रविवार, 22 जनवरी 2017

प्रवासी




प्रवासी

समाजमे सामंजस्‍य एवं अधिकारक वैषम्‍य सभ दिन रहल अछि। एकर पाछाँ नाना कारण भऽ सकैत अछि। कियो जनमिते सम्‍पन्नताक सहभागी भऽ जाइ छैथ तँ कियो आजीवन संघर्ष करैत रहि जाइ छैथ। तैयो जस-के-तस...।

एहेन उदाहरण गाम-गाम भेटत। हमरे गाममे कएक गोटा कएक पुस्‍तसँ मजदूरी कऽ रहल अछि। ओकर परिस्‍थितिमे कोनो सुधार नहि भेल। ओहिना जीवन संघर्षक क्रममे लागल जिनगी बीत जाइ छइ।
मुदा किछु मामलामे परिवर्त्तन सेहो देखना जाइत अछि। गाम-घरसँ शिक्षित वा अशिक्षित लोक जीविकाक खोजमे बहराएल। मुम्‍बई, दिल्‍ली सहित अनेकानेक शहरमे पसैर गेल। बहुत रास मजदूर सभ पंजाव चलि गेल। किसान सबहक नौकर-चाकर भऽ गेल। गाम-घरमे लोकक ई पलायन सर्वव्‍यापी भऽ गेल अछि। जेकरे देखू दिल्‍लीक टिकट कटबैत अछि आ विदा भऽ जाइत अछि।
परिणामस्‍वरूप गाम-घरमे नोकर-चाकर नहि भेटैत अछि। पढ़ल-लिखल लोक पहिनहुँसँ नौकरीक क्रममे बाहर चलि जाइत छला। आब सभ चल जाइत अछि। १९७७ ईस्‍वीमे जखन हम नौकरी करए दिल्‍ली आएल रही तँ कियो-कियो दिल्‍ली अबैत छल। बरौनीसँ जयन्‍ती जनता एक्‍सप्रेस पकैड़ कऽ दिल्‍ली अबैत छेलौं। मुदा आब गामक गाम उलैट कऽ दिल्‍ली चल जाएल अछि। ओइ समैमे सभ कहए जे किए दिल्‍ली जा रहल छी? ओइठाम बहुत खर्चा होइ छइ। पैसा नहि बँचत। गाम-घरक देखभाल नहि हएत। आदि-आदि। तथापि हम दिल्‍ली आबि गेल रही। बाबूजीजी बहुत अपसियाँत भेल रहैथ। हुनका कहुना कऽ बुझाएल। परिवार सहित दिल्‍ली चल एलौं। ओइ घटनाकेँ आइ ३९ बर्ख भऽ गेल। जखन उनैट कऽ देखै छी तँ ई निर्णए सही बुझाइत अछि। 
गाम-घरसँ लोकक शहरक पलायन मूलत: आर्थिक समस्‍या अछि। जँ गामेमे वा गामक आसपासमे जीविका भेट जाइ तँ लोक हजारक-हजार माइल दूर किए जाएत? मुदा से नहि भऽ पबैत अछि। दुर्भाग्‍यवश अपन जिला-जवारमे कल-कारखाना नदारद अछि। जे एकाध-टा छेलैहो सेहो कालक्रमे बैस गेल। खेती-बाड़ीसँ उपजा नगण्‍य भऽ गेल।  पढ़ल-लिखल, मूर्ख, कारीगर सभ दिल्‍ली, मुम्‍बई किंवा कोनो आन शहरक रस्‍ता पकैड़ लेलक। बाँचल-खूच लोक गाममे रहि गेल। मूलत: वृद्ध वा बच्‍चा। किछु सेवा निवृत लोक सेहो गाम आपस अबैत छैथ मुदा कम, साएमे एकाध-टा कहि सकै छी, अन्‍यथा जन-बोनिहार, पढ़ल-लिखल, हाकिम, कर्मचारी जे कियो गाम छोड़लक, से जेतइ गेल ओ तेतइ रहि ओतुक्का बासीए बुझू भऽ गेल। आखिर एना भेलै किएक?
ऐमे कोनो दू मत नहि भऽ सकैत अछि जे अधिकांश लोक जीविका किंवा बेहतर जीवन-यापनक आकांक्षासँ पैघ शहर चल जाइ छैथ। अधिकांश जन-मजदूर अपन सम्‍बन्‍धी, ग्रामीण किंवा मित्रक संगे बहराइ छैथ। प्रारम्‍भिक दिनमे वएह हुनका रहबाक ठौर दैतो छथिन। एहेन अधिकांश लोक भवन निर्माण, कृषि कार्य, चौकीदारी इत्‍यादि अन्‍य प्रकारक कर्मचारीक काजमे लागि जाइ छैथ। किछु लोक परिवार किंवा गाममे अशांतिक कारण सेहो गाम छोड़ि जाइत छैथ। सरकारी किंवा बढ़ियॉं प्राइवेट नौकरीमे नियुक्‍ति किंवा स्‍थानान्‍तरणक वाद सेहो लोक अपन पैतृक गामकेँ छोड़ि जाइ छैथ। गाम-घर छोड़ैबला अधिकांश मजदूर तबकाक लोककेँ गाममे जमीन किंवा उपार्जनक कोनो श्रोत नइ होइत अछि। स्‍थायी सरकारी वा प्राइवेट नौकरी करैबला सम्‍भ्रान्‍त लोक जिनका गाम-घरमे जमीन-जथा अछि सेहो शहर गेलाक बाद ओहीठाम बसि जाइ छैथ एवं प्रयास करै छैज जे गाम-घरक जमीन बिका जान्‍हि, वेशक गाममे घर रहए किंवा बेहतर घर बना लिअए, से इच्‍छा रहै छैन। मुदा गाम-घरक जमीन उचित मूल्‍यपर बिकाएब सेहो कठिन समस्‍या अछि। हमर एकटा मित्र पैछला दस बर्खसँ गामक जमीन बेचए चाहै छैथ, मुदा से नहि भऽ पाबि रहल छैन, तेकर मूल कारण पितियौत सबहक लालच आ ताहि कारण असहयोग थीक। निरन्‍तर बाहर रहबाक कारण जिनका गामे-घर छैन्‍हो, सेहो कालक्रमे ढनमना जाइत अछि। खसि पड़ैत अछि, किंवा पड़ोसी सभ ओकर दुरुपयोग करैत रहै छैथ।
मिथिलांचलक अघिकांश लोक मजदूरीक हेतु, नौकरी-चाकरीक हेतु दिल्‍ली अबै छैथ। पहिने लोक कलकत्ता जाइ छैथ। मुदा कलकत्ताक स्‍थिति बहरियाक हेतु अनुकूल नहि रहि गेल। ओतए रोजगार सेहो कम भऽ गेल। परिणामत: लोक सभ आन-आन ठाम जाए लगल अछि। अस्‍सीक दसकमे बहुत रास मजदूर वर्ग पंजावक देहाती क्षेत्रमे जाइ छल। मुदा क्रमश: ओइठामक स्‍थिति खराप होइत गेल। आतंकवादक प्रसारक बाद तँ बिहारी मजदूर सभ यैहले-वैहले ओइठामसँ घसैक गेल। दिल्‍लीक अलावा मुम्‍बई सहित अन्‍यान्‍य शहर सभमे लोक पसैर गेल।
मिथिलांचलसँ ऐ तरहेँ पलायन भेल आ भाइए रहल अछि। जखन लोक गाम-घर छोड़लक आ बाहर जा कऽ बसि गेल तँ सोभाविक गाम-घरसँ सम्‍पर्क कम भऽ गेल। ओइठामक रीति-रिवाज, संस्‍कार, संस्‍कृति, भाषा, गीत-नाद आदि सभसँ दूरी बढ़ैत गेलइ। भावक प्रति अनुराग ओहिना अपना सभमे कम छल। जहाँ कियो परदेश बसल कि सभसँ पहिने मैथिली बाजबमे अपराध लागए लगलै। अपन भाषाकेँ छोड़लक आ हिन्‍दी, अंगरेजी अबैत नहि रहइ। परिणामत: अपन संस्‍कृतिकेँ बिसैर तँ जाइते गेल मुदा आनोठामक नीक आचार-विचार ग्रहण करबा योग नहि भऽ सकल। निश्‍चय ई बात सभपर लागू नहि भऽ सकैत अछि। किछु लोक उच्‍च शिक्षा प्राप्‍त केलाक बाद किंवा उच्‍च शिक्षा लेबाक हेतु निकलला आ सरकार किंवा प्राइवेटमे पैघ-सँ-पैघ स्‍थान प्राप्‍त केला। हुनका परदेशोमे पूर्ण सम्‍मान, सत्‍कार भेल। प्रचूर धनोपार्जन केला एवं भविसक पीढ़ीक हेतु सेहो स्‍वास्‍थकर परिस्‍थिति बना सकला। मुदा अधिकांश लोक एहेन भाग्‍यवान नहि भेला।
१५-२० बर्ख पूर्व दिल्‍लीमे बिहारी सभकेँ बहुत छोटक बुझल जाइ छल अपितु ‘बिहारी’ एकटा गारि बुझल जाइ छल। मिथिलांचलक प्रवल जनसंख्‍या अछैतो दिल्‍लीमे ऐ वर्गक कोनो अपन विशेष पहिचान नहि छल। अखनो धरि ऐमे कोनो बहुत सुधार नहि कहल जा सकैत अछि, यद्यपि आब समस्‍त पूर्वांचलक प्रति आदर-भाव बढ़ल अछि। लोकक संख्‍याक संग राजनैतिक वर्चस्‍व बढ़ि रहल अछि। छठि पाबैनसँ समस्‍त पूर्वांचलीकेँ एकटा पहिचान भेटल अछि।

