बुधवार, 12 जुलाई 2017

नवका पोखरि


नवका पोखरि



“हर-हर महादेव।

जानह हे महादेव!

हमरा मोनमे किछु छ: पाँच नहि अछि।

तूँहीं जानह हे महादेव..!”

अहाँकेँ जे बुझाए मुदा हम तँ अपना भरि सभकेँ सभ दिन केलिऐ...।

आ हम केकरा नहि केलिऐ...?”

पंचमुखी महादेवपर जल ढारैतकाल महिला सभ आपसमे अहिना चिरौरी करैत रहैत छलीह...।

एक हाथ महादेवक निर्मालपर आ दोसर हाथे जल ढारि रहल महिला सभ बीच-बीचमे मौका पबिते फदका पढ़ए लागथि। जे किओ आएल, महादेवक ऊपरसँ जल ढारलक। जाड़ होइत आकि गरमी, सभ मौसममे जलढरी अनवरत चलैत रहैत छल। रच्छ छल जे दुपहरियामे ई भीड़ कम भए जाइत रहैक जाहिसँ महादेव चैनक अनुभव करैत हेताह। कम-सँ-कम घरेलू तथा पारिवारिक झमेल सभ सुनबासँ तँ मुक्ति होइते रहनि।

चारि बजे भोरेसँ नवका पोखरिपर स्‍नानार्थी सभ टपकए लगैत छल। ओहिमे नियमित पाँच गोटे टोलसँ अबैत छलाह जाहिमे तीन गोट महिला छलीह। टाइमक सोलहन्नी पाबन्द। भोरे-भोर हर-हर महादेव!’ किछु वृद्ध नवका पोखरिक कोनपर बसल परिवारमे सँ सेहो भोरे स्नान करएबला लोक सभमे सामिल रहिते छलाह।

स्नान, ध्यान आओर आराधनाक संग महादेवक अनवरत जलढरी चलैत रहैत छल, आ ताहिसंग गपाष्टक जे आनन्द छल, तकर वर्णन नहि कएल जा सकैत अछि। कहि नहि, महादेवकेँ ई सभ कतेक पसिन्न पड़ैत हेतनि! मुदा लोक सभ तँ तृप्त लगिते छलाह। सभ अपना-आपमे मगन, सभ अपने-आपमे आनन्दित।

ओहि समयमे पोखरि-इनार खुनाएब बहुत मान-मर्यादाक बात बुझल जाइत छलैक। ओना, गाममे पहिनेसँ कएटा पोखरि रहैक, जाहिमे तीनटा पोखरि तँ हमरा सबहक टोलेमे बुझू। तकर अलाबा कुट्टी लगक पोखरि सेहो। तथापि आओर पोखरि खुनाओल गेल, तकर तात्‍पर्य बुझल जा सकैत अछि...।

नवका पोखरि प्राय: सभसँ बादमे बनल छल तेँ ओकरा नवका पोखरि कहल जाइत अछि। पोखरिक दच्छिनबरिया महारपर मन्दिरक संग रंग-रंगक फूल सभ लगाओल गेल छल। जेना-चम्पा, भालसरी, कामिनी, करबीर, अड़हुल इत्यादि। चम्पा, करबीर आ अड़हुलक बड़का-बड़का गाछ छल।

हमर पित्ती–स्व. वंगट मिश्र– नवका पोखरिक दिन-राति देख-रेख करैत छलाह। नवका पोखरिक दच्छिनबरिया महारपर भगवान शिवक पंचमुखी मूर्तिबला मन्दिर छल। नवका पोखरि तथा ओहिठामक मन्दिरक निर्माण हमर सबहक समस्त दियाद सभ मिलि कए केने रहथि।

न्दिरक प्राण-प्रतिष्ठा हमर पितामह–स्व. श्रीशरण मिश्र–द्वारा भेल रहए। पोखरिक जाइठ देबएकालक खिस्सा सभ हम सभ बच्चामे सुनिऐ। सम्पूर्ण परिसरक सफाइ स्व. वंगट काका करैत छलाह। वंगट काका असगरे जीवन पर्यन्त ओहि काजकेँ पूर्ण भक्ति-भावसँ करैत रहलाह। कहिओ थाकैथ नहि। निस्वार्थ, स्वान्त: सुखाय एहि काजकेँ करैत ओ तत्‍कालिके समाजक नहि अपितु अखनो समाजक बीच दृष्टान्त छथि। माघक भयानक ठंढ हो आकि जेठक तप्त रौद ओ देहपर एकटा गमछा मात्र रखैत छलाह। अपना समयक नामी पहलमान सेहो रहथि। नवका पोखरिक उत्तरबरिया महारपर अखाड़ा छल। ओहिठाम युवक सभकेँ कुश्तीक प्रशिक्षण दैत छलाह, डंड बैसक करैत छलाह। किलोक- किलो आखाड़ाक माटि देहमे औंसने घामसँ तर-बत्तर भए जाइत छलाह। तकर बाद बड़का खर्ड़ासँ सम्पूर्ण परिसरकेँ अपने हाथे साफ करैत छलाह। प्रात: स्नान करएबला लोक सभकेँ तरह-तरह क हिदायत दैत रहैत छलखिन। पोखरिक पानि स्‍चच्छ बनल रहए, ताहि लेल सतत सतर्क रहैत छलाह। पोखरिमे साबुनसँ कपड़ा खिचनाइ मना छल, एहि लेल ऊपरमे ब्यवस्था छल। ओहि समयमे किओ-किओ पोखरिमे साबुनसँ कपड़ा खींच लेथि, मुदा जँ पकड़ल गेलाह तँ भगवाने मालिक।

नवका पोखरिक दिन-प्रति-दिनक देख-रेखक सम्पूर्ण दायित्व ताजीवन वंगट काका बिना कोनो स्वार्थक उठओने छलाह। घन्‍टो ओहि परिसरक विकासक हेतु काज करैत रहलाह। हुनका बाद ओहि स्थानक पूर्ति नहि भए सकल, भइयो नहि सकैत छल।

वंगट काकाक गाम भरिमे धाख रहनि। कोनो पर-पंचैतीमे हुनका अबस्स बजाओल जाइत रहनि। धिआ-पुता कुश्ती लड़ए, खेती-बाड़ी करए, माल-जालक सेवा करए, महींस राखए जाहिसँ डोलक-डोल शुद्ध दुधक सद्य: लाभ होइक–ताहि विचारक पोषक छलाह। कए दिन हुनका बाबूसँ विवाद भए जाइत छलनि। विवादक मुद्दा रहैत छल जे पढ़ाइ-लिखाइ करब सार्थक थिक आकि निरर्थक? आब किओ सुनत तँ हँसत। मुदा वंगट काका ऊत्साहसँ बाजथि-

पढ़ो पूत चण्‍डी, जासे चले हण्‍डी।

कहक सारांश- खेती-बाड़ी करू, एहिमे सद्य: लाभ अछि। पढ़ाइ-लिखाइमे कहिआ की होएत से के देखलक!

