बुधवार, 25 जनवरी 2017

डॉ. जयकान्‍त मिश्र







डॉ. जयकान्‍त मिश्र(संस्मरण)

सन् १९७८ इस्‍वीक जनवरी मासमे दिल्‍लीसँ स्थानांतरण भए हम इलाहाबाद गेल रही। ओहि समय प्रथम बेर डॉ. जयकान्‍त मिश्रजी सँ हुनकर तीरभूक्‍ति,  सर पीसी वनर्जी  रोड स्‍थित घरमे भेँट भेल। बिना कोनो पूर्व परिचय रहितहुँ ओ सभकाज छोड़ि हमरासँ भेँट केलाह। एकटा मैथिलकेँ हमर डेरा तकबाक हेतु कहलखिन। ओतहिसँ हमर हुनका संग परिचय ओ सम्‍पर्कक क्रम प्रारंभ भेल जे अन्‍त धरि चलैत रहल। जखन-कखनो हम हुनकर डेरापर जाइ तँ ओ सभकाज छोड़ि हमरासँ अत्‍यन्‍त अपनत्‍व भावसँ गप्प करथि। अपनेटा नहि,  अपितु हुनक पत्नी,  ओ संगे रहनिहार परिवारक अन्‍य लोकनि सभ सेहो ओहिना गप्प-सप्‍पमे संग देथि। जलखै,  चाह,  पान तँ हेबे करइ। ओही क्रममे कतेको गणमान्‍य मैथिल लोकनिसँ हुनकर डेरापर भेँट भेल। हुनकर अध्‍ययन,  अध्‍यापन,  लेखन सबहक अवलोकन करबाक अद्भुत अवसर भेटल। कए दिन हुनका संगे इलाहाबाद विश्वविद्यालयक अंग्रेजी विभाग गेलहुँ,  जाहिठाम ओ अंग्रेजी विभागक अध्‍यक्षक पदपर कार्यरत छलाह। 

इलाहाबादमे रहनिहार मैथिल समाज डॉ. जयकान्‍त मिश्रसँ पूर्ण परिचित छलाह। अधिकांश मैथिल सभसँ हुनकर व्यक्तिगत सम्‍पर्क छलनि। प्रत्‍येक साल विद्यापति समारोह मनाओल जाइत छल। डॉक्‍टर जयकान्‍त मिश्र ओहिमे अवश्‍यमेव रहैत छलाह। हुनकर डेरापर निरन्‍तर मैथिलीक विकास केना हो,  तकर चर्चा होइत रहैत छल। ओ सदिखन बाजथि- 

“मैथिलीमे लिखल करू। मैथिलीक हेतु काज करू।” 

संगे मैथिलीक हेतु कएल गेल अपन अनवरत संघर्षक चर्चा सेहो होइत,  जाहिसँ मैथिली विकास यात्राक साक्षात अनुभव होइत छल। 

मैथिली भाषाकेँ बिहार लोक सेवा आयोगमे हटा देल गेल रहइ। तकरा पुनश्‍च आपस अनबामे, मैथिलीकेँ बच्‍चा सबहक शिक्षाक अनिवार्य माध्‍यम बनेबाक हेतु ओ कहि नहि,  कतेको बर्ष संघर्ष करैत रहलाह आ अन्‍ततोगत्‍वा अपन प्रयासमे सफल रहलाह। मैथिलीक विकास हेतु ओ गाम-गाम घुमैत रहलाह। ततबे नहि,  जतए कतहु मैथिलीक चर्चा होइत आकि कोनो कार्यक्रम होइत तँ ओहिमे डॉ. जयकान्‍त मिश्रजी अबस्‍से भाग लेथि। 

आयु बढ़लासँ नाना प्रकारक स्‍वास्‍थ्‍य सम्‍बन्‍धी समस्‍या रहैत छलनि। हुनका कतेको साल पूर्व पेसमेकर लागल छल तथापि जँ कतहु मैथिलीक कार्यक्रममे हुनका बजाओल जाइत,  तँ ओ अवश्य जाथि। परिवारक लोक चिन्‍तित भए जाइत छलखिन।

एकबेर हम इलाहाबादसँ पटना जाइत रही। स्‍लीपरमे हमर आरक्षण छल। डॉक्‍टर जयकान्‍त मिश्रजी केँ देखलहुँ। ओहिना ठाढ़,  बिना सीटेक यात्रा कए रहल छलाह। बहुत आग्रह केलापर ओ हमर सीट लेबाक हेतु तैयार भेलाह। कहथि जे ओ अहिना चलि जेताह। ई छल हुनकर उत्‍साह- मैथिली कार्यक्रमे भाग लेबाक। ओहि दिन पटनामे कोनो मैथिली कार्यक्रममे भाग लेबाक हेतु जाइत छलाह। 

डॉ. जयकान्‍त मिश्रजीक भाषा ओ  व्यवहारमे अद्भुत मधुरता छल। कखनो नहि लगैत जे एतेक पैघ विद्वानसँ गप्प कए रहल छी। जे जेहने स्‍तरक लोक रहैत,  तेकरा संग तेहने भए गप्प करितथि, पूरा घ्‍यान देथि, घरक सदस्‍य जकाँ ओकर पूर्ण स्‍वागत करथि। 

घरक प्रथम तलपर हुनकर पुस्‍तकालय छल। ओहिमे बैस कए ओ अध्‍ययन,  लेखन करैत रहैत छलाह। इलाहाबादसँ एकटा लघुकाय मैथिली पत्रिकाक सम्‍पादन सेहो करै छलाह । हुनकर नाति,  भातिज सभ ओहि पत्रिकाक मैथिल लोकनिमे वितरणक व्यवस्था करथि। कहिओ काल हमरो ओहि काजमे ओ लगा लैत छलाह। 

