरकारी आँकड़ामे मृतक एवम्‍ घायलक संख्‍या बहुत कम क्रमश: ३६९ एवम्‍ २०० मात्र देखौल गेल मुदा ओ कोनो हिसावसँ सही नहि लगैत अछि। गोली काण्‍डक बाद ओइ मैदानमे लाश उठौनिहार कियो नहि छल। सैकड़ो आदमी जान बँचेबाक हेतु ओइठाम स्‍थित एकटा इनारमे कुदि गेल। बादमे १२० टा लाश ओइ इनारसँ निकालल गेल। धुँआधार चलल गोली सबहक निशान अखनौं ओइठामक देवाल सभपर देखल जा सकैत अछि।

ओइ दिन बारहे बजेसँ लोक सभ बैसारमे भाग लेबाक हेतु ओइ मैदानमे जमा होमए लागल छल। बहुत  रास निर्दोस लोक उत्‍सुकतावश सेहो ओइठाम जमा भऽ गेल छल। मुदा केकरो ई अन्‍दाज नइ छेलै जे ब्रिटिश हुकुमत एतेक वर्वरतापूर्ण काज करत! मुदा से भेल। ब्रिटिश हुकुमतक खिलाफ केतेको प्रकारक दुर्घटनाक पछाइत राज्‍यमे मार्शल लॉ लागू छल।

१३ अप्रैल १९१९ क भोरे ब्रिटिश हुकुमत घोषणा कए लोककेँ चेतौलक जे पाँच आदमीसँ बेसी लोकक एकठाम जमा होएब गैरकानूनी अछि। मुदा बहुत लोककेँ एकर जानकारी नहि भेलै आ जेकरा भेबो केलै से नहि सोचि सकल जे आदेशक उल्‍लंघनक एहेन विनासकारी हएत!

स्‍थानीय फौजी एवम्‍ असैनिक अधिकारीकेँ जालियावाला बागमे जमा होइत भीड़क जानकारी १२ बजे भऽ चूकल छल। ओ सभ चाहैत तँ ओइ बैसारक शुरूए-मे विरोध कए सकैत छल, मुदा एकटा सुनिश्चित योजनाक तहत भीड़केँ जमा होमए देल गेल आ बिना कोनो पूर्व उद्घोषणाक भीड़पर अन्‍धाधून गोली चलेबाक आदेश जनरल द्वारा दए देल गेल।

सभसँ दुखद तँ ई भेल जे गोलीक बौछारमे घायल लोक सभ तरपैत-तरपैत मरि गेल आ कियो ओकरा सभकेँ असपताल उठा कऽ नहि लऽ गेल। ऐ घटनाक अंजाम देनिहार जेनरल डायरेक्‍टरकेँ जखन हंटर कमीशन पुछलक जे अहॉं  घायल लोक सबहक इलाजक की बन्‍दोवस्‍त केलौं?’ तँ ओ निर्लज्‍ज भऽ कहलक जे अस्‍पताल सभ खूजल छल। सही स्‍थिति तँ ई छल जे बाहरमे कर्फ्यू लागल छल तँए कियो केतौ घुसकियो नहि सकैत छल। जनरल डायर उपरोक्‍त कमीशनक समक्ष स्‍वीकार केलक जे ओ सोचि-समैझ कऽ जालियावाला वागमे गोली चलबौलैथ। ओ चाहितैथ तँ डरा-धमका कऽ भीड़केँ भगा दितैथ, मुदा फेर ओ सभ एकत्र भऽ जाइत, आ ब्रिटिश हुकुमतक वर्चस्‍वपर हँसैत।

एहेन वर्वर घटनाक चश्‍मदीद गवाह देबाल सभपर पड़ल गेली सबहक निशान अखनौं देखल जा सकैत अछि।

हम सभ चारूकात देबाल सभपर पड़ल एहेन निशान सभकेँ सद्य: देखलौं।  गोलीक निशान सभकेँ चिन्‍हित कए देल गेल अछि। आ जइ इनारमे सैकड़ो आदमी कुदि गेला आ जानसँ हाथ धो लेलैथ, सेहो शहीदी कुआँक नाओंसँ स्‍मारक भऽ गेल अछि। ऐ काण्‍डमे शहीद भेल सैकड़ो लोकक यादगारमे ओतए स्‍मारक बनल अछि जेकर उद्घाटन भारक प्रथम राष्‍ट्रपति स्‍व. डॉ. राजेन्‍द्र प्रसाद सन् १९६३ मे केलाह।

अमृतसरक दर्शनीय स्‍थानमे दुर्गिआना मन्‍दिर प्रमुख स्‍थान रखैत अछि। मूलत: दुर्गामाताक मन्‍दिर हेबाक कारण एकर नाओं दुर्गियाना मन्‍दिर पड़ल मुदा ऐ मन्‍दिरमे आनो-आनो भगवान सबहक भव्‍य मूर्ति विराजित अछि। ई मन्‍दिर अपन भव्‍यता एवम्‍ अध्‍यात्‍मिक वातावरण हेतु सम्‍पूर्ण विश्वमे प्रसिद्ध अछि। देश-विदेशसँ हजारो तीर्थयात्री ऐठाम अबैत रहै छैथ। मन्‍दिर बहुत पुरान अछि। मूल मन्‍दिर सोलहम शताब्‍दीमे बनल छल। तेकर बाद सन्‍ १९२१ ई.मे स्‍थानीय लोकनिक मदैतसँ एकर जीर्णोद्धार कएल गेल। नव निर्मित मन्‍दिरक उद्घाटन सन्‍ १९२५ ई.मे पं. मदन मोहन मालवीय केने रहैथ। मन्‍दिरक द्वार चानीसँ बनल अछि।

पूरा मन्‍दिर चारूकातसँ सिमटल अछि। मूख्‍यत: मन्‍दिरक प्रागणमे पहुँचबाक हेतु पूल बनौल गेल अछि।

मन्‍दिरक बनाबट ओ साज-सज्‍जा स्‍वर्ण मन्‍दिरसँ मिलैत अछि।

मन्‍दिरक प्रागणमे सीतामाता ओ हनुमानजीक मन्‍दिर अछि। सन्‍ २०१३ सँ मन्‍दिर एवम्‍ मन्‍दिरक आसपासक परिसरक जीर्णोद्धारक कार्यक्रम चलि रहल अछि जेकर पूर्णतापर मन्‍दिरक भव्‍यता ओ सौन्‍दर्य पराकाष्‍ठापर पहुँच जाएत।

कहल जाइत अछि जे लवकुश हनुमानजीकेँ अहीठाम बान्‍हि देने रहैथ। अश्वमेध यज्ञक घोड़ाकेँ बान्‍हि देने रहैथ। लक्षमण, भरत, शत्रुध्‍न सभ एतइ पराजित भऽ गेल रहैथ। हुनका सभकेँ जीएबाक हेतु देवता सभ अमृत अनने रहैथ ओ शेष अमृतकेँ माटिमे गाड़ि देल गेल छल। जहूसँ ऐ शहरक नाओं अमृतसर पड़ल।

हम सभ अमृतसरक प्रसिद्ध दुर्गिआना मन्‍दिरमे घन्‍टो घुमैत रहलौं। पूजा-पाठ केलौं ओ एकर भव्‍यताक आनन्‍द उठेलौं। पं. मदन मोहन मालवीयजीक बारम्‍बार धियान अबैत रहल जे ऐ मन्‍दिरकेँ वर्तमान स्‍वरुपक नायक रहैथ।

घुमैत-घुमैत हम सभ थाकि गेल रही। रौद बहुत करगर रहइ। हमर श्रमतीजी सेहो बहुत थाकि गेल छेली। अस्‍तु हम सभ ओइठामसँ सोझे सीपीडब्‍ल्‍यूडी गेष्‍ट हाउस स्‍थित अपन डेरा पहुँच गेलौं।

घर घुमैत काल रस्‍ता भरि सोचैत रहलौं जे एतेक भारी तीर्थ स्‍थानमे जालियावाला वाग सन क्रूड़, वर्वर, नरसंहार केना भेल? सही कहल जाइत अछि जे सत्ताक नशामे मनुख पिशाच भऽ जाइत अछि। ओकर मानवीय संवेदना नष्‍ट भऽ जाइ छइ। मनुख ओकरा लेल मात्र एकटा मशीन रहि जाइत अछि जे आदेशक पालन करैत-करैत अपनहि बन्‍धु-बान्‍धवक खूनक धार बहा सकैत अछि। जेना कि जालियावाला वागमे अंग्रेजी हुकुमत केलक। हिन्‍दू, मुसलमान, सिख आदि सभ धर्मक लोक लोकक खून एक भऽ गेल छल, जालियावाला वाग चिकैर-चिकैर कऽ कहि रहल छल-

ऐ अत्‍याचारी निकृष्‍ट अंग्रेजी हुकुमत, आब बर्दास्‍त जोग नहि रहल। आब आर जुलुम नहि सहल जाएत..!”