गाममे किओ लुंगी पहीरलक तँ ओ जोरदार विरोध करथि। समय बीतलाक बाद आब कहल जा सकैत अछि जे पढ़ाइ-लिखाइक समर्थन करब सही छल, विरोध गलत। गाममे वा कतहु जे पढ़लक-लिखलक से आगू भए गेल। ओहू समयमे किछु गोटे कहथि-

पढ़ोगे-लिखोगे बनोगे नबाब।

निश्चित रूपसँ ओ सभ अग्रसोची रहथि।

न्दिरक आगूमे धर्मशाला छल। फूसक दरबज्जानुमा घर जे चारूकातसँ खुजल छल। किओ थाकल-ठेहियाएल पथिक ओतए रहि सकैत छलाह। ओ समस्त परिवारक अतिथि होइत छलाह। हुनकर सभटा ब्यवस्था होइत छल। हमरा मोन पड़ैत अछि जे एकबेर एकटा महात्मा आएल रहथि। ओ बाजैथ नहि। सिलेटपर लिखि कए अपन इच्छा, अपन मन्तव्य प्रकट करथि। हुनकासँ भेँट करक हेतु लोकक करमान लागल रहैत छल। सौंसे देह विभुति रमौने, जौरक डोराडोरि पहिरने, जटा जूट धारी भेष हुनक आकर्षणक केन्द्र रहनि।

गाम-घरमे एहन साफ-सुथरा रमणीक पार्कनुमा स्थान भेटब कठिन। ओना तँ खेत-पथार सभ हरियर कंचन रहिते अछि, थाल-कादोक अपन स्वाद सेहो छइहे, मुदा ताहू माहौलमे जे अध्यात्मिक, सांस्कृतिक केन्द्रक रूपमे नवका पोखरिक ब्यवस्था छल आ बहुत दिन धरि जेना चलैत रहल ओ बेमिसाल कहल जा सकैत अछि।

नवका पोखरिक निर्माणमे हमरा लोकनिक परिवारक समस्त लोकक योगदान छल। नवका पोखरि परिवारक गौरवसँ जुड़ल छल। ककरो कुटुम्ब अबितथि तँ नवका पोखरिपर हुनका अबस्स आनल जाइत।

ओहिठाम स्नान, ध्यान होइत,गप्प-सराका चलैत। धर्मशालामे बैस कए आराम सेहो कएल जा सकैत छल। वंगट काका नित्य दुपहरियामे ओहिठाम धर्मग्रन्‍थ पढ़थि। सायंकाल भगवान शिवक आरती-पूजाक संग नाचारी सेहो गाओल जाइत छल। ओहिमे नियमित अनेको वृद्ध लोकनि भाग लेथि।

बादशाह बाबा शिव मन्दिरक पूजाक बहुत दिन धरि ब्यवस्था देखैत रहलाह। सायंकालक नाचारीमे ओ हमर बाबा आओर वंगट काका तँ रहिते छलाह जे हुनका संगे कएटा आओर वृद्ध सभ सेहो नाचारी गायनमे भाग लए सुर-मे-सुर मिलबैत छलाह। बाबा कतए सुतल छी औ! बालक वनमे कतए-सँअएला, किओ नहि हुनकर सथिया...। आदि नाचारीक स्वर अखनो हमर कानमे गुंजित होइत रहैत अछि।

नवका पोखरिक भालसरी गाछक छाहरिमे हम कतेको दिन बैस कए प्रतियोगिता परीक्षा-सबहक तैयारी करैत रही। कतेको दिन हम अपन मित्र सभक संग साँझक समयमे ओतए बैस गप्प-सप्प करी, भविष्यक योजना बनाबी। स्वच्छ, निर्मल वातावरणमे गाम-घरक झंझटिसँ दूर नवका पोखरिपर बैस कए एकटा स्वर्गीय आनन्द होइत छल। हम नियमित भोर-सॉंझ ओहिठाम जाइत रही।

प्राय:काल नित्यकर्म-स्नान, पूजा आओर व्यायाम आदि ओतहि होइत छल। नित्य सायंकाल गप्प-सप्प करबाक हेतु कएक गोटा भेट जाथि। पूजा-पाठ तँ होइते छल। संग-संग एकटा स्वस्थ मनोरंजनक तथा अध्यात्मिकताक अनुभूति सेहो ओहिठाम होइत छल।

गाममे हमरा फरिखमे जँ ककरो देहान्त होइत तँ ओकर श्राद्धक्रर्म ओहीठाम होइत छल। हमर बाबा आओर बाबूक श्राद्ध-कर्म सेहो ओहीठाम भेल छलनि। वैदिकी श्राद्ध-क्रर्ममे बछराकेँ दागल गेल। ओकर करूण क्रन्दन अखन धरि हमरा रोमांचित करैत रहैत अछि। हमरा विचारासँ ई अमानवीय प्रयोग अछि, एहिसँ स्वर्गक सीढ़ी किओ केना चढ़त से हमर समझसँ बहार अछि? आओर जे अछि से अछि, मुदा ई काज औअल दर्जाक क्रूड़ता अछि। एकटा जीवित प्राणीकेँ सरी धीपा कए दागि देब, कतहुसँ मनुष्‍यता नहि थिक। नहि चाही एहन स्वर्ग, जाहि हेतु एकटा निरीह, निर्दोष जीवक संग क्रूड़ताक पराकाष्ठा कएल जाए। ओहुना आब गाम-घरमे एकर विरोध भए रहल अछि, कारण साँढ़ द्वारा जजाति चरि गेलासँ क्षतिक संग अन्यान्य कारण सभ सेहो अछि।

नवका पोखरिसँ हमर बाबाकेँ बहुत सिनेह रहनि। जीवनक अन्तिम समय धरि ओ नवका पोखरि अबस्स जाइत छलाह। हाथमे छड़ी लेने रोडपर चलैत एक बेर हुनका एकटा साइकिलबला टक्कर मारि देने रहनि। ओहू अबस्थामे एक्के हाथे साइकिलकेँ घिसिएने-घिसिएने अपन दरबज्जापर लए आएल रहथि।

सम्भवत: १९६७-६८ इस्‍वीक गप्प थिक। हमरा लोकनि नवका पोखरिपर पुस्तकालय बनेबाक हेतु बैसार केलहुँ। गामक तमाम गणमान्य लोक सभ बैसारमे रहथि। ओहिसँ पूर्व गाममे एकटा पुस्तकालय बहुत पहिनेसँ छल, जे कोनो कारणसँ अव्यस्थित भए गेल छल। एक समयमे ओ पुस्तकालय गामक प्रतिष्ठित संस्थान छल। १९६२क चीन-भारत युद्धक समाचार सुनबाक हेतु ओहिठाम सौंसे गामक लोक जमा होइत छल। सटले खादी भण्डार छल ओ धिआ-पुताक खेल-धूपक सामग्री सेहो छल। मुदा की भेलैक जे सभ गतिविधि कमश: ठप्प जकाँ भए गेल। नव पुस्तकालय बनेबाक बैसारमे किछु प्रवुद्ध लोकक विचार रहनि जे ओही पुस्तकालयकेँ जीर्णोद्धार कएल जाए। यद्यपि हम सभ ओहि प्रस्तावक समर्थन नहि केने रही, मुदा आब लगैत अछि जे ओ सही बिचार छल। नवका पोखरिक धर्मशालामे पुस्तकालयक स्थापना हेतु प्रयासकेँ आगू बढ़बैत कएकटा बैसार आओर भेल। पुरान पुस्तक सभ घरे-घरसँ ताकि-हेरि कए आनल गेल। पुस्तक सभ रखबाक हेतु लकड़ीक रैक बनाओल गेल।

पुस्तकालयक उद्घाटन हेतु डा. सुभद्र झाजीकेँ आमंत्रित कएल गेल। ओहि समयमे सेवा निवृत भए ओ गामेमे रहए लागल रहथि। हाथमे बेंत लेने, मिरजई पहीरिने ओ पुस्तकालयक उद्धघाटन कार्यक्रममे आएल रहथि। हमरा लोकनि हुनकासँ किछु बजबाक आग्रह कएल। ओ कहलाह जे भाषण करब हुनका एकदम पसिन नहि अछि। तथापि ओ अपन बात कहैत पुस्तकालयक संचालनमे होबएबला व्यवहारिक असुविधा सबहक वर्णन करैत अपन जीवनक अनेकानेक अनुभवक चर्चा सेहो केलनि। ओ पुस्तकालय अल्‍पजीवी भेल। संसाधनक अभावमे किछुए दिनक बाद सभ किछु ठप्प पड़ि गेल।

नवका पोखरि अपना-आपमे एकटा संस्था छल। अध्यात्मिकताक संग ग्रामीण संस्कारकेँ सेहो प्रज्‍वलित केने रहैत छल। मुदा सभ खिस्साक कतहु-ने-कतहु आ कहुना-ने-कहुना अन्त होइते अछि। नवको पोखरिक संग सेहो सएह भेल। जहिना प्रत्येक मनुक्खक जीवनमे उत्था-पतन होइत अछि तहिना एहि संस्थाक संग सेहो भेल। जखन वंगट काका स्वर्गीय भए गेलाह तकर पश्चात किओ एहन व्यक्ति नहि भेल जे नवका पोखरिक संग हुनका जकॉं एकरुप भए सकए। ककरो ओ रूचियो नहियेँ रहए। जाहि फुलबाड़ीमे एकटा पात नहि खसल भेटैत छल से क्रमश: कूड़ा, कर्कटसँ भरल रहए लागल।