माघ मासमे प्रयागमे संगमतर पर ओ सपरिवार मास करैत छलाह। मिथिलाक प्रसिद्ध माछबला झण्‍डा मैथिल पण्‍डा सबहक पहिचान अछि। ओहि झण्‍डाकेँ देखि कए जयकान्‍त बाबू डेराक ठेकान लागि जाइत छल। 

दिल्ली चलि अएलाक बहुत दिनबाद नवम्बर २००७ इस्‍वीमे हम इलाहाबाद गेल रही। हुनकर डेरापर गेलहुँ। परन्‍तु, ओ काशी मास करए चल गेल रहथि। हुनकासँ भेँट नहि भए सकल। हुनकर डेरापर हुनकर नाति,  एवं परिवारक अन्‍य सदस्‍य सभ छलाह। डेरा उदास-उदास लगैत छल। परिवारमे कएटा दुर्घटना भए गेल छल। किछु साल पूर्व हुनक ज्‍येष्‍ठ पुत्र डा. रूद्रकान्‍त मिश्रक आकस्‍मिक असामयिक निधन भए गेल छल। आओर कएटा गप्प-सप्‍प...। एहि सबहक आभास घरमे भए रहल छल। किछुकाल बैसला बाद हम सभ ओतए-सँ अपन स्‍मृतिकेँ पुनश्च जगा कए ओहिठामसँ विदा भए गेलहुँ। डॉक्‍टर साहेबसँ भेँट नहि भए सकल ताहिबातक मोनमे बहुत कचोट होइत रहल  । 

डॉक्‍टर जयकान्‍त मिश्रजीक पिता महामहोपाध्‍याय डॉ. उमेश मिश्रक बर्षी बहुत यत्न पूर्वक मनाओल जाइत छल। ओहिमे डॉक्‍टर साहेब ओतए हम (जाधरि इलाहाबादमे रहलहुँ) नियमित आमंत्रित होइत छलहुँ। हुनकर सम्‍पूर्ण परिवार अत्‍यन्‍त मनोयोग पूर्वक ब्राह्मण भोजनक व्यवस्था करैत रहलाह। नाना प्रकारक भोजनक व्‍यंजन सबहक स्‍मरणे मात्रसँ मोन आनन्‍दित भए जाइत अछि । भोजनक संग-संग कतेको गप्प-सप्‍प मैथिल लोकनिसँ ओहि अवसरपर भेँट भए जाइत छल। 

इलाहाबादमे गप्प-सप्‍पक क्रममे ओ मैथिलीकेँ साहित्‍य अकादेमीमे मान्‍यताक सम्‍बन्‍धमे हुनक कएल गेल प्रयासक वर्णन करथि। ओहि हेतु ओ दिल्‍लीमे तत्‍कालिन प्रधान मंत्री द्वारा मैथिली पोथीक प्रदर्शनीमे भाग लेब,  दिल्‍लीक उपराज्‍यपाल स्‍व. आदित्‍यनाथ झाजीक प्राप्‍त समर्थन एवं सहयोगक चर्चा सेहो करैत छलाह। 

एकबेर हम डॉ. शुभद्र झाजीक संग इलाहाबादमे डॉ. जयकान्‍त मिश्रजीक ओहिठाम जाइत रही। रस्‍तामे डॉ. जयकान्‍त मिश्रजीक मैथिलीक प्रति अनुराग ओ मैथिलीक विकास हेतु संघर्षक प्रशंसा करैत डॉ. शुभद्र झा कहलाह-

“मिथिलामे डॉ. जयकान्‍त मिश्रक एवं हुनक पूर्वज लोकनिक अद्भुत योगदान अछि।” 

संगे ईहो कहलाह- 

“एहन बहुत कम परिवार भेटत जाहिमे लगातार छह पुश्‍त सरस्‍वतीक एहन आर्शीवाद प्राप्‍त रहल हो।” 

ओ दिल्‍ली  आबथि तँ  हमरा सूचित करथि। कतेको बेर तँ ओ हमरे ओतए ठहरैत छलाह। कए बेर हवाइ यात्रासँ उतरि लबनचूस बच्‍चा सबहक लेल नेने अबैत छलाह। जाधरि ओ डेरापर रहथि,  निरन्‍तर मैथिली सम्‍बन्‍धी चर्चा होइत रहैत।

मैथिली आन्‍दोलनक संघर्ष यात्रा आओर अनेकानेक लोकनिक योगदानक चर्चा सेहो होइत। 

एकबेर ओ (डॉ. जयकान्‍त मिश्र) दिल्‍लीमे यूजीसीक मैथिलीक प्रश्‍न पत्र बनबए खातिर आएल रहथि। संगमे स्‍व. सुमनजी एवं डॉ. नवीन बाबू सेहो रहथिन। ओ तीनू गोटे हमर आग्रहपर पुष्‍पबिहार,  दिल्‍ली स्‍थित हमर आवासपर अएलाह आ एकसंग हुनका सभकेँ भोजन करेबाक सौभाग्‍य प्राप्‍त भेल। ओहि अवसरकेँ स्‍मरण करैत अखनो रोमांचित भए जाइत छी। तीनू गोटेक एकट्ठे हमरा ओतए आएब आओर हुनकर वार्तालाप सुनि मोन आनन्दित भए गेल। आनन्‍दितो केना ने होइत,  डॉ. सुमनजी एवं डॉ. नवीन बाबू सी.एम. कौलेज- दरभंगामे हमरा मैथिली पढ़ओने रहथि। 

डॉ. मिश्रजी अत्‍यन्‍त समाजिक व्यक्ति छलाह। इलाहाबाद किंवा बाहरोक मैथिल लोकनिकेँ व्यक्तिगत स्‍तरपर ओ मदति करैत छलाह। नयाकटरा,  इलाहाबाद स्‍थित हमर डेरापर कएक बेर पएरे चलि आबथि। कतेको मैथिल विद्यार्थी सभकेँ ओ अपना ओहिठाम राखि कए हुनकर शिक्षामे  सहायता करैत छलाह। 

इलाहाबाद विश्वविद्यालयक अंग्रेजी विभागक अध्‍यक्ष पद हेतु हुनका बहुत विरोधक सामना करए पड़ल छलनि। ताहि खातिर ओ इलाहाबाद उच्‍च न्‍यायालयमे केस सेहो केने रहथिन। अन्‍तोगत्‍वा हुनकर विजय भेल,  आ ओ अंग्रेजी विभागाध्‍यक्ष भेलाह। हुनकर विरोधी सबहक कहब रहैक जे ओ मैथिलीमे लिखैत छथि। हुनकर पी.एच-डी.क विषय ‘मैथिली भाषाक इतिहास’ छल तखन ओ अंग्रेजी विभागक अध्‍यक्ष केना भए सकैत छथि?