मिथिलांचल पूर्वांचलमे समाहित भऽ गेल अछि। मैथिली-भोजपूरीक समन्‍वित साहित्‍य अकादमी स्‍थानीय सरकार बनौलक अछि आ ओइ धारापर कहियो-कहियो मैथिली-भोजपूरीक कार्यक्रम होइत रहैत अछि।
दिल्‍लीमे देशक सभ राज्‍यक लोक अछि। केरल, तमिलानडू, ऑंध्र, बंगाल सबहक अपन-अपन शिक्षा संस्‍थान छइ, अपन-अपन संस्‍कृतिक संगठन छइ। मुदा मिथिलांचलक हित रक्षा करैत कोनो शिक्षण संस्‍थान नहि अछि! कोनो सुसंगठित, सकृय सांस्‍कृतिक सगठन नहि अछि! किएक? हमर एकटा मित्र कहला जे ओ जखन दिल्‍ली आएल रहैथ तँ बहुत प्रयास केला जे अपना ऐठामक लोककेँ एकत्र कऽ कोनो संस्‍थागत कए दी। परन्‍तु से सम्‍भव नहि भेलैन। तेकर मूल कारण जे बिहारक लोक जातिसँ बेसी प्रभावित छैथ। अन्‍तर्जातीय ससमावेशी, सांस्‍कृतिक परिवेशक रचनाक अनुकूल मानसिकता नहि अछि। दिल्‍लियोमे लोक जातीय आधार पर गोलबन्‍द होइत रहै छैथ जे बात आन राज्‍यक लोक सभमे नइ अछि।
दिल्‍लीमे वंगाली समाजक कोनो मोहल्‍ला नहि अछि जतए काली मन्‍दिर नहि हो। ओ चाहे गोल मार्केट होइ, चाहे लक्ष्‍मीवाई नगर होइ आकि कालकाजी होइ किंवा चितरंजन पार्क होइ। केतेको ठाम बंगाली स्‍कूल अछि जइमे आन विषयक संग बंगाली पढ़ब अनिवार्य अछि।
कहबाक तात्‍पर्य जे आर्थिक, समाजिक कारणसँ अपन गाम-घर छोड़निहार अपना ओइठामक लोककेँ उचित सांस्‍कृतिक, समाजिक परिवेश परदेश जेना दिल्‍ली, मुम्‍बईमे नहि भेटैत अछि। परिणामत: लोक तेजीसँ अपन भाषा-साहित्‍य, अपन पाबैन-तिहार, अपन सोच-विचार सभ बिसैर रहल अछि, बिसैर गेल अछि। बाहर रहनिहार प्रवासी लोकनि अपन धिया-पुताक उपनयन, बिआह एवं अन्‍यान्‍य संस्‍कार एतइ करै छैथ। कमे लोक गाम जेबाक हिम्‍मत कऽ पबै छैथ। तेकर कारण जे प्रवासी लोकनिक अपन ग्रामीण समाजसँ सम्‍पर्क क्रमश: क्षीण भऽ जाइत अछि। गाममे बेवस्‍था करब आ कोनो पैघ काज कऽ लेब दुरुह भऽ जाइत अछि। स्‍थानीय लोक गोलबन्‍द रहै छैथ आ प्रवासीकेँ ओइमे पैठ बनाएब कठिन भऽ जाइ छैन। 
अपना ऐठाम दरिभंगा महराज बहुत समृद्ध छला। शहर-शहरमे हुनक सम्‍पैत छेलैन।ओ चाहितैथ तँ समस्‍त मिथिलाक कल्‍याण भऽ सकैत छल। शिक्षा लेल नीक-सँ-नीक संस्‍थान बना सकैत छला। लोक आसानीसँ उत्तम शिक्षा ग्रहण करैत। नीक नौकरी होइतै। कल-कारखाना लगा सकैत छला। जँ से सभ भेल रहैत तँ आइ ओइ क्षेत्रमे पलायनक ई दृश्‍य नहि रहैत। केरलक विकासमे ओइठामक राजाक अद्भुत योगदान अछि। ओइठामक लोकक शिक्षाक स्‍तर एवं जीवन-यापनमे ओ गुणात्‍मक सुधार अनला। मुदा दरभंगा नरेश ऐमे चुकि गेला। राज नष्‍ट भऽ गेल। जन-कल्‍याणक कोनो काज हुनका हाथे नहि भेल।
गाम घरमे शिक्षाक उत्तम बेवस्‍था नहि रहबाक कारण धिया-पुताकेँ शिक्षा प्राप्‍त करक हेतु बाहर जाए पड़लैक। अधिकांश लोक जे पढ़ए निकलल, ओम्‍हरे नौकरी करए लगल। मुदा गरीब लोकक धिया-पुताकेँ गुणवत्तापूर्ण शिक्षा भेटब पराभव भऽ गेल। पहिने मधुबनी, दरभंगाक कौलेजसँ स्‍तरीय शिक्षा भेट जाइत छल। मुदा किछु बर्खसँ एकर स्‍तर तेतेक गड़बडा गेल जे ई संस्‍था सभ मात्र डिग्रीक फैक्‍ट्री बनि कऽ रहि गेल। जेकरे देखू सएह ८० प्रतिशत नम्‍बर लऽ कऽ घुमि रहल अछि। मुदा ओ सभ जखन दिल्‍ली, मुम्‍बई आदि शहर नौकरीक हेतु जाइ छैथ तँ अपन अवमूल्‍यन देख जरूर सोचैत हेता जे ई की भेल? बी.ए.-एम.ए.