पोखरिक देख-रेख सेहो ढील भए गेल। ततेकटा परिवार एहि पोखरि आओर लगपासक परिसरक हिस्सेदार छथि जे एकर एक स्वरमे रक्षा ओ विकास करबाक बजाय आपसेमे कचर-बचर होइत रहल। ढनमनाइत, ढनमनाइत मन्दिर खसि पड़ल। पोखरि सबहक व्यापारीकरण भए गेल। पोखरिक पानि स्नान करए जोगर नहि रहि गेल। कालान्तरमे किछु युवक लोकनिकेँ एहिपर ध्यान गेलनि। जाहिसँ मन्दिरक जीर्णोद्धारक प्रयास भए रहल अछि। आओर-आओर सकारात्मक प्रयास भए रहल अछि।

न्दिर भगवानक घर थिक, जतए लोक अपन-अपन अहंकारक विसर्जन कए ईश्वरक शरणमे पहुँचैत अछि। अस्तु एकर पुनर्निर्माण ओ रखरखावमे जँ एहि बातक ध्यान राखल गेल जे ओ परिवार विशेषक नहि अपितु समस्तस्थावान लोकनिक वस्तु बनि सकए, तँ निश्चय ई कल्याणकारी होएत आ नवका पोखरि फेरसँ अपन गौरव प्राप्त कए सकत।





रविवार, 9 जुलाई 2017

कानूनी आतंकवाद (भारतीय दण्‍ड संहिता धारा- ४९८ ‘ए’, IPC 498 ‘A’)




 


कानूनी आतंकवाद
(भारतीय दण्‍ड संहिता धारा- ४९८ ’, IPC 498 ‘A’)



परंपरागत रूपसँ परिवारिक जीवनमे स्‍त्री अपन पति केर सहायकक रूपमे काज करैत छल। समस्‍या तखन बढ़ि गेल जखन पति-पत्नीक आपसी सम्‍बन्‍धक कटुता परिवारक चौकैठसँ आगू बढ़ल। सहैत-सहैत महिलाक जीवन व्‍यर्थ ओ दुष्‍कर हुअ लगल, आ ओइ परिस्‍थितिसँ मुक्‍तिक एकमात्र उपाय आत्‍म हत्‍या बुझि पड़ए लगलइ। केतेको महिला द्वारा ऐ तरहेँ आत्‍म हत्‍या केलाक बाद समाजक आत्‍मा आइपीसी- धारा- ४९८ सन हिंसक कानूनक जन्‍म देलक।

ऐ कानूनकेँ लागू भेलाक बाद गलत वा सही महिला द्वारा आरोपक एफआइआर थानामे दर्ज भेला  पछाइत पति एवम्‍ ओकर परिवार–अर्थात्‍ वयोवृद्ध माता, पिता एवम्‍ छोट-छोट बच्‍चा सभ सेहो–पुलिसक कृपापर ऐ हद तक निर्भर भऽ जाइ छला जे जखन हुनका पुलिस चाहत तँ जेलमे बन्‍द कऽ दैत।

सन्‍ १९८३ मे फौजदारी कानूनमे संशोधन कऽ भारतीय दण्‍ड संहिता (आई.पी.सी.)मे अनुच्‍छेद ४९८ जोड़ल गेल जइमे मूलत: निम्नलिखित प्रावधान छल-

१.      जखन कखनो पति वा ओकर सम्‍बन्‍धी महिलाक संग क्रुड़ता करत तँ अपराधीकेँ तीन साल तकक कैद हएत, संगे जुर्माना सेहो भऽ सकैत अछि। 

ऐ अनुच्‍छेद हेतु क्रुड़ताक अर्थ अछि-

(क)    जानि कऽ कएल गेल एहेन बेवहार, जइसँ सम्‍बन्‍धित महिला आत्‍म हत्‍या करबाक स्‍थितिमे पहुँच जाए किंवा महिलाकेँ शारीरिक वा मानसिक स्‍वास्‍थ्‍यकेँ गंभीर क्षति पहुँचैक।

(ख)   सम्‍बन्‍धित महिला वा ओकर निकट सम्‍बन्‍धितसँ सम्‍पैत वा कोनो मूल्‍यवान वस्‍तुक गैर कानूनी मांग करब आ एहेन मांग नहि पूरा भेलापर वा तइ हेतु प्रतारणा करब।

भारतीय दण्‍ड संहिताक धारा ४९८ संज्ञेय, गैर जमानती और गैर-संगठित अपराध थिक। अपराध संज्ञेय एवम्‍ असंज्ञेयमे विभाजित कएल गेल अछि। कानूनी तौरपर संज्ञेय अपराधक जॉंच करब एवम्‍ शिकायत दर्ज करब पुलिसक कर्तव्‍य थिक। ४९८ एकटा संज्ञेय अपराध थिक। अपराध जमानती वा गैर जमानती भऽ सकैत अछि। ४९८ गैर जमानती  अछि। एकर माने भेल जे न्‍यायिक दण्‍डाधिकारी (मजिस्‍ट्रेट) केँ जमानत देबाक किंवा आरोपित बेकतीकेँ न्‍यायिक वा पुलिस हिरासतमे पठा देबाक अधिकार छइ। चूँकि ४९८ गैर संगठित अपराधक श्रेणीमे अबैत अछि, अस्‍तु याचिकाकर्त्ता एकरा आपस नहि लऽ सकै छैथ। (मुदा जँ सम्‍बन्‍धित पक्ष मामलाकेँ आपसमे सोझराबैले न्‍यायालयसँ आवेदन करै छैथ, तखन न्‍यायालय मामलाकेँ आपस लेबाक अनुमति प्रदान कऽ सकैत अछि।)

कानूनक उपरोक्त प्रावधानमे क्रुड़ताक प्रयोग निम्नलिखित प्ररिस्‍थितिमे कएल गेल अछि-

१.      एहेन बेवहार जइसँ महिला आत्‍म हत्‍या हेतु प्रेरित हो।

२.     एहेन बेवहार जइसँ महिलाक जीवन, शरीर वा स्‍वास्‍थ्‍यपर गंभीर समस्‍या उत्‍पन्न भऽ जाइक।

३.      महिला वा ओकर सम्‍बन्‍धीक सम्‍पैत लेबाक उद्देश्‍यसँ कएल गेल प्रतारणा।

४.     महिला वा ओकर सम्‍बन्‍धी द्वारा आर पैसा वा सम्पतिक हिस्‍साक मांग नहि मानबाक कारण प्रतारणा।

यद्यपि ऐ कानूनकेँ लागू करबाक उद्देश्‍य विवाहित महिलाकेँ दहेज-लोभी पति एवम्‍ ओकर परिवार द्वारा प्रतारणासँ रक्षा करब छल, मुदा बेवहारमे एकर तेतेक दुरुपयोग भेल जे उच्‍चतम न्‍यायालय सुशील कुमार शर्मा बनाम भारत सरकारक मामलामे आइपीसी- धारा ४९८ केँ कानूनी आतंकवादक रूपमे निन्‍दा केलक।

उपरोक्त कानूनसँ पुलिस द्वारा लोकक मौलिक  अधिकारक उल्‍लंघनक संभावना बढ़ल। ऐसँ निर्दोष लोक कानूनी धनचक्करक शिकार भेल एवम्‍ मजबूर भऽ कऽ वर्षो-वर्ष कोट-कचहरीक दरबज्‍जा खटखटबैत रहल । तेतबे नहि, ऊपरसँ पुलिसक धनबल, राजनीतिक हस्‍तक्षेप, किंवा समाजमे प्रभवशाली वर्गक लिप्‍तता सेहो तइ रूपे काज करए लगल जे ओइ पति एवम्‍ ओइ परिवारक बुझू भगवाने मालिक..!