जयकान्‍त बाबू दिल्‍ली आएल रहथि। तहिया हुनकर पोती रोहिनीमे रहैत छलखिन।। हुनकासँ भेँट करबाक रहनि। हमरा संगे चलए कहलनि। बसपर ठाढ़े हम दुनू गोटे रोहिनी विदा भएलहुँ। इलाहाबादसँ एकटा पोटरी अनने रहथि। तेकरा उपहार स्‍वरूप अपन पोतीकेँ देलखिन। किछु कालक बाद हम सभ ओहिठामसँ आपस भए गेलहुँ। ओहि पोतीक बिआह दिल्‍लीएमे भेलनि एवं बिआहक हकार हमरा देबाक हेतु डॉ. रूद्रकान्‍त मिश्र (कन्‍याँक पिता) स्‍वयं आएल रहथि। हम बिआहक अवसरपर गेलो रही। बिआहमे डाक्टर साहेबक सभ भाए आएल रहथिन। कोनो प्रकारक दहेज नहि लेल गेल छल। डॉक्‍टर साहेब दहेज रूपी लेन-देनक खिलाफ छलाह एवं एकरा मिथिलाक संस्‍कृतिक प्रतिकूल कहथि। 

डॉक्‍टर जयकान्‍त मिश्रजीक पिता महामहोपाध्‍याय- डॉ. उमेश मिश्रक बनाओल मकानमे डॉक्‍टर साहेब एवं हुनकर भैयारी लोकनि सेहो रहैत छलखिन।। सभसँ शुरूबला हिस्‍सामे डॉक्‍टर साहेब रहथि आ तकर बाद बलामे आर भाए सभ। 

डॉक्‍टर साहेबक व्यक्तिगत जीवनमे,  परिवारोमे भोजन आ रहन-सहनमे मिथिलाक संस्‍कृतिक अमिट छाप छल। मकानक ओसारपर माछक मूर्ति लटकल,  सदैव झूलैत रहैत छल। घरमे भोजन बनबएकाल देहपर वस्‍त्र नहि रहक चाही। ब्राह्मण भोजनकाल परसनिहार आ भोजन केनिहार गंजी,  कमीज नहि पहिरथि। भोजनमे पियाजु-लहसुन नहि पड़ए। जखन कखनो ओ बाहर यात्रापर जाथि तँ अपन नियम सबहक पालन कठोरतासँ करथि। बाहरमे बेसीकाल चुरा-दहीसँ काज चलबथि। 

इलाहाबादमे रहितहुँ ओ गामसँ सम्‍पर्क बनओने रहथि आ सभ साल मास-दू मास गाम जा कए रहथि। गामसँ लौटैत काल सभ ग्रामीणक ओहिठाम जा कए भेँट करथि एवं पुनश्च गाम अएबाक इच्‍छा रखैत सभसँ विदा लेथि। एहि क्रममे किछु साल पूर्व ओ गाम गेल रहथि,  ओतहि बहुत जोरसँ बिमार पड़ि गेलाह। हृदयाघातभए गेल रहनि। ओहिठामसँ लोक सभ उठा-पुठा कए दरभंगा अनलकनि। दरभंगामे थोड़ेक सुधार भेला पछाइत इलाहाबाद आपस अएलाह। इलाहाबादमे हुनकर मासो इलाज चलल। बहुत मुश्‍किलसँ हुनकर जान बॉंचल। बिमारीसँ उठलाक बाद एक दिन फोनपर गप्प भेल रहए। बहुत दुखी बुझाइत रहथि। अबल भए गेल रहथि,  तथापि मैथिलीक विकासमे अभिरूचि बनल छलनि आ ओहि विषयमे गप्प करैत रहलाह। 

मैथिलीक विकासक हेतु डॉ. मिश्रजीक अद्भुत योगदान अछि। संविधानक अष्टम अनुसूचीमे मैथिलीकेँ शामिल करबाक हेतु ओ कतेको साल प्रयास करैत रहलाह। अन्‍ततोगत्‍वा हुनकर ईहो स्वपन्न साकार भेल एवं मैथिलीकेँ संविधानक अष्‍टम् सूचीमे शामिल कएल गेल। 

इलाहाबाद विश्वविद्यालयसँ सेवा निवृत्त भए ओ मध्‍यप्रदेशमे चित्रकुट स्‍थित ग्रामीण विश्वविद्यालयमे विभागाध्‍यक्ष भेलाह। ओहिठाम ओ कएक साल धरि रहि संस्‍थानक शिक्षण व्यवस्थाकेँ उत्‍कृष्‍ट बनेबामे संलग्‍न रहलाह। नानाजी देसमुख विश्वविद्यालयक उपकुलपति रहथि। देसमुखजी डॉ. मिश्रक कार्यसँ अतिशय प्रभावित रहथि। हुनकर इच्‍छा रहनि जे डॉ. मिश्र ओतए बनल रहथि परन्‍तु मैथिलीक काजमे विशेष रूचि ओ व्‍यस्‍तताक कारणेँ ओ विश्वविद्यालयक काजसँ त्‍याग-पत्र दऽ देलनि। 

