सोमवार, 1 जून 2020

शांति और सुख

 

शांति और सुख

 

 

हमें क्या चाहिए?

थोड़ा सा वस्त्र और थोड़ी आनाज

रहने के लिए छोटा सा घर

जहाँ हो सुकून

जहाँ अपनों से दिल खोलकर

कर सकें वार्तालाप

जहाँ बैठने-उठने से मन में हो शांति ।

लेकिन नहीं जनाब!

यहाँ तो होड़ लगी है

कई पुस्तों के भविष्य  बनाने की

चाहे  जो भी करना पड़े

भले दूसरों का हक छीनना पड़े ।

लालच  का कोई अंत नहीं

कितने ऐसे हैं

जो सारी पृथ्वी मिल जाए तो भी रहेंगे बेचैन

और

पता नहीं कितने घर उजाड़ेंगे

कितनों की जिन्दगी करेंगे तबाह

ताकि वे अपने सपने का महल बना सकें

और जीवन भर रहेंगे अशांत ।

मकरे के जाल जैसे

हम   बुनते रहते हैं

 नित्य नए  विवाद

और उसी में उलझकर रह जाते हैं

जीवन भर ।

सत्य जो सुलभ है

करते नहीं स्वीकार

दैहिक सुख को बनाकर इष्ट

हम हो नहीं पाते कभी संतृप्त

और छूट जाते हैं अकेले

जहाँ से चले थे ।

जो हमारा है नहीं

वही हम को चाहिए

जो हमारे भाग्य में है  नहीं

 उसे पाने के लिए

करते  हैं छल-प्रपंच ।

अकेले थे अकेले जाएंगे

साथ कुछ भी नहीं जा पाएगा

जो भी संग्रह किया

सबकुछ यहीं रह जाएगा ।

वासनाओं से विरत मन

हो स्वयं में लीन

ढूंढ़ता है जब स्वयं को

सतत अंतर्लीन

तब हँसी आती स्वयं पर

कुछ नहीं रखा यहाँ

व्यर्थ यह संसार

सब छोड़ने के हेतु व्याकुल मन

कर रहा -चित्कार-

“कुछ नहीं चाहिए’’

और छोड़ देता है सकल संसार ।

जब वासना हो शिथिल

मन कामनाओ से मुक्त

हम रहे निर्लिप्त

क्षणिक सुख -भोग से

 सही माने में वही है

सुख-शांति का सम्राज्य ।

 1.6.2020

शनिवार, 30 मई 2020

ग्रामोफोन


ग्रामोफोन



कारी गोल चक्का घुमि रहल छल । ओकर बीचमे एकटा मुरुत सेहो घुमि रहल छल । कतहु केओ नहि देखा रहल छल । तथापि, एकटा बक्साक बीचमेसँ आबाज अबैत छल । गाना सुनाइत छल । ओहि समयमे एहिसँ बेसी अजगुत बातक कल्पनो नहि कएल जा सकैत  छल । ओ छल ओहि समयक प्रमुख मनोरंजनक साधन-ग्रामोफोन । गाममे मोसकिलसँ दू-तीन गोटेकेँ से रहनि । गाममे कतहु सत्य नारायण भगवानक पूजा भेल,वा एहि तरहक कोनो आयोजन भेल तँ ओ बजाओल जाइत छल । नेनासभ बहुत उत्सुकतासँ ओकरा घेरने रहैत छल ।

हमसभ नेनामे कैकबेर ग्रामोफोनक रेकार्डकेँ घुमैत काल ओकर बीचमे नचैत चित्रकेँ देखि सोचिऐक जे इएह गाबि रहल छैक । कैकबेर होअए जे ग्रामोफोनक भीतर केओ नुकाऐल अछि आ गाबि रहल अछि । कैकबेर ग्रामोफोनक बक्सा खोलि कए देखबो करिऐक मुदा किछु नहि देखाइत छल । तखन ई गाना के गबैत अछि? ई आबाज कतएसँ आबि रहल छैक? एहि प्रश्नक जबाब के दैत? गाममे तँ तखनो ग्रामोफोन दुर्लभ छल । कोनो विशेष अवसरपर बजाओल जाइत चल-जेना ककरो ओहिठाम जँ सत्य नारायण भगवानक पूजा होइत तँ लोकसभक आग्रहपर अमीर काकाकेँ खुशामद करैत । तखन ग्रामोफोन आनल जाइत । डेढ़ हाथक पेटी खुजैत । ओहिमे एकटा नोकीला सुई गोलका चक्कामे लगाओल जाइत । हाथकेँ घुमा-घुमा कए ओकर स्प्रिंगकेँ तानल जाइत । ग्रामोफोनक बीचमे रेकार्डकेँ राखल जाइत । सभसँ अंतमे ओकर स्वीचकेँ घुसकाओल जाइत  आ शुरु होइत संगीत । “बाह! की कमालक मसीन अछि” - लोक मोने-मोन सोचैत। बेसी काल रामायणक रेकार्ड लगाओल जाइत । कैकबेर नचैत-नचैत रेकार्ड ठाढ़ भए जाइत । आबाज खतम । गीत बंद । नेनासभ  चारूकातसँ लुधकि जाइत । सभकेँ जिज्ञासा जे आखिर भेलैक की?