केतेको मामलामे ऐ कानूनक दुरुपयोग विवाहित महिला द्वारा बर पक्षसँ अधिक-सँ-अधिक पैसा ओसलब, किंवा एहेन परिस्‍थिति निर्माण करब रहैत अछि जइसँ जान छोड़ेबाक लेल बर पक्षक लोक महिला पक्षक अनुचितो मांग मानैले बेवस भऽ जाइ छैथ।

दहेज निषेध अधिनियम १९६१क धारा २ केर अनुसार दहेज लऽ कऽ माने बिआहसँ पूर्व, बिआहक समय वा बिआहक बाद कहियो देल गेल सम्‍पैत या मूल्‍यवान धरोहरसँ अछि-

(१) जे बिआहक एक पक्ष द्वारा दोसरकेँ देल जाइत अछि।

(२) माता-पिता वा कोनो आन बेकती द्वारा देल गेल।

मुदा मुस्‍लिम विवाह कानूनक अधीन देल गेल मेहर वा (dower) ऐमे शामिल नहि अछि। विवाहक समय कोनो पक्ष द्वारा देल गेल नगदी, गहना, कपड़ा वा अन्‍य कोनो वस्‍तु दहेज नहि मानल वशर्ते ई वस्‍तु सभ विवाहक शर्तक अधिन नहि देल जाइत हो।

ऐमे मूल्‍यवान धरोहरक अर्थ भारतीय दण्‍ड संहिता (आइपीसी)क धारा ३०क अनुकूल अछि। 

आइपीसी- धारा ४९८ मात्र पत्नी, पुतोहु वा ओकर सम्‍बन्‍धी द्वारा लागू कएल जा सकैत अछि। उच्‍चतम/उच्‍च न्‍यायालय बारम्‍बार ई स्‍वीकार केलक अछि जे कानूनक उपरोक्‍त धाराक अधीन ज्‍यादातर मामला झूठ रहैत अछि। अधिकांश मामलामे एकर दुरुपयोग वैवाहिक जीवनमे विवादक स्‍थितिमे पत्नी वा ओकर निकट सम्‍बन्‍धी द्वारा पति वा ओकर निकट सम्‍बन्‍धीकेँ ब्‍लैकमेल करबाक हेतु कएल जाइत अछि। एहेन परिस्‍थितिमे शिकायतकर्त्ता प्रचुर मात्रामे पैसाक उगाहीक प्रयास करै छैथ। 

एहेन अनगिनित उदाहरण सामने आएल अछि जइमे बिना जाँच-पड़ताल केने पुलिस बुजुर्ग माता-पिता, अविवाहित बहिन, गर्भवती भौजी एवम्‍ छोट-छोट बच्‍चाकेँ गिरफ्तार कऽ लेलक। ऐ तरहक मामलामे निर्दोष लोक मानसिक यातना एवम्‍ उत्‍पीड़नक शिकार भऽ जाइ छैथ। सामान्‍यत: एहेन मोकदमा ५-६ साल चलैत अछि आ मात्र २० प्रतिशत लोककेँ सजा होइत अछि। एहनो भेलै जे जेलसँ छुटि कऽ पति वा आरोपित माता-पिता आत्‍महत्‍या कऽ लेलक।

चन्‍द्रभान बनाम राज्‍यक मामलामे दिल्‍ली उच्‍च न्‍यायालय कहलक जे ऐमे कोनो संदेह नहि अछि जे अधिकांश एहेन शिकायत छोट-छोट बातपर आपसी अहं एवम्‍ टकरावक कारण तामसमे कएल जाइत अछि जेकर सभसँ गंभीर खामियाजा परिवारक छोट-छोट बच्‍चा सभ भोगैत अछि। अस्‍तु न्‍यायालय पुलिसकेँ निम्नलिखित आदेश देलक:-

(१)  एफआइआर रूटिनमे पंजीकृत नहि कएल जाए।

(२)  पुलिसक प्रयास हेबाक चाही जे मामलाकेँ गंभीर जॉंच-पड़तालक बादे एफआइआर दर्ज करए।

(३)  आइपीसी- धारा ४९८ /४०६ क अन्‍तर्गत कोनो मामला बिना डीसीपी (उपायुक्‍त पुलिस) एवम्‍ अतिरिक्‍त डीसीपीक आदेशक दर्ज नहि हएत।

(४)  एफआइआर (पंजीकृत करबासँ पूर्व आपसी समझौताक हर संभव प्रयास कएल जाए आ जौं समझौताक कोनो आश नहि रहि जाइक तँ सभसँ पहिने स्‍त्रीधन आ दहेजक वस्‍तुकेँ सम्‍बन्‍धित महिलाकेँ आपस करौल जाए।

(५)  मुख्‍य अभियुक्‍तक गिरफ्तारी एसीपी (सहायक आयुक्‍त) अथबा डीसीपी (उपायुक्‍त)क स्‍वीकृतिसँ मामलाकेँ पूरा जाँच-पड़तालक बादे कएल जाए।

(६)  संपार्श्‍वक अभियुक्‍त (जेना सासु-ससुर)क मामलामे मिसिल (लाइल)मे डीसीपीक स्‍वीकृति जरूरी अछि।

ऐ मामलामे न्‍यायालय ईहो आदेश देलक जे महिलाक उत्‍थान हेतु कार्यरत्‍ स्‍वयंसेवी संगठन एवम्‍ अन्‍य कानूनी संस्‍था सभ ऐ बातक पूरा प्रयास करए जे सम्‍बन्‍धित पक्ष सभकेँ आपसी सहमति बनि जाइक। मामलाकेँ न्‍यायालय पहुँचलाक बादो ऐ बातक लेल न्‍यायालय प्रयास करए। चाही तँ ई जे बिना बाहरी हस्‍तक्षेपक सम्‍बन्‍धित पक्ष मामलाकेँ आपसमे सोझरा लिअए। टी.आर. रमैयाक मामलामे मद्रास उच्‍च न्‍यायालसँ ऐ तरहक निर्देश दैत स्‍पष्‍ट केलक जे एहेन मामलामे पुलिसिया कार्रवाइ पयाप्‍त सावधानी एवम्‍ एहेन छान-बीनक बादे कएल जाएत।

ललिता कुमारी बनाम राज्‍यक मामलामे उच्‍चतम न्‍यायालय ऐ बातपर विचार कए रहल अछि जे एहेन मामला उपस्‍थित भेलापर पुलिस द्वारा एफआइआर दर्ज करब अनिवार्य अछि किंवा तइसँ पहिने प्राथमिक पूछताछ जरूरी अछि। चूँकि ई मामला विचराधीन अछि अस्‍तु विभिन्‍न उच्‍च्‍ न्‍यायालय द्वारा देल गेल आदेश/निर्णयक सन्‍दर्भमे पुलिस कार्रवाइ करैत अछि। उच्‍चतम न्‍यायालय द्वारा ऐ मामलाक निर्णयक बादे एहेन मामलामे एफआइआर करबाक दशा ओ दिसा अन्‍तिम रूखि लेत।

ऐ कानूनसँ भयक वातावरण तँ बनल मुदा एकर दुरुपयोग ज्‍यादा होमए लागल। कनेको निर्दोष लोककेँ लोभ, किंवा प्रतिशोधक आवेशमे फँसा देल गेल। कएक बेर तँ पति एवम्‍ ओकर परिवारकेँ ऐ लेल फँसा देल गेल जे सम्‍बन्‍धित विवाहित महिला ओइ वैवाहिक जीवनसँ हटि कऽ प्रेमीक संग विवाह करए चाहैत छेली।