जालियावाला वागक काण्‍ड सम्‍पूर्ण देशक आत्‍माकेँ झकझोरि देलक। एकर बदलामे उधम सिंह विलायत जा कऽ माइकल डायरक[1] हत्‍या कऽ देलक आ स्‍वयं फाँसी चढ़ि गेल।  (माइकल डायर ओहि काण्डकसमय मे पण्जाब प्रानतक लेफ्टीनेन्ट गभर्नर छला)

 

दोसर दिन साँझमे हमरा लोकनि बाधा वोर्डरपर होमएबला झण्डा उतारबाक कार्यक्रम देखए गेलौं। ओइ कार्यक्रमक आकर्षण अमृतसर गेनिहार प्रत्‍येक पर्यटककेँ रहैत छइ।

भारत ओ पाकिस्‍तानक सीमा सुरक्षा बलक जवान सभ नाना प्रकारक करतब करैत आगू-पाछू बढ़ैत रहै छैथ। कखनो टाँगकेँ धराम-दे आगाँ तँ कखनो हाथकेँ फरकबैत पाछाँ करैत ओ सभ एक-दोसरकेँ कखनेा सिनेह करैत तँ कखनो आक्रमण मुद्रामे आबि जाइ छैथ। अपना देशक लोक जेतेक बेर हिन्‍दूस्‍तान जिन्‍दावाद कहैत तेतेक बेर सटले सीमापर सँ ओइ देशक नारा सभ लगैत रहैत अछि। 

कुल मिला कऽ सम्‍पूर्ण वातावरण देश-भक्‍तिसँ भरल रहैत अछि। उत्तेजक ओ भावुक महौलक वावजूद सैनिक सभ संयत रहै छैथ आ क्रमश: अपन-अपन देशक झण्‍डा उतारि कऽ वधा बोर्डरक गेटकेँ बन्‍द कऽ लइ छैथ। 

विशेष अवसर जेना ईद, दिवाली आ दुनू देशक स्‍वतंत्रता दिवस आदिपर एक-दोसरकेँ मिठाइक डिब्‍बाक आदान-प्रदान सेहो होइत अछि। कुल मिला कऽ ई कार्यक्रम दुनू देशक नागरिकक वर्तमान परिस्‍थितिपर सोचबाक हेतु मजबूर कए दैत अछि।

दुनू देशक लोक हजारोक तादादमे आमने-सामने बैसए आ शान्‍तिपूर्ण महौलमे मनोरंजक कार्यक्रम देखए से अपना-आपमे एकटा मिसाल अछि। भऽ सकैए एकर सकारात्‍मक प्रभाव दुनू देशक जनता ओ सरकारपर पड़इ।

एवम्‍ प्रकारेण अमृतसरक संक्षिप्‍त प्रवासक अन्‍त भऽ रहल छल। हमरा लोकनि प्रात भेने अमृतसर दिल्‍ली शताब्‍दी एक्‍सप्रेस पकैड़ कऽ दिल्‍ली विदा भऽ गेल रही। सुविधा सम्‍पन्न द्रुतगामी ई गाड़ी जल्‍दीए घर पहुँच गेल आ हम सभ अपन यात्राक आनन्‍दक चर्च करैत केतेको दिन धरि आनन्‍दमे रहलौं।


तिथि : ०१ अगस्‍त २०१७, शब्‍द संख्‍या : १५१६



[1] माइकल डायर जालियावाला वाग काण्‍डक समय पंजावक लेफ्टिनेन्‍ट जेनरल छल।



शुक्रवार, 18 अगस्त 2017

सेवा निवृत्तिक बाद




 


सेवा निवृत्तिक बाद


सेवा निवृतिक समय लगिचाइते हमर केतेको इष्ट-मित्र लोकनि पुछए लगला जे अहाँ एतेक काजुल छी, एतेक सक्रिय रहै छी; सेवा निवृत्तिक बाद केना समय कटत? मुदा हमरा अपना कोनो कहियो चिन्‍ता नहि रहए जे आगू की हएत, केना समय काटब। सदिखन मोन रहैत छल आ रहितो अछि जे जे भगवान करथिन से नीके करथिन आ नीके हएत। कहबी छइ जे अपना मोनक हो तँ नीक, जे अपना मोनक नहि होइत अछि तँ ओकरा भगवानक इच्‍छा बुझि कऽ आरो नीक बुझि स्‍वीकार करक चाही। फेर सेवा निवृत्ति कोनो दुर्घटना नहि थिक। सरकारक एकटा सुनियोजित योजनाक तहत सेवा निवृत्ति भऽ जाइत अछि।

सेवा निवृत्तिसँ किछु बर्ख पूर्वे जहिन हम सासुर जाइ तँ किछु गोटे पुछैथ- मिसर! रिटायर भऽ गेलिऐ की?”

तैपर हम कहिऐन-

अखन सवा साल बाँकी अछि।

ई सुनिते कएक गोटा निराश भऽ जाइ छला जे ई आदमी केतेक नौकरी करता। बात किछु सहियो छेलै, कारण २१मे सालक पछाइतसँ हम नौकरी शुरू केलौं आ लगभग ४० साल धरि नौकरी केलौं। ओइ दौरान एक-सँ-एक नीक लोक भेटला आ केतेको दुष्टजन सभसँ सेहो पाला पड़ल। समयक स्वभाव होइ छै जे ओ बीति जाइते अछि। केहनो कष्टकारी समयक अन्त भऽ जाइत अछि। जरूरी खाली धैर्यक।

सेवा निवृत्तिक चारि साल लगिचा रहल अछि। ठाठसँ समय निकैल गेल। ईश्वरक असीम कृपासँ पूर्ण स्‍वस्‍थ छी आ निरन्तर कार्यशील छी। पैछला दू सालसँ स्‍पेशल मेट्रोपोलीटन मजिष्ट्रेटदिल्ली–क पदपर छी। एक प्रकारक नवीन कार्य क्षेत्र अछि जेकरा हम आनन्द पूर्वक सम्पन्न कऽ रहल छी।

हम दिल्ली विश्वविद्यालयक सायंकालीन कक्षासँ विधि स्नातक केने रही। वएह डिग्री आब काज आबि रहल अछि। सेवा निवृत होइते वार कौंसिल ऑफ देल्ही (BCD) मे ओकीलक निबन्धन करेलौं। तेकर पछाइत लगभग डेढ़ बर्ख धरि नियमित रूपे केन्द्रीय प्रशासनिक प्राधिकरण दिल्लीमे जाइत रहलौं। कारी कोट, उज्तर फीतानुमा टाइ, कारी पैन्‍ट पहीरि जखन घरसँ निकली तँ कएक बेर अपनो आश्चर्य लगैत रहए।

वकालतक काज हम शुरूतँ कऽ लेलौं मुदा ओइठामक महौलमे हम कहियो रमि नहि सकलौं, कारण देखिऐ जे अधिकांश ओकील अपन मुअक्कलसँ पैसा टानक चक्करमे रहैत छल। केस जीतब, हारबसँ कोनो मतलब नहि। सभ पार्टीकेँ ओ लोकनि कहैथ-

आपका केस तो बहुत स्‍ट्रांग है। हम आपको रिलीफ दिला कर रहेंगे।

मुदा जहाँ ने कि पाइ जेबीमे आएल कि तेकर बाद पार्टी अपन ओकील साहैबक पाछू-पाछू घुमैत रहथु...।