क सर्टीफीकेट-धारी सभ चौकीदारी करै छैथ। ऐ परिस्‍थितिक अपवादो भऽ सकैत अछि मुदा सामान्‍य धारणा ई भऽ गेल अछि जे बिहारक कौलेज सबहक स्‍तर अति निम्न अछि। ऐ विषयपर सभकेँ सोचबाक चाही। शिक्षाक स्‍तरक क्षरण चिकित्‍सा बेवस्‍था नगण्‍यता एवं नौकरी-चाकरीक अभावक कारण कियो ओइ इलाकामे आपस नहि जाइ छैथ। चिकित्‍सा बेवस्‍थाक बदहालीक विषयमे जेतेक लिखल जाए से थोड़ होएत। बिहारमे डाक्‍टर सभकेँ प्राइभेट प्रैक्‍टिसक सरकारी अनुमति अछि। परिणामत: सरकारी अस्‍पताल सभ व्‍यर्थ किंवा जानलेबा भऽ गेल अछि। दरिभंगा चिकित्‍साक क्षेत्रमे विख्‍यात छल। आब ओइठाम चिकित्‍साक नामपर शोषण मात्र होइत अछि। परिणामत: जेकरे देखू सएह दिल्‍लीक एम्‍समे फाइल लगौने ठाढ़ भेटत। एम्‍स दिल्‍लीक ऑंगनमे आ ओकर आसपासमे अपना ओइठामक लोक पथार लागल रहैत अछि। जँ दरिभंगा मेडिकल कौलेजमे पहिने जकाँ इलाज-बात होइत तँ लोक एना दिल्‍ली किएक भगैत? तात्‍पर्य जे स्‍थानीय परिस्‍थिति सुविधापूर्ण सुरक्षित भविसक दृष्‍टिये अनुकूल नहि अछि।  
लाखो लोक प्रतिवर्ष बिहारसँ बाहर जाइत अछि। ओइमे अधिकांश अकुशल मजदूर रहैत अछि। एहेन बात नहि जे बिहारेक लोक बाहर भागि रहल अछि। पंजाव, केरल किंवा आनो-आनो राज्‍यसँ लोक बाहर भऽ रहल अछि। पंजावक लोक कनाडा, अमेरिका चलि जाइत अछि। केरलक गामक-गाम महत्‍पूर्ण एसियाक देश सभमे चलि जाइत छइ। मुदा ऐ सभमे गुणात्‍मक अन्‍तर अछि। बिहारमे पलायन प्रभाव ओइठामक राजनितिक परिदृश्‍यपर देखल जा सकैत अछि। अधिकांश पढ़ल-लिखल लोकक गाम-घर छोड़ि देलाक बाद ओइठाम गामक-गाम मूर्ख-चपाटक वर्चस्‍व भऽ गेल अछि। मतदाता सभमे अधिसंख्‍यक माफिया राज्‍य भऽ गेल अछि। सोभाविक अछि जे एहेन परिस्‍थितिमे केहेन नेतृत्‍व उभरत…। परिस्‍थितिमे सुधार हौउ तइले बहरिया सभकेँ घुरि आबए पड़तैन। संघर्ष द्वारा उचित नेतृत्‍वक चुनाव करए पड़तैन, तखने माहौल बदैल सकैत अछि। शिक्षा, चिकित्‍सा, रोजगारक क्षेत्रमे विकास भऽ सकैत अछि। मुदा से कखन आ केना हएत? प्रवासी सभ जेतै-तेतै बसल जा रहल अछि। जँ कियो गाम दिस लौटबाक प्रयासो करै छैथ तँ गामक ओहन स्‍थित अछि जे हुनकर अपने लोक प्रतिरोध करए लगै छैन। हुनका होइ छैन जे हिस्‍सामे बाँट-बखरा करक हेतु आबि रहल अछि। आ तरह-तरहसँ प्रयास कएल जाइत अछि जे प्रवासी आपस गाम नइ आबए। केतेको लोक जे ऐ बातक विरोध करैत आगू बढ़ै छैथ, हुनका कएक बेर अप्रत्‍याशित धात-प्रतिधातक सामना करए पड़ैत अछि। केतेको बेर एहेन प्रयास हिंसक भऽ जाइत अछि। 
एकबेर ट्रेनसँ दिल्‍ली अबैत रही। रस्‍तामे मुजफ्फरपुरक एकटा सहयात्री भेटला। ओ गपक क्रममे कहला जे गाममे हुनका नीक जमीन-जत्‍था अछि। कोनो नीक पदसँ सेवानिवृत्त भेल छला। मुजफ्फरपुर, पटना आ दिल्‍लीक आसपास केतेको सम्‍पैत अर्जित केला। सेवा निवृत्तक पछाइत गामक सम्‍पतिक बँटवारा हेतु कएक बेर प्रयास केलैन मुदा गाममे जे भाए रहैत छेलखिन से ऐ बातसँ बहुत नाराज भेलखिन। सम्‍बन्‍ध गड़बड़ा गेलैन। मना नइ करथिन मुदा बात फरिछेबो नहियेँ करथिन। ई गाम जाथि तँ ओ उठि कऽ सासुर चल जाथि। बहरिया आदमीक समए बान्‍हल रहैत अछि। जखन हुनकर आपस हेबाक समए होइत तँ ओ गाम आबैथ आ किछु झार-फूक कऽ समए खटिया दैन्‍ह। पछाइत एकाध बेर झंझैटो भेलैन मुदा फेर ठामक ठामे, माने ठाकक तीन पात। अत: ओ समए पुरा