केतेक बेर एहनो भेल जे पति-पत्नी बादमे मिलय चाहैत छल, अपन-अपन गलतीक अहसास करैत छल, मुदा ताधैर अपराधिक मोकदमाक जालवृत्तिमे फँसि चूकल छल, मुदा ओइसँ निकलत केना? कारण ई कानून Non Compoundable अछि माने शिकायतकर्त्ता स्‍वयं चाहियो कऽ एकरा आपस नहि लऽ सकैत अछि। ऐ सभ परिस्‍थितिमे मामला कतेको बेर उच्‍च न्‍यायालय एवम्‍ उच्‍चतम  न्‍यायालय पहुँचल जैठाम विचारणीय प्रश्‍न छल जे आखिर ऐ तरहक मामला चलबैत रहबाक की औचित्य अछि खास कऽ जखन कि पति-पत्नी आपसमे बातकेँ सलैट कऽ आपसी सहमति बना सुखी परिवारिक जीवन जीबए चाहैत होथि? आखिर एहेन मोकदमा जँ चलितो रहल तँ ऐमे सँ किछु निकलत नहि, कारण शिकायतकर्त्ता अपन बातसँ मुकैर जाएत। मामला कमजोर पड़ि जाएत, चाहे निरस्‍त निरस्‍त भऽ जाएत। मुदा एकर दोसरो पक्ष छल जे केतेको बेर समझौताक आडम्‍बर कऽ गरीब एवम्‍ कमजोर महिलाकेँ अपन शिकायत आपस लेबाक हेतु अनुचित दवाब बनौल जा सकैत अछि। मामला आपस लैतो पुनश्‍च यंत्रणाक नवीनीकरण भऽ सकैत अछि।

ऐ सभ प्रश्‍नपर विभिन्न न्‍यायालयमे बारंबार विचार भेल। विवाह सम्‍बन्‍ध विच्‍छेदक प्रक्रियामे लम्‍बित मामलामे दुनू पक्षकेँ मौका पबैत आपसी सहमति बनबैक अवसर न्‍यायालय प्रदान करैत अछि।

तहिना आइपीसी ४९८ सँ सम्‍बन्‍धित अपराधिक मामलामे यदि दुनू पक्ष आपसमे बातकेँ सोझराबए चाहैत अछि, सलैट लिअ चाहैत अछि तँ उच्‍च न्‍यायालय सीआरपीसीक धारा ४८२क अधीन अपन विशेषाधिकारक प्रयोग करैत मामलाकेँ रद्द कऽ देबाक आदेश दऽ सकैत अछि।

उपरोक्‍त विषयसँ सम्‍बन्‍धित मामला उच्‍चतम न्‍यायालयक समक्ष जीतेन्‍द्र रघुवंशी एवम्‍ अन्‍य बनाम बबीता रघुवंशी एवम्‍ अन्‍य आएल। (जइमे पूर्वमे उच्‍चतम न्‍यायालय द्वारा बी.आर. जोशी बनाम हरियाणा सरकारक निर्णयकेँ बहाल राखल गेल।) जइमे कहल गेल छल जे सीआरपीसीक धार ४८२ क अधीन उच्‍च न्‍यायालय न्‍यायक हितमे अपराधिक प्रक्रिया वा एफआइआर रद्द कऽ सकैत अछि आ सीआरपीसीक धारा ३२० ऐमे बाधक नहि हएत।

प्रीति गुप्‍ता बनाम झारखण्‍ड सरकारक मामलामे उच्‍चतम न्‍यायालय आइपीसी- धारा ४९८ केर अधीन कएल गेल शिकायतक दुरुपयोग एवम्‍ बढ़ैत ममलाकेँ धियानमे रखैत केन्‍द्र सरकारकेँ उपरोक्‍त कानूनक समीक्षा करबाक हेतु कहलक।

तदनुसार भारत सरकारक आग्रहपर विधि आयोग ऐ विषयमे गंभीरतासँ विचार करैत अपन २४३म प्रतिवेदनमे संस्‍तुति केलक जे ऐ अपराधकेँ न्‍यायालयक आज्ञासँ (Compoundable) बना देबाक चाही मुदा आयोग ऐ अपराधकेँ गैरजमानती बनौने राखए चाहलक ताकि समाजक दूरगामी कल्‍याणकेँ धियान रखैत ऐ कानूनक धार भोथ नहि होइक।

ओयोगक कहब जे गिरफ्तारी सम्‍बन्‍धी लागू कानूनी निर्देश एवम्‍ मामलाक गहन छानबीन केलासँ एवम्‍ हिंसा सन गंभीर परिस्‍थितियेमे गिरफ्तारी केलासँ ऐ कानूनक दुरुपरोगसँ बँचल जा सकैत अछि। 

जुलाइ २०१४ मे न्‍यायमुर्ति सीके प्रसाद एवम्‍ पी.सी. घोषक उच्‍चतम न्‍यायालयक बैच द्वारा देल गेल निर्णयमे स्‍पष्‍ट कएल गेल जे धारा ४९८ केर अधीन बिना मजिस्‍ट्रेटक आदेशक गिरफ्तारी नहि एहत। उच्‍चतम न्‍यायालयक कहब छल जे अधिकांश एहेन मामलामे महिला ऐ कानूनक दुरुपयोग करैत पति, सासु, ससुर आदिसँ बदला लइ छैथ। ऐ तरहक प्रकरणमे बहुत कम लोककेँ सजा धोषित हेबाक उद्धत करैत माननीय न्‍यायालय राज्‍य सरकार सभकेँ आदेश देलक जे पुलिस क्रीमिनल प्रोसीड्योर कोड (सीपीसी) क धारा ४१मे वर्णित मानकक अनुसरण करए एवम्‍ अपवादिक मामलामे अत्‍यावश्‍क भेने आरोपित बेकतीक गिरफ्तारी करए।

सम्‍बन्‍धित मजिस्‍ट्रेट सीपीसीक धारा ४१ क अधीन पुलिस द्वारा प्रेषित प्रतिवेदनक विवेचना करैत बेकतीगत रूपसँ संतुष्‍ट भेलाक बाद एवम्‍ तेकर औचित्‍यक लिखित आधार बनबैत गिरफ्तारीक स्‍वीकृति प्रदान करए।

उपरोक्‍त मामलामे फैसला दैत माननीय न्‍यायाधीशगण कहलैथ जे सन्‍ २०१२ मे दू लाख बेकती ऐ कानूनक अन्‍तर्गत गिरफ्तार भेला। जे सन्‍ २०११क संख्‍यासँ ९.४ प्रतिशत ज्‍यादा अछि। जइमे लगभग एक चौथाइ (४७९५१) महिला छेली। ऐसँ स्‍पष्‍ट होइत अछि जे आरोपित पतिक माए, बहिनकेँ सेहो काफी तादादमे गिरफ्तार कऽ लेल गेल। उपरोक्‍त कानूनक तहत आरोप पत्रक दर ९३.७ प्रतिशत अछि जखन कि मात्र १५ प्रतिशत लोककेँ अन्‍तत: दण्‍डित कएल जा सकल। विभिन्न ट्रायल कोर्टमे ३७२७०६ मामला लम्‍बित अछि जइमे सँ लगभग ३१७००० मामलामे आरोपितकेँ छुटि जेबाक संभावना अछि।

माननीय उच्‍चतम न्‍यायालयक कहब छल जे गिरफ्तारी बेकतीगत स्‍वतंत्रताक हनन तँ करिते अछि, संगे ई अपमान-जनक सेहो अछि। स्‍वतंत्रताक छह दशक बादो पुलिस अखन धरि उत्‍पीड़न, उत्‍पीड़नक साधनक रूपमे जानल जाइत अछि, जनताक मित्र तँ नहियेँ।

अतएव उच्‍चतम न्‍यायालय गिरफ्तारीमे सावधानीसँ निर्णय लेबाक हेतु मजिस्‍ट्रेट लोकनिकेँ अगाह केलक।

इन्‍दरराज मलिक एवम्‍ अन्‍य बनाम श्रीमती सुमिता मलिकमे दिल्ली उच्‍च न्‍यायालय बेवस्‍था केलक जे आइपीसी- धारा ४९८ दहेज निवारण कानूनक धारा ४ सँ एकदम अलग अछि, कारण दहेज कानूनमे मात्र दहेजक मांगसँ अपराध भऽ जाइत अछि। जखन कि आइपीसी- धारा ४९८ मे पति तथा पतिक परिवार द्वारा दहेजक मांग संगे-संग क्रुड़ताक बेवहार जरूरी अछि।