डॉक्‍टर मिश्र अत्‍यन्त अध्‍ययनशील व्यक्ति छलाह। रातिमे जखन-तखन ओ उठि जाथि आ पढ़ए लागथि। हुनकर स्‍वास्‍थ्‍यक चिन्‍तासँ फिरसान भए परिवारक लोक कएक बेर आपत्ति करथि जे एतेक परिश्रम नहि करथि,  मुदा ओ अपन कार्यक्रममे अनवरत लागल रहैत छलाह। मैथिलीक नाम सुनिते जेना हुनका स्‍फुर्ति आबि जाइत छल। पेसमेकर लगलाक बादो ओ मैथिलीक आन्‍दोलनक हेतु समर्पित रहलाह आ जतए कतहु हुनका  एहि काजे बजाओल जानि तँ ओ सहर्ष जाथि। 

२००८ इस्‍वीमे,  नव वर्षक आगमनक अवसरपर हम हुनका नव वर्षक मंगल कामना पत्र पठौने रहिएनि। तकर जवाबमे ओ पोस्‍टकार्ड लिखने रहथि जाहिमे थर-थर कँपैत हाथसँ लिखल गेल अक्षर ओ हस्‍ताक्षर देखि हुनक एहू अवस्थामे सकृयताक प्रमाण भेटल। तकर बाद लगभग साल भरि कोनो सम्‍पर्क नहि रहल। जनवरी (२००९) मे एक दिन डॉ. धनाकर ठाकुरजी पत्र इन्‍टरनेट पर पढ़ल,  जाहिमे डॉक्‍टर मिश्रक प्रयागमे मासक दौड़ान निधनक समाचार छल। कतेको बेर ओहि समाचारकेँ पढ़लहुँ। मैथिलीक एकटा अनन्य सेवकक चिर संघर्षक बाद देहावसान भए गेल छल। मिथिलाक गाम-गाममे शोक सभा मनाओल गेल। श्रर्द्धांजलि देनिहार लोक सबहक हुनक प्रति सिनेह अवर्णनीय छल। 

डॉ. जयकान्‍त मिश्र अपने-आपमे मिथिलाक इतिहास छलाह। मिथिलाक कोनो एहन  गाम नहि होएत जतए ओ मैथिली कार्यक्रमक हेतु नहि गेल होथि। विद्यापति समारोह हो,  किंवा मैथिलीकेँ संविधानक अष्टम सूचीमे शामिल करबाक हेतु आयोजित आन्‍दोलन हो,  वा मैथिलीकेँ शिक्षाक अनिवार्य माध्‍यम बनेबाक प्रयास हो,  सभठाम हुनकर नाम अबिते छल एवम् ओ व्यक्तिगत रूपसँ सभ कार्यक्रमे भाग लइते छलाह। 

जखन-कखनो ओ भेटितथि,  मैथिलीमे लिखबाक हेतु प्रेरित करबे करथि,  मैथिलीक सम्‍मानक हेतु कएल जा रहल प्रयासक चर्चा करितथि, सभ काजपर मैथिलीसँ जुड़ल आन्‍दोलनकेँ प्राथमिकता देबे करथि। 

मैथिलीक एहि अनन्‍य सेवकक कतेक उपकार अछि तकर वर्णन असंभव।हुनक साहृदयता, वाणीक मधुरता एवं अपनत्व सदिखन मोन पड़ैत रहत आ मोन रहत हुनका संग बिताओल गेल अद्भुत क्षण। ओ आब नहि छथि,  मुदा कोटि-कोटि मैथिलक हृदयमे ओ सदिखन विद्यमान छथि आ  रहताह।





 















रविवार, 22 जनवरी 2017

वरिष्‍ठ नागरिक  


वरिष्ठ नागरिक

सन् २००७ मे भारतवर्षमे माता-पिता एवम् वरिष्ठ नागरिकक भरण-पोषण एवम् कल्याण कानून लागू भेल। एहि कानूनमे मूलत: निम्नलिखित चारिटा बिन्दुपर ध्यान राखल गेल अछि-  

१. माता-पिता एवम् वरिष्ठ नागरिकक आवश्यकताक अनुसार गुजाराक जोगार हेतु उपयुक्त व्यवस्था।  