होइत गामसँ लौट जाइथ। सालक-साल यएह क्रम चलैत रहल। अन्‍ततोगत्‍वा ओ गामक बखराक चर्चे करब छोड़ि देलैन। कहला जे जहियासँ से कएल, गामक भाइक सोभावे बदैल गेल। आव-भगत बढ़ि गेलैन। कहला जे आब गाम जाइ छी तँ किछु पैसा हुनका दऽ दइ छिऐन आ खूब सेवा होइत अछि आ चैनसँ दस-बीस दिन गाममे रहि लैत छी। ई घटना कोनो एक परिवारक आकि एक बेकतीक बीचक मात्र नइ अछि। जे कियो प्रतिकूल अपन हिस्‍सा-बखराक चक्करमे पढ़ला, किंवा सेवा निवृत्तक पछाइत आपस अपन डीह- डाबर दिस तकला तँ हुनकर भगवाने मालिक...। ई परिस्‍थिति कोनो कम पढ़ल-लिखल लोके धरि सीमित नहि, अपितु नीक, प्रतिष्‍ठित परिवार, शिक्षित ओ सम्‍पन्न लोकमे सेहो ई बिमारी गाम-गाममे पसैर गेल अछि।
“अहाँ तँ बाहर रहलौं, ऐश-मौज केलौं। हम तँ गामे धेने रहलौं। सभ दिन कष्‍ट केलौं। दियाद-वाद सभसँ झगड़ा करैत घर-घराड़ीक रक्षा केलौं। अहाँ की केलौं?” ऐ यक्ष प्रश्‍नक की उत्तर हएत? बहरियाक संग के देत? कदाचितो ओ गाम दिस केना मुड़त?
लोक बुझैत अछि जे ई तँ चालि जेता, गाममे तँ वएह रहि जाएत। तँए समाजो सभ ‘हँ’ मे ‘हँ’ मिलाएबे यथोचित बुझै छैथ। तात्‍पर्य ई जे जे कियो बाहर भऽ गेल छैथ, तीस-चालिस बर्खक पछाइत पुनश्‍य गाममे बसए चाहै छैथ, हुनका विकट परिस्‍थितिक सामना करए पड़ि सकैत अछि। तथापि कए गोरे गाममे आपस स्‍थापित हेबामे सफल होइ छैथ।
गाम-घर छोड़ि शहरमे रहनिहार सभ लोक एक्के रंग भाग्‍यवान नहि होइत अछि। बढ़ियाँ नोकरी करएबला किछु लोक तँ अपन नीक बेवस्‍था कए लइ छैथ मुदा गरीब, कम शिक्षित किंवा मजदूर तबकाक लोक पैघ शहरमे रहियो कऽ नर्कक जिनगी जीबए हेतु विवश छैथ। झोपड़ी-झुग्‍गी बना कऽ जहाँ-तहाँ रहैत समए कटैत छैथ। दिन-राति मारि-गारि सहैत-सुनैत रहै छैथ। स्‍वास्‍थ्‍य, शिक्षाक अवसरसँ धिया-पुता वंचित रहि जाइत अछि किंवा स्‍तरीय सुविधा तँ नहियेँ भेट पबै छैन। शहरक लोक हुनका एकटा भार बुझैत अछि। मान-अपनाम सहियो कऽ जँ ओ जीविओ जाइ छैथ तँ मनमे गाम-घरक टीस रहिते छैन। मुदा गाम घुरता तँ कतए आ केना? ओइठामक परिदृश्‍य सेहो कालक्रमे अरूचिकर भऽ गेल रहैत अछि। 
ऐमे कोनो दू मत नहि भऽ सकैत अछि जे गाम-घरक अपेक्षा पेघ शहरमे जीवन-यापनक सुविधा बेहतर छइ। गाम-घरमे खेती-बाड़ीसँ उपार्जन होइत छेलै मुदा आब सेहो नहि भऽ पाबि रहल अछि। लोकक जमीन परता रहि जाइत अछि। जेतबो पूजी लागत लगैत अछि तेतबो उपार्जन नहि भऽ पबैत छइ। अधिकांश लोकक जमीन बटाइ रहैत अछि। जे किछु अन्न-पानि भेट गेलैक ओहीसँ संतोख कऽ लैत अछि। जे बहरिया छैथ हुनका ओतबो अन्न-पानि सम्‍हारब कठिन होइत अछि आ औने-पौने दाममे उधारियो सही, ओकरा बेचि गामसँ विदा भऽ जाइ छैथ। आ जिनका जमीन-जत्‍था ऐछे नहि, ओ गामसँ पहिनहि ससैर गेल छैथ। महानगर सभमे मजदूरी किंवा मिस्‍त्रीक काज करि-करि जीवन-यापन करै छैथ...।
उपरोक्‍त परिस्‍थितिमे गामसँ शहरक पलायनक क्रम बढ़िये रहल अछि। गाममे लोकक संख्‍या क्रमश: कम भेल जा रहल छैइ। तैयो गाममे रहनिहारकेँ ऐ बातक आभास नहि भऽ पाबि रहल छैन जे काल्‍हि भऽ कऽ हुनको धिया-पुता बहरिया भऽ जेतैन आ ई गाम ओकरो लेल ओहिना भऽ जाएत। अस्‍तु गामसँ बहराएल प्रवासी लोकनिक गाम-घरसँ भावनात्‍मक सम्‍बन्‍ध बनल रहइ, से गामपर रहनिरोक हितमे अछि। मुदा तइ हेतु दूर दृष्‍टि चाही।