आधुनिकीकरण, शिक्षा, वित्तीय सुरक्षा एवम्‍ बेकतीगत स्‍वतंत्रतामे वृद्धिक संग कट्टरपंथी महिला सभ आइपीसी- धारा ४९८ केँ एकटा हथियारक रूपमे दुरुपयोग कऽ रहल छैथ। कानून बनलाक केतेको सालक बादो ऐ कानूनक उचित समीक्षा नहि भेल जइ कारणसँ एकर दुरुपयोगक मामलामे लगातार वृद्धि भेल आ निर्दोष एवम्‍ व्‍यर्थमे फँसौल गेल पति तथा ओकर सम्‍बन्‍धी त्राहिमाम कए रहल छैथ। विभिन्न न्‍यायालय, गैर सरकारी संगठन सभ ऐ विषयपर लगातार मंतव्‍य दऽ रहल छैथ, कानूनमे संशोधनक हेतु सेहो चर्चा होइत रहैत अछि। मुदा ऐठाम ईहो महत्‍वपूर्ण अछि जे एक पक्षीय संशोधनसँ कानून बनाबक मूल उद्देश्‍ये ने नष्‍ट भऽ जाए। ऐमे कोनो दू मत नहि जे केतेको मामलामे विवाहित महिलाकेँ जीवन ओ सम्‍मानपर संकट ओकर सासुरमे उत्पन्न भऽ जाइत अछि  आ ओ मजबुड़ीमे सभ किछु सहैत अछि। सहैत-सहैत केतेको महिला तंग भऽ आत्‍म हत्‍या लेल सेहो विवश भऽ जाइ छैथ। अस्‍तु, ऐ कानूनक दुरुपयोगसँ उत्‍पन्न समस्‍याक समाधान हेतु बीचक रस्‍ता निकालबाक चाही जइसँ निर्दोष लोककेँ फँसौल नहि जाइक आ दोषीकेँ उचित दण्‍डो होइक आ समाजमे सम्‍मानक संग महिलो जीबैथ।

अपन समाजमे कहबी छेलइ जे जेतए कनियॉंक डोली अबै ओतहिसँ अर्थी उठइ। मुदा आब युग बदैल गेल अछि। निष्‍ठाक समस्‍त जिम्‍मा मात्र महिलाक नहि भऽ सकैत अछि। लोक परिवर्तित परिस्‍थितिसँ जँ तालमेल नहि बैसोलक तँ जीवन भमरमे केतए जा कऽ थम्‍हत तेकर कोनो ठेकान नहि। शिक्षित बर-कनियॉं सभ रोजगार हेतु विश्व भरिमे पसैर गेल छैथ। गाम-घरक बात गामेमे सलटा लिअ से आब तथ्‍यपरक नहि रहि गेल। अपनो समाजमे विवाह विच्‍छेदक चलन बढ़ि गेल अछि। कानूनक रस्‍ता अख्‍तियार करैत केतेको परिवार नष्‍ट भऽ रहल अछि।

प्रेम ओ सिनेहपर आधारित सम्‍बन्‍धकेँ कानूनक कुरहैरसँ चोट देल जाएत तँ परिणाम की हएत? परिवारिक मर्यादाक रक्षाक हेतु सन्‍तानक भविस बँचबैक लेल एवम्‍ जीवनमे सुख-शान्‍तिक स्‍थापना हेतु आवश्‍यक अछि जे हम सभ भारतीय संस्‍कारकेँ कटकटा कऽ पकैड़ ली आ पकड़नहि रही। त्‍येन त्‍येक्‍तेन भुंजीथा:। त्‍यागक गरिमा जखन जीवनमे लक्षित हएत, सभ अपने ठीक भऽ जाएत।

सोमवार, 12 जून 2017

कर्मण्‍येवाधिकारस्‍ते   




 


कर्मण्‍येवाधिकारस्‍ते   


लगभग चालीस साल धरि केन्‍द्र सरकारक विभिन्न पदपर कार्य केलाक बाद सेवा निवृत्तसँ एकटा शून्‍यता सोभाविक छल। नौकरीक दौरान छुट्टी दिन छोरिकऽ लगभग १२ घन्‍टाक नियमित व्‍यस्‍तता रहैत छल।

केतेको गोटे ऐ परिवर्तनकेँ बर्दास्‍त नहि कऽ पबै छैथ वा कहू तँ नवीन परिस्‍थितिसँ सामंजस्‍य नहि बैसा पबै छैथ। परिणाम कए बेर बहुत घातक होइत अछि। एकटा सचिव स्‍तरक अधिकारी सेवा निवृत्त होइते हृदयाघातसँ मरि गेला। कुर्सी जेबाक संगे संग बहुत रास सुविधा सेहो चल जाइत अछि किने...। तेतबे नहि, अधीनस्‍थ कर्मचारीक जी-हुजुरी सेहो समाप्‍त भऽ जाइत अछि। मुदा ई सभ तँ भेनाइ अछिए। माने एक-ने-एक दिन सभ सेवा निवृत्त होइते अछि।

नौकरीक दौरानक अस्‍तव्‍यस्‍तता आब खतम अछि। बीतल समयक जखन सिंहावलोकन करै छी तँ लगैत अछि जे नौकरीक दौरान कएल गेल अधिकांश चिन्‍ता व्‍यर्थ छल। छोट-मोट बातपर अनुरंजित भऽ जाएब, अधिकारीक अप्रसन्नतासँ तनावमे आबि जाएब, व्‍यर्थ छल।

सभसँ चिन्‍ता तँ वार्षिक मूल्‍यांकन (ACR वा APAR) लऽ कऽ होइत छल। पता नहि अधिकारी की लिखि देताह..! भविष्‍य खराप भऽ जाएत..! अधिकारीक हाथमे सरकार एकटा एहेन अस्‍त्र दऽ देने अछि, जइसँ अधिनस्‍थ अधिकारी वा कर्मचारी बकड़ी भेल मेमियाइत रहै छैथ। जँ अहाँ हँ-मे-हँ मिलबैत रहलौं तखन तँ बड़ बढ़ियाँ रिपोर्ट पक्का अछि, नहि तँ भगवाने मालिक..! केतबो काज करब आ जँ अधिकारीक अहं केर परवाह नहि करब तँ गेले घर छी।

बहुत कम्‍मे अधिकारी होइ छैथ जे काजक प्रधानता दैत अधीनस्‍थक सेवाक मूल्‍यांकन करइ छैथ। ऐ सबहक हेतु नौकरीमे लोक परेशान रहैत अछि। हमहूँ कए बेर बहुत चिन्‍तित भऽ जाइत रही।

सरकारी सेवासँ निवृत्तिक पछाइत पूरा-के-पूरा ACR क बण्‍डल हमर आग्रहपर हमरा सरकार आपस कऽ देलक। एक दिन कने-मने उनटाक पढ़लौं। कएटा आश्चर्यजनक अनुभव भेल। तेकर बाद ओ ओहिना धएल अछि। कूड़ाक भाव बिका जाएत। ऐ लेल एतेक परेशान रहैत रही। सरकारी बेवस्‍थामे अधीनस्‍थक सेवाक मूल्‍यांकनक वर्तमान बेवस्‍था यद्यपि पहिनेसँ बेहतर ऐ मानेमे भेल अछि जे आब मूल्‍यांकनक प्रतिलिपि सम्‍बन्‍धित बेकतीकेँ दऽ देल जाइत छैइ। आ ओ चाहे तँ ओइमे सुधारक हेतु उच्‍च अधिकारीकेँ प्रतिवेदन दऽ सकैत छैथ। मुदा अखनो ई प्रकृया पूर्णतः पारदर्शी नहि अछि। जे अधिकारी प्रतिकूल टिप्पणि केलक, फेर तेकरेसँ राय लेब कोनो बहुत सार्थक नहि होइत अछि। ओ तँ सामान्‍यत: अपन कहल बातपर अड़ि जाइत छैथ। सरकारी सेवकक सेवा मूल्‍यांकनक समस्‍त बेवस्‍था मोटा-मोटी जी-हुजुरीपर आश्रित अछि आ ऐमे आमुलचुल सुधार जरूरीए नहि अनिवार्य थिक जइसँ इमानदार, कर्मठ बेकती निर्भिक भऽ अपन बात राखि सकैथ एवम्‍ राष्ट्रहितकेँ सर्वोपरि राखि काज करैथ। एहनो प्रसंग देखबामे आएल जे सेवा मूल्‍यांकन केनिहार अधिकारीपर गंभीर आरोप अछि, तथापि अधीनस्‍थ इमान्‍दार अधिकारीक चरित्र पंजिकाकेँ ओ बोरि देलैथ आ ओ(अधीनस्‍थ इमान्‍दार अधिकारी) तड़पैत रहि गेलाह। हेबाक की चाही, सुधार केना कएल जाए, तैपर अनेको बेर चर्चा होइत अछि मुदा ठोस निर्णय अद्यावधि नहि भऽ सकल तेकर मूल कारण वरिष्‍ठ अधिकारी अपन अधिकारमे कटौती नहि होमए देबए चाहै छैथ।