हम ऐ प्रपंची कारोबारसँ किछुए दिनमे उबि गेलौं। फेर जे किछु पुरना ओकील सभ छला, ओ तेहेन कऽ बकुटने छला जे आन ओकील सभ लग शाइते कियो फटकइ।

केन्द्रीय प्रशासनिक प्राधिकरण दिल्लीमे चारि-पाँचटा ओकील लग लगभग ८० प्रतिशत काज रहइ। शेष २० प्रतिशतमे सैकड़ो ओकील। प्रशासनिक नियम ओ कानूनक विषयसँ हम सालो जुड़ल रहलौं मुदा तेकर उपयोग ओकालतमे तखन होइत जखन कोनो मामला भेटैत। कहियो काल जँ कियो टकराइयो गेल तँ ओकर मामलामे कोनो जान नहि रहैत छेलै, तथापि मुअक्कल केस लड़ैले तनतनाइत रहैत छल। ओकरा हम बुझबैक चेष्टा करिऐ जे मामला कमजोर अछि, अहाँ हारि जाएब। विभागीय स्‍तरसँ सोझराबक परियास करू। मुदा ई बात कियो सुनए नहि चाहैत। हमर ऐ रूखिसँ आर ओकील सभ चकित रहैथ। कएक बेर कहबो करैथ-  

 ओकीलक काज मामलाकेँ कोटमे लड़ब छिऐ, ने कि मुअक्कलकेँ एहन सलाह दऽ कऽ भड़का देब। एनामे तँ हमरो सबहक पेट काटल जाएत।

झूठ-फूस कोनो बातकेँ बतंगर करि कऽ मोकदमा लऽ कऽ ठाढ़ भऽ जाइत। केतेक ओकीलकेँ तँ फर्जी कागज बनबैत सेहे देखिऐन।

..ई सभ बात देख-सुनि हमरा निश्चय भऽ गेल जे ओकालत छोड़ि किछु आर काज करी। कए ठाम अपन परिचय पठौलिऐक। तीन ठामसँ बेरा-बेरी हमरा सलाहकारक लेल नियुक्ति भेटल। मुदा हम काज पकड़लौं नीलीटमे। नीलीटक कार्यालय इलेक्ट्रॉनिक्स विभाग, सीजीओ कम्पलेक्समे अछि। काज तँ पकैड़ लेलौं मुदा ओइ ठाम ने बैसबाक ठेकान रहै आ ने काजक। अढ़ाइ मास धरि नित्य आबी आ जाइ मुदा काज किछु नहि। ओना, दरमाहा पूरा भेट जाइत छल। रजिष्ट्रार उड़िया छला। हुनका कहिऐन जे किछु करू तँ ओ      जवाब दैथ-

हो जाएगा। अच्छा होगा। देर से होगा पर अच्छा होगा।

इत्यादि। खाली बेफजूलक बात सभ करैथ। बिनु काजक अठ-अठ घन्‍टा समय बितेनाइ हमरा लेल पहाड़ जकाँ छल, दुरुह छल। इलेक्ट्रॉनिक्स विभागक भवनक अन्‍दरे-अन्दर केतेको बेर चक्कर लगाबी, अखबार पढ़ी, लंचक समयमे बाहरो घुमी मुदा तैयो बहुत रास समय रहि जाइत छल। हाजिरी हेतु वायोमेट्रीक मशीन लागल छेलइ। तँए भोरे ९ बजे पहुँचब आ साढ़े पाँच बजे साँझ तक रहब जरूरीए छेलइ। बैसक हेतु सोझाक एकटा भाग छल जे लगातार बैसबाक कारण एक बीत धँसि गेल। यएह सभ चलि रहल छल कि हमर चयन दिल्ली उच्च न्‍यायालय द्वारा स्‍पेशल मेट्रोपोलीटन मजिष्ट्रेक पदक हेतु भऽ जेबाक अधिसूचना जारी भेल। हम ऐ पद हेतु लगभग सवा साल पूर्व दरर्वास्‍त देने रही। एकर जानकारी भेटिते हम नीलीटक सलाहकारक काजसँ इस्‍तीफा दऽ देलौं।

ओइ समय हमर माएक हमरा संगे इन्दरापुरममे डेरापर रहैथ। भेल जे जाबत नया काज भेटत, पूरा समय माएक सेवा करब। संयोग एहेन भेल जे स्पेशल मेट्रोपोलीटन मजिष्ट्रेटक पद ग्रहण करबामे अढ़ाइ मास आर लागि गेल, कारण दिल्ली-सरकार द्वारा अधिसूचनामे बिलंब। हलाँकि एतेक समय लागि जेतै से अनुमान नहि छल। खाएर, जेना-तेना ओहो समय कटल आ हम माएक सेवा करैत स्‍पेशल मेट्रोपोलीटन मजिष्ट्रेटक पदाभार २ सितम्‍बर २०१५ क ग्रहण कएल। जिला न्‍यायाधीश द्वारा शपथ ग्रहणक बाद तीन सप्ताहक प्रशिक्षण देल गेल। तेकर बाद हम उत्तरी दिल्ली नगर निगमक यमुना बिहारमे काज प्रारम्भ केलौं। तहियासँ माने २०१५ ईस्‍वीसँ लगातार हम ऐ काजमे लागल छी।

सरकारी सेवासँ निवृत्तिक पछाइत सामान्‍यत: एहेन पद भेटब ओहो बिना सिफारिशक, कम-सँ-कम हमरा लेल चमत्कारे कहक चाही। ऐ काजमे कोनो दवाब नहि रहैत अछि। काजमे कियो हस्‍तक्षेप नहि कए सकैत अछि। तय न्‍यायिक प्रक्रियाक तहत हम स्‍वयं निर्णय लऽ सकै छी। संगे प्रथम श्रेणीक दण्‍डाधिकारीक दर्जा सेहो रहैत अछि।  

हमर केतेको परिचितकेँ हमर ऐ काजक बारेमे सुनि कऽ नीक छगुन्ता लगलैन। केतेक गोटा अपन अभिमत दैत रहै छैथ जे-

भने रिटायर भऽ गेल छला, फेरसँ ई सभ करब की मतलब छइ..!”

खाएर.., लोककेँ जे बुझाइत हौउ मुदा हमरा सदैव काज करैमे नीक लगैत अछि, आ ई काज तँ आरो नीक लागिये रहल अछि। एकटा दिनचर्या बनल रहैत अछि। अखन किछु समय आरो ई काज चलत। तेकर आगाँ भगवान मालिक...। 

सेवा निवृत्तिक बाद किछु दिन लोदी कालोनी स्‍थित सरकारीए आवासमे रही। लोदी गार्डेन लगमे छल। भोरक टहलब नियमित छल। श्री भूरे लालजीक संगे हुनकर ५०-६० गोटाक समूह नियमित व्‍यायाम करैत छल। तरह-तरह केर व्‍यायाम ओ अद्भुत मनोयोग पूर्वक करैत छला। हमरो ओइमे शामिल हेबाक लेल प्रेरित करैत रहै छला मुदा हम जानि-बुझि कऽ हटले रहलौं। जे जेतेक लोकसँ जेतेक आत्मीयता बढ़त, लोदी गार्डेन छुटलापर ओतेक कष्ट हएत। आखिर लोदी कालोनीक घर छुटल, लोदी गार्डेन छुटल। ओइठामक लोक सभ सेहो छुटला। लोदी कालोनीसँ हम सभ इन्दिरापुरम एक्सप्रेस गार्डेनमे एलौं। ऐठाम दू साल रहलौं। एतए नीक समाजिक परिवेश बनि गेल छल। स्‍वर्ण जयन्ती पार्कमे घुमै-फिरै छेलौं। किछु परान दोस-महिम सभ सेहो घुमैत-फिरैत भेटि जाइथ। परन्तु घटनाक्रम एहेन भेल जे इन्दिरापुरमसँ नोएडा डेरा लेलौं। साल भरि नोएडामे रहलौं। नोएडाक मकान बहुत नीक जगहपर छल। आस-पासमे बहुत सुविधा छल । अन्तोगत्वा ग्रेटर नोएडा स्‍थित अपन घरमे किछु दिन पूर्व आबि गेलौं। ऐठामसँ दिल्ली जाएब-आएब आ नौकरी करब थोड़ेक दुरुह जरूर भऽ गेल अछि मुदा जाबत पार लगैत अछि ताबत गाड़ी ससरा रहल छी।