◌

२९.१२.२०१६

श्राद्धक वर्तमान स्‍वरुप


 

श्राद्धक वर्तमान स्‍वरुप

रबीन्द्र नारायण मिश्र


नियतिक आगाँ ककरो नहि चलैत अछि। कालक्रमे सभ ऐ संसारमे अबैत अछि आ समय पूरा होइते चलि जाइ अछि। जखन ओ समय आबि जाइत छइ, सबहक माथा ओहने भऽ जाइत अछि। नियतिकेँ के बदैल सकैत अछि। मृत्‍युक उपरान्‍त लोक अहिना बजैत, सोचैत अछि। आर कोनो विकल्‍पो नहि..! राजा, रंक, फकीर सभ एक-ने-एक दिन ऐ संसारसँ विदा भऽ जाइत अछि। तँए ऐ संसारकेँ मृत्‍युलोक सेहो कहल जाइत अछि।

किछु दिन पूर्व १२ नवम्‍बर २०१६ (कार्तिक शुक्‍ल त्र्योदसी)क साँझ सात बजे हमर वयोवृद्ध चौरानबे वर्षीय माता दयाकाशी देवीक देहावसान भऽ गेल। ओ जाँघक हड्डी टुटि गेलाक कारण पैछला दू बर्खसँ कष्‍टमे छेली। नाना प्रकारक उपचार भेल परन्‍तु ओ पैछला तीन माससँ लगातार गड़बड़ाइते गेली आ अन्‍ततोगत्‍वा कालक अपराजेय हाथे हुनक प्राण देह छोड़ि देलक। ओइ समयमे हमहूँ ओहीठाम रही।

माइक अन्तिम संस्‍कारमे सम्मिलित हेबाक हेतु किछु गोटे बाहरसँ आबि रहल छला, तइ हेतु प्रतीक्षा कएल गेल ओ प्रात भेने १२ बजे हमरा लोकनि संस्‍कार हेतु प्रस्‍थान केलौं। माइक इच्‍छानुसार ऐ अवसरपर धू-धू बाजाक ओरियान कएल गेल छल। संगे किछु गोरे रस्तामे पैसा उड़बैत रहला। संस्‍कार स्‍थल गामसँ उत्तर-पूब हमरा लोकनिक आमक गाछी छल। ओइठाम सभटा बेवस्‍था पहिनहिसँ हमर अनुज केने छला। लगेमे पोखैर आ चापाकल छल। हम चापाकलपर स्‍थान करए चाहलौं, मुदा से ओइठाम पास्‍थित लोक सभकेँ पसिन नहि भेलै आ स्‍थान पोखैरमे केलौं। पोखैरक पानि जमकल छल। दूर-दूर धरि सफाइक कोनो गुंजाइश नहि। कहुना-कहुना डुबकी मारलौं आ नव वस्‍त्र पहिर कोहामे पानि भरि संस्‍कार स्‍थलपर पहुँचलौं।

मंत्राच्‍चारक संग चितामे आगि लगेलौं। क्रमश: आगि पजरल, पजरैत धधकल। धधरा बढ़ैत गेल आ हमर पूजनीया माइक शरीर धू-धू कऽ जरए लागल। हम चुपचाप ऐ दुखद दृष्‍यकेँ देखैत रहलौं, ठमकल रहलौं। बीचमे तीन खेप चिताक परिक्रमा करबाक हेतु कहल गेल। ओइक्रममे ई कहल रहैक जे ‘जल्‍दीसँ जरि जाउ, सभ छोड़ि कऽ जा रहल अछि।’

जइ माइक बिना एक्को क्षण बच्‍चा फराक नहि रहए चाहैत अछि, ओइ मायकेँ अपने हाथे अग्निकेँ समर्पित कए दैत अछि। ई संसारक विचित्रता अछि। दू घन्‍टासँ अन्‍तिम संस्‍कारक कार्यक्रम चलि रहल छल। तखन किछु गोरे बजला जे संस्‍कार भऽ गेल। सभ कियो आमक डारिक पँच-पँचटा टुनगी बनौला। हम आगाँ आ सभ कियो पाछाँ, सारासँ उन्‍टा-मुहेँ ठाढ़ भेलौं। मंत्रोच्‍चारक संग ओइ टुनगीकेँ पाछाँ फेक देल गेल आ लोक सभ बिना पाछाँ तकने हमर पाछाँ-पाछाँ विदा भेला। 

ऐसँ पूर्व स्‍नान कतए हो, तैपर चर्चा भेल। किछु गोरेक प्रस्ताव छल जे काली-मन्दिर लगक पोखैर चलल जाए, मुदा से सभकेँ पसिन नइ भेलैन। अधिकांश लोक नवका पोखैरमे स्‍नानक पक्षधर छला। अन्‍ततोगत्‍वा नवके पोखैर दिस सभकियो विदा भेला। ओइ क्रममे ई धियान राखल गेल जे लौटबाक मार्ग ऐबाक मार्गसँ भिन्न होइक। ऐ नियमक पालन हेतु दूटा युवक हमरा संगे मार्गदर्शन करैत तेहन रस्‍ता चुनलाह जेकरा मोन पाड़ैत रोमान्‍चित भऽ जाइत छी। थाल-कादो, काँट-कुश, जंगल-झाड़ बाटे होइत हम आगाँ-आगाँ आ शेष लोक पाछाँ चलैत रहला। बादमे पता लागल जे किछु लोक दोसर रस्‍ता पकैड़ बढ़ला।