सरकारी सेवामे अधिकारीक निर्णय लेबाक प्रक्रिया बहुत जटिल अछि। अधिकारक बँटवारा आदम जमानासँ चलैत नियमक आधारपर होइत अछि। परिणामत: अधिकारीगण निर्णय लेबएमे ऐ बातक बेसी साकंक्ष रहै छैथ जे हुनकापर जिम्‍मेदारी नहि खसए, काज हौउ चाहे नहि हौउ। कारण सहियो काज कऽ कऽ फँसि गेलौं तँ जान बँचाएब पराभव भऽ जाइत अछि। तरह-तरह केर नियम ओ बेवस्‍थासँ बान्‍हल ऐ बेवस्‍थामे सुधार हेतु केतेको बेर प्रयास होइत रहल अछि, मुदा अखनो बहुत किछु संभव अछि।

छोटसँ पैघ सभ अधिकारीकेँ एक सीमामे अधिकार देल जाए जइसँ त्‍वरित निर्णय लेल जा सकए। मंत्रालय सबहक तँ ई हाल रहैत अछि जे छोट-सँ छोट मामलाकेँ सचिव स्‍तर तक पठा देल जाइत अछि। सामान्‍यत: संयुक्‍त सचिव तक तँ फाइल जेबे करैत अछि।

वर्तमानमे सरकारी नौकरीक जे स्‍थिति अछि, ओइमे कियो बेकती इमानदारीसँ जीबिटा सकैत अछि चाहे ओ केतबो बड़का अधिकारी हो। बहुत हेतइ आ भाग साथ देतइ तँ धिया-पुताकेँ पढ़ा लेत। एकटा घरो बना लेत, मुदा ई कहब जे ओ स्‍थितिमे आमूल चूल परिवर्तन आनि लेत से संभव नहि अछि। सरकारी नौकरीमे सेवाक एकटा अवसर अछि, व्‍यापार नहि अछि, से बुझि संतोषसँ जीवन-यापन कएल जा सकैत अछि।

हमर एकटा मित्र योजना आयोगमे सेवा निवृत्तिक बाद सलाहकारक काज करैत छला। जरूरी काज निपटा कऽ ओ अबस्‍स हमरा लग आबि जइतैथ। गप-सप्‍प करितैथ। केतेको तरहक सलाह हुनकासँ भेटैत। प्रशासनिक काजमे ओ माहीर छला। क्‍लिष्‍टसँ क्‍लिष्‍ट समस्‍याक सटीक समाधान तुरन्‍त उपस्‍थित कए दितैथ। बीचमे हुनका सुगर बढ़ि गेलैन। योग ओ प्राणायाम द्वारा एक माससँ अपन सुगरक स्‍तर सामान्‍य कए लेलाह। डाक्‍टरक परामर्शपर जाँच करबए गेल रहैथ। जाँचक रिपोर्ट साँझमे आनए गेलाह। घरक आसे-पास जाँचक लेब्रोट्री छेलइ।

रिर्पोट लऽ कऽ आपस अबैत रहैथ कि तेजसँ अबैत कोनो कार तेतेक जोरसँ टक्कर मारलक जे सात फूट ऊपर उठि गेलाह। खसलाह तँ कारक पहियासँ पीचा गेलाह। सड़कपर आधा घन्‍टा पड़ल रहैथ, खून बहैत रहल, कियो हाथ नहि लगाबए। के झंझैटमे पड़त। हलांकि मा. उच्‍चतम न्‍यायालयक आदेशानुसार मदैत केनिहारकेँ कोनो दाव-पेंचमे नहि देल जाएत, मुदा तैयोलोक पचड़ामे नहि पड़ए चाहैत अछि। संयोगसँ कौलेजक दूटा बालिका हुनका सड़कपर पड़ल, खूनसँ लथपथ देखलक। ओ सभ हुनक सड़कपर खसल मोबाइलकेँ उठौलक। ओइमे उपलब्‍ध कएक फोन नम्‍बरपर फोन केलक। संयोगसँ ओकर घर फोन लागि गेलइ। ओ फोनसँ पुलिसकेँ सेहो बजौलक आ पुलिसक सहयोगसँ ओकरा स्‍थानीय अस्‍पताल लऽ गेल। अस्‍पताल जाइत-जाइत बहुत देरी भऽ गेल छल। तथापि ओ सभ प्रयास करैत रहल। दू घन्‍टाक बाद हुनकर अस्‍पतालेमे देहान्‍त भऽ गेल। सुखी सम्‍पन्न लोक छला। मुदा किछु काज नहि आएल।

हमरा तँ तखन पता लागल जखन सप्‍ताह भरि ओ नहि एला तँ मोन औनाएल। हुनकर अधिकारीजी सँ सभटा बात पता लागल।

ई थिक समय। कखन की हएत, के जनैत अछि। ओ एकदम स्‍वस्‍थ छला। कहैथ जे हम कहियो दबाइ नहि खेलौं। मुदा अप्रत्‍याशित रूपेँ दुर्घटनाग्रस्‍त भऽ परलोक चलि गेला। कएक दिन हमरा रूममे योगाशन करैत कहैथ जे ऐसँ सूगरपर एकदम नियंत्रण भऽ जाइत अछि। हुनकर जीवन यात्रा अहिना समाप्‍त हेबाक छल। केतेको दिन धरि ऐ घटनाक दृश्‍य माथमे घुमैत रहल। आवेश आ लोभमे लोक छोट-छोट बातकेँ बतंगर कऽ लइ छैथ। जान लेबए, देबएपर बनि जाइत अछि, मुदा हाथ की अबैत अछि? अशान्‍ति, घृणा ओ प्रतिशोध कहियो समाधान नहि अनलक आ ने आनत।

हमरा ओ कएक बेर कहला जे थ्री इडिएट्स सीनेमा जँ नहि देखने होइ तँ अबस्‍स देख ली। कमसँ कम एको भाग अबस्‍स देख ली। हम सीनेमा बहुत कम देखै छी। ओ सीनेमा सेहो नहि देखने रही। अही उहापोहमे रही जे ओ ऐ सीनेमाकेँ देखबाक हेतु किए कहि रहल छैथ। ताबते हुनकर अकस्‍मात मृत्‍यु भऽ गेल। हम ओ सीनेमा देखबाक निश्‍चय कएल। घरेमे सीड़ी आनल गेल। सीनेमा निश्‍चय शिक्षाप्रद छल। एकर सारांश जे केकरो ऊपर अपनाकेँ थोपक नहि चाही। सबहक सोभाव, रूचि ओ प्रतिमा अलग-अलग होइत अछि। तद्दनुसार ओकरा स्‍वच्‍छं ओ स्‍वतंत्र विकासक अवसर हेबाक चाही। मुदा से कहाँ भऽ पबैत अछि। डिब्‍बा बन्‍द जिनगीक विडम्‍बना थिक। वर्तमान विकृति।