समय ने केकरो लेल रूकलैए आ ने रूकतै। तँए समयकेँ व्‍यर्थ काटब अकालमृत्‍युक समान थिक। अपनाकेँ सकारात्मक काजमे लगौने रहलासँ दिन-रातिक पता नहि चलैत अछि। अन्यथा जीवन जंजाल भऽ जाइत। चलैत रहब जीवनक लक्षण थिक। आगूक रस्‍ता अपने खुजिये जाइ छै, अही बिसवासक संग अनवरत चलि रहल छी। अस्‍तु...।



गुरुवार, 17 अगस्त 2017

हमर गाम

हमर गाम
ई मोन बड़ा विचित्र चीज अछि। कहि नहि एकर कन्तोसरमे कतेक खल  होइत छै जे तरह-तरह केर गप्प-सप सालो-साल चौपेतल रहैत अछि। जखन कखनो असगर  होइत छी, गाम, गामक लोक, गामक घटना, दुर्घटना सभ मोन पडैत रहैत अछि। हमरा सबहक परबाबा तीन भाए रहथि। स्व. गुमानी मिश्र, स्व. माना मिश्र ओ स्व. तुफानी मिश्र। स्व. माना मिश्रक पुत्र स्व. कुमर मिश्र संस्कृतक प्रकाण्ड विद्वान छला। सुनैमे अबैत अछि जे दड़िभंगा महाराज हुनका अपन राज पण्‍डित बनबाक आग्रह केलखिन जे ओ अस्‍वीकार कऽ देलाह। ओ स्वयं एकटा पाठशाला चलबैत रहथि। ओहि पाठशालामे सैकड़ो विद्यार्थीकेँ नि:शुल्क भोजन आ आवासक संग विद्या दान देल जाइत छल। हुनकासँ पढ़ल सैकड़ो विद्यार्थी मिथिलांचलमे हुनकर गुणगान करैत छला।
गामक चर्चा होइते स्वर्गीय कका पण्डित चनद्रधर मिश्रक नाम सभसँ पहिने मोन पडैत अछि। ओ स्व. माना मिश्रक पुत्र छलाह।  प्रधानाध्यापक छलाह।  गाम अबितहि सभसँ पहिने हुनकासँ भेंट करी। अपन आध्यात्मिक स्वभाव एवम बिद्वतासँ निरन्तर प्रेरित करैत रहैत छलाह। गामक कतेको लोक कतेको रूपमे ध्यान रखलाह, मानलाह, मदति केलाह। आब ओ सभ एहि दुनियाँमे नहि छथि, मुदा हुनकर सभक अनुराग हम नहि बिसरि सकैत छी।ओ सभ हमरा लेल भगवाने छलाह…..
हमर गाम अड़ेर डीह। अड़रे डीह चौदह टोलक गाम अछि। पहिने एक्के पंचायतमे सभटा टोल छल। अड़ेर डीह टोल, अड़ेर पुबारी टोल, विष्‍णुपुर, जमुआरी  होइत विचरवाना तक एक्के पंचायत छल- अड़ेर। ओकर मुखिया बहुत दिन तक स्व. मार्कण्डेय भण्डारी छला आ हमर बाबूजी सरपंच रहथि।
ओहि समय ग्राम पंचायतकेँ आइ-काल्हि जकाँ अधिकार नहि रहै तथापि मुखिया-सरपंचक नाम तँ पंचायतमे विख्यात भइए जाइत छल। पंचायतक चुनाव ओहू समयमे गहमा-गहमीसँ भरल  होइत छल। हम सभ स्कूलमे पढ़ैत रही तँ चुनाव भेल रहइ। स्व. मार्कण्डेय भण्डारीजी मुखियाक चुनाव जीतल रहथि। सप्पत ग्रहण समारोहक क्रममे आयोजित उत्‍सवक प्रसंग अखनो मोनसँ मेटाएल नहि।
ओहि समयमे स्व. मार्कण्डेय भण्डारीजीक इलाकामे फूक चलैत छल। अड़ेरक सिनुआरा टोलमे हुनकर घर अछि। सभ तरहेँ सम्पन्नताक संग सामाजिक मान-सम्मान हुनका भरपूर भेटल छलनि। साँझकेँ अड़ेरक सड़कपर दल-बलक संगे हुनका टहलैत देखैत बनैत छल।
अड़ेर डीह टोलक इतिहास बहुत पुरान लगैत अछि। गाममे आब जनसंख्याक अनुपातमे आवासीय जमीन सीमित अछि। तँए घरेपर घरक दृश्य अछि। लोक सभ अगल-बगलमे घर बना रहल छथि। कलममे सेहो बास भऽ गेल अछि। सभसँ चमत्‍कारी विकास तँ चौकक लगपास भेल अछि। चौकक कातेकाते करीब-करीब दू साए दोकान खुजि गेल अछि। तरह-तरह केर थौक आपूर्ति करएबला दोकान सभ सेहो खुजि गेल अछि। असलमे अड़ेर चौकसँ चारूकात रोड बनि गेल अछि। तँए इलाकाक लोक क्रय-बिक्रयक लेल ओहिठाम पहुँचै छथि।
अड़ेरमे स्टेट बैंक ऑफ इण्‍डियाक शाखा अछि, ओकरे एटीएम सेहो अछि। थाना अछि, पोस्ट ऑफिस अछि, सरकारी डिसपेंसरी अछि। प्राइमरी स्कू, मिडिल स्कूल तथा हाइ सकूल अछि। संगे एकटा संस्कृत विद्यालय सेहो अछि जेतए सुनै छी जे विद्यार्थी सभ नदारद छथि मुदा सार्टिफिकेट भेट जाइत छैन।