सभ गोरे अन्‍ततोगत्‍वा अपन पोखैरपर पहुँचलौं। पोखैरक पानि, घाटक हालत खस्‍ता। पानिमे नहेला पछाइत बेसी अशुद्धे भऽ जेबाक सम्‍भावना बुझना गेल, तथापि जन-भावनाकेँ धियान रखैत हम ओइ पोखैरमे स्‍नान कएल आ शेष लोक सेहो। सभ कियो बेराबेरी स्‍नान कए घर दिस विदा भेलौं। गामक पुराण रस्‍ता सभ बन्‍द भऽ गेल अछि। जेतए रस्‍ता छल पहिने तेतए आब लोक घर बना लेलक। रस्‍ताक हेतु रस्‍ता नहि रहल। जेना-तेना छड़पैत, थाल मखैत घर आपस एलौं।

घर आबि कऽ लोक सभ आगि, पानि, लोह, पाथर छूलक आ अपन-अपन घर चलि गेला। तेकर पछाइत प्रारम्‍भ भेल नाना प्रकारक विध-विधान।  

कर्ताक ऊपर नाना प्रकारक पाबन्दी। जेना ओ घरमे नहि, बारहे रहता। हाथमे करचीक डण्‍टा, डॉले वा आसपास लोहक चक्कू। अलग आसन-बासन। भात, दूध एक साँझमे। प्रेतकेँ डाबामे पानि चढ़ाएब। गरुड़ पुराण सुनब। 

यद्यपि श्राद्ध-कर्मक उद्देश्‍य पूर्णत: मृतआत्‍मा प्रति श्रर्द्धांजलि व्‍यक्त करब थिक, परन्‍तु एकर प्रारूप एवम्‍ प्रक्रिया अतिशय दुरुह एवम्‍ कष्‍टकारी थिक जइसँ कर्त्ताक संग परिवारक अन्‍य सदस्‍यक स्‍वास्‍थ्‍यक संकट उत्‍पन्न भऽ सकैत अछि।  कलकत्तामे हमर एकटा सम्‍बन्‍धीक श्राद्धक क्रममे एहेन घटना घटि चूकल अछि। पिताक श्राद्ध करैत-करैत हुनक पुत्र बहुत तेज बोखारमे पड़ि कऽ आगूक श्राद्ध करबामे असमर्थ भऽ गेला एवम्‍ मजबूरीमे उतरीअनका दऽ श्राद्ध-कर्मक क्रिया आगू बढ़ल। आइ-काल्‍हि अधिकांश लोक गामसँ बाहर रहै छैथ एवम्‍ पोखैरमे नहेबाक अभ्‍यास नहि छैन, संगे पोखैरक पानि साफ, शुद्ध नहि रहैत अछि। अधिकांश पोखैरक पानि जमकल रहैत अछि।

एक दिन एक वृद्ध महिला हमर पत्नीकेँ तरह-तरहसँ प्रश्‍न करए लगली। कर्ताक हेतु भोजन केना बनबै छी? चुल्‍हि केहेन अछि? माटिक बरतन फोरै छिऐ की नहि? कर्त्ता केतए रहै छैथ? चौकीपर दाइ-गे-दाइ! चौकीपर कहीं कर्त्ता रहलैए! मच्‍छरदानी तँ बिलकुल नहि हेबाक चाही। कर्त्ता निच्‍चाँमे माटिपर पटिया बिछा कऽ रहक चाही..!

हद तँ तखन भऽ गेल जे एकादशा दिन कर्त्ता की खाथि अइले जबरदस विवरद भेल। अन्‍तमे, हमर भातिज पण्‍डितजीकेँ बजा अनला। ओ सभकेँ सुना कऽ घोषणा केलखिन जे ‘कर्त्ता चूरा-दही खेता।’ ऐसँ पूर्व पात्रजी सेहो सएह कहने रहथिन। दस दिनसँ अकर-बकर खाइत-खाइत हम तंग भऽ गेल रही ओ फेरसँ वएह सभ खेबाक हेतु तैयार नहि रही, तँए अपन पसन्‍दक निर्णय सुनि मन प्रसन्न भेल। हम चूरा-दही खेलौं। मुदा बात एतबेपर समाप्‍त नहि भेल। एकटा महिला चिचिया लगली-

“दाइ-गे-दाइ कर्त्ता आइ चूरा-दही नहि खाइत अछि। आइ तँ दही-भात खेबाक चाही!”

अपनहि कहल जाउ जे ऐमे कोन धार्मिकता? सहा सहा कऽ, अनुनाक कर्त्ता एवम्‍ ओकर परिवारकेँ सता देब केतए केर धर्म थिक? कहि नहि,मृतात्‍माकेँ ऐसँ केना सुख वा शान्‍ति भऽ सकतैन..!

घरसँ श्राद्ध स्‍थली (काली मन्‍दिर) तक हम चप्‍पल पहिर कऽ जाए लगलौं तँ महापात्रजीक संग-संग आरो गोरे अकर विरोध केलैन। आपसीमे चप्‍पल दोसर बेकती पहिर कऽ आएल आ हम ओहिना अखरे पएरे अबैत रहलौं। श्राद्धक उपरोक्‍त जखन अपन पएर देखलौं तँ बिसवास नहि भेल जे ई हमरे पएर अछि! सौंसे तरबामे मारि चट्ट पड़ि गेल छल। कारी पैरकेँ उज्जर करबामे कएक लागि गेल।

लोक मृतकक प्रति श्रद्धाभाव रखैत सभ किछु करैत रहै छैथ मुदा ऐ सभ प्रक्रियाक वैज्ञानिकता एवम्‍ समयानुकूल प्रासांगिकतापर विचार हेबाक चाही। मृतकक आत्‍माक शान्‍ति हेतु कोनो प्रयास कम अछि। सन्‍तान, समाजक दायित्‍व अछि जे हुनक प्रति श्रर्द्धांजलि व्‍यक्‍त करए। ऐमे दू-मतक कोनो प्रश्‍ने नहि उठैत अछि। मुदा ई जरूर विचारणीय अछि जे वर्तमानमे चलि रहल श्राद्ध प्रक्रियाक धार्मिक आ समाजिक महत्‍व केतेक औचित्‍य अछि? विद्वान लोकनि ऐपर उचित विचार कऽ सकितैथ तँ हमरा हिसावे ओसमाजक हेतु बहुत कल्‍याणकारी होइत।