हमरा गाम(अड़ेर डीह टोल)मे स्वर्गीय घुरन बाबूक ओहिठाम सेहो ग्रामोफोन रहनि । ओ ग्रामोफोन बेहतर चल । हुनकर पुत्र डाक्टर सच्चिदानंदजीक संगे हम ओहि ग्रामोफोन धरि कैकबेर पहुँचल रही । कहि नहि सकैत छी जे कतेक उत्सुकताक संग ग्रामोफोनक गीत सुनने रही । किछुदिनक बाद एकटा ग्रामोफोन हमर बाबू सेहो लेलाह । मुदा ओ ग्रामोफोन स्थानीय मिस्त्री बनओने रहए । कखनहुँ चलैक आ कखनो बैसि जाइक । ओहिमे एकटा भोपू लागल रहैक जाहि बाटे आबाज बाहर होइक । ऐकबेर किछु टाका जेना-तेना ओरिआन कए हम बिंदूकाकाक संगे मधुबनी जा कए ग्रामोफोनक रेकार्ड किनने रही । किशोरीलाल चौक मधुबनीसँ सटले  ओ दोकान रहैक। ओ ससुराल फिल्मक गाना रहैक । एकदिस -तेरी प्यारी-प्यारी सुरत को किसी की नजर न लगे…….दोसर दिस रहैक-अपने उल्फत पे जमाने का नजर ना होता तो कितना अच्छा होता..............

नेनामे कोनो बातक  जिज्ञासा बहुत होइत छैक । ग्रामोफोनसँ निकलैत आबाजकतएसँ अबैत अछि? ई जानबाक इच्छा प्रवल रहैत छल । केओ कहितए जे ग्रामोफोनक भीतर एकटा बुढ़िया रहैत छैक । ओएह गबैत छैक,केओ किछु । हम ग्रामोफोनकेँ खोलि-खोलि ओकर पाट-पाटमे ओहि बुढ़या गबैयाकेँ तकैत रहैत छलहुँ । मुदा कतहु किछु कहिओ नहि देखाएल ,उल्टे कैकबेर मसीन खराप भए गेल। कैकबेर ग्रामोफोनक भोपूमे मुरी पैसा कए देखैत रही मुदा जेहो आबाज अबैत छल सेहो क्रमश; बंद भए जाइत छल । अस्तु,ग्रामोफोन एकटा रहस्य बनल छल । मुदा केओ ई नहि बूझा सकल जे आखिर ई कोना काज करैत अछि आ एहिमे सँ निकलि रहल आबाजक पाछू कोन विज्ञान छैक?

ग्रामोफोनक ओएह रुप-रेखा हम बहुत दिनक बाद देखलिऐक दिल्लीक कनाट प्लेसमे  । हमुमान मंदिरसँ दर्शन कए बाहर भेल रही । काफी होमक नीचाबला परिसरमे कोनपर ग्रामोफोन राखल छल । ओएह छवि,ओहने छटा जेहन हम नेनामे अपन गाममे देखने रहिऐक । ओकर आकार कनेक पैघ जरूर छलैक । बड़ीकाल धरि हम ओकरा देखिते रहि गेलहुँ । फेर मोबाइलसँ ओकर फोटो खिचलहुँ। पता लागल जे ओ सौकिआ ओतए राखल छैक ,बिकेतैक नहि । जँ बिकेबो करितैक तँ आब केओ सजाबटेक हेतु लेत ,ओहिसँ आओर काज तँ करत नहि । कारण आब तँ एक सँ एक यंत्र आबि गेल अछि । गाना-बजानाक साधनक कमी नहि अछि । नान्हिटा रेडिओसँ,मोबाइलसँ हजारों गाना बजाओल जा सकैत अछि । टीवीक तरह-तरहक प्रकारसँ बजार भरल अछि । से जे होउक मुदा ग्रामोफोन संगीतक दुनिआक इतिहासक अभिन्न अंग रहल अछि आ ताहि बातकेँ बिसरलो नहि जा सकैत अछि ।



30.5.2020