गाममे तीनटा पोखरि कहि नहि कहियासँ अछि। ओकर अतिरिक्त गामक बाहर नवका पोखरि, कुट्टी लगक पोखरि सेहो अछि। गामक बीचमे पोखरि हेबाक कारण बासक जगहक दिक्कत छइ।
हम सभ जखन बच्चा रही तँ गाममे हाइ स्कूल नहि रहइ। गामक विद्यार्थी सभ पढ़बाक हेतु एकतारा, लोहा वा रहिका जाइत रहथि। एकाघ-टा विद्यार्थी मधुबनी किंवा बेनीपट्टी सेहो जाइत छला।
कहल जाइत अछि जे एकबेर अंग्रेज सभ गामक बाटे जाइत काल पहलमान सभकेँ सौरो करैत  देखलकै आ ठिठैक गेल। पुछलकै जे ई सभ डकैत छिऐ की? तँ कियो कहलकै जे नहि सरकार! ई सभ पहलमान छथि, सुखी सम्पन्न छथि आ खेती-बारी कऽ कऽ प्रतिष्ठा पूर्वक जीबैत छथि।
अड़ेरमे कमला नदीसँ जोड़ल नाला अछि जाहिमे पानि तखने अबैत अछि, जखन कि कमलामे बाढ़ि आबि जाइत अछि। कृषि काजमे ऐ नालाक योगदान नगण्य अछि। स्थानीय किसान सभ भगवानक कृपापर निर्भर छथि।
चिकित्साक मामलामे हमर गाम पिछड़ल अछि। कतहुँ-कतहुँसँ इलाज-बात  होइए। पहिने दड़िभंगामे इलाजक नीक ब्यवस्था छल। पैसा खर्च केलापर लोककेँ औरुदा रहलापर जान बाँचि जाइत छल, मुदा आब तँ भगवाने मालिक। बेमारी किछु, इलाज कथुक। हमर एकटा परिचितकेँ दड़िभंगामे ततेक करगर एन्‍टीवायोटिक देल गेल जे हुनकर दुनू किडनी फेल भऽ गेलनि। आब डयलिसिस करा कऽ कहुना जीबि रहला अछि। जतेक दिन ससरि जाइथ।
हमर गामक ब्रह्मस्थानमे सालमे एकबेर नवाह अबस्स  होइत अछि। ओहिठाम युवक सभ भव्यन्दिरक निर्माण केलथि। पहिने काली पूजामे मूर्तिक स्थापना  होइत छल जे पूजाक बाद भँसा देल जाइत छल। आब ओहिठाम स्थायी रूपसँ माँ कालीक भव्य मूर्ति स्थापित भऽ चुकल छथि। सालमे दियावातीक रातिमे भव्य आयोजन  होइत अछि जाहिमे अड़ेर चौकसँ काली मन्दिर धरि नाना प्रकारक बल्‍ब सभ जगमग करैत रहैत अछि। काली पूजामे नाच-गानक अतिरिक्त तरह-तरह केर मनोरंजनक ब्यवस्था रहैत अछि। पहिने हमरा गाममे काली पूजाक रेबाज नहि छल। लोक विष्णुपुर वा अङेर पुरवारी टोल मे । लगभग ४५ साल पूर्व किछु युवक सभ एकरा प्रारम्भ  जे तखनसँ एकटा परिपाटी भऽ गेल अछि।
अड़ेर बहुत साविक गाम अछि। मधुबनीसँ बेनीपट्टी जेबाक क्रममे ई गाम अबैत अछि। कहियासँ ई पक्का रोड बनल अछि से पता नहि। आब ओही रोडकेँ थोड़ेक चौड़गर सेहो कऽ देल गेल अछि। सीतामढ़ीक हेतु दड़िभंगा-पटनासँ जाइबला बस सभ हमरे गाम दऽ कऽ जाइत-अबैत अछि। कुल मिला कऽ देखल जाए तँ हमर गाम छोट-छीन शहरक रूप धऽ नेने अछि।
गाममे पढ़ल-लिखल लोकक कमी नहि, देशमे सर्वत्र हमरा गामक लोक भेट जेता। दिल्ली ओ मुम्बइमे तँ भरल छथि। हमरा लोकनि सोदरपुरिये मानिक मूलकक साण्‍डिल्य गोत्रीय मैथिल व्राह्मण छी। ७ पुस्त पूर्व हमरा लोकनिक पूर्वजक विवाह अड़रे डीह गाममे भेलनि आ हुनका ससुर गामेमे बसा देलखिन। पर्याप्त जमीन-जत्था देलखिन। क्रमश: ओ सभ उद्यमसँ प्रचूर धन-सम्पत्ति अर्जित कए इलाकाक प्रतिष्ठित धनीकमे मानल जाइत छला। क्रमश: परिवारक विकास होईत गेल।
जनसंख्या बढ़ैत गेल आ ओही क्रममे पारिवारिक सिरफुटौऐल सेहो बढ़ल। हम बच्चा रही तँ कए बेर कएक गोटाक आपसी मारि-पीटिमे कपार फुटैत देखिअनि। मोकदमावाजी तँ चलबे कएल। ओहि समयमे अड़ेरमे नामी पहलमान भेल रहथि स्व. बच्चा झा। हुनकर शक्तिसँ दड़िभंगा महाराज प्रभावित रहथि। सुनबामे आयल जे ओ लोहाक हथकड़ीकेँ जोर लगा कए तोरि देने छला।  
हमरा गाममे पूर्वकालमे मूलत: कृषि आधारित लोक क जीवन छल । अधिकांश लोककेँ जमीन-जत्था रहइ। गाम खुशहाल छल। दुपहरियाक समयमे बरोबरि अल्‍हा-रूदलक गीतमय कविता पाठक आयोजन ढोलकक तालपर  होइते रहै छल।
ऐ तरहकआयोजन आम छल। मुदा आब समय-साल बदलल अछि। शिक्षा दिस लोकक रूझान बढ़ल अछि। लोक अपन छोट-छोट बच्चाकेँ पढ़ाइक लेल मधुबनी पठा रहल छथि। पब्‍लिक स्कूलक चला-चलती बढ़ल अछि। शिक्षा ओ चिकित्साक समस्या हमरे गाम तक सीमित नहि अछि। ओ तँ पूरा बिहारक समस्या अछिए। तथापि लोक प्रयासरत अछि। आशा अछि, कालान्रमे हमरो गाममे चिकित्साक बेहतर ब्यवस्था भऽ सकत जाहिसँ स्थानीय लोककेँ पटना/दिल्ली नहि दौड़ए पड़तैन।
गाममे आब धनीक लोकक भरमार भऽ गेल अछि। कतेको बेकतीकेँ आर्थिक विकास बहुत भेल। गाममे जबार हएब आम बात भऽ गेल अछि। गाम लऽ कऽ भोज तँ  होइते रहैत अछि। लोक सभ कहैत रहै छथि जे ओ सभ भोज खाइत-खाइत तंग भऽ गेल छथि। कतेको गोटाकेँ ब्लड-सूगर बढ़ि जाइत छैन। रसगुल्ला-छेनाक बिना तँ कोनो भोज  होइते ने अछि।
पुरना जमानामे किलोक किलो भोजन चट केनिहार लोक सबहक खिस्सा सुनैत रहै छलहुँ मुदा आइयो-काल्हि एहन एकाध बेकती हमरा गाममे मौजूद छथि। जँ अपनेकेँ धैर्य जवाब नहि दऽ दिए तँ हुनकर भोजनक क्रममे कदमताल देख सकैत छी। हुनका द्वारा खाएळ गेल रसगुल्लाक गिनतीक हेतु जन लगबए पड़ि सकैत अछि। भोजनोपरान् लदबद चलैत अपन घर आपस जाइत हुनका देख छगुन्तामे पड़ि जाएब। आखिर ओ केना जीब रहल छथि? आश्चर्य..!
एतेक भोज  होइत रहैत अछि, मुदा सभजाना भोजमे अखनो स्‍त्रीगणकेँ शामिल नहि कएल जाइत अछि। जँ ब्यवस्थापक नीक छथि तँ घरे-घर खएक (पारस) पहुँचा दइ छथिन, मुदा ओहो दुपहर रातिमे जखन कि कियो स्‍त्रीगण भोजक प्रतीक्षा मजबुरियेमे कए सकैत छथि ।
हम गाहे-वगाहे ऐ ब्यवस्थामे सुधारक चर्च करै छी, मुदा ग्रामीण ब्यवस्थामे सुधारक गुनजाइश सहज नहि  होइत अछि। देखै छी, आगाँ की  होइत अछि।
हमरा गाममे हाइ स्कूलक स्थापना हेतु इलाकाक गणमान्य लोक सभ प्रयास केलाह। ओहिमे हमर बाबूजी सेहो अत्यन् सक्रिय रहथि। स्व. बच्चा झाक परिवारक लोक बहुत रास योगदान देलेथि। स्थानीय लोक सभ सेहो योगदान केलखिन जाहिसँ हाइ स्कूलक नाम- च्चा झा जनता उच्च विद्यालय- अड़ेर पड़ल। किछु दिन धरि ओ विद्यालय पंचायत भवनमे चलैत छल। क्रमश: विद्यालयक अपन पक्का मकान एवम्‍ आन-आन सुविधा भेल।
गेनखेलीक हेतु हमर गाम प्रसिद्ध छल। अंग्रेजी हुकुमतक लोक सभ हमरा गामक लोक सबहक गेनखलीमे अभिरुचि देख दंग रहथि। हमर बाबूजी सेहो ऐमे माहिर रहथि। कतेको मेडल हुनका भेटल छल। गेनखेलीसँ प्रभावित भऽ अंग्रेज अधिकारी सभ हमरा गामक कएक गोटाकेँ छोट-मोट नौकरी धरा देलखिन। अड़ेरक फुटबॉल टीमसँ बड़का-बड़का शहरक टीम सभ घबड़ाइत छला।
हम सभ जखन बच्चा रही तखनो विष्‍णुपुरक मैदानक गेनखेलीमे बाबूजीकेँ भाग लैत देखिअनि। कए दिन हुनका पैरमे चोट लागि जाइन। चोट सबहक देशी इलाज  होइत छल।
आब समय-साल बदलल अछि। गामोमे लोकक आपसी सम्पर्क क्षीण भऽ गेल अछि। फगुआ सन पाबैनमे लोक अपन दरबज्जा ओगरने रहैत अछि तथापि गाम तँ गामे अछि। 
 आशा करै छी जे कालान्रमे क्रमश: हमरा गाममे आर सभ सुविधा  होयत जकर कल्‍पना सुखद जीवनक हेतु कएल जाइत अछि। जाहि प्रकारक चौहद्दी हमर गामक अछि तइमे एकरा विकासक शिखर तक पहुँचनाइ एक सफल स्वपन्न भऽ सकैत अछि, वशर्ते गामक युवा शक्ति रचनात्मक रूख धरैत सही दिशामे अग्रसर  होइथ।