हमरा एलीगंज सी.जी.एच.एस.क डीसपेंसरीक प्रधान डाक्‍टर मेरठक किसान परिवारक छला। ओ कहैथ जे हुनका डाक्‍टर बनबाक कनिको इच्‍छा नहि रहैन। मुदा अभिभावक अड़ि गेला जे जँ पढ़बाक होइक तँ डाक्‍टर बनैथ नहि तँ पुस्‍तैनी पेशा खेती-बारीमे लागि जाथि। कहलाह जे हारि कऽ हम डाक्‍टरी पढ़लौं। बेकती ओ नीक छला, मुदा गपोड़ी रहैथ। मरीज सभ पाँतिमे ठाढ़ अछि आ ओ अन्‍दरमेजे मरीज अछि तेकरा संगे निश्चिन्‍तसँ गप मारि रहल छैथ। ओना, मरीजकेँ देखैथ बहुत धियानसँ, मुदा समय बहुत बर्बाद कऽ देथि। तेकर प्राय: मूल कारण ओइ पेशासँ उरूचि छल।

जीवन-यापन हेतु जएह-सएह काज लोक कऽ कऽ पेट भरैत अछि। अपन देशमे नौकरीक तेतेक सुविधा नहि अछि जे लोक इच्‍छानुसार अपन रूचिक धियान रखैत जीविकाक चुनाव करैथ। जेकरा जे काज भेटल से करैत जीवि जीविकोपार्जन करै छैथ।

माता तु पार्वती देवी, पिता देवो महेश्‍वर:। माता-पिता ओ समस्‍त श्रेष्‍ठजनक असीम अनुकंपा ओ कृपासँ जीवन यज्ञ आब अन्‍तिम चरणमे पहुँच गेल अछि। असलमे ऐ जीवन रूपी नावक पतवार परमात्‍माक हाथमे छैन। वएह छैथ खेबनिहार। हुनके कृपासँ लांगरो पहाड़ नांघि सकै छैथ, पंगुम्‍ लंघयते गिरिम्। सही मानेमे किछु पता नहि छल जे ई यात्रा केतसँ शुरू हएत आ केना अन्‍त हएत? जीवनमे तरह-तरह केर जे घटना देखल-सूनल ओहिसँ आँखि खुजि जाएब, भारी बात नहि। एकसँ एक पैघ योग्‍य एवम्‍ पदाशीन बेकती अकाल मृत्‍युक शिकार भऽ गेला। समस्‍त बेवस्‍था ठामहि धएले रहि गेल। गरीब-गुरबा सभ बिना कोनो सुविधोक, बिना दबाइए-दारूक वयोवृद्ध भऽ जाइ छैथ। कहबी छै जे आन्‍हर गाएकेँ राम रखबार। जँ सामर्थ्‍यवान भेनहि लोक जीवितो, तँ कियो गरीब ऐ दुनियाँमे रहबे ने करैत। मुदा प्रकृतिक बेवस्‍था विचित्र एवम्‍ क्रूड़ अछि। कोनो स्‍पष्‍ट नियम सभपर लागू नहि कएल जा सकैत अछि। जीवन भाग्‍य ओ पुरषार्थक बीच झुलैत रहैत अछि।



बच्‍चामे गाममे रही, ओहीठाम पढ़लौं-लिखलौं आ जबान होइते रोजी-रोटीक फिराकमे गाम-घरसँ अतिदूर दिल्‍ली चलि एलौं। एतेक दूर आबि गेलाक बाद अपनो दुख होइत छल। रहि रहि कऽ गाम, गामक लोक, माए, बाबू सभ मोन पड़ैत रहैत छला। जखन गाम जाइ आ आपसी यात्रामे माए-बाबूक वियोगसँ उपजल असीम कष्‍ट अविस्‍मरणीय भऽ जाइत छल। समय बीतैत गेल। ने आब ओ रामा ने ओ कोठाला। माए, बाबू स्‍वर्गीय भऽ गेलाह। कएटा ग्रामीण मित्र सेहो चल गेला। आब गाम जा कऽ के भेटत?

यहॉं कौन है तेरा, ऐ मुसाफिर जाएगा कहाँ?”

रोडक कातमे गरीब तिहारी कऽ कऽ राति बितबैत अछि। निद्रालीन रहैत अछि कि कियो अन्‍धधुन्‍ध गाड़ी चलौनिहार ओकरा कुचैल दइ छइ। ओकर प्राण चलि जाइ छै, ऐमे ओकर की दोख?

हे ओ तँ सड़कपर अनाथ, सुरक्षाहीन सुतल रहैत अछि, मुदा जे महलमे समस्‍त सुख-सुविधासँ लैस छैथ, ओहो भाग्‍यक उठा-पटकसँ मुक्‍त नहि छैथ।

जीवनमे अहाँकेँ की भेटल अहाँ की कऽ सकलौं आ अहाँक मित्र, गौंआँ आकि परीचित की कऽ सकल एकर तुलनात्‍मक विचार व्‍यर्थ अछि। दुखक कारण अछि। सभ अपन-अपन कर्म ओ प्रारब्‍धक चक्रसँ बान्‍हल अछि।

सारांश जे प्रारब्‍ध प्रवल होइछ। सुनहुँ भरत भावी प्रवल, विहुपि कहे मुनिनाथ हानि लाभ जीवन मरण, यश अपयश विधिहाथ। तेकर माने ई नहि जे हाथपर हाथ धऽ बैस जाइ आ सभटा भागेपर छोड़ि दी। हमरा-अहाँक हाथमे कर्तव्‍य कर्म करक अधिकार अछि, फल अपना हाथमे नहि अछि। अपनासँ जे बनि पड़ए...।

जीवनसँ की प्राप्‍त केलौं, की दऽ सकलिऐक, ई प्रश्‍न मोनमे आएब सोभाविक थिक। हमरा तँ लगैत अछि जेना जीवन अपन स्‍वत: निर्धारित गंतव्‍य दिस स्‍वयं चलैत रहैत अछि। लोक तँ मात्र निमित्त क्रियाशील अछि।

निमित्त मात्रं भव सब्यसाचिन।

निश्चित रूपसँ महत्‍वाकांक्षाक पथगामीकेँ कष्‍टेकष्‍ट अछि। लोक की कहत? ऐ बातक धमर्थनसँ अपन मौलिकतापर संकट ठाढ़ कऽ लेब केतेक उचित? सबहक अपन जीवन छै, अपना आपमे सभ महत्‍वपूर्ण अछि, जे प्राप्‍त अछि वएह कोनो तरहेँ कम किए अछि? किएक हम अनकापर भारी पड़बाक प्रयत्‍न कऽ अपना आपकेँ तनावग्रस्‍त केने रही? जीवनसँ हम की चाहै छी..?

असलमे ऐ प्रश्‍न सबहक उत्तर कियो आन नहि दऽ सकैत अछि। शान्‍तिक हेतु संतोष बहुत आवश्‍यक अछि। प्राप्‍तक आदर जरूरी अछि। सामान्‍यत: लोक धिया-पुताकेँ उच्‍च शिक्षाक हेतु चिन्‍तित रहिते छैथ। मुदा उच्‍च डिग्री प्राप्‍त केनाइए जीवनमे सफलताक मूलमंत्र होइत तँ सचीन तेन्‍दुलकर, विस्‍मिल्‍ला खान, पण्‍डित जसराज, ज्ञानी जैल सिंह सन-सन बेकती उपलब्‍धिक ओ मान-सम्‍मानक पराकाष्‍ठापर नहि पहुँचितैथ। तँए जीवनकेँ अपन सोभाव ओ रूचिकेँ अनुसारे संतुष्‍टि वोध संभव अछि।

प्रकृतिंम् यान्‍ति भूतानि

निग्रटं किम्‍ करिष्‍यति!

ग्रामीण वातावरणमे रहि कऽ बहुत उच्‍च महत्‍वाकांक्षा लऽ कऽ हमर पूज्‍य माता-पिता हमर पालन-पोषण केने रहैथ कहि नहि से केतेक धरि संभव भेल, मुदा जे भेल, जेना भेल सएह सोचि कऽ ईश्वरकेँ हृदयसँ धन्यबाद। जीवन स्‍वयंमे अद्भुत अछि। तुलनात्‍मकता केतौसँ उचित नहि।

हमरा अहाँक हाथमे अछिए की? अपन कर्तव्‍य यथासाध्‍य करक चाही, शेष ईश्वरपर छोड़ि दी, ऐसँ बढ़ियाँ जीवन-मंत्र किछु नहि।

कर्मण्‍येवाधिकारस्‍ते माफलेषु कदाचन्...।

१।६।२०१७