२. वरिष्ठ नागरिक हेतु वेहतर चिकित्साक व्यवस्था।  

३. वृद्ध लोकनिक जीवन एवम् सम्पत्ति केर रक्षा हेतु संस्थागत व्यवस्था।  

४. प्रत्येक जिलामे वृद्धाश्रमक स्थापना।  

उपरोक्त कानूनक अनुसार सन्तानक माने वालिग पुत्र, पुत्री, पौत्र, पौत्री अछि। साठि साल वा ओहिसँ अधिकक कोनो व्यक्ति केँ विरिष्ठ नागरिक कहल जाएत। नि:सन्तान वरिष्ठ नागरिकक सम्पत्तिक वारिस वा ओकर सम्पत्तिपर कब्जा रखनिहार वालिग व्यक्ति ओकर सम्बन्धी मानल जेता। गुजारामे भोजन, वस्‍त्र, आवास एवम् चिकित्साक उचित व्यवस्था शामिल अछि।  
प्रश्न अछि जे उपरोक्त कानूनक आवश्यकता किए भेल? अपन माटि-पानिक संस्कारमे वृद्धकेँ सदैव आदरसँ देखल जाइत छल। परिवारकेँ हुनकर ज्ञान एवम् अनुभवक लाभ तऽ भेटिते छल, संगहि सेवा सामान्य रूपसँ होइत रहैत छल। कालक्रमे संयुक्त परिवार टुटैत गेल। लोक गाम-घर छोड़ि कए नौकरी-चाकरीक जोगारमे महानागर चल गेल। गाममे वृद्ध असगर भए गेलाह। शहरी वृद्धक हालत तऽ आरो खराप होइत जा रहल अछि, कारण ओहिठाम लोक अलग-थलग रहैत अछि। अड़ोस-पड़ोससँ कोनो मतलब नहि रहैत छइ।  
उपरोक्त परिस्थितिमे बुढ़ सभहक हालत खराप होइत गेल। जीवनक अन्‍तिम वर्ष संघर्षमय एवम् दुखद भेल जा रहल अछि। परिबारिक भावात्मक लगाव कम भेल जा रहल अछि। कतेको वृद्ध लोकनिकेँ आमदनीक श्रोत नहि छै आ परिवार उचित व्यवस्था नहि करैत अछि। जिनका अधिक धिया-पुता अछि ओ सभ एक-दोसरपर फेका-फेकी करैत रहै छथि। उपरोक्त परिस्थिति निपटक हेतु एवम् वृद्धजनक कल्याणक हेतु ई कानून बनल। एहिसँ पूर्व सी.आर.पी.सी.क अधीन राहत हेतु मोकदमा चलि सकैत छल, मुदा ओ बहुत जटिल प्रक्रिया अछि। निपटानमे बहुत समय लागि जाइत अछि। 
२०१७ इस्वीसँ लागू उपरोक्त कानून बहुत असरदार अछि। एहिमे तीनसँ चारि मासमे न्याय भए जाइत अछि। कोनो पक्ष ओकील नहि राखि सकैत अछि। हरेक जिलामे एहि हेतु न्यायाधिकरण अछि। न्यायाधिकरण मामलाक सार-संक्षेपमे सुनवाइ कए कए १० हजार रूपैआ मासिक धरिक राहत दिया सकैत अछि। एहि कानूनमे सभसँ विशेष बात ई अछि जे जँ माता-पिता किंवा वरिष्ठ नागरिकक सम्पत्ति हुनक सन्तान किंवा सम्बन्धी लइ छथि आ हुनकर पालन-पोषणमे कोताही करै छथिन तऽ सम्बन्धित माता-पिता वा वरिष्ठ नागरिक न्यायाधिकरणमे दर्खास्त दए सकै छथि आ न्यायाधिकरण के ओहन सम्पत्ति हस्‍तांतरणकेँ निरस्त कए ओहि पर माता-पिता वा वरिष्ठ नागरिकक मालिकाना हक आपस दिया सकै छथि। एहि न्यायाधिकरणक निर्णयक विरूद्ध कोनो सिविल कोर्टमे सुनवाइ नहि भए सकैत अछि। जरूरत पड़लापर जिलाधिकारीक समकक्ष अधिकारीक अध्यक्षतामे गठित अपीलीय न्यायाधिकरण ओहिठाम अपील कएल जा सकैत अछि। 
एहि कानूनकेँ लागू भेला पाँच बर्ख भए गेल तथापि गामसँ शहर धरि वृद्ध-वृद्धा लोकनिक समस्याक समाधान नहि भए सकल। तकर एकटा प्रमुख कारण ई थिक जे माता-पिता अपने सन्तानक विरूद्ध नहि बजै छथि। लोक लाजक कारणेँ परिबारिक विषयपर चर्चो नहि करए चाहै छथि। अपवादिक मामलामे आसपासक लोककेँ पता लगैत छइ। थाना, पुलिस, कोर्ट, कचहरी के करत? जीवनक संध्यामे एहि तरहक फसाद करब सम्भव नहि बुझाइत अछि। 
समस्या मात्र आर्थिक नहि अछि। वयोवृद्ध लोकनिकेँ शारिरिक अक्षमता एवम् निर्भरता बढ़ैत जाइत छै। जँ पैसा बैंकमे अछि तऽ आनत के? जँ क्यो आनियोँ देलक तऽ रोज-रोज वस्तु-जात केना आएत? आबियो जाएत तऽ ओकर मनोनुकूल उपयोग कए सकता ताहि बातकेँ के सुनिश्‍चित करत? 
जे बात हृदय एवम् श्रद्धासँ भए सकैत अछि ओकरा कानून द्वारा लागू केना कएल जाएत? जाहि वृद्ध सभकेँ सन्तान नहि अछि, हुनक समस्या आर जटिल रहैत अछि कारण निकट सम्बन्धी हुनकर सम्पत्तिपर धपाएल रहै छथि आ सम्पत्ति कब्जा कए निपत्ता..! 