पहिल नौकरी


पहिल नौकरी


दड़िभंगामे हम पाँच सालसँ किछु बेसीए दिन रहलौं। तीन साल तँ सी.एम.कौलेजमे पढ़ैत विद्यार्थी रही। ओइ समय विज्ञान, कला, वाणिज्‍य सभ संकाय मिला कऽ एक्के कौलेज छल। सी.एम.कौलेज-दड़िभंगासँ हम बी.एस-सी. (भौतिकी प्रतिष्‍ठा) पास केलौं। बी.एस-सी केला बाद आगू की करी ई समस्‍या छल। पीक्षाफल बिलमसँ एबाक कारणे एम.एस-सी.क नामांकन सेहो बन्‍द भऽ गेल रहइ। ओहुना ओइ समैमे पढ़ाइ-लिखाइक क्षेत्रमे सम्‍पूर्ण बिहारमे अराजकता छल। परीक्षामे नकल करब तथा नकल कराएब दुनू गौरवक गप छल। विद्यार्थी सबहक अभिभावक सभ पुर्जी पहुँचबैले जान लगौने रहैथ। ऐ परिस्‍थितिमे बिहारक तेतेक बदनामी भऽ गेल छल जे सहियो विद्यार्थीक योग्‍यतापर प्रश्‍न चिन्‍ह लागि जाइत छल।

ओइ समयमे डाक-तार विभागमे दूरभाष निरीक्षकक पदक रिक्तिक विज्ञापन निकलल रहइ। हम मधुबनी पोस्‍ट ऑफिसमे आवेदन-पत्रक लेल एकटा आग्रह पोस्‍ट कार्डपर लिखि खसा देलिऐ। किछुए दिनमे आवेदन-पत्र प्राप्‍त भेल।

आवेदन-पत्र प्राप्‍त होइते भरि कऽ आइ.एस-सी.क अंक-पत्रक संग पठा देलिऐ।

आइ.एस-सी.क प्राप्‍तांकक आधारपर ओइ पदपर चयन हेबाक रहइ। हमरा आइ.एस-सी. परीक्षामे बहुत नीक प्राप्‍तांक छल। किछुए मासक बाद हमरा पटना टेलीफोन विभागसँ दूरभाष निरीक्षकक पदक हेतु नियुक्‍ति-पत्र भेटल।

नियुक्‍ति-पत्र भेटलाक बाद असमंजसक स्‍थिति बनि गेल, कारण हम बहुत महात्‍वाकांक्षी रही। पैघ पदपर जेबाक इच्‍छा रहए, तइ हेतु तैयारीक कार्यक्रम छल, मुदा हाथमे आएल लक्ष्‍मीकेँ लात मारब नीक नहि, ई बात केतेको गोटे कहैथ। अछताइत-पछताइत ओइ नियुक्‍तिकेँ स्‍वीकार करैत अगस्‍त १९७३मे राँची प्रशिक्षण हेतु चल गेलौं। 

राँची टेलीफोन एक्‍सचेंजक भूतलपर प्रशिक्षणक बेवस्‍था छल। ओइ प्रशिक्षणमे कएटा नीक-नीक विद्यार्थी सभ छला। कए गोटा एम.एस-सी. सेहो केने रहैथ। सरकारी नौकरीक बात छेलइ। सभ आँखि मूनि कऽ पकैड़ लेलक।

राँचीमे छह मासक प्रशिक्षणक बाद हमर तीन मासक बेवहारिक प्रशिक्षण-लहेरियासराय टेलीफोन एक्‍सचेंजमे भेल। ओइ क्रममे बलभद्रपुर, लहेरियासरायमे एकटा विद्यार्थीक संग डेरा रहए। एक दिन ओ विद्यार्थी गाम चलि गेला आ हमरा कोठरीक कुंजी नहि रहए। लातसँ तेतेक जोरसँ केबाड़मे धक्का मारलिऐ जे टुटि गेल। बादमे मकान मालिक नाराजगी व्‍यक्‍त केलाह, मुदा बात जेना-तेना शान्‍त भऽ गेल।

ओइ प्रशिक्षणक दौरान फगुआमे हम गाम एलौं आ २-३ दिन फाजिल रहि गेलौं। फोन विभागमे झाजी इन्‍जीनियरिंगक सुपरवाइजर रहैथ। वएह हमर हाकिम छला। हमरा डराबए लगला। की जे प्रशिक्षण अधूरा रहि गेल, ब्रेक लागि गेल। मुदा असलमे किछु नहि भेल। हमर प्रशिक्षण समयसँ पूरा भेल आ हम जमशेदपुरमे ३ मई १९७४ क पदभार ग्रहण कएल। ओहीठाम एकटा आर संगी पदभार ग्रहण केलैथ। सरकारी काज करबाक हमरा किछु अनुभव नहि छल। एसडीओ फोन्‍स बड़ा करगर अधिकारी रहैथ। अपन डाँटसँ अधीनस्‍थ सबहक सीटीपीटी गुम केने रहैत छला।

जमशेदपुर ओइ समयमे बिहारक सुव्‍यवस्‍थित एवम्‍ साफ-सुथरा शहरमे मानल जाइत छल। छुट्टीक दिन शहरमे केतौ-केतौ घुमबाक कार्यक्रम बरबैर बनबैत रही। साक्‍ची ओ विष्‍टुपुरमे तरह-तरहक दोकान सभ छेलइ। जुबली पार्कमे घुमब आनन्‍ददायी छल। ओइ पार्कमे टहलबसँ हम आनन्‍दक अनुभव करैत रही। एक दिन मौका पाबि कऽ हम टाटा स्‍टीलक अन्‍दरसँ देखबाक अवसर सेहो प्राप्‍त कएल। अति उच्‍च तापक्रमपर लोहाकेँ गला कऽ द्रव्‍य रूपेमे एकठाम-सँ-दोसरठाम जाइत देखलौं। भयानक रूपसँ लाल रहैत छल ओ तरल लोहा।

हमर रूमेट सिगरेट पीबैत छला। शुरूक एक मास तँ कहुना कऽ हुनका संग बितौल मुदा आगाँ बहुत दिन धरि हुनका संग चलब सम्‍भव नहि बुझाएल। एक दिन हम हुनका स्‍पष्‍ट कहलिऐन जे या तँ अहाँ सिगरेट छोड़ू नहि तँ अहॉंकेँ हम छोड़ि अलग डेरा लऽ लेब। ओ सिगरेट नहि, छोड़ि सकला आ हम अलग डेरा लऽ लेलौं। 

जमशेदपुरमे रहैत केन्‍द्रीय सिभिल सर्भिसेजक (संघ लोक सेवा आयोगक) परीक्षा हेतु छुट्टीक काज छल।  अधिकारीगण छुट्टी मना कऽ देला। अन्‍तमे हम बिना अनुमतियेक ओतए-सँ घसैक गेलौं आ करीब एक मासक बाद परीक्षा दऽ कऽ आपस एलौं।

एसडीओ फोन्‍सकेँ मोटर साइकिलपर अबैत देखलयैन, हुनका देखते देबाल फानि कऽ एकटा दोकानपर बैस गेलौं। मोनमे तरह-तरह केर आशंका रहए। हम बाटे तकैत रही कि हुनकर बुलाबा आबि गेल आ तरह-तरह केर उपदेश ओ देलाह।