वर्तमान बेवस्‍थामे कर्त्ता, हुनक पत्नी आ अन्‍य भाय लोकनि द्वादसा तक अनूना करै छैथ। कर्त्ताक हेतु मृतात्‍माक हेतु भोजन संगे बनैत अछि। ओ नित्‍य एकसंझा करै छैथ। गाहे, वगाहे फालादि खाइ छैथ। हुनकर आशन, वासन फराक रहैत अछि। नित्‍य महापात्र कर्म करबै छथिन। कर्म करैसँ पूर्व पोखैरमे स्‍नान, कर्मक पछाइत स्‍नान। दसम दिन केस कटैत अछि। तदुपरान्‍त एकादसा, द्वादसाक विधान अछि। महापात्रजीकेँ नित्‍य दछिना चाही। गरुर पुराणक खिस्‍सा सभ सुनैत-सुनैत कएक बेर हँसियो लागि जाइ छइ।  नाना प्रकारक नर्कक वर्णन अछि। ओइमे किछु विशेष नर्क सभ अछि। जेना केन्‍द्रीय कारागार होइत अछि। मृतात्‍माकेँ रस्‍तामे केदन कुटिल मार्गसँ जाए पड़ि सकैत अछि। तेकर वर्णन भेटत। कथानक केर मूल उद्देश्‍य नीक बुझाइत अछि, मुदा जइ प्रकारक तथ्‍य एवम्‍ कथाक समावेश ऐमे अछि, तैपर विचार आवश्‍क बुझाइत अछि। नीक कर्म केलासँ सद्गति भेटत,अधलाह करब तँ कष्‍टकारी नर्क भेटत, सारांश एतबे।

तात्‍पर्य आस्‍थामे प्रश्‍न-चिन्ह लगाएब नहि अछि अपितु वर्तमानमे प्रचलित श्राद्ध बेवस्‍थाकेँ समयानुकूल वैज्ञानिक एवम्‍ विकसित करब अछि। मृतात्‍माकेँ श्रर्द्धांजलिक आदर अबस्‍स आदर सहि आयोजन हेबाक चाही। परमात्‍माक प्रर्थना, भजन, कीर्तन सेहो हेबाक चाही जइसँ मृतात्‍माकेँ शान्‍ति होनि, हुनक परिवारकेँ आत्‍म संतोष होनि परन्‍तु वर्तमान प्रक्रिया की ऐमे उपयुक्‍त अछि? ऐपर विचार होबक चाही। कहि सकैत छी जे १२-१३ दिनक बात छै, माय-बाप कोनो रोज-रोज तँ मरैत नइ छैथ। जे होइत अछि, जेना होइत अछि निपैट ली। आ अही कारणसँ ऐ समाजिकताक निर्वाह लोक करैत अछि। मुदा एकर आकार, प्रकार एवम्‍ वैज्ञानिकतापर विचार करबामे कोनो दिक्कत नहि हेबाक चाही। उदाहरणस्‍वरूप वृषोत्‍षर्ग श्राद्धकेँ पंचदानसँ श्रेष्‍ठतर बुझल जाइत अछि परन्‍तु विचारणीय प्रश्‍न थिक जे एकटा निर्दोष बाछाकेँ लोहा धीपा कऽ दागि देल जाइ, ऐ हदतक जे भोखरैत, चिकरैत रहए, ओकर चमरी ओदैर जाइ, आ कहल ई जाइ जे मृतक ऐसँ स्‍वर्ग जेता, अमानवीय लगैत अछि। तेतबे नहि, ओ बाछा गाम-गाम वौआइत रहैत अछि आ खेती चरि जाइत अछि, जइसँ गौंआँ सभ परेशान रहै छैथ। कोनो युगमे ई प्रयोग लाभकारी रहल होइ मुदा आब तँ ई उचित नहि लगैत अछि।

श्राद्धक क्रममे महापात्र लोकनि एक्के मंत्रकेँ बेरबेर दोहरबै रहै छैथ। जेतेक प्रकारक बरतन, सामग्री दान हएत, सभकेँ बेराबेरी दान कएल जाइत अछि। एक्के मत्र-सभकेँ बीसो बेर पढ़क प्रक्रिया कष्‍टकारी अछि। एक्के बेरमे सभ दानक सामग्रीक हेतु मंत्र पढ़बामे कोन दिक्कत छइ?

ओहिना १४ मासिक कर्म करैमे बेरबेर एक्के प्रक्रियाकेँ दोहरौल जाइत अछि, जइमे १२ दिन लगभग सहैत कर्ताकेँ कष्‍ट हएब सोभाविक थिक। मंत्रकेँ एहेन संशोधित कएल जा सकैत अछि जे २-३ बेरमे सभ मासिक श्राद्ध सम्‍पन्न भऽ जाए। परन्‍तु समस्‍या तँ ज्‍यादासँ ज्‍यादा दछिनासँ जुड़ल अछि। जेतेक मासिक श्राद्ध हेतै तइबेर दछिना कबुलनामा हेतइ। आमक गाछ दान करू, मोनक मोन वर्षकृत्‍य हेतु अन्न दान करू। हँसी तखन लागल जे महापात्रजी मोटर साइकिल दान करबाक हेतु, कहैत कहला जे हुनकर पुत्र ऐ हेतु प्रेरणादय रहल छैन। विद्वान लोकनिकेँ ऐ समस्‍या सभ विचार करब जरूरी बुझाइत अछि, जइसँ वर्तमान परिवेशमे श्राद्धक परम्‍पराक निर्वाह सुगम होइ जइसँ अगुओ ई चलैत रहए।

कोनो पितर वा मृतात्‍मा नहि चाहता जे हुनकर नाओंपर हुनके सन्‍ताकेँ कष्‍ट होइन। अर्थिक बरबादी होनि होइन। प्रश्‍न श्रद्धा एवम्‍ आस्‍थाक अछि, ऐ हेतु कसल जा सकैत अछि जे ऐपर चर्चा व्‍यर्थ अछि। परन्‍तु यदि अहिना आँखि मुनि परम्‍पराकेँ निर्वाह होइत रहत तँ भऽ सकैए जे क्रमश: ई बेवस्‍था विलुप्‍त भऽ जाइक कारण अधिकांश लोक आब प्रवासी भऽ गेल छैथ। गामसँ सम्‍पर्क क्षीण भऽ गेल अछि। शहरमे ओ सुविधा, वातावरण नहि अछि। तथापि लोक वर्तमान बेवस्‍थाकेँ चला रहल अछि, मुदा अन्‍य समाजमे एहेन टेँढ़ बेवस्‍था नइ अछि। अस्‍तु श्राद्ध बेवस्‍थाक औचित्‍यपर प्रश्‍न चिन्‍ह लागत?