भारतीय संविधानक चारिम भागक ४१म अनुच्छेदमे वृद्ध लोकनिक हित रक्षा करबाक परामर्श अछि। मुदा ई दिशा निर्देश हेबाक कारणेँ कानूनी अधिकार नहि दैत अछि। हिन्दू दत्तकक ग्रहणसँ भरण-पोषण अधिनियम, १९५६क अधीन पहिल बेर कानूनी तौरपर बेटा एवम् बेटीकेँ माता-पिताक पालन-पोषण करबाक जिम्मेदारी देल गेल। अपराधिक प्रक्रिया संहिताक धारा १२५ मे पहिल बेर सन् १९७३ मे व्यवस्था कएल गेल जे आर्थिक रूपसँ सक्षम सन्तानकेँ माता-पिताक भरण-पोषण करबाक कानूनी दायित्व अछि। मुदा एहि कानूनकेँ व्यवस्थाक अनुसार ज्यादासँ ज्यादा ५०० रूपैआ प्रतिमास माता-पिताकेँ भेटि सकैत छै। उपरोक्त रकम वर्तमान समयमे देखैत हास्यास्पद लगैत अछि। ई कानून सभ धर्मक लोकपर लागू होइत अछि।  
वृद्ध लोकनिक भरण-पोषण हेतु सभसँ धारदार कानून माता-पिता एवम् वरिष्ठ नागरिकक भरण-पोषण एवम् कल्याण अधिनियम २००७ अछि। वरिष्ठ नागरिकक जीवन संध्यामे आर्थिक कष्टक निवारण हेतु रिभर्स मोर्गेज स्कीम २००८ आनल गेल अछि। ओ अपन अर्जित मकानकेँ बैंकक पास बन्धक राखि कए ओहि एवजमे आजन्म मासिक आय प्राप्त कए सकै छथि, संगहि ओहि मकानमे रहिओ सकै छथि। हुनकर मृत्युक पश्चात हुनकर उत्तराधिकारी बैंकक ऋृण सूद सहित अदा कए मकान आपस अपना नामे करा सकै छथि अन्यथा बैंक ओहि मकानकेँ बेचि कर्जक रकम चुकता कए सकैत अछि।  
एहनो वृद्ध छथि जिनका सन्तान सम्पत्ति किछु नहि अछि। ओ की करता? कानूनसँ हुनका कोनो मदति सम्भव नहि? बहुत रास वृद्धक सन्तान परदेशमे नौकरी आकि व्यवसाय करै छथिन। एहन बुढ़ सभ मजबूरीमे शहर अपन सन्तान लग चलि जाइ छथि मुदा ओहिठाम हुनका मन नहि लगै छै। गाम-घर छुटबाक दरेग हरदम मनमे कचोटैत रहै छै। सारांश जे वृद्धजनक जीवन-यापन एवम् समुचित व्यवस्था एकटा गम्‍भीर समस्या भए गेल अछि चाहे ओ गाम हो, शहर हो, धनीक हो वा गरीब। सभ एहि समस्याक शिकार छथि। सभकेँ एक दिन एहि परिस्थितिसँ गुजरबाक अछि। जे आइ युवक अछि, काल्हि ओहो वृद्ध होएत। समाजिक परिस्थिति क्रमश: बिगड़िते जा रहल अछि। धिया-पुता जे देखत सैह ने आगू करत। ई बात सभ सोचैत अछि मुदा किछु मजबूरीमे आ किछु लापरवाहीमे घरक बुढ़केँ काहि काटक हेतु विवश छोड़ि दइ छथि। वृद्ध लोकनिसँ जुड़ल एक-सँ-एक घटना नित्यप्रति समाचार पत्र, रेडियो, दुरदर्शनपर अबैत रहैत अछि। एकटा एहने घटना किछु दिन पूर्व दिल्लीमे घटल। एक वृद्ध महिलाक पतिक मृत्यु भए गेल छलनि। दिल्लीमे हुनका आलीशान भवन छलनि। पुत्र अमेरिकामे काज करैत रहथिन। बहुत दिनपर पुत्र दिल्ली अएला आ माएकेँ अपना संगे चलबाक प्रस्ताव केलखिन। 
बेटाक बातसँ माए बहुत प्रसन्न भेली। दिल्लीक एकाकी जीवनसँ ओ तंग भए गेल छेली। बेटा कहलखिन जे जखन सभ गोटे अमेरिकामे रहब तऽ दिल्लीक घरक की होएत? से नहि तऽ एकरा बेचि लेनाइए ठीक रहत। माए सहर्ष ई प्रस्ताव मानि लेलथि। दिल्लीक मकान बेचि देल गेल। सभटा टाका बेटाक खातामे जमा भेल। तकर बाद सभ क्यो दिल्ली हवाई अड्डा पहुँचलाह। अमेरिकाक यात्राक क्रममे। माएकेँ बाहर बैसा देलखिन्, ई कहि कए जे टिकट कटा कए आबि रहल छथि। माए बाहर प्रतीक्षा करैत रहली आ ओ किएक आपस अएता। जखन बहुत समय गुजरि गेल तऽ पुलिस ओहि वृद्धा लग आएल आ ओकर बात बुझलक। तखन हठात्‍ पुलिस कहलकै जे अमेरिकाक जहाज उड़ला तऽ घण्‍टो भए गेलइ। बटा माएकेँ छोड़ि कए अमेरिका चल गेल। बुढ़िया असगर कनैत रहल...।  
ई बात ओकर मकान कीननिहारकेँ सेहो पता लगलैक। बुढ़ियाकेँ अपन घरमे एकटा छोटसन जगह देलकै। बेटा घुरि कए कहियो हाल-चाल लेबए नहि आएल। लोककेँ कतेक धोखा भए सकैए तकर ई उदाहरण अछि। 
दिल्ली विश्वविद्यालयक विधि विभागक प्रोफेसर ८७ वर्षीय लोतिका सरकारक खिस्सा जगजाहिर अछि। दिल्लीक K-१/१० हौजखास इनक्‍लेभमे हुनकर घर छल जकरा हुनकर परिबारिक मित्र हथिया लेने छलाह। घटनाक्रम तेहन भेल जे हुनका अपने घरसँ बाहर होमए पड़ल। तखन हुनकर इष्ट-मित्र सभकेँ एहि बातक जानकारी भेल। प्रो. लोतिका सरकारक तरफसँ समाजिक संगठन वरिष्ठ नागरिक न्यायाधिकरणमे केस केलक।  