एवम्‍-प्रकारेण लगभग आठ मास धरि ओतए नौकरी केलौं, पछाइत बाबूजीक प्रयाससँ हमर स्‍थानान्‍तरण जमशेदपुरसँ डीइटी दड़िभंगाक अधीन भऽ गेल। मुदा एसडीओ फोन्‍स कार्यमुक्‍त करैमे नाकर-नुकुर करैत छला। हम जल्‍दीसँ जल्‍दी दड़िभंगा आबि कार्यभार ग्रहण करए चाही। हमर सहकर्मीक सेहो स्‍थानान्‍तरण दड़िभंगे भेल रहैन। ओ पहिने कार्यमुक्‍त भऽ ओतए पहुँच गेल छला। एसडीओ फोन्‍स हमरा लटकौने छेलैथ।

प्रात:काल भोरे-भोर हम डीइटीक डेरापर पहुँचलौं। ओहीठाम लेखाधिकारी सेहो रहैत छला। हम हुनका सभटा बात कहलयैन। ओ बहुत सहृदय बेकती छला। हमरासँ पुछलैन जे आखिर अहाँक बदली केना भेल। तँ कहलयैन जे बाबूजी पटना जा कऽ किछु प्रयास केलैन जइसँ हमर स्‍थानान्‍तरण दड़िभंगा डिवीजन भेल अछि। हमरा दड़िभंगा जाएब बहुत जरूरी अछि। आदि-आदि। सभ बात सुनि ओ आश्वासन देला जे अहाँक आइ अबस्‍स कार्यमुक्‍ति कए देल जाएत। भेबो कएल सएह।

कार्यालय खुजिते ओ एसडीओ फोन्‍सकेँ फोनपर आदेश देलखिन जइसँ ओ तिलमिला गेला। मुदा हमरा ओइ दिन ओइठामसँ कार्यमुक्‍त कए देल गेल।

साँझमे बससँ दड़िभंगा विदा भेलौं। दड़िभंगा पहुँचलापर पता लागल जे दुइएटा जगह खाली छइ। एकटा जयनगरमे आ दोसर सुपौलमे। जयनगरक खाली पदपर हमर संगी अपन जोगार लगा लेलैन। आब रहि गेल सुपौल। कोनो दोसर उपाय नहि देख हम सुपौलक रस्‍ता पकड़लौं। सहरसा बाटे सुपौल ट्रेनसँ जाएब ओइ समयमे बेस टेढ़ काज छल। तथापि ओतए पहुँच कार्यभार ग्रहण कएल।

छोट-छीन टेलीफोन एक्‍सचेंज छल जइमे किछु ऑपरेटर, एकटा मेकेनिक पहिनेसँ कार्यरत छल। हम ओतए वरिष्‍ठतम बेकती छेलौं। सहरसामे उच्‍च अधिकारी बैसैत छला जे फोन द्वारा तरह-तरह केर आदेश पठबैत रहै छेलखिन।

सुपौल छोट-छीन नीक शहर बुझाएल। ओइठामक माड़वाड़ी बासाक उत्तम ओ स्‍वादिष्‍ट भोजनक स्‍मरण कए अखनो जीहमे पानि आबि जाइत अछि। ओइठाम रेलबे स्‍टेशनक ठीक सामने लाल कोठीक एकटा कोठरीमे हम आ पोस्‍टमास्‍टर डेरा लेने रही। पोस्‍ट मास्‍टर बहुत कर्मठ छला। भोरे जाथि तँ देर राति थाकल-झमारल अबैथ। हुनका संगे तेकर बाद हँसी-ठठा होइत छल।

ओही डेरामे रहैत हमरा पोसुआ कुकुर काटि लेलक आ दोसरे दिन ओ कुकुर मरि गेल। आब तँ बड़ चिन्‍तामे पड़ि गेलौं। नमगर-नमगर चौदहटा सूई पेटक अँतरीमे लगबए पड़ल। एक दिन सुई लगबिते काल एकटा घटक आबि गेला। सूई लगबैत देख लेला से चिन्‍तामे पड़ि गेलौं। ओना, कोनो कारणसँ ओ कथा नहि पटल। किछु दिन बाद हमर ससुर अपन अनुज ओ एकटा आर बेकतीक संग विवाहक क्रममे हमरासँ गप करए टेलीफोन एक्‍सचेंज- सुपौल आएल रहैथ। हुनका सभकेँ यथासम्‍भव स्‍वागत कएल। विवाहक आहटसँ मोनमे प्रसन्नता छल। जे जे पुछला, सभ उत्तर देलिऐन।

साँझमे हमर पितिया ससुर डेरापर सेहो एला। डेराक हालत तँ वर्णन जोग नहियेँ छल। ऊपरसँ हमरा गंजी मइल छल से बात हमर ससुरकेँ पता लगलैन। ओ चिन्‍तामे पड़ि गेला, कारण ओ स्‍वयं बहुत साफ-सुथरा रहैत छला।

सुपौलक दही आ पेरा बड़ नामी छल। ऒहिठिमक अति स्‍वादिष्‍ट पेरा खेबाक स्‍मरण होइते अखनौं मुँहमे पानि आबि जाइत अछि।

किछु दिनक बाद हमर स्‍थानान्‍तरण सुपौलसँ दड़िभंगा डीइटी ऑफिसमे भऽ गेल। ३ जून १९७४ क हम डीइटी दड़िभंगाक कार्यालयमे पदभार ग्रहण कए जखन गाम पहुँचलौं तँ दरबज्‍जापर अलगे प्रकारक गहमा-गहमी पसरल छल। हमर संगी एवम्‍ मित्र- लाल बच्‍चा (स्‍व. प्रो. विष्‍णु कान्‍त मिश्र) कहला जे हमर बिआह ठीक भऽ गेल अछि। क्रमश: सभटा जानकारी भेटल। प्रात भेने माने ४ जून १९७५ केँ हमर बिआह छल। कोनो जानकारी नहि हेबाक कारण हम ओही दिन कार्यालय जा एकाएक विवाहक हेतु छुट्टीक आवेदन देलिऐ आ तखन रातिमे आठ बजे दड़िभंगासँ गाम एलौं...।

कार्यालयमे ई समाचार बिजलौका जकाँ पसैर गेल। चारूकातसँ वधाइ दैत सहकर्मी लोकनि हमर आनन्‍दकेँ कएक गुना बढ़ा देला।

गाम पहुँचते विवाहक तैयारीमे लागि गेलौं। गाड़ी सभ लागल छल। बिरयाती तैयार छल आ बरक प्रतीक्षा छल। बरकेँ अबिते धराधर विध सभ पूरा कएल गेल।

हमर पितिया ससुर हथधरीक हेतु आएल रहैथ। ओ बिच्‍चे दरबज्‍जापर धोती-कुर्ता पहिरने हमर प्रतीक्षामे बैसल रहैथ। आर-आर लोक सभ दरबज्‍जापर मुस्‍तैद छला। हमर मित्रगण सभ सेहो मौजूद छल।

हथधरी भेल। बरियाती सभ चटपट गाड़ीमे बैसल। कुल १९ गोट बरियाती छल जे ओइ समयक हिसाबे बेसीए छल। नहि तँ पहिने पाँचटा-सातटा बरियाती पर्याप्‍त होइत छेलइ। बरियातीक संख्‍या लऽ कऽ जे अपना समाजमे रेबाज बदलल अछि से दुर्भाग्‍यपूर्ण, कारण सैकड़ोक तादादमे गाम-गामसँ बरियातीकेँ लादि कऽ कन्‍याक पिताक माथपर पटैक देब कोनो वुद्धिमानी नहि कहल जा सकैत अछि। व्‍यर्थक परेशानीक अलाबा आर्थिक क्षति सेहो होइत अछि, जेकर कोनो केकरो लाभ नहि।

..ओइ समयमे सीमित संख्‍यामे बरियाती जाइत छल तँ ओकर शोभे अलग रहै छेलइ। एक-एक बेकतीपर पर्याप्‍त धियान देल जाइत छल। बरियाती सबहक बेकतीगत परिचय होइत छल। आब तँ ढाकक ढाक बरियाती जाइ छैथ आ दुपहरिये-रातियेमे खुआ-पिआ कऽ विदा कए देल जाइत छैन।