अपना इलाकामे श्राद्ध भोज आम बात अछि। एकादशा एवम्‍ द्वादसा, दुनू दिन व्रह्मण-भोजनक बेवस्‍था अछि। सम्‍भवत: एगारह गोट व्राह्मण-भोजन ऐ हेतु पर्याप्‍त अछि परन्‍तु बेवहारमे बात भिन्न अछि। लोक गामक गाम भोज करै छैथ जइमे लाखो रूपैआ खर्च होइत अछि। एकादसामे सिद्ध अन्न एवम्‍ द्वादसामे असिद्ध अन्न, जेना पुरी, मिठाइ आदि-आदि। रसगुल्‍ला, छेना तँ अनिवार्य भऽ गेल अछि। पहिने पुरी, जिलेबीक भोज होइ तँ गामक गाम सोर भऽ जाइ छल मुदा आब तँ बदैल गेल। लोकक जेबी भरल छइ। जबार नोतब आम बात भऽ गेल अछि। समाजिकता एवम्‍ मनोरंजनक दृष्‍टिये एकरा पसन्‍द कएल जा सकैत अछि परन्‍तु एकर धार्मिक कर्मकाण्‍डीय औचित्‍यपर विचार उचित अछि। बढ़ियाँ होइत जे ऐ अर्थ शक्रिक प्रयोग वयोवृद्ध एवम्‍ असक्‍य लोकनिक सेवा वो संरक्षणमे होइत। हम ऐ प्रकारक चर्चा गाममे केलौं, गाहे-वगाहे पहिनौं करैत रहलौं परन्‍तु लोक लीकसँ हटि कऽ करबा हेतु तैयार नहि होइ छैथ। सोचै छैथ जे खूब भोज कऽ देलासँ दिवंगतक प्रति अपूर्ण रहि गेल दायित्वक ऐ तरहेँ सम्‍भरण भऽ जाइत मुदा से सही नहि अछि। सही मानेमे आब भोज खेनिहार लोको सभ तंग भऽ गेल छैथ आ लोकमे भोजक प्रति आब वो उत्‍साह नहि देखल जाइत अछि जेना २५-३० साल पूर्व रहइ। लोक सभ भोज खाइत-खाइत तंग भऽ जाइत छल, तथापि समाजिक दायित्‍व बुझि ऐ परम्‍पराक निर्वाह कऽ रहल छैथ।

कहल जा सकैत अछि जे हम वर्तमानमे चालू परम्‍परामे खोंटेटा देखा रहल छी मुदा किछु विकल्‍प नहि प्रस्‍तुत कए रहल छी। ई बात सर्वविदित अछि जे श्राद्धक बेवस्‍था धार्मिक आस्‍था एवम्‍ मृतकक प्रति श्रद्धासँ जुड़ल अछि एवं कोनो-ने-कोनो रूपमे सभ धर्म। जाति। समाजमे विद्यमान अछि। सही मानेमे श्रद्धक उद्देश्‍य मृतक प्रति सम्‍मान एवम्‍ श्रद्धाक अभिव्‍यक्‍ति अछि। मृत्‍युपरान्‍त जीवन, पुर्जन्‍म, श्राद्धक कारण पितर-लोकनिक कल्‍याण, ई सभ विषय गम्‍भीर अन्‍वेषणक अपेक्षा रखैत अछि आ लोक अपन-अपन दृष्‍टिसँ एकर समाधान कऽ सकै छैथ परन्‍तु एतावत ई तँ बुझाइत अछि जे श्राद्धक वर्तमान बेवस्‍था बोझिल, जटिल एवम्‍ बहुत अधिक यांत्रिक अछि एवम्‍ ऐमे सुधारक पर्याप्‍त गुंजाइश अछि। उदाहरणस्‍वरूप श्राद्धक कार्यक्रम १२ दिनक अपेक्षा ४ वा ५ दिनमे समेटल जाए। दोसर दिन केसकट्टी आ तेसर, चारिम दिन श्राद्ध भऽ सकैत अछि। पाँचम दिन माछ-भात। उपरोक्‍त समय-सारणीक अनुसार श्राद्ध बेवस्‍थामे संशोधन भऽ सकैत अछि आ हेबाको चाही। हमर आग्रह अछि जे ऐ विषयक विद्वान पण्‍डित लोकनि आपसी चर्चा कए संशोधित बेवस्‍था पंचाग एवं अन्‍य प्रकारेण प्रकाशित, प्रचारित करैथ। ई आत्‍यावश्‍यक अछि। तखने अपन समाजक ऐ संस्‍कारक जीवन्‍त रहबाक सम्‍भावना रहत अन्‍यथा कालक्रमे सभ अपने-आप ऐ बेवस्‍थाकेँ तिलांजलि दय दैथ तँ कोनो आश्‍चर्य नहि।

हमरा लोकनि स्‍मार्टफोन, फोरजीक युगमे रहि रहल छी। संचार बेवस्‍थाक संगे जीवनक समस्‍त आयाममे आधुनिकताक समावेश भऽ रहल अछि। विश्‍व एक परिवार बनि गेल अछि। दुनियाँक कोनो भागमे रहैत हमरा लोकनि आधुनिक संचार, तकनीकि बेवस्‍थाक सहयोगसँ अपन संस्‍कार, संस्‍कृतिसँ जुड़ाउ रहि सकैत अछि मुदा तइले जरूरी अछि जे हमर परम्‍परामे वैज्ञानिकता, आधुनिकताक समावेश हुअए।

माइक देहावसानसँ रहि-रहि कऽ मनमे कचोट भऽ जाइत अछि। हुनकर असीम सिनेह एवम्‍ निरंतर सुगम आशीर्वादक स्‍वर प्रतिध्‍वनित होइत रहैत अछि। कहि नहि आब ओ केतए, कोन रूपेँ हेती..!

..मुदा ओ सतत हमर कल्‍याण करैत रहती से दृढ़ बिसवास अछि। हुनकर श्रर्द्धांजलिक हेतु कोनो प्रयास कमे अछि। तथापि हमर विचार अछि जे श्राद्धक वर्तमान बेवस्‍थामे आमूलचूक  परिवर्तनक सम्‍भावना एवम्‍ आवश्‍यकता अछि। श्रद्धा, बिसवास आ आस्‍थाक रक्षा करैत बेवहारिकता एवं आधुनिकताक समावेश हेबाक चाही एवम्‍ समयानुकूल सर्वसुलभ पद्धैतक विकासक हेतु विद्वान लोकनिकेँ प्रयास करक चाही।◌