तमाम पूछ-ताछक पश्चात उपरोक्त न्यायाधिकरण लोतिका सरकार द्वारा कथित उपहारमे देल गेल हुनकर घर हुनका आपस दिओलक। लोतिका सरकारक सम्पत्ति हरपनिहार एक उच्च पदस्थ पुलिस अधिकारी छलाह जे हुनकासँ दोस्‍तीक स्‍वांग करैत-करैत हुनकर कीमती घरकेँ कब्‍जिया लेलाह। जँ दिल्लीक संभ्रान्त समाजक मदति नहि करैत तऽ प्रो. लोतिका सरकारक तऽ लूटा गेल छल। सेहो एहन व्यक्ति द्वारा जे स्वयं अति शिक्षित उच्च पदस्थ पुलिस अधिकारी छलाह। रक्षको यत्र भक्षकः सिद्ध भए रहल छल। 
होमपेज इण्‍डिया द्वारा कएल गेल एकटा सर्वेक्षणक मुताबिक प्रत्येक तीनमे सँ एक वृद्धकेँ परिबारिक लोक द्वारा प्रतारणाक सामना करए पड़ैत छै। ५६ प्रतिशत एहन मामलाक हेतु पुत्र एवम् २५ प्रतिशत मामलामे पुत्रवधु जिम्मेदार होइ छथि। एहिमे सँ आधासँ अधिक वृद्ध एहन घटनाक बारेमे मूलत: परिबारिक प्रतिष्ठाकेँ ध्यानमे रखैत ककरो नहि कहैत छथि। एहन घटना मध्य प्रदेशमे सभसँ अधिक (४७.९२ प्रतिशत) आ राजस्थानमे सभसँ कम (१.६७ प्रतिशत) भेल। अधिकांश वृद्धक धारणा अछि जे वृद्ध लोकनिक दुर्दशा रोकबाक हेतु धिया-पुताकेँ सचेष्ट करब जरूरी अछि। वृद्ध एवम् बच्चाकेँ आपसी सिनेह एवम् सामंजस्य बढ़ाएब जरूरी अछि। अर्जित आत्म निर्भरता सेहो जरूरी अछि। वृद्धजनकेँ संयुक्त परिवारमे रहबाक व्यवस्थाकेँ उत्साहित करबाक हेतु राष्ट्रीय नीति बनक चाही एवम् ओहन लोक सभकेँ टैक्‍स एवम् सरकारी नौकरीमे विशेष सुविधा देबाक चाही। एक अन्य प्रतिवेदनक अनुसार सन् २००० सँ २०५० क बीचमे भारतक जनसंख्या ६० प्रतिशत बढ़ि जाएत। 
एहि अवधिक बीच वरिष्ठ नागरिकक संख्या ३६ प्रतिशत बढ़ि जाएत जे तत्काल आवादीक २० प्रतिशत होएत। ईहो कहल गेल अछि जे विश्वमे २०५० इस्वी धरि महिला वरिष्ठ नागरिकक संख्या पुरुखसँ अधिक भए जाएत। समाजमे महिलाक स्थिति ओहिना संघर्षपूर्ण रहैत अछि। ८० बर्खसँ ऊपर पुरुखक तुलनामे महिला अधिक दिन जीबै छथि। जाहिमे अधिकांश बिधवा भए गेल रहै छथि। सर्वेक अनुसार ८० बर्खसँ बेसी आयुवर्गमे ७० प्रतिशत बिधवा एवम् २९ प्रतिशत विधुर छथि।  
समाजक उपेक्षा एवम् लिंग आधारित भेदभावक कारण बिधवा वृद्धाक जीवन अपेक्षाकृत बेसी कष्टकर भए जाइत अछि। शिक्षा एवम् जगरुकताक अभावमे ओ सरकारी सहायताक लाभ नीकसँ नहि उठा पबै छथि। कएक बेर हुनकर सम्पत्तिकेँ हरपि लेल जाइत अछि एवम् नाना प्रकारक प्रतारणाक शिकार सेहो होमए पड़ैत अछि। 
निरंतर बढ़ैत वृद्धक जनसंख्या आ लड़खड़ाइत परिबारिक संरचना वरिष्ठ नागरिक सभहक समस्याकेँ जटिल केने जा रहल अछि। पूर्वमे किछु कानूनी व्यवस्थाक चर्चा भेल मुदा समस्या अछि जे अपने सन्तानक विरूद्ध न्यायक मांग कए आगू बढ़ैबला हजारमे क्यो एक व्यक्ति होइ छथि, शेष लोक यंत्रनापूर्ण जीवन बीतबैत स्वर्ग सीधारि जाइ छथि।  
आइसँ करीब २९ बर्ख पूर्व दिल्लीमे स्कूटरक पाछाँ एकटा बुढ़केँ उघारे देहे आ एकटा हाथ ऊपर उठेने जाइत देखने रहिऐक। पुछलियनि जे ई एना किए छथि? तऽ आसपासक लोक सभ कहलक जे किछु साल पर्व हुनका अपन बेटाक संगे किछु विवाद भए गेल रहनि आ ओ हुनकर अँगा फाड़ि देलखिन तहियासँ ओ अँगा पहिरब छोड़ि देलखिन आ विरोध-स्वरूप एकटा हाथ हमेशा आकाश दिशि केने रहै छथि। ..सोचल जा सकैए जे ओहि पिताकेँ कतेक आन्तरिक कष्ट भेलनि जे एहन रूप धऽ लेलथि ।  
समस्या तऽ ई अछि जे घर-परिवारसँ अनादृत, उपेक्षित होइतो वृद्ध लोकनि जाथि तऽ कतए जाथि? कोनो दोसर विकल्‍प नहि बुझाइत अछि? नौकर-चाकरपर निर्भरता कतेको बेर जानलेबा साबित होइत अछि। घरमे असगर रहनिहार बुढ़क समस्या तऽ आर जटिल भए गेल अछि।  
सरकारी एवम् गैर-सरकारी संस्था द्वारा वरिष्ठ नागरिकक हेतु आवास सहित आन व्यवस्था सभ सेहो कएल गेल अछि मुदा ओ अपर्याप्त अछि। दिल्ली, फरीदावाद, नोएडामे एहन कतेको आवास (ओल्‍ड एज होम) अछि। 
परन्तु एहि सभ ठाम रहनिहार वृद्ध लोकनिक हालत कोनो नीक नहि कहल जा सकैत अछि। कलकत्तामे डीगनीटी फाउण्‍डेसन, प्रोग्राम आदि नामसँ कतेको एहन संस्था सभ एहि क्षेत्रमे काज कए रहल अछि। मुदा वृद्ध लोकनिक संख्या देखैत एहन सुविधा नगण्य अछि। फेर अधिकांश बुढ़ तऽ ग्रामीण क्षेत्रमे रहि रहल छथि। जाहिठाम परिवारक अतिरिक्त कोनो प्रकारक सहायताक सम्भावना नहि अछि।  