हमरा लोकनि दस बजे रातिमे पण्‍डौल डीह टोल पहुँचलौं। गीत-नादक मनोरम वातावरणमे विवाहक प्रक्रिया सम्‍पन्न भेल। ऐसँ जीवन संगिनीक रूपमे आशा मिश्र भेटली जे ओइ समयमे मात्र १७ बर्खक छेली आ हमर उमेर २२ बर्ख छल। अद्यतन हमरा जिनगीमे ओ संगे सुख-दुखक सहभागी छैथ जइसँ हम नाना प्रकारक झंझावातसँ उवैर जीवनक ऐ पड़ावपर ठाढ़ छी।

लगभग दस दिनक अवकाश समाप्‍तिपर छल। विवाहोपरान्‍त हम गाम आएल रही। माय केतेक प्रसन्न भेल रहैथ तेकर वर्णन करब असम्‍भव अछि। हमर पितिआइन सभ सेहो उत्‍सुकतावश कनियाँ ओ ओकर परिवारक विषयमे पुछैत रहली...।

प्रात भेने कार्यालय गेलौं तँ सभ कियो हमरा उत्‍सुकतासँ हाल-चाल पुछैत, फाटो सभ देखैथ। ऐ तरहेँ केतेको दिन बीति गेल।

एक दिन कार्यालयसँ झटैक कऽ दड़िभंगा बस स्‍टेण्‍डपर बस पकड़ए जाइत रही कि पाछूसँ अबाज सुनबामे आएल-

मिसरजी! सासुर जा रहल छी की?”

डेगक गतिक अनुमान कए ओ हमर सासुरक यात्राक अन्‍दाज लगा लेला जे एकदम सही छल। दड़िभंगा कार्यालय लगमे रहबाक कारण ओइठामसँ पण्‍डौल जाएब असान रहै छल। छुट्टी नहि लेबए पड़ैत छल।

डीइटी दड़िभंगा कार्यालयमे हम करीब दू साल काज केलौं। काज तँ कोनो खास नहि छल। पुरान टेलीफोनक बकाया असूली करक रहै छेलइ जइ लेल हमरा लगभग पूरा उत्तर बिहार मुफ्त भ्रमण करबाक हेतु पास भेटल छल। ओना, ओइ पासक उपयोग कियो आन करैत छल आ हम अपन समय अपन समय प्रतियोगिता परीक्षा सबहक तैयारीमे लगबैत छेलौं।

पढ़ाइ-लिखाइ कखनो व्‍यर्थ नहि जाइत छइ। सन्‍ १९७६ क केन्‍द्रीय सचिवालय सेवा हेतु आयोजित संघ लोक सेवा आयोगक एसीसटेन्‍ट ग्रेडक परीक्षा हम पहिले प्रयासमे पास कऽ लेलौं। किछु दिनमे नियुक्‍ति-पत्र सेहो आबि गेल।

नियुक्‍ति-पत्र हाथमे अबिते मनमे उठल- कार्यालय, काज, स्‍थान सभ परिवर्तन भऽ जाएत। ई सोचि मोन आगू-पाछू करए लागल। अन्‍ततोगत्‍वा निर्णय कएल जे दिल्‍लीए जेबाक चाही। ओइठाम अपना तँ जे हएत से हएत मुदा बच्‍चा सभकेँ पढ़ै-लिखैक बेहतर अवसर भेटत। आदि-आदि।

सोच-विचारक बाद हम दड़िभंगाक दूरभाष निरीक्षकक पद छोड़ि दिल्ली स्‍थित केन्‍द्रीय सचिवालय सेवाक सहायकक पदभार ग्रहण करबाक निर्णय कएल। ई निर्णय केतेक सही रहल, केतेक नहि तेकर विचार-विमर्शक आब समय नहि रहल। जे भेल से नीके भेल। गतं न सोचामि कृतं न मन्‍येत। सही कहल गेल अछि जे विवाह भावी जीवनक दिशा दसा तय करैत अछि। यद्यपि हमरा लोकनिक विवाह अभिभावक गण तय केने रहैथ, मुदा हम आब निश्चय कहि सकैत छी जे ओ सभ बहुत वुद्धिमत्तापूर्ण निर्णय केने छला। जीवन भरिमे हर समय हमर श्रीमती हमर संगे नहि देलैन अपितु जीवन मार्गकेँ अपेक्षाकृत सुगम सेहो करैत रहली। हुनकर रचनात्‍मक सोच एवम्‍ शान्‍त मस्‍तिष्‍कक लाभ हमरा भरपूर भेटैत रहल अछि। केतेको जटिल समस्‍या सभपर हुनकर राय बहुत कारगर होइत रहल अछि। बहुत सन्‍तोष पूर्वक सीमित आमदनीमे इमनदारीपूर्ण जिनगी केना जीबी तेकर ओ उदाहरण छैथ।

हमर सासुर पण्‍डौल डीह टोल रेलबे लाइनसँ थोड़बे दूरपर अछि। घरे बैसल अबैत-जाइत ट्रेन देखाइत रहैत अछि। जखन हम सभ दिल्‍लीसँ पण्‍डौल आबी तँ रेलक आगमनक सूचना घरे बैसल हमर सासुरमे भेट जाइक। भवानीपुरक महादेव मन्‍दिर सामने देखाइत रहैत अछि। केतेको गोटे नियमित भवानीपुर जाइत रहै छैथ आ महादेवक जलढरी करै छैथ, घुमै-फिरै छैथ। असलमे गाम-घरमे लोकक जीबाक अन्‍दाज अखनो अध्‍यात्‍मिकतासँ जुड़ल अछि। कोनो-ने-कोनो रूपे लोक उपवास, पूजा-पाठमे लगले रहै छैथ। शिवरातिकेँ भवानीपुरमे जबरदस्‍त मेला लगैत अछि। स्‍थानीय आकाशवाणीसँ सद्य: प्रशारण सेहो होइत अछि।

पण्‍डौल डीह बहुत ऊँचमे बसल अछि। टोलक सामनेक जमीन सेहो घराड़ीमे उपयोग कएल जा सकैत अछि। एहेन अइल-फइल ओ ऊँच घराड़ी कम गाममे देखल जाइत अछि।

पण्‍डौलमे आदम-जमानासँ रेलबे टीशन अछि। मुदा रेलबे टीशनसँ डीहटोल एबामे बहुत समय ओ संघर्ष रहैत अछि। पण्‍डौल बजार केतेक पुरान अछि से कहब कठिन। आवश्‍यकताक सभ वस्‍तु ओतए भेट जाइत अछि। उत्तम कोटिक धोती ओइ बजारसँ आनि हम वर्षोसँ पहिरैत छी।

पण्‍डौल डीह ओ भवानीपुरक बीचक एकपेरिया रस्‍तामे उरसामा डीह अबैत अछि। कहल जाइत अछि जे पाण्‍डव गुप्‍त बासमे ऐठाम रहल रहैथ।

निश्चित रूपसँ कहल जा सकैत अछि जे मनुखक जीवनमे विवाह एकटा निर्णायक बिन्‍दु होइत अछि। आइ-काल्‍हि तँ तरह-तरह केर लोक परिचय आ की की मिलान करैत अछि, तथापि विवाह विच्‍छेदक संख्‍यामे निरन्‍तर बढ़ोत्तरी भऽ रहल अछि। हम तँ किछु नहि देखलिऐ, मात्र कन्‍याँक एकटा छोट-छीन फोटो हमरा सासुरसँ आएल छल, ओहो विवाह तय भेलाक बाद। ई नहि कहल जा सकैत अछि जे आधुनिकतासँ प्रभावित वर्तमान विवाह सम्‍बन्‍धमे सभ किछु गड़बड़ीए अछि, मुदा ई बात तँ तय अछि जे केहनो नीक-सँ-नीक विवाहकेँ सफलतापूर्वक आगू चलेबाक हेतु दुनू पक्षकेँ समझदारी आ समझौता जरूरी अछि, अन्‍यथा संकट उत्‍पन्न हएब भारी बात नहि।

हमर ससुर (स्‍व. गणेश झा) ऐ बातसँ चिन्‍तित भऽ गेल रहैथ जे हम दड़िभंगाक नौकरी छोड़ि कए दिल्‍ली जा रहल छी मुदा किछुए दिनक बाद हम परिवारकेँ संगे लऽ अनलौं। जइसँ हुनका अतिशय प्रसन्नता भेलैन।