सरकार वरिष्ठ नागरिक लोकनि लेल कएटा सुविधा सभ दैत अछि, जेना- रेल टिकटमे छूट, अस्पतालमे अलग काउन्टर, पोस्‍ट ऑफिस, बैंक आदि सन सार्वजनिक जगहपर अतिरिक्त सुविधा मुदा व्यवहारमे ई सुविधा सभ पर्याप्त नहि होइत अछि। अक्‍सर वृद्ध लोकनिकेँ झगड़ा करएपर मजबूर होमए पड़ै छनि। एहि मामलामे दिल्लीक मेट्रोमे निश्चय बेहतर व्यवस्था अछि। वरिष्ठ नागरिककेँ आसानीसँ आरक्षित जगहपर बैसए देल जाइत अछि।  
दिल्ली लोदी गार्डेनमे भोरू-पहरमे टहलैबला सभहक हुजुम रहैत अछि। ओहिमे कएटा संगठित समूह बनि गेल अछि जाहिमे अधिकांश वरिष्ठ नागरिक लोकनि छथि। ओ सभ भोरकेँ टहलै तऽ छथिहे संगे आपसमे भेँट-घाँट आ गप्प-सप्प सेहो करैत रहै छथि। श्री भुरेलाल (सेवा निवृत्त आइ.ए.एस.) क ठाकुरद्वारा ट्रस्‍ट सेहो ओहिठाम बहुत सक्रिय अछि। वृहस्पति दिनकेँ नि:शुल्‍क चाहक व्यवस्था ओतए रहैत अछि। टहलला पश्चात सभ ओतए एकट्ठा होइ छैत, चाह पीबै छथि आ आपसमे अपन-अपन नीक-अधलाहक चर्च-बर्च करैत, हाँ-हाँ–हीं-ही करैत सभ क्यो घर घुमै छथि।  
एहि सम्पर्कक प्रभावसँ कएटा वृद्धकेँ घोर विपत्तिसँ उबड़ैत पुनश्च नव उत्साहक संग जीबैत देखिलहुँ। ठाकुरद्वारा ट्रस्‍ट एकटा गैर-सरकारी संगठन अछि जे कतेको तरहक सेवा कार्य करैत अछि। कोसीक जखन बाढ़ि आएल छल तऽ अहू ट्रस्‍ट द्वारा ट्रक भरि सहायता-सामग्री लए कए लोक सभ ओतए जरूरतमन्द लोकनिकेँ बीच बितरित केलनि। लोदी गार्डेनमे सेहो समय-समयपर अनेको कार्यक्रम ई सभ आयोजित करैत रहै छथि।  
हौज खास, दिल्ली स्थित डियर पार्कमे सिनियर सिटिजन कॉसिल, दिल्लीक नामक एकटा संस्था अछि जे वरिष्ठ नागरिकक सुख-सुविधा आ मनोरंजनक लेल व्यवस्थामे लागल रहैत अछि। समय-समयपर ओ सभ विदेश भ्रमणपर सेहो जाइत रहै छथि। भोरमे ७ बजेसँ ८:३० बजे धरि नित्य ‘योग व्‍यायाम’ सहित अन्यान्य सांस्‍कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कएल जाइत अछि। पाँच सएसँ अधिक नागरिक एहि संस्थाक सक्रिय सदस्य छथि। किछु दिन पूर्व केन्‍द्र सरकार गरीबी रेखासँ निच्चाँबला वरिष्ठ नागरिकक हेतु मुफ्तमे छड़ी, चश्‍मा आ कानमे लगबैबला उपकरण देबाक घोषणा केलक अछि। जिलाक कलक्टरक अधीन गठित एकटा समिति एहन लाभार्थीक पहचान करत। उपरोक्त समिति कानमे लगबैबला मशीन, चश्‍मा आ नकली दाँत इत्‍यादि वरिष्ठ नागरिकक हेतु बनेबाक लेल मूलभूत मेडिकल परीक्षण सेहो कराएत । जनवरी २०१७ इस्वीसँ मार्च २०१७ इस्वीक बीच सभ जिलामे १००० वरिष्ठ नागरिककेँ ई सुविधा देल जाएत।  
एवम् प्रकारेण सरकार ओ समाज सेवी लोकनि वरिष्ठ नागरिकक कल्याण हेतु बहुविध प्रयास कए रहल छथि। मुदा ई समस्त प्रयास मिलियो कए परिवारक स्थान नहि लए सकैत अछि। अस्तु जरूरी अछि जे आधुनिकता एवम् वैश्‍वीकरणक प्रवाहमे हमरा लोकनि अपन संस्कारकेँ नहि बिसरी। माता-पिता, एवम् अन्य वरिष्ठ नागरिकक प्रति अपन दायित्व निर्वाह आनन्दपूर्वक करी जाहिसँ ओ गर्वसँ जीबथि आ शान्‍तिसँ अपन जीवनक यात्रा पूर्ण करथि।  
समाजमे एहन लोककेँ उत्साहित करक चाही जाहिसँ अधिकांश लोक अपन माता-पिताक सेवा कानूनक भयसँ नहि अपितु कर्तव्यक भावनासँ करथि। एहि उद्देश्यसँ पटना स्थित आचार्य किशोर कुणालजी द्वारा स्थापित महावीर मन्‍दिर ट्रस्‍ट द्वारा श्रवण कुमार पुरस्कार पुत्र द्वारा माता-पिता आ पुतोहु द्वारा ससुरक सेवा केनिहारकेँ देल जाइत अछि। समाजमे विरिष्ठ नागरिकक जीवन सुगम करबामे एहि तरहक प्रयास निश्चय प्रेरणादायी भए सकैत अछि।  
अस्तु समाजमे वृद्ध लोकनिक आदर, सम्‍मान ओ सेवा बढ़य से संस्कार बच्‍चेसँ धिया-पुताकेँ देल जाए, एहिमे सभहक कल्याण अछि।  

अभिवादनशीलस्य नित्‍यं वृद्धोपसेविन:

चत्वारि तस्य वर्धन्‍ते आयुर्विधा यशोवलम्।

◌